2 Timothy1
1पौलुस, परमेश्वरक इच्छास' मसीह यीशुके एकटा प्रेरित, जीवनके ओहि प्रतिज्ञा अनुसार जे मसीह यीशुमे अछि,2हमर प्रिय सन्तान, तिमुथियुसके लेल लिखल पत्र, परमेश्वर पिता आ मसीह यीशु अपनासबके प्रभु दिसस' अनुग्रह, कृपा आ शान्ति।3हम परमेश्वर प्रति आभारी छी, जिनकर हम अपन पूर्वजस' शुद्ध विवेकस' सेवा करैत छी, जेना हम अहाँके अपन प्रार्थनामे राति-दिन सुर्ता करैत छी,4अहाँके देखएके ललसा, आ अहाँस अलग होबए समय बहल अहाँके नोरके स्मरण करैत छी, जे हम आनन्दस' भरि जाइ,5अहाँमे सच्चा विश्वासके स्मरण कएलाके बाद जे पहिने अहाँके नानी लोइस आ अहाँक माय यूनिकेमे रहए, आ हम जनैत छी, जे ई आब अहाँमे सेहो अछि।6ताहिके लेल हम अहाँके परमेश्वरक वरदानके फेरुस' जगएबाक स्मरण करबैत छी जे अहाँपर हमर हाथ रखलास' अहाँमे अछि। 7किएकत' परमेश्वर अपनासबके भयके आत्मा नहि, बल्कि सामर्थ्य आ प्रेम आ अनुशासनके आत्मा देने छथि।8तएं, अपनासबके प्रभुके गवाहीके विषयमे लाज नहि मानू आ ने मसीहके खातिर कैदी, हमरापर, बल्कि परमेश्वरके सामर्थ्य अनुसार सुसमाचारके लेल संगे-संगे कष्ट उठाउ,9परमेश्वर अपनासबके उद्धार कएने छथि आ अपनासबके पवित्र बजाहटिके संग बजौने छथि — अपनासबके काज अनुसार नहि, बल्कि हुनकर अपन उदेश्य आ अनुग्रह अनुसार, जे अपनासबके मसीह यीशुमे अनन्त कालस' पहिने देल गेल छलनि,10आ जे आब अपनासबके उद्धारकर्ता मसीह यीशुके प्रगट भेलापर प्रगट भेल अछि जे दुनू मृत्युके नाश कएलनि आ सुसमाचारके द्वारा जीवन आ अमरत्वके प्रकाशमे अनने अछि।11जेकरालेल हमरा परमेश्वर एकटा प्रचारक आ एकटा प्रेरित आ शिक्षक नियुक्त कएलथि,12तएं हमहूं ई कष्टसब भोगैत छी। मुदा हमरा लाज नहि होइत अछि, कारण हम जनैत छी जे हम किनका पर विश्वास कएने छी, आ हमरा पूर्ण विश्वास अछि जे ओ ओहि न्यायके दिन धरि हमर जे सोंपने छी ताहिके बचाक' रखबाक योग्य छथि।13अहाँ हमरास' सुनने वचनके सही नमूना मानू, ओहि विश्वास आ प्रेममे जे मसीह यीशुमे अछि।14पवित्र आत्मा जे अपनासबमे वास करैत छथि हुनकाद्वारा उत्तम धनके सुरक्षा करु।15अहाँ ई जनैत छी, जे सब आसिया प्रान्तमे अछि हमरा दिसस' विमुख भ' गेल अछि, जाहिमे फुगिलुस आ हिरमुगिनेस अछि।16प्रभु उनेसिफुरूसके घरानिपर कृपा करथि, किएकत' ओ कएबेर हमरा उत्साह दैत छलनि आ हम कैदमे झिझिरमे छी ताहि बातके लाज नहि मानैत छलनि,17मुदा जखन ओ रोम शहरमे छलनि त' ओ हमरा खोजलक आ हमरा पाबि लेलक।18प्रभु हुनका ओहि दिन प्रभुस' कृपा प्राप्त करए दैक। आ ओ इफिसुसमे हमरा कतेक सेवा कएलनि, से अहाँ नीक जकां जनैत छी।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.