2 Corinthians8
1यौ हमर संगी-विश्वासीसब, हमसब अहाँसबके ई कहए चाहैत छी जे परमेश्वर कृपापूर्वक मकिदुनिया प्रान्तमे रहनिहार विश्वासीसबके समूहके की करबामे सक्षम कएने छथि।2ओसब बहुत कष्ट सहलकनि तथापि, जे हुनकासबस' एहि बातक परीक्षा लेलनि जे ओसब केहन प्रतिक्रिया देताह, मुदा ओ बहुत उदार रहलथि। हुनकासबलग बहुत कम रहितो ओसब बहुत प्रसन्न रहथि।3सचमुच, हम गवाही दिअ सकैत छी, जे जतेक हुनकासबहक सामर्थ्य रहनि ओहि अनुसार द' सकलनि, आ जतेक सम्भव छलनि ताहिस' बेसी सेहो देलनि। ओसब ओएह लोक रहथि जे एहन करब पसीन कएलनि।4जखन ओसब हमरासबके स्वीकार करएलेल कहलनि जे द' रहल छल त' ओसब बहुत आग्रह कएलक। ओसब परमेश्वरक पवित्र लोकक सेवामे सहभागी होबएलेल अनुग्रहके विषयमे विनती करैत छलनि।5एहिके अतिरिक्त ओसब हमरासबहक अपेक्षा स' बहुत बेसी कएलनि। ओ मुख्य रुपस' प्रभु यीशुके सेवा आ फेरु हमरासबहक सेवामे समर्पित रहथि। एहिना परमेश्वर चाहबो करैत छथि।6ओहिस' हम तीतुसके आग्रह कएलहुं जे अहाँ जे द' क' अनुग्रह क' रहल छी से स्वीकार करब समाप्त करथि, किएकत' ओ पहिनेस' एना करब शुरु क' देने छलाह।7जं अहाँके बात अछि, अहाँसब पहिनेस' कतेको तरहें नीक क' रहल छी। एहिमे ओ सबकिछु सेहो सहभागी अछि जे अहाँ परमेश्वरपर कोना भरोसा करैत छी, की कहैत छी, कतेक जनैत छी, अहाँ सदिखन कतेक उत्सुक छी अनुग्रहमे काज करबाक लेल, आ हम अहाँस' कतेक प्रेम करैत छी। तएं अहाँसबके सेहो संगी विश्वासीसबके लेल पाइ देबएमे नीक करबाक चाही।8हम अहाँके भुक्तान करबाक आदेश नहि द' रहल छी। बल्कि हम ई देखाबए चाहैत छी जे अहाँ वास्तवमे संगी-विश्वासी पर प्रेम करैत छी, एकर जांच ओहिस' क' क' जे आन लोक सदिखन उत्सुक रहैत अछि।9एहिलेल अहाँसबके पाइ देबाक लेल उत्सुक रहबाक चाही किएकत' अहाँसब जनैत छी जे हमरासबहक प्रभु यीशु मसीह कृपापूर्वक अहाँके मदतिलेल सबकिछु त्यागि देलनि। हुनकालग बहुत रास चीज छलनि। ओ अपन सब किछु छोड़ि अहाँके बहुत किछु देब चाहैत छलाह।10हम दान देबएके विषयमे जे सोंचैत छी से कहि रहल छी किएकत' एहिस' अहाँसबके हमर विचार सुनएमे मदति होइत अछि। पछिला साल अहाँ दुनूगोटे सेहो पाइ देब लगलहुं।11एहि समयमे जे काज शुरु कएने रही से पूरा करए पड़त। एहि तरहें अहाँ जे काज पूरा करैत छी से ओहि काजस' मेल खाइत अछि जे अहाँ उत्सुकतापूर्वक करए चाहैत छलहुं, अर्थात् किछु देब जे अहाँ लग अछि।12आब जे लोक दैत छथि ओकरा जे किछु छन्हि ओकर आधार पर परमेश्वर अनुमोदन करैत छथि, जे नहि अछि ओकर आधार पर नहि। ओसब देबाक लेल उत्सुक होबएधरि ई बात सत्य अछि।13तएं एहन बात नहि जे हम चाहैत छी जे जखन आन विश्वासी नीक जकां जीवित छथि तखन अहाँसब कष्ट सहू। बल्कि हम चाहैत छी जे विश्वासी लोकनि जे किछु अछि से बरोबरि फांटि लेथि।14एहि समयमे जतेक अहाँ लग अछि ओतबे मदतिक' सकैत छी जेकरालग कम छन्हि। जखन ओहि लोकसबलग बहुत किछु छन्हि आओर अहाँ लग कम अछि तखन ओ अहाँके मदतिक' सकैत छथि। ओहि तरहें विश्वास करएबला लोक लग जे अछि तेकरा बरोबरि फांटि लैत छथि।15 हमसब चाहैत छी जे ई एहने होअए जेना की ओहि समयमे केओ लिखने रहथि जखन परमेश्वर पराक्रमी छलथि आ इजराएलीसबके लेल भोजनक व्यवस्था करैत छलाह, “जेकरास लग पर्याप्त छलनि हुनकासबलग जरुरति स' बेसी नहि छलनि। जेकरालग कम छल ओकरा आवश्यकतास' कम नहि रहनि।”16हमसब परमेश्वरके धन्यवाद दैत छिएन्हि जे ओ तीतुसके अहाँके देखभाल करबाक लेल मनमे ओतबे उत्सुक बना देलनि जतेक हमसब छी।17असलमे, ओ अहाँ लग आंशिक रुपस' एहिलेल आएल छथि जे ओ एना करबाक लेल हमरासबके आग्रह सुनने छथि। तथापि, विशेषरुपस' ओ अहाँके देखए आबि रहल छथि कारण ओ एतेक उत्साहित छथि अहाँके देखभाल करएलेल जे ओ स्वयं अहाँके लग आबएलेल चुनने छथि।18हमसब तीतुसके संग रहबाक लेल एकटा संगी-विश्वासीके चुनने छी। बहुते विश्वासीसबके समूह हुनकर प्रशंसा करैत छन्हि ओ जे काज करैत अछि सुसमाचारके लेल।19एतबे नहि, ओ विश्वासीसबके समूहसब सेहो हुनका हमरासंग यात्रा करबाक लेल अनुग्रहके संग चुनने छथि। ओ हमरासबहक मदतिक' रहल छथि जखन हमसब यरूशलेममे रहनिहार विश्वासीसबके लेल पाइ स्वीकार करबाक काज करैत छी। ई पैसा स्वीकार करब प्रभु परमेश्वरके सम्मान करैत अछि आ ई दर्शबैत अछि जे संगी-विश्वासीके सेवा करबाक लेल हमसब कतेक चिन्तित छी।20एहिलेल हमसब सब सम्भव प्रयास क' रहल छी जे दोसरो हमरासबके सेवाके आलोचना नहि करए जे हमसब जे काज करैत छी एहि पैसास' लोकके उदारतास' देल गेल अछि।21जेना की अपनेसब देख रहल छी जखन हमसब ई पैसा जमा करए लगलहुं, ताहिस' पहिने हमसब योजना बनौने रही जे ई काज कोना नीकस' कएल जाए। प्रभु की सोंचैत छथि ताहिपर सोंचैत छलहुं, मुदा आन लोक की सोंचैत अछि ताहिपर सेहो सोंचैत छलहुं।22हमसब एकटा आओर विश्वासीके चुनने छी जे तीतुस आओर दोसर आदमी जिनकर विषयमे हम बाजि रहल छलहुं से संग चलए। हुनक प्रतीक्षा स' हमसब ई बुझि गेलहुं जे ओ परमेश्वरक सेवा करएलेल उत्सुक छथि। असलमे, कारण हुनका पूर्ण विश्वास छनि जे अहाँ सही काज करब, एहि समयमे ओ विशेषरुपस' अहाँसंगे सेवा करबाक लेल उत्सुक रहताह।23हम एहि आदमीसबके सिफारिश करैत छी। हम जे करैत छी ताहिमे तीतुस हमर सहकर्मी अछि आ हमरासंग काजमे सहभागी अछि जे अहाँके मदति करैत अछि। विश्वासीक समूह दूटा आन साथी विश्वासीके पठारहल छथि, आओर ओ मसीहके महिमाके लेल मण्डलीके दूत छन्हि।24त' फेरु, एहि तीनूगोटेके संगे-संगे विश्वासीसबके समूहके सेहो देखाउ जे अहाँ वास्तव साथी विश्वासीके प्रेम करैत छी आ अहाँके विषयमे जे नमहर बात कहि रहल छी से वास्तवमे सत्य अछि।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.