1 Timothy2
1सबस' पहिन बात जेकर हम आग्रह करैत छी जे विश्वासी सदैव सबलोकके लेल परमेश्वरस' प्रार्थना करी। हुनका परमेश्वरस' पुछबाक चाही जे हुनका की चाही, आ इहो जे आन लोकसबके की चाही। आ हुनकासबके परमेश्वर जे किछु ओ करैत छथि धन्यवाद देबाक चाही।2राजा आ ओहि सब लोकके लेल जे अधिकारमे छथि, जाहिस' अपनासब भक्ति आ गरिमाके संग शान्तिपूर्ण आ शान्त जीवन जीबि सकब।3एहि तरहें प्रार्थना करब नीक अछि आ ई परमेश्वरके प्रसन्न करैत अछि, जे हमरासबके उद्धार करैत छथि।4परमेश्वर सब लोकके उद्धार करबाक इच्छा रखैत छथि। ओ चाहैत छथि जे सब केओ हुनका पूर्णरुपस' जानथि हुनक सत्य सन्देशके पूर्णरुपें स्वीकार करए।5मात्र एकहि सत्य परमेश्वर छथि आ मनुष्यके एकठाम आनि सकैत अछि। आ मात्र एकहि व्यक्ति छथि, जे लोकके आ परमेश्वरके मध्यस्थ करि सकैत छथि। ओ व्यक्ति मसीह यीशु छथि, जे स्वयं एक पुरुष छथि।6ओ स्वेच्छास' सब लोकके बचएबाक लेल एकटा बलिदानके रुपमे द' देलनि। ओ मरि गेलथि सही समयमे, आ हुनकर मृत्यु गवाही देलक जे परमेश्वर सब लोकके बचएबाक इच्छा रखैत छथि।7एहि सन्देशके घोषणाके लेल परमेश्वर हमरा हुनका भरस' बजबाक लेल आ हुनकर प्रेरितके रुपमे नियुक्त कएने छथि। जेना की निश्चित अछि जे हम मसीहस' सम्बन्धित छी, हम सत्य कहि रहल छी। हम झूठ नहि बाजि रहल छी! परमेश्वर हमरा पठौलनि ओहि लोकासबके शिक्षा देबाक लेल जे गैर-यहूदी अछि जे ओकरासबके परमेश्वरके सत्य सन्देशपर विश्वास करबाक चाही।8तएं हम चाहैत छी जे सबठाम जत विश्वासीसब आराधना करैत छथि, लोकसब परमेश्वरस' प्रार्थना करथि। जखन ओ प्रार्थनामे पवित्र हाथ उठबैत अछि आ एहन जीवन जीवित अछि जे परमेश्वरके प्रसन्न करैत छन्हि, त' हुनका केकरोपर क्रोधित नहि होएबाक चाही आ हुनका किनको संगे झगड़ा नहि करबाक चाही।9एहि तरहें जखन परमेश्वरके आराधना करबाक लेल जमा होइत छथि त' स्त्रीसब सबके उचित वस्त्र पहिरबाक चाही जे सभ्य आ अर्थपूर्ण होअए। हुनका अपन केशके नीकस' सोंटबाक नहि चाही, वा सोनाके गहना, वा मोती, वा महग कपड़ास' सजबाक कोशिस नहि करबाक चाही।10बल्कि, ओकरा स्वयंके सुशोभित करबाक चाही एहन काजसब जेकरा स्त्रीसब करैत अछि, जे परमेश्वरक आराधना करबाक प्रतिज्ञा करैत अछि। अर्थात्, ओकरासबके नीक काज दोसर लोकक लेल करही चाही।11स्त्रीसबके चुपचाप मण्डलीके अगुवासबस' सिखबाक चाही, आ सब प्रकारस' ओकर शिक्षाके ग्रहण करबाक चाही।12मुदा हम ई अनुमति नहि दैत छी जे स्त्रीसब पुरुषसबके शिक्षा देथि, ने पुरुषपर अधिकार जमबथि। बल्कि ओकरासबके चुपचाप रहबाक चाही।13आखिर परमेश्वर पहिने आदमके बनौलनि, आ तेकरबाद हव्वाके बनौलनि, 14संगहि, ई स्त्री, हव्वा रहए जेकरा सांप धोखा देलक, आदमके नहि। आ एहि तरहें हव्वा परमेश्वरके नियम तोड़ि देलीह। आ ओ पापी कएलीह। 15मुदा परमेश्वर स्त्रीसबके सन्तान जन्मएबाक कारणे उद्धार करताह, जं ओ परमेश्वरमे अटूट विश्वास रखैत अछि, आ दोसरोसबके प्रेम करैत अछि, आ एहन पवित्र जीवन व्यतीत करैत अछि जे परमेश्वरके प्रसन्न करैत छन्हि, आ समझदारीस' व्यवहार करैत अछि।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.