2 Corinthians10

1आब हम अर्थात् पौलुस अपने विषयमे कहब। हम विनम्रता आ तर्क संगत स' आग्रह करैत छी जे ठीक अछि ओएह काज करु, ठीक ओहिना जेना मसीह विनम्र आ उचित छलथि। किछु लोक कहैत अछि जखन हम अहाँके संग शारीरिक रुपस' उपस्थित छलहुं तखन अहाँके संग विनम्र छलहुं, मुदा आब जखन दूर छी तखन अहाँके जबरदस्ती क' रहल छी।2जखन हम ओहि लोकसबके विरुद्ध निर्भीकतापूर्वक काज करैत छी जे सोंचैत अछि जे हम आ हमरासंग सेवा करएबला लोकसब मात्र मानवीय ढंगस' व्यवहार करैत छी त' हमर मनसाय रहैत अछि जे हम जबरदस्ती करी। तएं, जे सही छै ओएह करबाक लेल हम अहाँस' आग्रह करैत छी जे जखन हम अहाँस' भेट करएलेल आबि जाएब त' हमरा सेहो अहाँके जबरदस्ती करबाक आवश्यकता नहि होअए।3असलमे हमसब भलेहि मनुष्यके रुपमे काज करैत छी मुदा विशुद्ध मानवीय तरीकास' अपन रक्षा नहि करैत छी।4जे किछु हमसब अपन रक्षाके लेल ढाल उपयोग करैत छी ओ एहन सांसारिक वस्तु नहि अछि जेकर उपयोग मनुष्य सामान्य रुपस' करैत अछि बल्कि, जेकर उपयोग हमसब अपन रक्षाके लेल करैत छी परमेश्वर हुनकासबके सशक्त बनबैत छथि जाहिस' हमसब ओहि बातके निरस्त क' सकब जेकर दोसरो लोक जोरदार बहस करैत अछि।5हमसब एहन कोनो बातके निरस्त करैत छी जाहिके विषयमे लोक परमेश्वरक ज्ञान स' नमहर दाबी करैत अछि। एहिके अतिरिक्त, हमरासबद्वारा सोंचल जाएबला प्रत्येक बातके प्रभावित करएलेल सेहो काम करैत अछि जाहिस' ओसब मसीहक आज्ञापालन क' सकए।6जाहि समयमे अहाँ मसीहके पूर्णरुपस' आज्ञा मानब, ओहि समयमे हमसब जे केओ हुनकर आज्ञा नहि मानत तेकरा सजाय देबएलेल तैयार रहब।7सोंचू जे की स्पष्ट अछि। मानि लिअ जे लोकसबके ई विश्वास अछि जे ओसब मसीहक प्रतिनिधित्व करैत अछि। एहन लोकसबके ई मोन रखबाक चाही जे हमसब सेहो मसीहक प्रतिनिधित्व ओहिना करैत छी जेना ओसब करैत छथि।8असलमे, जं हम एहि अधिकारमे बहुत रास नमहर बात कहैत छी त हम स्वयंके अपमानित नहि करैत छी जे जं हम प्रभुके विषयमे बहुते बढ़का बातसब कहैत छी जे ओ कोना हमरासबके अपन प्रतिनिधि होबएलेल सामर्थी बनौलथि जे हमसब अहाँके परमेश्वरपर भरोसा करएमे प्रोत्साहित आ मजगूत क' सकी, आ हमसब अहाँके हतोत्साहित नहि करी।9तएं अहाँ कहि सकैत छी जे हम अहाँके जबरदस्ती पत्र पठबैत काल अहाँके डेराबएके कोशिस नहि क' रहल छी।10हम ओ पत्रसब लिखैत छी एहिलेल जे किछु लोक कहैत अछि हमरा विषयमे, “ओ हमरासबके कठोर आ जबरदस्ती पत्र पठबैत छथि, मुदा ओ स्वयं शरीरमे कमजोर छथि आ हमरासबहक संग रहलापर बहुत खराब बजैत छथि।”11एहन बात कहएबलाके ई बुझबाक जरुरति अछि जे बात हमसब अहाँसबके पठएने रही ओ बात जखन अहाँसबहक संग नहि रहैत छी तखन अपन पत्रमे लिखैत छी, तखन हमसब अहाँसबहक संग रहलापर सेहो ओएह काज करैत छी।12हमसब ई कहएमे बहुत विनम्र छी जे हमसब हुनकास' नीक छी जेकरा अहाँ चिन्हैत छी, आ कहैत अछि जे ओ विश्वासयोग्य अछि। ओसब मूर्ख अछि। जखन ओसब कहैत अछि जे हमसब महान छी त' ओसब केवल स्वयंके मात्र देख रहल अछि।13एहिके विपरीत, हमसब अपने विषयमे ओतेक पैघ बात नहि कहैत छी जे हमसब नहि करए सकैत छी। बल्कि, हमसब अपने विषयमे एतबे पैघ बात कहैत छी जे ओहि काजस' मेल खाइत अछि जे परमेश्वर हमरासबके करबाक लेल देने छथि। एहिमे इहो सामेल अछि जे हमसब अहाँसबहक संग रहैत काल करैत छी।14जं हमसब वास्तवमे अहाँ लग नहि आएल रहितहुं तखन अहाँ जे परमेश्वर हमरासबके देने अछि ताहिमे भाग नहि लेने रहितहुं। ठीक, हमसब वास्तवमे अहाँसबलग पहिनेस' आबि गेल छी आ अहाँसबके मसीहक विषयमे नीक सुसमाचार सुना देने छी।15जे दोसर लोक की करैत अछि ताहि आधार पर हमसब अपन विषयमे पैघ बात एहिलेल नहि करैत छी, बल्कि हमसब जे करैत छी ताहि आधार पर। असलमे हमसब पूरे विश्वासक संग अपेक्षा करैत छी जे परमेश्वर हमरासबके अहाँके संग आओर बेसी काज देथिन। ओ बात तखन होएत जखन अहाँ परमेश्वरपर आओर बेसी भरोसा करब।16एहि तरहें हमसब ओहि लोकसबके सुसमाचार प्रचार क' सकैत छी जे अहाँस' बेसी हमरासबस' अलग रहैत छथि। परमेश्वर जे काज देने छलाह से दोसर लोक कोना कएलनि ताहि कारण ओसब अपने विषयमे बात करए लागल हमसब ई करबाक योजना बना रहल छी।17 प्रत्येक व्यक्तिके ओहिना करबाक चाही जेना यर्मियाह प्रवक्ता लिखने छलथि, “जे केओ पैघ-पैघ बात कहए त ओ प्रभुके विषयमे कहएक।”18प्रत्येक व्यक्तिके ई करबाक चाही किएकत' प्रभु यीशु ओहि लोकक सिफारिश करैत छथि जिनका ओ ग्रहणयोग्य कहैत छथि, नहि की ओ लोक जे स्वयं अपने विषयमे ओ बात कहैत छथि।

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67