1 Timothy4
1आब परमेश्वरक आत्मा हमरासबके स्पष्टरुपस' बतबैत अछि जे आबएबला समयमे किछु लोक यीशुक विषयमे सही सन्देशपर विश्वास करब छोड़ि देत। ओतहि, ओ दुष्टात्मासबके बात सुनत जे लोकसबके धोखा दैत अछि, आ गलत शिक्षासबके जेकरा ई दुष्टात्मा सिखबैत अछि।2ईसब झूठ बजैत अछि आ ओएह कपट करबाक बहाना मात्र बनबैत अछि जे सही अछि। ओकर विवेक मरि गेल अछि, जेना गरम लोहास दागि देने होअए।3ओ लोकसबके विवाह करबास' रोकैत अछि। ओ ओकरासबके बतबैत अछि जे किछु खास प्रकारक भोजन नहि खएबाक चाही। परन्च परमेश्वर ओहि भोजनके किछु एहन बनौलनि जेकरा हमसब हुनकास' एहिके प्राप्त क सकैत छी आ ओहिलेल धन्यवाद द' सकैत छिऐ। ओ एकरा हमरासबके लेल बनौलनि जे हुनकापर विश्वास करैत अछि आ जे जनैत अछि जे सत्य की छै।4परमेश्वर जे किछु बनौने छथि ओसब नीक अछि। कोनो प्रकारक भोजनके खाएके लेल स्वीकार अछि जं हम एकरालेल परमेश्वरके धन्यवाद दैत छिऐ जखन एकरा खाइत छिऐ।5जखन हमसब परमेश्वरस' प्रार्थना करैत छी आ विश्वास करैत छी जे ओ की कहलनि, जे ओ जे किछु बनओलनि ओ नीक छल, तखन त' हम जे भोजन खाइत छी ओ हुनकालेल पवित्र छनि।6जं अहाँ अपन संगी विश्वासीसबके ई निर्देशनसब सिखबैत रहब, त' अहाँ यीशु मसीहक नीकस' सेवक छी। अहाँ आत्मिक रीतिस' मजगूत बनि जाएब होएब किएकत' अहाँ ओहि सत्य सन्देशके पालन करबनि जाहिमे हम सबकेओ विश्वास करैत छी। ओ असली सन्देश ई अछि नीक शिक्षा जेकरा अहाँ पालन क' रहल छी।7मुदा व्यर्थके, मूर्खतापूर्ण कथा-पिहानीसब ई बातसबस' कोनो लेन-देन नहि राखू। बल्कि ओतहि, स्वयंके ओहि काजके लेल प्रशिक्षित करु जे परमेश्वरके प्रसन्न करैत छन्हि।8किएकत' “शारीरिक व्यायाम करब अहाँके कनिक मदति करैत अछि, मुदा ओहि बातसबके करब सिखब परमेश्वरके प्रसन्न करैत छन्हि अहाँके सब तरहें सहयोग दैत अछि। ई अहाँक लेल नीक अछि दुनू समयमे जखन अहाँ पृथ्वीपर रहैत छी आ प्रतिज्ञा अछि जे जखन अहाँ भविष्यमे परमेश्वरके संग जीवन जिअएलेल रहब।”9सबगोटेके एहि कथनपर भरोसा करबाक चाही आ एकरा पूर्णरुपस' स्वीकारो करबाक चाही।10एहि दुआरे हम बहुत बेसी मेहनति करैत छी, किएक हम पूरे निश्चयक संग अपेक्षा करैत छी जे जीवित परमेश्वर ओहि बातसबके करताह जेकर ओ प्रतिज्ञा कएने छथि। ओ समस्त मानवताकके उद्धारकर्ता छथि जे विश्वास करैत अछि।11एहि बातसबके आज्ञा दिऔ आ एहि बातसबके शिक्षा देथि।12केओ ई नहि कहि पाबए जे अहाँक कोनो मोजर नहि अछि किएकत' अहाँ जुआन छी। ओतहि, दोसर विश्वासीसबके देखा दिऔ जे केहन जीवन जिबाक अछि। ओकरासबके ई देखबियौ जे तोंसब कोना बजैत छे, तों कोना व्यवहार करैत छे, तों दोसरस' कोना प्रेम करैत छे, परमेश्वरपर तोरा केहन भरोसा छौ, आ कोना तों स्वयंके युवा अवस्थाके लालसास' शुद्ध रखैत छे।13जाधरि हम अहाँ लग घुरिक' नहि आबि जाएब, ताधरि परमेश्वरक वचनके पढ़ैत रहब विश्वासीसबके लेल जखन अहाँसबसंगे जौर होइत छी, एकर शिक्षा दैत रहब विश्वासीसबके आओर प्रोत्साहित करैत रहब ओकरासबके एकरा पालन करबाक लेल सुनिश्चित करु।14ओहि वरदानक उपयोगक सुनिश्चित करु जे अहाँके संग अछि, जे परमेश्वर अहाँके तखन देने छलाह जखन मण्डलीके धर्मवृद्धसब अहाँपर अपन हाथसब ध क' कृपा कएने रहथि आ बतएने रहथि जे परमेश्वर तोरा विषयमे हुनकास' की कहने छथि।15ओहि सब बातसबके करब सुनिश्चित करु जे हम तोरा करएलेल कहने छियौ! ओहिपर ध्यान केन्द्रित करु जाहिस' की सब केओ दिऔ ई देख सकए जे अहाँ हुनका यीशुके चेलाके रुपमे कोना सुधारि रहल छी।16स्वयंके बहुत सावधानीस' नियन्त्रण राखू आ ओहि बातसबस' जेकर शिक्षा दैत छिऐ। एहि काजसबके करैत रहू, किएकत' परमेश्वर ने मात्र अहाँ आ ओहू लोकसबके उद्धार करबाक लेल ओकर उपयोगक' रहल छथि जे तोहर बात सुनैत छथि।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.