2 Corinthians7
1तएं, यौ प्रिय संगी विश्वासीसब, जिनकास' हम प्रेम करैत छी, किएकत' परमेश्वर हमरासबस' एहिसब बातक वचन देने छथि, तएं हमरासबके शरीर आ आत्माके अशुद्धतासबस' शुद्ध भ' जाउ जे हमरासबके बाहर आ भितरस' अशुद्ध करैत अछि। जखन हम परमेश्वरस' डेराइत छी तखन हमरासबके पूरे पवित्र होएबाक चाही।2हमसब अहाँसबस' हमरासबहक ध्यान रखबाक लेल विनती करैत छी! हमसब केकरो चोट नहि पहुंचएलहुं, केकरो ठकने नहि छी, केकरो नाश नहि देने छी।3हमसब ई सबबात अहाँपर दोष लगाबएलेल नहि कहि रहल छी। वास्तवमे, जेना हम पहिनहि लिखने रही जे संगे जीबि चाहे मरी, हमरासब अहाँसबके बहुत चिन्ता अछि किएकत' अहाँसब हमरासबके हृदयमे छी।4हमरा बहुत विश्वास अछि जे अहाँ ओएह काज करब जे ठीक होएत। सत्ते, हम अहाँके विषयमे प्राय नमहर बात कहैत छी। अहाँ हमरा बहुत प्रोत्साहित करैत छी, आ जखन हमसब कष्ट उठबैत छी। तखनो हम अहाँके विषयमे बहुत आनन्दित होइत छी।5आब हम कोना यात्रा कएलहुं घुरैतकाल, जखन हमसब मकिदुनिया पहुंचलहुं त' हमरासबहक लेल काज सहज नहि छल। बल्कि हमसब कतेको प्रकारक कष्ट भोगलहुं। हमरासबस' आन लोकसब हमरासबसंग झगड़ा कएलक, आ हमसब प्राय डेराएल छलहुं।6ओना, जे हतोत्साहित महसूस करैत अछि, ओकरा परमेश्वर प्रोत्साहित करैत छथि। ओ तीतुसके हमरासबमे सहभागी क' क' प्रोत्साहित कएलनि।7आंशिक रुपस' तीतुसके सहभागी कराओल गेलाकबाद परमेश्वर हमरासबके उत्साहित कएलनि मुदा अहाँ जे कएलहुं ताहिस' बेसी तीतुसके उत्साहित कएलनि। ओ हमरासबके कहलनि जे अहाँ हमरास' भेट करए चाहैत छी, कारण अहाँके जे कएलहुं ताहिके लेल पछतावा अछि, आ अहाँ हमरा सम्मान करबाक प्रयास क' रहल छी। ओहि बातसबके कारण हम पहिनेस' बेसी आनन्दित छी।8हमरा हमर लिखल अन्तिम पत्रकलेल पछतावा नहि अछि, भलेहि हम जे लिखलहुं ताहिस' अहाँके आहत भेल होएत। असलमे, हम ओ पत्र लिखने रही ताहिके विषयमे हमरा कनिको दुख नहि अछि हमरा बुझल अछि जे ओ पत्र अहाँके आहत कएलक, मुदा ओ कनिए कालकलेल भेल।9मुदा, आब तीतुस अहाँसबहक विषयमे जे किछु कहलनि ताहिस' हम बहुत प्रसन्न छी। हम प्रसन्न एहिलेल नहि छी कारण हम अहाँके चोट पहुंचा देलहुं। बल्कि हम प्रसन्न एहिलेल छी कारण जखन हम अहाँके चोट पहुंचएलहुं तखन अहाँ जे कएलहुं ताहिपर अहाँके पश्चाताप आबि गेल आ पश्चाताप करएलेल छोड़ि देलहुं। असलमे अहाँके एहि तरहें आहत भेल जे परमेश्वरक आदर करैत अछि। तएं हम अहाँके कोनो नीक काजस' वंचित नहि कएने छी।10एना एहिलेल भेल किएकत, जखन लोकसब ओहि ढंगस' शोकित महसूस करैत अछि जाहिस' परमेश्वरक महिमा होइत अछि, त' ओ जे कएने छलथि, ओहिके लेल हुनका पश्चातापके लेल आ ओहिके करबाक लेल बंद क' देबाक लेल प्रेरित करैत अछि। हुनकासबके अफसोस नहि छनि जे हुनकासबके आहत भेलनि, कारण ओकरासबके उद्धारक लेल ओकरासबके लगैत छनि जे परमेश्वर ओकरासबके उपयोग करैत छथि। मुदा, जखन लोक बेसी आहत महसूस करैत अछि, ओ केहन लगैत अछि ओ अन्तमे एहि दुनियांमे मृत्युके कारण बनैत अछि।11रहल बात अहाँके त' जखन अहाँ परमेश्वरक सम्मान करएबला तरीकास' आहत भेलहुं त' निश्चितरुपस' ई अहाँके बहुत उत्साही भ' क' सही काज करबाक लेल प्रेरित कएलक। अहाँ तर्क देलहुं जे अहाँ पवित्र छी। जे भेल छल ताहिपर अहाँ परेशान छलहुं। अहाँ डेराइत छलहुं की भ' सकैत अछि। अहाँ उत्सुक भ' क' हमरासबस' भेट करए चाहैत छलहुं। अहाँ हमरासबहक सम्मान करबाक प्रयासमे छलहुं। अहाँ ओहि व्यक्तिके न्याय देलिऐ जे गलत काज कएने छल। ओसब काज क' क' अहाँ ई देखा देलिऐ जे किछु भेल ओकर प्रतिक्रियामे अहाँ सही काज कएलहुं।12तएं जखन हम अहाँके पछिला पत्र पठएलहुं त' हम विशेष क' क' ओहि व्यक्तिस नहि बाजि रहल छलहुं जे अधलाह काज कएने रहए। एहिके अछैतो, हम मुख्य रुपस' ओहि व्यक्तिस' बात धरि नहि क' रही जेकरा ओ चोट पहुंचएलथि। बल्कि हमर मनसाय छल जे अहाँ हमरासबहक प्रति उचित व्यवहार करबाक लेल कतेक उत्सुक छी आ परमेश्वर एहि स्वीकार करैत छथि।13ओना अहाँ एहि तरहें जबाब द' हमरासबके प्रोत्साहित कएलहुं। सचमुच, अहाँ हमरासबके प्रोत्साहित कएलहुं, मुदा हमसब एहि बातस' बेसी प्रसन्न छी जेना अहाँ तीतुसके मनके प्रसन्न कएलहुं। अहाँसब तखन ई काज कएलहुं जखन अहाँसब हुनका सान्त्वना द' क' मजगूत कएलहुं।14हमसब बहुत आनन्दित भेलहुं किएकत' अहाँ हमरा लज्जित होबए नहि देलहुं जखन हम तीतुसके अहाँके विषयमे पैघ बात कहलहुं। बल्कि तीतुसके बुझएमे अएलनि जे हमसब अहाँसबके विषयमे पैघ बात कहैत छलिऐ, ओ वास्तवमे सत्य छल। ई तहिना जेना हमसब जे किछु अहाँके कहलहुं से सत्य अछि।15तीतुसके मोन छनि जे अहाँसब हमरासबहक बात कोना मानलहुं, खास क' क' जखन ओ अएलापर अहाँसब हुनकास' कोना डेराइत छलहुं। ओहिस' आब ओकरा अहाँके प्रेम आओर बेसी छन्हि।16हम प्रसन्न छी किएकत' हमरा एकदम विश्वास अछि जे अहाँ सही काज क' रहल छी।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.