2 Corinthians9

1वास्तवमे, हमरा एहि बातपर किछु कहबाक आवश्यकता नहि अछि जे हमसब यरूशलेममे रहनिहार परमेश्वरक पवित्र लोकसबके सेवा कोनाक' रहल छी।2अर्थात् किएकत' हम जनैत छी जे अहाँ देबाक लेल कतेक उत्साहित छी। सत्ते, हम मकिदुनिया प्रान्तमे रहनिहार विश्वासीसबके अहाँसबहक विषयमे बहुत पैघ-पैघ बात कहैत छी। हम हुनकासबके कहैत छी जे अहाँसब विश्वासी लोकसबके जे अखाया प्रान्तमे रहैत छी, पछिला साल स' देबाक तैयारी क' रहल छलहुं। अहाँ कतेक उत्सुक छलहुं जे देबएलेल, एहिस' कतेको गोटेके देबाक लेल प्रेरित भेल।3तथापि, भलेहि हमसब जनैत छी जे अहाँ उत्सुक छी, मुदा हमसब एहि तीन संगी-विश्वासीके चुनने छी जे अहाँसबलग आबए जाहिस' ई पता चलए जे देबएलेल अहाँ कतेक उत्सुक छी। हमसब जे पैघ-पैघ बात कहलहुं, से बेकार नहि होअए। ओसब एहिस' अहाँसबलग आबि रहल छथि जाहिस' अहाँसब देबएलेल तैयारी पूरा क' सकब आ एहि तरहें हम जे बातसब अहाँसबहक विषयमे मकिदुनियाके लोकसबके कहने छी, जे मिलि गेल अछि।4दोसर दिस, जं मकिदुनिया प्रान्तके किछु विश्वासी हमरासंग अहाँ लग आबिक' देखथि जे अहाँसब देबएलेल तैयार नहि छी। जेना अहाँ व्यवहार कएलहुं, हमरासबके एहिस' लाज होएत, आ अहाँके सेहो निश्चितरुपस' लाज अवश्य होएत।5एहिलेल हम निर्णय लेलहुं जे हमर एहि तीन साथी भाइसबके ई विनती करबाक आवश्यकता अछि जे हमरा आबएस' पहिने हुनकासबके अहाँ लग आबि जएबाक चाही, अहाँ जे देब से कहलहुं ताहिमे अहाँके मदति करबाक चाही। एहि तरहें अहाँ जे द' रहल छी से पहिनहिस' प्रतिज्ञा क' लेने होएब, आ एहिलेल जे अहाँ ओकरा देब चाहैत छी त' अहाँ देब आ एहिलेल नहि जे हमसब अहाँके करबैत छी।6 एत एकटा उदाहरण देल गेल अछि जे बतबैत अछि अहाँके कोना देबाक चाही। किसान जखन मात्र किछु बिआ बाओग करैत अछि तखन हुनका मात्र किछु भोजन भेटैत छनि। किसान जखन बेसी बिआ रोपैत अछि त' हुनका बहुत रास भोजन भेटैत छनि। तहिना जखन अहाँ दोसरक मदति करब तखन बदलामे केओ अहाँके मदति करत।7 अहाँसबमेस' प्रत्येक व्यक्तिके मनमे ई चुनाव अपनेलेल करबाक चाही। एहिलेल नहि करु जे अहाँके आहत बुझाति अछि वा एहिलेल जे अहाँके देब पड़त। हम ई कहैत छी कारण परमेश्वर हंसी-खुशीस' देनिहारके प्रेम करैत छथि।8परमेश्वर कृपाक' सकैत छथि आ अहाँके जरुरति स' बेसी द' सकैत छथि। एहि तरहें, जे कोनो परिस्थितिमे अहाँ लग सदिखन सब किछु रहैत अछि, अहाँ सदिखन नीक काज क' सकैत छी।9 अहाँ कहि सकैत छी जे ई सत्य अछि किएकत' कोनो व्यक्ति पवित्र शास्त्रमे एहि प्रकारक व्यक्तिक विषयमे लिखैत अछि, “ओ बहुत लोकके दैत अछि। हं, ओ लोकसबके मदति करैत अछि जेकरालग बहुत कम अछि। जे ओकर धार्मिकता अछि से सदिखन रहैत अछि।”10 परमेश्वर बोनिहारके बिआ दैत छथि, आ लोकके खाएलेल अहरा दैत छथि। तएं परमेश्वर अहाँके जे चाही से उपलब्ध करौताह आ ओहिस' बेसी सेहो देताह। संगहि जखन अहाँके धार्मिकताके फलसबके बढ़ाबएमे मदति करताह।11परमेश्वर अहाँके जरुरति स' बेसी सदैव दैत छथि, जाहिस' अहाँ सदिखन उदारतास' द' सकब। जखन अहाँ उदारतापूर्वक दैत छी आ हमसब अहाँ संगी विश्वासीसबके पठबैत छी तखन ओसब परमेश्वरके धन्यवाद दैत छथि।12असलमे जखन अहाँ परमेश्वरक पवित्र लोकसबके यरूशलेममे रहनिहारके ओकरासबके द' क' सेवा करैत छी, तखन ओसब हुनकासबके जरुरतिके चीज उपलब्ध करबैत अछि। मुदा, एहिस' बेसी ई हुनकासबके परमेश्वरके बेसी धन्यवाद देबएलेल प्रेरित करैत छन्हि।13अहाँसब परमेश्वरक लोकसबके सेवा क' क' स्वयंके सिद्ध करैत छी जे यरूशलेममे रहैत अछि। तखन, ओसब परमेश्वरक आदर करताह किएकत' अहाँ वास्तवमे ओहिना करैत छी जे मसीहक विषयमे सुसमाचार अछि, ओएह सुसमाचार अछि जे अहाँ कहैत छी, अहाँ हुनकापर विश्वास करैत छी। ओसब परमेश्वरक आदर सेहो करताह किएकत' अहाँसब उदारतापूर्वक हुनकासबहक संग आ सब विश्वासी सबहक संग जे किछु अछि फांटि लैत छी।14एहिके अतिरिक्त, यरूशलेममे यहूदी मसीही सेहो अहाँक लेल प्रार्थना करैत देखएके ललसा करैत छथि, ओना जखन परमेश्वर अनुग्रहमे अहाँके सक्षम बनबैत छथि त' अहूं बहुत उदारताक संग दैत छी।15हम परमेश्वरके धन्यवाद दैत छिएन्हि जे ओ हमरासबके ईसब चीज देलथिन जे हमरासबस' बेसी अद्भुत अछि!

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67