2 Corinthians1
1हम, पौलुस, अहाँके ई पत्र लिख रहल छी आ हमरासबहक संगी तिमुथियुस, हमरासंगे छथि। परमेश्वर हमरा चुनलनि आ हमरा यीशु मसीहके प्रेरितके रुपमे पठौलनि, किएकत' परमेश्वर इहे चाहैत छलाह। हम ई पत्र अहाँसबके, अर्थात् ओहि लोकसबके पठारहल छी जे परमेश्वरपर विश्वास करएबला सबहक ओहि मण्डलीके अंश छथि, जे कोरिन्थ शहरमे रहैत अछि। हम ई पत्र ओहि सब पवित्र विश्वासीसबके सेहो पठारहल छी जे समस्त अखाया प्रान्तमे रहैत छथि।2परमेश्वर जे हमरासबहक पिता सेहो छथि, आ प्रभु यीशु मसीह अहाँसबपर अपन अनुग्रह आ शान्ति प्रदान करथि।3हम सदिखन अपन प्रभु यीशु मसीहक परमेश्वर आ पिताके स्तुति करैत छी, कारण ओ दयाके पिता छथि जे हमरा सदिखन सान्त्वना प्रदान करैत छथि आ हमर परमेश्वर सेहो छथि।4हम जखन-कखनो विपत्तिमे पड़ैत छी तखन परमेश्वर हमरा सान्त्वना प्रदान करैत छथि। ओ ई एहिलेल करैत छथि जे हमहूंसब कोनो तरहें कष्ट भोगएबलाके शान्ति प्रदान क' सकब। ओ हमरासबके ओहि लोकसबके शान्ति देबएमे सक्षम बनबैत छथि जेना परमेश्वर हमरासबके शान्ति दैत छथि।5अहाँ देखैत छी, जे मसीह हमरालेल बहुत कष्ट भोगलनि, आ आब हम मसीहके छी तएं हम सेहो हुनका जकां कष्ट उठबैत छी। मुदा आब मसीह सेहो हमरा ओतबे सान्त्वना प्रदान करैत छथि।6तएं जखन-कखनो लोक हमरा सतबैत अछि त' ई एहिलेल होइत अछि जे परमेश्वर अहाँसबके सान्त्वना प्रदान करथि आ अहाँसबहक आत्मिकरुपस' उद्धारक' लेथि। परमेश्वर जखन-कखनो हमरा शान्ति प्रदान करैत छथि, त' ई एहिलेल होइत अछि जे ओ अहाँसबके शान्ति देथिन। जहिना लोक हमरा सतबैत अछि, तहिना जखन अहाँसबके सतबैत अछि तहिना परमेश्वर अहाँके धैर्य रखबाक उदेश्यस' ई काज करैत छथि।7हम जनैत छी जे जेना हमरा कष्ट भेल अछि, तहिना परमेश्वर अहाँसबके कष्ट भेलापर सान्त्वनामे सहभागी देताह। तएं हमरा आशा अछि जे अहाँ यीशुपर विश्वास करैत रहब।8हे विश्वासी लोकनि, उदाहरणके लेल हम चाहैत छी जे अहाँसब ई जानि लिअ जे आसिया प्रान्तमे हमरासंगे जे अधलाह भेल अछि। ओसब बात ततेक कठिन छल जे हमरा लागल जेना हम सहन नहि क' सकब। हमरा बुझएमे आबि गेल जे हमरा जीवित रहएके शक्ति नहि अछि आब मरएबला छी।9हमरा एहन लागल जेना केओ न्यायाधीशके कहैत सुनने होएब, “हम अहाँके मृत्युदण्ड दैत छी।” मुदा परमेश्वर हमरा एहन महसूस करौलनि जाहिस' हम अपनेपर नहि, बल्कि परमेश्वरपर विश्वास करब सिख सकब। ओएह छथि जे मृतकके फेरुस' जीवित क' सकैत छथि।10ओना हमरा लगैत होअए जे हम मरि जाएब, तखनो परमेश्वर हमरा ओहि लोकसबस' बचओताह जे हमरा मारए चाहैत अछि, आ ओ हमरा एहन लोकसबस' सबदिन बचबैत रहताह। हमरा विश्वासक संग अपेक्षा करबाक चाही जे ओ फेरु हमरा बचओताह।11जखन अहाँ हमरालेल प्रार्थना क' क' हमर मदति करब। कृपया हमरालेल प्रार्थना करैत रहू जे वरदान बहुत गोटेस' भेटल जाहिस' बहुत लोक परमेश्वरके धन्यवाद देत आ लोकद्वारा हमरालेल प्रार्थना कएलाक कारण परमेश्वर सेहो हमर काज करएलेल उत्सुक होएताह।12हम विवेकके एहि गवाहीपर गर्व अछि जे हम इमानदारी पूर्वक कहि सकैत छी जे जेना परमेश्वर हमरा सक्षम बनौलनि, संसारमे हमसब लोकसबसंगे पवित्रता आ सत्यतामे व्यवहार कएलहुं। हम एहन व्यवहार नहि करैत छी जेकरा सांसारिक अविश्वासीसब बुद्धियार मानैत अछि। बल्कि जखन हम अहाँके संग बतिआति छी तखन परमेश्वर विशेष कृपालु होइत छथि आ ओहि समय हमरा मार्गदर्शन करैत छथि।13ई देखबाक लेल हमर पत्रपर ध्यान दिऔ। अहाँसबलग पठाओल गेल हमर पत्रमे हम मात्र ओएह बात लिखने छी जे अहाँसब सहजतास' पढ़ि सकैत छी आ बुझि सकैत छी। आशा अछि जल्दिए अहाँ हमरासबके पूर्णरुपें बुझब14जेना अहाँ हमरा शुरुएस' कनि-कनि बुझैत छी। जखन हमर प्रभु यीशु घुरताह तखन अहाँसब सेहो हमरा विषयमे घमण्ड करब जेना हम अहाँसबके विषयमे घमण्ड करब।15किएकत' हमरा विश्वास छल जे अहाँ हमरापर गर्व करैत छी, तएं हम एक बेर अहाँस' भेट करबाक योजना बनौने रही जखन हम मकिदुनिया प्रान्त जाइत रही, आ ओतएस' घुरलापर फेरुस' भेट करब। एहि तरहें हमरासंग रहलास' अहाँके दोबर अनुग्रहके लाभ भेटैत अछि। संगहि, हमरा अहाँके शहरस' यहूदिया प्रान्तधरि जएबाक लेल जे किछु चाही से प्रबन्ध करएमे मदतिक' सकैत छी।17हम दुनू बेर अहाँस' भेट करबाक इच्छा रखने छलहुं, मुदा दोसर बेर नहि अएलहुं। एकर माने ई नहि जे हम अपन योजनामे किछु बदलाव कएलहुं। हम ओहि समय जे चाही ताहि अनुसार संसारके लोक जकां अपन योजना नहि बनबैत छी आ नहि बदलैत छी। हम ई नहि कहैत छी जे “हं, हम ई करब” आ फेरु तुरन्त कहैत छी, “नहि, हम ई नहि करब।”18जहिना परमेश्वर विश्वासयोग्य छथि, तहिना हम अहाँसबके जे किछु कहैत छी ताहिमे पुरापुरी इमानदार छी। जखन हमर विचार “नहि” रहत तखन हम कहियो “हं” नहि कहब।19हम आ सिलास आ तिमुथियुस अहाँसबके परमेश्वरक पुत्र यीशु मसीहके विषयमे प्रचार करैत छलहुं। अहाँके बुझल अछि जे जं हुनकर कहल बातक अर्थ “नहि” होअए त' ओ कहियो “हं” नहि कहताह। ओ के छथि ताहि कारण हुनका विषयमे हमर सन्देश सेहो सुसंगत आ विश्वसनीय अछि।20यीशुक कारण, हमसब परमेश्वरक सब प्रतिज्ञा पर विश्वासक' सकैत छी। यीशु ओएह छथि जे ओहि सब प्रतिज्ञाके पूरा करैत छथि। तएं यीशु ओएह छथि जे हमरासबके परमेश्वरक महिमा करैत काल “हं, ई सत्य अछि” कहएमे सक्षम करैत छथि।21ओ परमेश्वरे छथि जे अहाँसबहक संगे-संगे हमरा सेहो मसीहपर दृढ़तापूर्वक विश्वास करैत रहबाक लेल प्रेरित करैत छथि। परमेश्वर सेहो ओएह छथि जे हमरा अपन आत्मा देने छथि जाहिस' हमसब हुनकर सेवा क' सकब।22परमेश्वर हमरासंग रहबाक लेल पवित्र आत्मा देने छथि। ई हुनकर मोहर अछि आ एहिस' ई दुनू बात बुझएमे अबैत अछि जे हम हुनकर छी आ ओ हमरालेल काज सेहो करताह जे हमरालेल करबाक प्रतिज्ञा कएने छथि।23तएं आब हम अहाँसबके पुकारैत कहैत छी जे हम अपन विचार किएक बदलि लेलहुं आ फेरु अहाँस' भेट करबाक मनसाय किएक नहि बनएलहुं। परमेश्वरके साक्षीमे हम झूठ नहि बाजब, मुदा हुनका बुझल छन्हि जे हम अहाँके जे कहि रहल छी से सत्य अछि। हम कोरिन्थ नहि घुरलहुं तेकर कारण ई छल जे अहाँद्वारा कएल गलत काजक विषयमे गम्भीरतापूर्वक बात क' क', अहाँके मन दुखित नहि बनाओल जाए।24जखन हम ई कहैत छी त' हमर ई कहबाक माने ई नहि अछि जे हम अहाँसबके विश्वासके मालिक छी, अहाँसबके ई आदेश द' रहल छी जे मानब आ जे करब। बल्कि, हम सहकर्मी जकां अहाँसबके परमेश्वरक लेल जिअके विषयमे जे किछु कहैत छी, से एहिलेल अछि जे अहाँसब आनन्दित होएब। हमरा अहाँके आज्ञा देबाक आवश्यकता नहि अछि, कारण परमेश्वर स्वयं अहाँके कहैत छथि जे की मानबाक चाही आ की करबाक चाही।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.