2 Corinthians11
1आगु, जखन हम किछु बात कहैत छी जे हमरा मूर्खतापूर्ण बुझाति अछि, त' आशा अछि जे अहाँ हमरासंग धैर्य राखब। हमरा बुझल अछि जे अहाँ हमरासंग धैर्य रखैत छी!2किएकत हम परमेश्वरीय जलनके द्वारा अहाँसबके लेल जलन रखैत छी, तएं हम अहाँसबके एके पतिके संग विवाह करबाक एहिलेल निश्चित क' देली, जे अहाँके एकटा पवित्र कुमारिके रुपमे मसीहके आगु प्रस्तुत क' सकी।3 तथापि हमरा डर लगैत अछि जे केओ अहाँसबके ओहिना धोखा ने दैक, जेना शैतान धूर्ततापूर्वक हव्वा अर्थात् पहिन स्त्रीके धोखा देलक। हमरा डर लगैत अछि जे एहन व्यक्ति अहाँसबके जे मसीह प्रति पूर्णरुपस' विश्वासी छी, ओहि तरहें अहाँसबके नाश क' देत जेना अहाँसब सोंचैत छी।4हम अहाँक लेल डेराइत छी किएकत हमरा बुझल अछि जे लोक अहाँ लग आबिक' अहाँके यीशुक विषयमे कहैत अछि, मुदा ई ओ यीशु नहि छथि जेकर विषयमे हमसब अहाँके कहने रही। दोसर लोक अहाँसबके कोनो आन आत्मा दैत अछि, मुदा ई पवित्र आत्मा नहि अछि जे हमसब अहाँसबके देलहुं। दोसर लोक अहाँसबके सुसमाचारक प्रचार करैत अछि, मुदा ई ओ सुसमाचार नहि अछि जेकरा अहाँ पहिने विश्वास कएने रही। एकरबादो जखन लोक एहि सबबातके विषयमे कहैत अछि त' अहाँ बहुत धैर्य रखैत छी।5हम चाहैत छी जे अहाँके पहिने कहल गेल बातपर विश्वास करु कारण हमरा लगैत अछि जे मसीह हमरा माध्यमस' ओतबे काज करैत छथि जतेक ओ ओहि लोकक माध्यमस' करैत छथि जे कहैत अछि जे ओसब हुनकर सबस' नीक प्रेरित अछि।6यद्यपि हम ठीकस' बाजए नहि जनैत छी, तेकरबादो हमरा बुझल अछि जे ई सत्य अछि। हम जखन-कखनो कोनो बात कहैत छी वा करैत छी त' अहाँके देखा दैत छी जे ओ सत्य अछि।7अहाँसब जनैत छी जे हम अहाँसबहक विरुद्ध पाप नहि कएलहुं किएकत अहाँसबके परमेश्वरके सुसमाचार प्रचार करबाक लेल हमरा पाइके भुक्तान नहि लेने छलहुं। एनाक' क', हम अहाँके बेसी महत्वपूर्ण बनएबाक चक्करमे स्वयंके कम महत्वपूर्ण बना लेलहुं।8असलमे, हमरा विश्वासीके आन मण्डलीस' सहायता भेटल अछि। हम हुनकर भेट एहिलेल स्वीकार कएलहुं जाहिस' हम अहाँके सेवाक' सकब।9एकर अतिरिक्त जखन हम अहाँके संग रही तखन हमरालग किछु नहि छल। ओना त' हम अहाँसबमेस' केकरो पैसा मांगिक' नहि कएलहुं। हम ई काज क' सकैत छलहुं किएकत' हमरासबहक संगी जे मकिदुनिया प्रान्तस' हमरासंग यात्रा कएने छलाह, हमरा सबकिछु देलनि। असलमे हम अहाँके कहियो परेशान नहि कएलहुं आ नहि कहियो कोनो हालतमे करब।10अखाया प्रान्तके कोनो भागमे रहनिहार केओ हमरा पैघ-पैघ बात कहबास' नहि रोकि सकैत अछि। हम जे कहि रहल छी से ओतबे सत्य अछि जेना मसीह कहि रहल होथि।11अहाँके परेशान नहि करबाक हमर कारण ई नहि जे हमरा अहाँके प्रेम नहि अछि। परमेश्वर गवाही द' सकैत छथि जे हमरा अहाँके प्रेम रहैत अछि।12बल्कि हम अहाँके परेशान करैत रहब। एहि तरहें हम केकरो अपने विषयमे पैघ-पैघ बात कहएस' रोकि सकैत छी जेना हमसब कहैत छी। हमरा बुझल अछि जे किछु लोक ई करए चाहैत छथि।13ओ लोकसब वास्तवमे ओ आदमी नहि छथि जिनका मसीह हुनकर प्रेरितके रुपमे पठौलनि। ओसब जे काज करैत अछि ताहिस' लोकसबके धोखा दैत अछि, आ ओसब मात्र मसीहक प्रतिनिधित्व करबाक नाटक क' सकैत अछि।14हमरासबके ओहिस' आश्चर्य नहि करबाक चाही। शैतान सेहो एकटा तेजस्वी आत्मिक प्राणीके नाटक करैत अछि।15तएं हमरासबके ई अपेक्षा करबाक चाही जे हुनकर सेवा करएबला लोकसबके सेहो धर्मी बनबएमे मदति करबाक नाटक करत। जे काज कएलक ओकर अनुपातमे परमेश्वर अन्तमे ओकरासबके ओहे देथिन जेकर ओसब हकदार अछि।16हम पहिने जे कहने रही से दोहरबैत छी। हम नहि चाहैत छी जे केओ हमरा मूर्ख बुझए। ओना जं अहाँ हमरा मूर्ख बुझति छी त' कमस' कम हमरा मूर्खतापूर्ण तरीकास' काज करबाक अनुमति देबाक चाही। एहि तरहें हम अपने विषयमे किछु पैघ बात सेहो कहि सकैत छी।17हम जे कहए जा' रहल छी से ई नहि जे जखन हम प्रभु यीशुके प्रतिनिधित्व करैत छी तखन हम कोना बजैत छी। बल्कि जखन हम निश्चित छी जे हम अपने विषयमे पैघ-पैघ बात कहि सकैत छी त' हमरा मूर्खइ बात कहबाक प्रवृत्ति अछि।18अधिकांश आन लोक अपने विषयमे पैघ-पैघ बात मात्र मानवीय तरीकास' कहैत छथि। तएं हमहूं अपने विषयमे बहुत किछु कहब।19हम जनैत छी जे अहाँ हमर बात सुनब, कारण अहाँ स्वयंके बुद्धिमान बुझति छी, तएं अहाँसबके दोसर लोक प्रति धैर्य राखएमे प्रसन्नता होइत अछि जे मूर्खतापूर्ण काज करैत अछि।20ठीके जखन लोक अहाँके संग दुर्व्यवहार करैत अछि अहाँ धैर्य रखैत छी। ओसब अहाँके हुनकासबहक बात मनएबाक लेल बाध्य क' सकैत अछि। अहाँ लग जे किछु अछि ओकर उपयोगक' सकैत छथि। ओसब अहाँके ठकि सकैत अछि। ओसब कहि सकैत अछि जे ओसब अहाँस' नीक अछि। ओसब अहाँके अपमान क' सकैत छथि। ओना अहाँ एखनो ओकरासब प्रति धैर्य रखैत छी।21जं शक्तिशाली लोकक लेल ई सही तरीका अछि अहाँके संग व्यवहार करबाक, तखन हम स्वीकार करैत छी जे हमसब अहाँके संग रहलापर ओहिना व्यवहार कएलहुं ई हमरासबके लज्जास्पद करैत अछि आ ई साबित करैत अछि जे हमसब कमजोर छी। दोसर दिस हमहूं हिम्मत क' सकैत छी जे आन लोक जे हिम्मत करैत अछि। ओना त' हम ईसब मात्र एहिलेल कहैत छी जे हम मूर्खइस' भरल अभिनय क रहल छी।22ओसब कहैत अछि जे ओसब इब्रानी भाषा बाजएबला यहूदी छै, तहिना हमहूं इब्रानीए भाषा बाजएबला यहूदी छी। ओसब कहैत अछि जे ओसब इजराएली छै, तहिना हमहूं इजराएलीए छी। ओसब कहैत अछि जे ओसब अब्राहमके वंशज अछि, तएं हमहूं अब्राहमेके वंशज छी।23ओसब कहैत अछि जे हमसब मसीहक सेवक छी, तएं हम मसीहक सेवा आओर बेसी करैत छी। ओना, हम बताह जकां बातक' रहल छी। ओना, हम ओकरासबके तुलनामे बेसी मेहनति कएलहुं। लोक हमरा जहलमे राखि देलक। लोक हमरा कतेको बेर मारि देलक। कतेको बेर हम लगभग मरि छलहुं।24यहूदी नेता लोकनि हमरा विभिन्न समयमे पांच दिन उनचालीस कोड़ा मारलक।25अगुवासब हमरा केकरोस' बेर-बेर लाठीस' पिटबौलक। मारिदेबलेल एक बेर लोक हमरापर पत्थल फेकलक। तीनबेर ओ जहाज डुबि गेल जाहिमे हम यात्रा क' रहल छलहुं। हम चौबीस घण्टा समुद्रके बीचमे रहलहुं।26हम बेसी काल यात्रा करैत छी। हम नदी, शहर, निर्जन क्षेत्र आ समुद्र सहित खतरनाक जगहस' गुजरैत छी। हमरा सदिखन एहन लोक भेटैत अछि जे हमरा चोट पहुंचा सकैत अछि, जाहिमे चोर, यहूदी लोक, गैर-यहूदी लोक, आ संगी-विश्वासी होएबाक नाटक करएबला लोकसब सहभागी अछि।27हम बहुत मेहनति करैत छी। हमरा प्राय बेसी निन नहि अबैत अछि। हमरालग एतेक नहि छल जे खा-पी सकी। हम प्राय भूखल रहैत छी। कखनोकाल ठंढा पड़ि जाइत अछि आ कपड़ा नहि रहैत अछि।28बांकी सब किछु जे हम कहि सकैत छी एहिके अतिरिक्त हम सबदिन विश्वासीसबके समूहक विषयमे चिन्तित रहैत छी।29जखन कोनो संगी-विश्वासी कमजोर होइत अछि त' हमहूं कमजोर होइत छी। हमरा तखन बहुत तामस उठैत अछि जखन केओ कोनो संगी-विश्वासीके पाप कराबएलेल प्रोत्साहित करैत अछि।30कारण हमरा अपने विषयमे पैघ बात कहबाक जरुरति अछि, मुदा हम कतेक कमजोर छी ताहिपर पैघ बात कहबाक मनसाय अछि।31हमसब प्रभु यीशुके परमेश्वर आ पिताके सदाके लेल आदर करब। ओ गवाही द' सकैत छथि जे हम जे कहि रहल छी से सत्य अछि।32जखन हम दमिश्क शहर छलहुं तखन राजा अरितासके सेवा करएबला स्थानीय शासकके सिपाहीसब हमरा पकड़बाकलेल शहरमे खोजि रहल छल।33मुदा, संगी-विश्वासी लोकनि हमरा ओहि स्थानीय शासकस दूर होबएमे मदति कएलनि। हमरा एकटा नमहर ढकियामे राखि देलक रस्सास' बान्हि देलक, आ देवालके एकटा खिड़की दने नीचा टांगि देलक।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.