1 Corinthians16

1आब, हम ओहि दानके विषयमे लिख रहल छी जे परमेश्वरक पवित्र लोकसबके लेल सहयोग जुटा रहल छी जे यहूदीसब अछि। हम चाहैत छी जे अहाँसब ओहे काज करु जे हम गलातिया क्षेत्रमे रहल विश्वासीसबके समूहसबके कर' निर्देश देने छी।2प्रत्येक सप्ताहके रविदिन, अहाँसबमेस' सब केओ जे किछु धन कमएने छी ओहिमेस' किछु धन अलग क' क' राखू। एहि तरहें अहाँसबलग आएब त' हमरा धन जमा करबाक जरुरी नहि पड़त।3अहाँसबके समूहमेस' किछु विश्वासयोग्य लोक चयन करु। जहिया हम अहाँसबलग आएब, तखन हम ओकरेसब द्वारा ओहि दानके जे किछु अहाँसब जमा कएने छी यरूशलेममे पठाएब। संगहि, हम ओकरासबके पत्र लिख देबै जाहिमे लिखल होएत जे हम ओकरासबके अधिकृत कएने छी।4हम आ अहाँसब ई तय क' सकैत छी जे हमहूं यरूशलेम जाएब। ओहन अवस्थामे ओहि मनुष्य जेकरा अहाँसब चुनने होएब ओकरा हमरासंगे यात्रा करत।5हम मकिदुनिया प्रान्त होइत यात्रा करैत, हम अहाँसबलग भेट कर' आबि रहल छी जे हमर रस्तेमे अछि।6वास्तवमे, हम चाहब जे अहाँसबके साथ किछु समय बिताबि, शायद पूरा जाढ़के समय ओतहि रहब। एहि तरहें, अहाँसब हम आगु जत' जएबाक निर्णय करी ओतए' यात्रा करएमे मदतिक' सकैत छी।7हम ई योजनासब एहिलेल बना रहल छी किएकत' हम अहाँसबसंगे कम समय बिताबएके बदला बेसी समय बिताबएके प्रतीक्षा करब। हमरा विश्वासीके संग प्रतीक्षा ताधरि करब जाधरि प्रभु चाहैत छथि जे हम आशा करी।8एखन हम पेन्तेकुस्तके पावनि धरि एतहि इफिसुसके नगरमे रहबाक मोन बनओने छी।9हम एत' एहिलेल रहि गेल छी किएकत' परमेश्वर हमरा प्रभावकारी आ स्वतन्त्र ढंगस' सुसमाचारके काज करबाक दुआरि खोलने छथि। ओतबे नहि, हमरा विरुद्ध काज करएबला लोकसबके हमरा बेसी संख्यामे सामना करए पड़त।10जखन-कखनो तिमुथियुस अहाँसब लगमे अबैत अछि, तखन ओ अहाँसबके संग रहबाक समय सुरक्षित महसूस करएस' चौकस रहू। अहाँसबके ई एहिलेल करए पड़त किएकत' ओ सुसमाचार प्रचार क' क' प्रभुके सेवा करैत अछि, ठीक हमरे जकां।11एहिलेल ओकरा अनादर नहि करबनि। बल्कि हुनका हमरालग घुरिक' आबएमे मदतिक' शान्तिपूर्ण व्यवहार करु। अहाँसबके ई एहिलेल करबाक चाही जे ओ आओर विश्वासीसबके संग जे हमरासंग भेट करबाक लेल यात्रा क' रहल अछि हमरालग चलि अबैक।12आब हम अपन संगी-विश्वासी अपुल्लोसके विषयमे बात करए चाहैत छी। हम हुनका बहुत बेसी आग्रह कएलिएन्हि जे ओ दोसर विश्वासीसबसंगे अहाँसबस' भेट करएलेल जे सब यात्रा क' रहल अछि जे अहाँसबलग जाथि। मुदा, ओ दृढ़तापूर्वक कहलनि जे ई अहाँसबस' भेट करबाक उचित समय नहि अछि। बल्कि जहिया ओकरा सही समय बुझाएत त ओ अहाँसबलग आबि जाएत।13जे गलत अछि ताहिस' सावधान रहू! सुसमाचारपर अटल विश्वास करु! साहस करु! मजगूत बनल रहू! 14जखन-कखनो अहाँ किछु सोंचैत छी आ किछु करैत छी तखन अहाँसबके दोसरस' प्रेम कर' पर ध्यान देबाक चाही।15अहाँसब जनैत छी जे स्तेफनासके घरमे रहनिहारसब अखाया प्रान्तमे पहिन सुसमाचारपर विश्वास करएबला पहिन आदमीसब छल। संगहि, ओसब परमेश्वरके पवित्र दाससबके सेवा करएलेल चुनने अछि। यौ हमर संगी-विश्वासी भाइसब हम अहाँसबस' विनती करैत छी,16जे हुनका आ हुनके जकां दोसर आदमीसबके आदर करियौ आ हुनकासबके आज्ञा मानियौ। वास्तवमे, अहाँसब हुनकासबके आदर करियौ आ आज्ञा मानियौ जे हमरासबके संग सुसमाचार प्रचार करएलेल मेहनति करैत अछि।17हम खुशी छी जे स्तेफनास, फूरतुनातुस आ अखइकुस एत आबि गेल अछि। एहिलेल किएकत' अहाँसब हमरासंगे नहि छी तथापि ओसब हमरा अहाँसबस' सम्बन्ध जोड़एलेल अनुमति देने अछि।18ओसब हमरो आ अहूं दुनूगोटेके मनके प्रोत्साहित आ ऊर्जावान बनौलनि। तएं अहाँसबके हुनका आ हुनका सन दोसरो आदमीसबके सम्मान करबाक चाही।19एत' आसिया प्रान्तके विश्वासीसबके समूहसब अहाँसबके प्रणाम करैत अछि। अक्विला आ प्रिस्किला, जेकरा परमेश्वर प्रभुसंगे एकजुट कएने छथि, अहाँसबके प्रेमपूर्वक अभिवादन करैत अछि। जे विश्वासीसब ओकरा घरमे जमा होइत अछि ओहोसब अहाँसबके प्रणाम करैत अछि।20प्रभुके सब विश्वासीसब जे हमरासंगे अछि ओसब अहाँसबके पवित्र अभिवादन पठबैत अछि। एक-दोसरके प्रेमपूर्वक स्वागत करु।21हम, पौलुस अहाँसबके प्रणाम करैत छी। हम ई अन्तिम शब्द अपन लेखकस' लिखएबाक बदला स्वयं लिख रहल छी।22परमेश्वर ओकरासबके सराप देथि जे प्रभुस' प्रेम नहि करैत अछि। हम प्रार्थना करैत छी जे प्रभु जल्दिए घुरिक' आबि जाथि। 23हम प्रार्थना करैत छी जे प्रभु यीशु अहाँसबके अनुग्रह करथि।24हम अहाँसबस' प्रेम करैत छी, किएकत' परमेश्वर हमरासबके यीशु मसीहसंगे एक कएलथि। हम एहिना होइक!

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67