1 Timothy5

1कोनो एहन व्यक्तिस' कठोरतास' बात नहि करु, जे अहाँस' उमेरगर छथि। ओतहि, ओकरा आग्रहपूर्वक एहन सलाह दिऔ जेना केओ अहाँक पिता होथि। कम उमेरक लोकसबके एनाक' सलाह दिऔ जेना ओ अहाँक भाइ होअए। 2जे अहाँस' जेठ अछि, ओहि स्त्रीसबके सलाह दिऔ जेना ओ अहाँक माय होथि। छोटकी स्त्रीसबके एना सलाह दिऔ जेना ओ अहाँक बहिन होअए जखन अहाँ ई सबकिछु करी, त', अहाँके एहन व्यवहार करबाक चाही जे पूर्णरुपे उचित होअए।3सुनिश्चित करु जे मण्डली विधवासबके देखभाल करैत होअए जिनकासंगे वास्तवमे ओकर देखभाल करएबला केओ दोसर नहि छै।4मुदा यदि कोनो विधवाके बच्चा वा पोता छै, त' बच्चा वा पोतासबके सबस' पहिने ई सिखए चाही जे ओकरासबके ओकर अपन परिवारके देखभाल करबाक छन्हि। एहि तरहें ओसब अपन माय-बाबू आ दादा-दादीके ओहि काजक ऋण चुकाबि सकैत अछि जेकरा ओसब ओकरालेल ओकरा युवा होअए धरि कएने रहथि किएकत' एना कएनेस' परमेश्वर प्रसन्न होइत छथि।5जे विधवा ठीके एसगरे अछि आ ओकर मदति करएबला केओ नहि अछि, ओ विश्वासपूर्वक आशा करैत अछि जे परमेश्वर ओकर सहायता करताह। तें ओ अडिग प्रार्थना करैत छथि, आ परमेश्वरस' गम्भीरतापूर्वक मदति करबाक आग्रह करैत छथि। 6मुदा एगो विधवा जे मात्र एहन जीवन व्यतीत करैत अछि मने स्वयंके प्रसन्न करएबाली होअए जीविते होइतो आत्मिकरुपस' मरि गेल अछि।7एहि बातसबके सेहो शिक्षा देथि, जाहिस' केओ ई नहि सिखाउ, जाहिस' केओ ई नहि कहि पाबए जे विश्वासीस अधलाह व्यवहार क' रहल अछि।8परन्च जं केओ अपन परिजन आ विशेष क' अपन घरमे रहनिहार लोकसबके देखभाल नहि करैत अछि, त' ओ ओकरा अस्वीकारक' देने अछि, जाहिमे हम विश्वास करैत छी। ओ ओहि व्यक्तियोस' बेसी अधलाह अछि जे मसीहपर विश्वास नहि करैत अछि।9एगो विधवाके सांच्चेके विधवासबके सूचीमे जोड़ू जं ओ कमस' कम साठि वर्षक होअए। ओहो अपन पतिक प्रति विश्वासयोग्य रहल होअए।10लोक ओकरा विषयमे गवाही दिअए जे ओ नीक काज कएने अछि। ओकरा जनतब देब चाही जे ओ अपन बालबच्चाके पालन-पोषण नीकस' कएलनि, जे ओ अतिथिसबके स्वागत कएलनि, जे विनम्रतापूर्वक पवित्र विश्वासीसबके सेवा कएने अछि, जे ओ लोकके मदति कएने अछि जे दुख उठाबि रहल छल, आ ई जे ओसब प्रकारक नीक काज करबाक लेल उत्सुक रहथि।11मुदा सांच्चेके विधवासबके सूचीमे जबाने रहल विधवासबके नहि जोड़ू। जखन ओ प्रबल इच्छासबके होएतै, त' ओसब मात्र मसीहके प्रति समर्पित होएबाक विषयमे अपन मनके बदलि लेतीह आ ओसब फेरुस' विवाह करए चाहतीह।12जखन ओसब एना करैत अछि, तखन ओसब विधवा रहबाक अपन पहिनुका प्रतिबद्धताके तोड़ए दिस उल्लंघन करबाक दोषी बनि जाइत अछि।13मुदा बल्कि ओ अपन पहिनुका प्रतिबद्धता तोड़ैत अछि, ओ किछुओ नहि करबाक आदतिवाली भ' जाइत अछि। ओ एक घरस' दोसर घर जाइत अछि, किछु नहि करैत अछि, बल्कि लोकक विषयमे बात करैत अछि आ दोसरक काजमे व्यर्थमे टांग अड़बैत अछि। ओसब एहनो बात कहैत अछि जे ओकरासबके नहि कहबाक चाही।14तएं, जबान रहल विधवासबके मण्डलीके सूचीमे नहि जोड़बाक चाही बल्कि हम ओहन विधवासबके दोसराक' विवाह क' क' आ धियापुता जनमाएब से चाहैत छी। एहि स्त्रीसबके अपन घरके नीकस' सम्हारबाक चाही। एहि तरहें ओसब शत्रु शैतानके गलत काज करबाक आरोप लगएबाक अवसर नहि देत।15हम ई सबबात लिखैत छी किएकत' पहिनेस' कम उमेरक किछु विधवासब आब मसीहक आज्ञा नहि मानैत अछि आ भटकिक' शैतानके आज्ञा मानैत अछि।16जं कोनो विश्वासी स्त्रीसब लग विधवासब अछि त' ओ ओकरासबके सहायता करथि। ओहि तरहें विश्वासीसबके समूहके जतेक विधवाके देखभाल करए पड़त ओहिस' बेसी विधवाके देखभाल नहि करए पड़त। तखन विश्वासीके समूह सही विधवाके मदतिक' सकैत अछि जिनकर देखभाल करएलेल परिवारके कोनो सदस्य नहि अछि।17विश्वासीसबके ओहि मण्डलीके देख-रेख कएनिहारसबके आदर आ भुक्तान दुनू करबाक चाही जे हुनकासबके नीक जकां नेतृत्व करैत छथि, खास क ओहि प्राचीन सबके जे प्रचार आ शिक्षा देबएमे मेहनति करैत छथि शास्त्र जे कहैत अछि।18हमसब जनैत छी जे ई बात सही छै किएकत' हमसब धर्मशास्त्रमे ई बातसब पढ़ैत छी जे मूसा लिखने छथि: “जखन बैल अनाज दौनी करैत छै, तखन अहाँ ओकर मुंह एहन क' नहि बान्हि दिऔ जे ओ कोनो अनाज खाइए नहि सकए।” आ हमसब इहो जनैत छी जे ई सही अछि किएकत' यीशु कहलथि, “लोकके ओहि सब काजके मजदूरी देबाक चाही जे ओसब काज करैत अछि।” 19मात्र ओहि लोकके सुनू जे कोनो मण्डलीके देख-रेख कएनिहार पर गलत काज करबाक आरोप लगबैत अछि जखन ओहिके कमस' कम दू वा तीनगोटे एहि विषयमे गवाही दैत होअए। 20जखन अहाँसब आराधना करबाक लेल भेट करब त' पाप करएबलासबके सबहक समक्षेमे सुधारु, जाहिस' आनो लोकसब पाप करबास डेराए।21परमेश्वर आ मसीह यीशु आ परमेश्वरक चुनल गेल स्वर्गदूतसब जे हमरा देखैत छी आ हमर बात सुनैत छी, हम अहाँसबके गम्भीरतास' आह्वान करैत छी जे हमर अहाँसबके एखनहि देल गेल निर्देशसबके पालन करु। सबहे विषयके निष्पक्ष न्याय करु आ एक व्यक्ति दोसर व्यक्ति प्रति पक्षपात नहि करु।22केकरो विश्वासीसबके समूहमे अगुवाके रुपमे नियुक्ती करबामे धरफरी नहि करी। जं यदि ओ पाप करत अछि त' एहन होएत जेना अहूं सेहो पापमे सहभागी होइक, तें से नहि करु। ओ पाप करबास' शुद्ध रहबाक चाही।23मात्र पानिए पिनाइ छोड़ू, तिमुथियुस। बल्कि, कनि दाखमद्य सेहो पीबू, जाहिस' अहाँके बेर-बेरके पेटके बेमारीमे मदति भेटए।24जखन किछु लोक पाप करैत अछि त' सबकेओ एहि बातके विषयमे जनैत अछि आ जनैत अछि जे परमेश्वर ओकरासबके न्याय करताह। मुदा जखन दोसर लोक पाप करैत अछि तखन बहुत बाद धरि केकरो ई बात नहि बुझल रहैत छै।25तहिना लोकसब जे नीक काज करैत अछि, त' ई सबके बुझल रहै। मुदा जखन लोक नुकाक' नीको काज करैत अछि तखन ओ सबके बादमे पता चलैत अछि।

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67