2 Corinthians12

1हमरा अपने विषयमे सेहो पैघ-पैघ बात कहबाक जरुरति अछि। यद्यपि ई लाभदायक त' नहि अछि, मुदा हम आगु बढ़ि रहल छी ई बात करबाक लेल जे कोना प्रभु यीशु विशेषरुपस' किछु लोकके ओहे बात सबके प्रगट करैत छथि।2चौदह साल पहिने परमेश्वर एकटा निश्चित मसीहके तेसर स्वर्गपर ल' गेल छलाह। हमरा निश्चय नहि अछि जे परमेश्वर हुनका ओतए शरीरमे ल' गेल छलाह, वा सपनामे, चाहे आत्मिकरुपस' ल गेल छलाह। ई बात कोना भेल से मात्र परमेश्वरेटा सुनिश्चित क' सकैत छथि।3आब ओ निश्चित मसीही व्यक्ति जिनका विषयमे हम अहाँके बेसी कहब। फेरु हमरा विश्वास नहि अछि जे परमेश्वर हुनका तेसर स्वर्गपर शरीरमे वा सपनामे वा आत्मिकरुपस' ल' गेलनि। कोना भेल ई बात केवल परमेश्वरेटा सुनिश्चित क' सकैत छथि।4परमेश्वर ओहि व्यक्तिके स्वर्गलोक ल' गेलाह जे, ओ ओतए आश्चर्यजनक बात सुनलनि जे ओ केकरो लग दोहराक' कहबाक अनुमति नहि छल।5हम हुनका विषयमे पैघ-पैघ बात कहि सकैत छी कारण हम जाहि व्यक्तिके बातक' रहल छी ओ हम छी। ओना हम मात्र एहि विषयमे नमहर नमहर बात करब जे हम कतेक कमजोर छी।6असलमे, मानल जाए जे हम अपने विषयमे नमहर नमहर बात कहए चाहैत छलहुं। त जं हम सत्य कहि रहल छी तएं हम मूर्खतापूर्ण काज नहि करब। ओना हम निर्णय कएने छी जे अपन विषयमे बेसी नहि कहब। ओहि तरहें हमरा कहैत आ करैत देखनिहार लोक मात्र ओ बात कहि सकैत छथि जे हमर विशेषता अछि।7 तखन फेरु परमेश्वर हमरा एतेक पैघ बात प्रगट कएने छथि जाहिस' हम घमण्डी नहि होइत, परमेश्वर हमरा कष्ट भोगए देलनि अछि। विशेषरुपस' शैतानद्वारा पठाओल गेल एकटा आत्मिक प्राणी हमरा सतबैत छल। एहि तरहें, हम अहंकारी नहि होएब।8हम प्रभु यीशुस' तीन तीनबेर विनती कएलिऐ जे हमरा एहन कष्ट देब बंद करु।9ओ हमरा ई कहैत उत्तर देलनि, “जखन हम अहाँके प्रति दयालु व्यवहार करैत छी तखन अहाँके एतबे चाही। सचमुच, जखन लोक कमजोर होइत अछि तखनहि हम ओकरा पूर्णरुपस' मजगूत बना दैत छी।” एहिलेल, बहुत खुश भ' क' हम कतेक कमजोर छी ताहिपर आओर भव्य बात कहब। एहि तरहें मसीह हमरा सदिखन शक्तिशाली काज करबामे सक्षम बनौताह।10त' फेरु, जखन हमरासंग अधलाह होइत अछि हम खुश छी, कारण हम मसीहक सेवा करैत छी। एहिमे तखन सहभागी अछि जखन हम कमजोर छी, जखन लोक हमरा विषयमे खराब बात कहैत अछि, जखन लोक हमरा आहत करैत अछि, जखन लोक हमरा आहत करैत अछि, आ जखन हम संघर्ष करैत छी। हम खुश छी कारण जखन हम कमजोर छी तखन परमेश्वर हमरा मजगूत करैत छथि।11हम मूर्खतापूर्वक बजैत रहलहुं, जेना अहाँ हमरा बाध्य कएने छी। कारण अहाँके कहबाक चाही छल जे हम विश्वासयोग्य छी, मुदा अहाँ एहन नहि कहैत छी, तएं अहाँ हमरा जबरदस्ती कएलहुं। अहाँके ई कहबाक चाही कारण हम ओतबे नीक छी जतेक ओ लोकनि जे कहैत छथि जे ओसब मसीहके सर्वोत्तम प्रेरित छथि। भलेहि हम एकदम नीक नहि होएब मुदा ई बात सत्य अछि।12हम एहन काज करैत रहैत छी जे अहाँसबके ई चेन्हसब अछि जे वास्तवमे हम ओएह छी जेकरा मसीह अपन प्रेरितके रुपमे पठौलनि। हम सामर्थ्यवान रही आ आश्चर्यजनक काज सेहो कएलहुं।13संगहि, हम अहाँके संग एहन व्यवहार नहि कएलहुं जेना अहाँ कोनो आन विश्वासीसबके समूहस' कम महत्वपूर्ण छी। हम अहाँके संग अलग प्रकारक दुष्ट नहि व्यवहार कएलहुं एकमात्र तरीका छल जे हम अहाँस' पैसा मांगिक' परेशान नहि कएलहुं। यदि ठीके एहन करब गलत छल त' कृपया हमरा एहन काजक लेल माफ करु!14एहिपर ध्यान दिऔ! तेसर बेर भेट करए आबि रहल छी। तखन फेरु हम अहाँस' पैसा मांगिक' परेशान नहि करब। एहिलेल हम चाहैत छी जे अहाँ हमरा आ मसीहपर भरोसा करु। असलमे, हम अहाँके माय-बाबू जकां छी तएं अहाँक लेल पाइ जमा करैत छी। संगहि, त जं अहाँ हमर बच्चासब सन छी, तएं हमरालेल पाइ जमा करबाक आवश्यकता नहि होएबाक चाही।15हम खुशीस' अहाँसबके आत्माके मदति आ अनुभव करबाक लेल किछुओ करब। जखन हम अहाँस' पहिनेस' बेसी प्रेम करैत छी, तखन अहाँ हमरास' कम पहिनेस' प्रेम नहि करबाक चाही।16तखन, अहाँ सहमत भ' सकैत छी जे हम अहाँके व्यक्तिगत रुपस' पैसा मांगिक' परेशान नहि कएलहुं। ओना सम्भवत हम कोनो चतुर व्यक्ति छी। आ भ' सकैत अछि जे हम अहाँके पैसास' ठकने रही जे हमरा पैसा देल जाए।17तथापि, हम एहन व्यक्तिके अहाँ लग नहि आबए देलिऐ, जे अहाँके ठकि क' हमरालेल काज कएने अछि।18जेना, हम तीतुसके अहाँके संग जएबाक लेल विनती कएलिएन्हि, आ हम एकटा सहकर्मी भाइके हुनकासंग जएबाक लेल पठएलहुं। अहाँसबके बुझल अछि जे तीतुस अहाँके धोखा नहि देलक। हम आ ओ एकहि आत्माके तरहें जीवित छी आ एकहि आत्माके तरहें काज करैत छी।19अहाँसबके ई बुझबाक चाही जे हमसब ईसब किएक कहलहुं, ई नहि जे अहाँसबके ई बुझा सकब जे हम आ हमरासंग सेवा करएबला लोकसब विश्वासयोग्य अछि। बल्कि, जेकरा परमेश्वर मसीहके संग एक कएलनि, हुनक अनुसार हम ओएह बात कहैत रहलहुं जाहिस' परमेश्वर प्रसन्न होइत छथि। निसन्देह, यौ प्रिय संगी-विश्वासी, हमरासबहक सब बात आ काजमे हमरासबहक मनसाय अछि जे अहाँसबके ओहि लोकके समृद्ध करएमे मजगूत करी जिनकास' हमसब प्रेम करैत छी।20ई बात हम एहिलेल कहि रहल छी कारण जखन हम जे करए चाहैत छी ताहिके लेल अहाँस' भेट करए अबैत छी त' हमरा डर होइए जे की होएत। हमरा चिन्ता अछि जे हमरा बुझल रहत जे अहाँ हमरा जे चाहैत छी से नहि क' रहल छी जे अहाँके काज करबाक चाही आ अहाँके बुझल होएत जे हम अहाँ जे चाहैत छी से नहि क' रहल छी जे हमरा काज करबाक चाही। हम चिन्तित छी जे अहाँसब लड़ैत रहब एक दोसरास', ईर्ष्या एक-दोसरस', क्रोध एक-दोसरस', एक-दोसरपर काबू करबाक प्रयास करब, ओसब एक-दोसरके विषयमे खराब बात कहैत रहब, ओसब झूठ-मूठ कथा कहैत होएत दोसरक विषयमे, ओसब अपने विषयमे पैघ-पैघ बात कहि रहल होएत, वा भीड़क तामस एक-दोसर विरुद्ध होएत।21जखन हम तेसर बेर अहाँस' भेट करए अबैत छी की होएत से हमरा चिन्ता होइत अछि। परमेश्वर हमरा अहाँसबके विषयमे लज्जित क' देथि। एहिके बाहेक, भ' सकैत अछि हमरा बहुत एहन लोकपर बहुत दया आबि जाएत जे पहिने पाप कएने अछि आ अनैतिक सम्बन्ध बनबएस' पश्चाताप नहि कएने अछि।

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67