1 Timothy6
1संगी-विश्वासी जे जुआ बोकने दास अछि, ओकरासब तरहें अपन मालिकके आदर करबाक चाही। तखन लोक परमेश्वरके नामके अपमान नहि करत वा ओहि बातसबके जेकर शिक्षा हम दैत छिऐ।2जाहि दाससबके स्वामी मसीहपर विश्वास करैत अछि, ओकरासबके हुनकर उपेक्षा नहि करबाक चाही किएकत' ओकर स्वामी संगी-विश्वासी छथि। ओतहि, ओकरासबके अपन प्रिय स्वामीसबके सेवा सर्वोत्तम ढंगस' करबाक चाही, किएकत' ओसब जेकर सेवा करैत अछि, ओहोसब मसीहमे विश्वास करैत अछि आ परमेश्वर ओकरास' प्रेम करैत अछि। ई बातसब सिखाउ आ अपन लोकसबस' ओकरा एना करएके लेल आग्रह करियौ।3किछु लोक एहनो बात सिखबैत अछि जे ठीक नहि अछि। ओसब हमर प्रभु यीशु मसीहके विषयमे विश्वसनीय शिक्षाके स्वीकार नहि करैत अछि आ ओ एहि शिक्षाके स्वीकार नहि करैत अछि जे एहन जीवनके कोनाक' व्यतीत कएल जाए जे परमेश्वरके प्रसन्न करैत होअए।4एहन लोकसबके अभिमान छै, मुदा ओ किछुओ नहि बुझति अछि। ओतहि, ओ असामान्यरुपस' महत्वहीन विषयसबपर आ किछु निश्चित शब्दसबपर बहस करबाक इच्छा रखैत अछि। ओकर व्यवहार ओकरा आन लोकसबस' ईर्ष्या कारण बनैत अछि। दोसरसबस' झगड़ा करए, दोसरके विषयमे अधलाह बात कहए, आ सन्देह करैत अछि जे ओकरा शंका होइत छै जे दोसरोसबके मनसाय अधलाहे अछि।5ओसब दोसर लोकक संग बरोबरि झगड़ा करैत अछि। ओकर सोंचब सब तरहें बेठीक भ' गेल अछि। ओसब सत्य शिक्षाके अस्वीकारक' देने अछि। परिणाम स्वरुप, ओसब सोंचैत अछि जे भक्तिपूर्ण रीतिस' जीवन जिबाक उदेश्य भौतिक वस्तुसब प्राप्त करब अछि।6मुदा जखन हमसब भक्तिपूर्वक रीतिस' जीवन व्यतीत करैत छी तखन हमसब बहुत लाभ प्राप्त करैत छी आ जखन हमरासबके संगमे जे किछु रहैत अछि तखन हम ओहिस' सन्तुष्ट होइत छी।7हमसब संसारमे किछु नहि अनने रही जखन हमसब जन्म लेने रही, आ हम एहिमेस' किछुओ संगे ल' जएबाक योग्य नहि होइत छी जखन हम मरैत छी। 8तें जं हमरासबलग भोजन आ वस्त्र अछि, त' ई हमरासबके सन्तुष्टि देबाक लेल पर्याप्त होएबाक चाही।9मुदा किछुगोटे धनीक बनबाक प्रबल इच्छा रखैत अछि। परिणाम स्वरुप, ओसब धन कमाएलेल अधलाह काज करैत अछि। परीक्षामे परिक' फेरु ओकरासबके संग अधलाहे काज भ' जाइत छै, जाहिस' ओसब बंचि नहि सकैत अछि। ओसब मूर्खतापूर्ण रीतिस' बहुत रास चीजक इच्छा करैत छथि जे ओकरासबके हानि पहुंचाओत आ, अन्तमे ईसब चीज ओकरेसबके नाश क' देतनि। 10जखन लोकसब बहुत प्रकारक धन पएबाक इच्छा रखैत अछि त' ओसब प्रकारक कुकर्मके जड़ि अछि। पैसाके लेल खखाएल किछु लोकसब ओहि सत्यताके स्वीकार कएनाइ बंद क' देने अछि जाहिमे हमरा सबगोटेके विश्वास अछि आ ओसब स्वयंके बहुत अधिक उदास क लेने अछि। एहि तरहें ओसब स्वयंके अनेको तरहें दुखित बना लेने अछि।11मुदा अहाँ, जे परमेश्वरके सेवा करैत छिऐ एहि अधलाह बातसबस' बचू। ओतहि ई निर्णय करु जे अहाँ ओएह करब जे धार्मिकता अछि, आ ई जे अहाँ परमेश्वरके प्रसन्न करएलेल जीवन व्यतीत करब। परमेश्वरपर भरोसा करु, आ दोसरोस' प्रेम करु। कठिन परिस्थितियोमे धैर्य धरु। सदैव लोकसबके प्रति नम्र बनल रहू।12अहाँ जिनकामे विश्वास करैत छी हुनके अनुसार जीवन व्यतीत करएलेल अपन पूरे प्रयासके लगाउ। सुनिश्चित करु जे अहाँ लग अनन्त जीवनक वरदान अछि जाहिके लेल परमेश्वर अहाँके बजौने छथि जखन अहाँ बहुते गवाहसबके समक्ष घोषणा कएने रही जे अहाँ मसीहस' सम्बन्धित छी।13हम अहाँके परमेश्वरक समक्ष आज्ञा दैत छी, जे सबके जीवन्त करैत छथि, आ मसीह यीशु, जे पन्तियुस पिलातुसके समक्ष सत्यके नीक गवाही देने छथि।14मसीह हमरासबके जे आज्ञा देने छथि, ओकरा पालन करु। किछुओ गलत नहि करु। एहिस' केओ अहाँक आलोचनाके योग्य नहि होएत। सदैव आज्ञाके पालन करु जाधरि अपनासबके प्रभु यीशु मसीह फेरुस' आबि नहि जाइत छथि।15परमेश्वर सही समयपर यीशुके वापस भेजताह। हम परमेश्वरके धन्य कहैत छी। ओएह एकमात्र शासक छथि! ओ आन सबहे राजाके उपरके राजा छथि आ आन सबहे शासकपर प्रभु छथि!16परमेश्वरे एकहिटा एहन छथि जे कहियो नहि मरताह। आ ओ स्वर्गमे प्रकाशमे रहैत छथि जे एतेक बेसी तेज अछि जे केओ हुनका धरि पहुंचिए नहि सकैत अछि! ओ एहन छथि जिनका कोनो व्यक्ति आइधरि नहि देखने अछि आ जिनका कोनो व्यक्ति कहियो नहि देखने अछि! हमर इच्छा ई अछि जे सबलोक हुनका सम्मान करए आ ओ सदाके लेल सामर्थ्यके संग शासन करताह! आमीन! 17ओहि विश्वासीसबस' कहियौ जे संसारमे जे विश्वासी धनी अछि, हुनकासबके कहियौ जे एहि वर्तमान संसारमे धनीक छी तें हुनकासबके घमण्डी नहि होएबाक चाहिएन्हि। हुनकासबके अपन कतेको प्रकारक सम्पत्तिपर आशा नहि करबाक चाहिएन्हि, कारण ओ ई निश्चित नहि भ' सकैत अछि जे ई हुनकालग ओ कतेक कालधरि रहतनि। ओहि ठाम, हुनकासबके परमेश्वरपर भरोसा रखबाक चाहिएन्हि। किएकत' ओ ओएह छथि जे हमरासबके प्रचुर मात्रामे ओ सबकिछु दैत छथि जे हमरासबलग अछि, आ ओ चाहैत छथि जे हमसब एकर आनन्द ल' सकी। 18एहि धनीक विश्वासीसबके भलाइके काजसब करबाक लेल कहियौ। हुनकासबके बहुत रास धन एक्कठा कर' के ठाममे बहुत रास नीक काजसब करबाक रखबाक चाहिएन्हि। हुनकासबके अपन सम्पत्तिके संग उदार होएबाक चाहिएन्हि आ जे किछु हुनकासंग छन्हि एकरा दोसरसबके संग सझिया करबाक लेल तैयार रहबाक चाहिएन्हि।19जं ओसब एना करैत अछि त' ई एहन होएत जे मानू ओसब स्वर्गमे अपन भविष्यक जीवनक लेल कतेको नीक वस्तुसब अपनालेल जमाक' क' नओ द' रहल अछि। तखन ओसब ओहि जीवनके प्राप्त करबाक लेल तैयार होएताह जे परमेश्वर हुनकासबके देब जा' रहल छथि। ओएह असल वास्तविक जीवन अछि।20हे तिमुथियुस, ओहि सत्य सन्देशके रक्षा करु जे परमेश्वर अहाँके देने छथि। एहन लोकस' बचू जे एहन व्यर्थके बातपर बतिआए चाहैत अछि जे परमेश्वरके लेल महत्वपूर्ण नहि अछि। एहनो लोकसबस' सेहो बचू, जे झूठ दाबी करैत अछि जे ओकरा सत्यके ज्ञान छन्हि, मुदा एहन व्यर्थ बातसब कहैत अछि जे हमराद्वारा सिखाएल गेल सत्य वचनसबके विरोध करैत अछि।21किछु विश्वासी लोकसब एहि बातसबपर विश्वास करैत छथि आ ओसब परमेश्वरके प्रतिज्ञामे विश्वास करब बंद क' देने अछि। परमेश्वर अहाँसबपर कृपा करथि।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.