2 Corinthians6
1परमेश्वरके संग सेवा करएबलाके रुपमे, हमसब अहाँसबके आग्रह करैत छी जे परमेश्वर कृपाक' क' अहाँक लेल कएलनि, ओहिके व्यर्थमे नहि जाए दिऔ, किएकत' अहाँसब जाहि ढंगस' जीवन व्यतीत करैत छी, ओहिके बदलि दैत अछि।2 अहाँसबके एहिलेल करबाक चाही किएकत' पवित्र शास्त्रमे परमेश्वर कहैत छथि:“जखन हम सोंचलहुं जे ई उचित समय अछि, तखन हम अहाँसबहक बात सुनलहुं।वास्तवमे, जखन हम लोकसबके उद्धार क' रहल छलहुं, त हम अहाँसबके मदति कएलहुं।”एखन ओ समय अछि जाहिके परमेश्वर उत्तम समय मानैत छथि! असलमे, ओ समय एखन अछि जखन परमेश्वर लोकसबके बचा रहल छथि!3हमसब एहन काज करबास' वंचित छी जाहिस' दोसरके ठेंस पहुंचा सकैत अछि। ओहि तरहें केओ आलोचना नहि क' सकैत अछि जे हमसब परमेश्वरक सेवा कोना करैत छी।4बल्कि परमेश्वरक सेवामे हमसब ई सिद्ध करैत छी जे हमसब सब तरहें विश्वासयोग्य छी। जखन लोक हमरासबके नोक्सान करैत आ सतबैत अछि तखन हमसब सदिखन दृढ़तापूर्वक ठाढ़ रहैत छी।5जखन लोकसब हमरासबपर प्रहार करैत अछि, हमरासबके जहलमे राखि दैत अछि, आ हमरासबके विरुद्ध भीड़के भड़कबैत अछि, तखन हमसब दृढ़तापूर्वक ठाढ़ भ' जाइत छी। जखन हमसब कठिन परिश्रम कएलाक बाद बेसी निन नहि अबैत अछि, आ भूखल रहैत छी, तखनो हमसब दृढ़ रहैत छी।6हमसब खराब स' मुक्त छी, आ सत्य जनैत छी, आ सहजे क्रोधित नहि होइत छी। हमसब दोसरके चिन्ता करैत छी, हमरासबलग पवित्र आत्मा अछि, आ हमसब लोकस' कृपालु भ' क' निष्कपट प्रेम करैत छी।7हमसब जे सत्य अछि से घोषणा करैत छी, आ परमेश्वर हमरासबके सामर्थ्यस' काज करबामे सक्षम करैत छथि। हमसब धर्मी छी, जे एक हाथमे तरुआरि आ दोसर हाथमे ढाल जकां छी।8किछु लोक हमरासबहक आदर करैत अछि, त' केओ हमरासबके लज्जित करैत अछि। किछु लोक हमरासबके विषयमे अधलाह बात कहैत अछि, त' किछु लोक हमरासबके विषयमे नीक-नीक बात कहैत अछि। किछु लोक सोंचैत अछि जे हमसब झूठ बजैत छी, मुदा यथार्थमे हमसब मात्र ओ बात बजैत छी जे सत्य अछि।9 किछु लोक सोंचैत छथि जे हमरासबके केओ नहि चिन्हैत अछि, मुदा असलमे, परमेश्वर हमरासबके चिन्हैत छथि। किछु लोक हमरासबके मारल बुझति छथि, मुदा असलमे हमसब जीवित छी! किछु लोक सोंचैत छथि जे परमेश्वर हमरासबके सजाय द' रहल छथि, मुदा वास्तविकतामे, ओ ई निर्णय नहि कएलनि जे हमरासबके मरबाक चाही।10किछु लोक सोंचैत छथि जे हमसब दुखित छी, मुदा असलमे हमसब सदैव हर्षित रहैत छी। किछु लोकके लगैत छनि जे हमसब जरुरतिमे छी, मुदा वास्तविकतामे हमसब बहुत लोकके ओहि चीजके हासिल करबामे मदति करैत छी जे सहीमे मूल्यवान अछि। किछु लोक सोंचैत अछि जे हमरासबलग किछु नहि अछि, मुदा यथार्थमे, हमरासबलग सबकिछु अछि।11यौ कोरिन्थ शहरमे रहनिहार भाइसब, जे सत्य अछि से हमसब अहाँसबके हृदय खोलिक' कहने छी, आ अहाँसबहक लेल बहुत चिन्तित छी।12हमसब एहन लोक नहि छी जे अहाँके देखभाल छोड़ि देने छी। बल्कि अहाँसब हमरासबहक प्रेम छोड़ि देने छी।13आब हम अहाँस' एहि तरहें बात करब जेना अहाँ साधारण बच्चा सोंचैत अछि: त जं हमसब अहाँके देखभाल करैत छी, तएं ई तखने उचित होएत जखन अहाँ बदलामे हमरासबहक चिन्ता करब।14जे मसीहमे विश्वास नहि करैत अछि, ओकरासब संगे जुआमे नहि जुगू। किएकत' हम कहैत छी जे अधर्मके धार्मिकतास' कोनो संगति नहि अछि। ततबे नहि जे नीक आ अधलाहमे कोनो समानता नहि अछि।15मसीह बलियालके साथ कोनो बातक विषयमे सहमत नहि छथि। एकर अतिरिक्त, जे मसीहपर भरोसा करैत छथि, ओ मसीहपर विश्वास नहि करएबलाके साथ नहि जुड़ैत छथि।16 परमेश्वरक मन्दिर आन देवतासंग मेल नहि खाइत अछि। असलमे, जेना हमसब विश्वासीसब जीवित परमेश्वरक एकमात्र वास्तविक मन्दिर छी। अहाँ कहि सकैत छी जे हमसब परमेश्वरक मन्दिर छी किएकत' परमेश्वर कहने छथि ई वचन शास्त्रमे, “हम अपन लोकक संग रहब। निश्चितरुपस' हम ओकरासबके नहि छोड़ब। ओसब हमरा अपन परमेश्वर मानत आ हम ओकरासबके अपन लोक मानब।”17 तएं, हमरासबके सेहो ओएह करबाक चाही जे प्रभु परमेश्वर कहैत छथि शास्त्रमे, “ओहि लोकसबस' दूर भ' जाउ जे हमर सेवा नहि करैत छथि। सुनिश्चित करु जे अहाँ अलग छी। जे किछु अहाँके अशुद्ध करैत अछि, ताहिस' दूर रहू।” ओ कहैत छथि, “तखन, हम अहाँके प्रसन्नतापूर्वक ग्रहण करब।”18 आगु, सर्वशक्तिमान प्रभु जे सबकिछुपर शासन करैत छथि से कहैत छथि, “हम अहाँके पिता बनब; अहाँसब हमर सन्तान बनब।”
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.