2 Corinthians2

1हम अहाँस' भेटएलेल नहि आएल छलहुं किएकत' हम अहाँस' भेटबाकलेल नहि अएबाक निर्णय कएने रही, पछिला बेर जखन हम अहाँस' भेटएलेल आएल जकां हमरास' अहाँके दुख नहि पहुंचए।2हम फेरु अहाँस' भेटबाकलेल नहि अएबाक निर्णय कएलहुं कारण, जखन हम अहाँके दुख पहुंचबैत छी तखन हम एकमात्र एहन लोकके दुख पहुंचबैत छी जे हमरा आनन्दित क' सकैत अछि।3आब जे बात हम अहाँसबके कहि रहल छी से हम अपन पछिला पत्रमे लिख चुकल छलहुं। हम ओ सबटा बात लिखलहुं जाहिस', अगिला बेर जखन हम अहाँस' भेटएलेल आएब त' अहाँ हमरा दुख नहि पहुंचाएब, आ हमहूं ओहिना खुश रहब जेना हमरा अहाँस' खुश रहबाक चाही। हम अहाँसबके एहिलेल लिखलहुं जे अहाँसबहक विषयमे हमरा पूर्ण विश्वास छल जे जखन हम आनन्दित होएब तखन अहाँसब सेहो आनन्दित होएब।4जाहि समय ओ पछिला पत्र हम अहाँके लिखने रही, तखन मनमे हम बहुत दुखित आ पीड़ित छलहुं। वास्तवमे हम लिखैत काल कानए लागल छलहुं। हम अहाँके ओ पत्र एहिलेल पठौने रही जाहिस' अहाँसब बुझि सकब जे हम अहाँके कतेक प्रेम करैत छी। हमरा अहाँके दुखित करबाक मनसाय नहि छल।5 ओना जे व्यक्ति दोसरके दुख पहुंचबैत छल से हमरा वास्तवमे दुख नहि पहुंचौलक। बल्कि ओ व्यक्ति अहाँसबमेस' किछुके दुख पहुंचौलक। हम “किछु” शब्दके प्रयोग एहिलेल करैत छी जाहिस' हम अहाँसबके ओहि व्यक्तिके जे व्यक्तिके दुख पहुंचबैत अछि सहभागी नहि करी।6अहाँसबमेस' अधिकांश गोटे मिलक ओहि व्यक्तिके अनुशासित कएने छी। अहाँसबके आओर किछु करबाक आवश्यक नहि अछि।7 तएं ओहि व्यक्तिके अनुशासित कएलाक बाद आब अहाँके ओहि व्यक्तिके क्षमा करैत प्रोत्साहित करबाक चाही। नहि त' ओ व्यक्ति बहुत उदास भ' हारि मानि लेत।8तएं हम अहाँसबके आग्रह करैत छी जे सार्वजनिकरुपस' ई व्यक्त करु जे अहाँ ओहि व्यक्ति प्रति प्रेम करैत छी।9हमरा ओ पछिला पत्र लिखबाक दोसर कारण छल जे हम निश्चितरुपस' पता लगा सकब जे हम जे किछु कहने रही से अहाँसब करब की नहि।10अन्तमे जखन अहाँ केकरो कोनो काजक लेल माफ क' दैत छी त' हमहूं ओहि व्यक्तिके माफ क' दैत छी। वास्तवमे हम हुनकासबके माफ क' देने छी जे ओ व्यक्ति कएने अछि, भलेहि ओ मूलरुप किछु नहि छल। मसीहक इच्छा अनुसार अहाँके मदति करबाक लेल हम एना कएलहुं।11हमरासबके दोसरोके माफ करबाक चाही जाहिस' शैतान हमरासबपर नियन्त्रण नहि राखि सकए। वास्तवमे हुनकर हमरासबके वशमे करबाक योजनाके विषयमे एतबे बुझल अछि।12यात्रा करैत काल घुरि जएबाक लेल जखन हम त्रोआस शहरमे आएल रही तखन प्रभु यीशु हमरालेल मसीहक विषयमे सुसमाचार प्रभावकारी ढंगस' प्रचार करब दुआरि खोललनि।13ओना त हमर विश्वासी संगी तीतुस त्रोआस नगरमे नहि छलाह, तएं हम मनमे एहि बातक चिन्ता करैत रहलहुं जे जखन ओ अहाँसबके देखए आएल छलाह तखन की भ' सकैत छल। एहिलेल, ओतए विश्वासी लोकनि स' चलि गेलाकबाद हम मकिदुनिया प्रान्तके यात्राके लेल निकलि गेलहुं।14आब हम परमेश्वरक स्तुति करैत छी! कारण, ओ हमरा मसीहक संग एकजुट कएने छथि, तएं ओएह छथि जे हमरा हुनकासबहक बीच सदैव एकजुट करैत छथि जेना ओ अपन शत्रुसबपर विजय प्राप्त करैत छथि। एहिके अतिरिक्त, परमेश्वर केहन छथि एहि बातक जानकारी कराबएलेल ओ कतेको स्थानपर हमरा उपयोग कएने छथि।15वास्तवमे हमसब ओहि मोहक सुगन्ध जकां छी जे मसीहस' अबैत अछि आ जे परमेश्वरके प्रसन्न करैत अछि। जं' हमसब ओहि लोकसबसंगे छी जिनका परमेश्वर उद्धारक' रहल छथि आ जखन हमसब मरएबला लोकसबके संगे छी त' हमरासबके एहन सुगन्ध अबैत अछि।16जे मरि रहल लोकसब सोंचैत अछि जे हमसब ओहि दुर्गन्ध जकां छी जे कोनो लासस' निकलैत अछि आ जाहिस' लोक मरि जाइत अछि। दोसर दिस जे जेकरा परमेश्वर बचा रहल छथि से सोंचैत छथि जे हमसब ओहि गंध जकां छी जे कोनो जीवस' निकलैत अछि आ जे लोकके जीवित रखैत अछि। केओ पूर्णरुपस' ओहि तरहें सुसमाचारक प्रचार नहि क' सकैत अछि!17किएकत' हमसब परमेश्वरके सन्देशके पाइमे नहि बेचैत छी, जेना बहुते लोक करैत। बल्कि हमसब केवल परमेश्वरक सेवा करए चाहैत छी, आ किछु पाबएलेल नहि करैत छी। वास्तवमे हमसब सुसमाचारक प्रचार एहिलेल करैत छी किएकत परमेश्वर हमरासबके एहिलेल पठौने छथि। तएं, परमेश्वर ओकरासब संगे हमरासबके मसीहके संग एकसाथ क' देने छथि, जे हम सबलोकके प्रसन्न करएलेल नहि, बल्कि परमेश्वरके प्रसन्न करएलेल सुसमाचारके प्रचार करैत छी।

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67