1 Timothy3

1सबके एहि बातपर भरोसा करबाक चाही जे “जं केओ विश्वासीसबके अगुवा बनबाक आकांक्षा रखैत अछि, त' ओ नीक काज करबाक इच्छा रखैत अछि।”2किएकत' एहि कारणे, एगो विश्वासीसबके अगुवासबके एकटा एहन अग्रणी एहन व्यक्ति होएबाक चाही जेकरापर केओ कोनो प्रकारक अधलाह काजक आरोप नहि लगा सकए। ओकरा ओकर अपन पत्नीके प्रति विश्वासी होएबाक चाही। ओकरा आओर किछु नहि करबाक चाही। ओकरा बुद्धिमानी ढंगस' सोंचए चाही। ओकर नीक व्यवहार करही चाही। आ अतिथि-सत्कार करए अएबाक चाही। ओकरा दोसरोके सिखाबए' मे सक्षम होएबाक चाही।3ओकरा शराबी नहि होअए चाही आ ओ झगड़ौआ नहि होएबाक चाही। ओहि ठाम, ओकरा कोमल होएबाक चाही। ओकरा धनके लालची नहि करबाक चाही।4ओकरा अपन परिवारके नीकस' नेतृत्व आ देखभाल करबाक चाही। ओकर बच्चासबके ओकर आज्ञाके मानबाक चाही आ पूर्ण आदर सेहो करबाक चाही।5आखिरकार यदि केकरो नहि बुझल छै जे ओकरा कोना नीक जकां नेतृत्व देबाक चाही आ लोकासबके देख-रेख नीक जकां करबाक चाही जे ओकर अपन घरमे रहैत अछि, त' ओ ठीके परमेश्वरक मण्डलीके देखभाल नहि क' सकैत अछि!6मण्डलीके अगुवासब कोनो नव विश्वासीके अगुवा होएबाक लेल नियुक्त नहि करए, किएकत' ओ घमण्डीयो भ' सकैत अछि। तखन परमेश्वर ओकरा ओहि कारणस' न्याय करथिन जाहि कएनेस' ओ शैतानके न्याय कएने छलथि।7विश्वासीसबहक अगुवाके एहन आचरण होएबाक चाही जे अविश्वासीयो ओकरालेल नीक गवाही होए। तखन लोक ओकरा विषयमे अधलाह बात नहि कहत, आ शैतान ओकरा जालमे फंसल नहि पाओत ठीक ओहिना जेना एगो जानबरके फन्दामे फंसा लेत अछि।8ठीक ओहिना, जाहि लोकसबके सेविका नियुक्त कएल गेल अछि एहन लोक होएबाक चाही जे गम्भीर अछि। जखन ओ बजैत अछि त' ओकरा इमानदार होएबाक चाही। ओकरा बहुत बेसी दाखमद्य नहि पिबाक चाही, आ ओकरा धनलोभक तीव्र इच्छा सेहो नहि होएबाक चाही।9ओकरासबके सदिखन ओहि सन्देशपर विश्वास करबाक चाही जे परमेश्वर आब हमरापर ओकरामे विश्वास करबाक विषयमे प्रगट कएने छथि, जखन की अपन शुद्ध विवेकमे जनैत होअए जे ओ जे किछु क' रहल अछि ओकरा परमेश्वर स्वीकारक' रहल छथि।10मुदा जहिना अहाँ सेवकसब अपन अगुवासबके लेल करैत छे, ओहिना तोरा पहिने एहि सहायकसबके व्यवहारके परीक्षण करबाक चाही। फेरु, यदि अहाँ ओकरासबमे निर्दोष पबैत छी, त' अहाँ ओकरासबके सहायकके रुपमे सेवा कर' द' सकैत छी।11ओहिना ओकर पत्नीसबके गम्भीर होएबाक चाही, ओकरा लोकक सम्बन्धमे अधलाह बात नहि करबाक चाही आ ओकरा सबकिछु संयमस' करबाक चाही। ओकरा अपन सबटा ओहि काजक प्रति विश्वासयोग्य होएबाक चाही जेकरा ओ करैत अछि।12एगो सेविकाके अपन स्त्रीके प्रति विश्वासयोग्य होएबाक चाही, आ ओकरा अपन बालबच्चासब आ अपन घरक आनो लोकसबके नीक जकां नेतृत्व आ ओकर देखभाल करबाक चाही।13लोक एहन सहायकसबके सम्मान करत जे नीकस' सेवा करैत अछि आ एहन सहायक मसीह यीशुके विषयमे जे विश्वास करैत अछि, बेसी निर्भीकतास' बाजि पाओत।14हमरा आशा अछि जे हम लगले तोरासब लग आएब। मुदा हम आब एहि निर्देशनसबके लिखैत छी15जं हम जल्दी नहि आबि सकब, हम चाहैत छी जे अहाँ ई जानि लिअ जे विश्वासीसबके समूहके परमेश्वरक घरानिमे केहन व्यवहार करबाक चाही, जे ओहि लोकक समूह अछि जे यीशुपर विश्वास करैत अछि आ जीवित परमेश्वरके खम्हा अछि। एहि समूहके लोक सत्य सन्देशके समर्थन करैत अछि।16आ सबके एहि बातपर सहमत होएबाक चाही जे मसीह हमरासंगे जे सत्य प्रगट कएलनि ओ अद्भुत अछि: “मसीह परमेश्वर छलाह जे मानवीय शरीरमे एहि संसारमे आएल छलथि। पवित्र आत्मा ई सिद्ध क देलनि जे ओ धर्मी छथि। परमेश्वरक दूतसब हुनका देखलनि। विश्वासी लोकनि घोषणा कएलनि जे ओ गैर-यहूदीसबके लेल छलथि। दुनियांके अनेको भागमे लोकसब हुनकापर विश्वास कएलनि। परमेश्वर हुनका महिमामे अपनालग उपर स्वर्गमे ल' गेलाह।”

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67