1 Peter4
1एहिलेल, किएकत' मसीह शरीरमे कष्ट भोगलथि, मसीहीके रुपमे कष्ट उठाबएलेल स्वयंके तैयार करु। ओहि दुखके विषयमे विचार कएलास' जेना यीशु ओहि दुखके विषयमे विचार कएने छलथि एना एहिलेल करु किएकत' जे लोक शरीरमे कष्ट भोगएबला आब पापमे सहभागी नहि अछि2जे ओसब ओहि काजसबके नहि करथि जे पापी लोक बांकी जीवनमे करए चाहैत अछि। बल्कि, ओसब ओ काजसब करबाक लेल जीबैत अछि जेकरा परमेश्वर चाहैत छथि जे ओसब करए।3हम अहाँसबके ई बात एहिलेल कहैत छी किएकत' अहाँसब अपन जीवनके बेसी समय पहिनेस' एहन काजसबमे बिता देने छी जे परमेश्वरके नहि चिन्हएबला आन लोकसबके करब नीक लगैत अछि। ओकरेसब जकां अहाँसब व्यभिचार आ कामुक काज कएली, निसामे मातल, अनैतिक समारोहमे आ मद्यपानबला समारोहमे भाग लेली, आ मूर्तिसबके पूजा करैत रही, जे खराब काजसब करबाक लेल परमेश्वर मना कएने छथि।4ओहि बातसबके सम्बन्धमे, जे परमेश्वरके नहि जनैत अछि, ओसब आश्चर्यित अछि जे जखन ओसब ई अपमानबला अनैतिक काजसब करैत अछि तखन अहाँसब ओकरासबके संग नहि सामेल होइत छी। परिणाम स्वरुप ओसब अहाँसबके विषयमे खराब बात बजैत अछि।5एकदिन एहि लोकसबके परमेश्वरके समक्ष जे किछु कएने अछि स्वीकार करए पड़तनि। ओएह छथि जे जीवित आ मरल सबलोकके न्याय करतथि। 6इएह कारण अछि जे लोक यीशुके विषयमे ओहि विश्वासीसबके सुसमाचार प्रचार कएलकनि जे एखन मरि गेल अछि: जे ओ विश्वासीसब जेकरा, यद्यपि लोकसब ओकरासबके जीवनकालमे मानवीय स्तर अनुसार न्याय कएलकनि, मुदा ओसब आब पवित्र आत्माद्वारा परमेश्वरके स्तर अनुसार सदाके जीवन जीबैत अछि।7एहि पृथ्वीपर सबकिछु जल्दिए समाप्त भ' जाएत। एहिलेल नीक जकां प्रार्थना करबाक लेल, समझदारी आ स्पष्टरुपस' विचार करु। 8सबस' महत्वपूर्ण बात ई अछि जे एक-दोसरस' इमानदारी' प्रेम करु, कारण जं अहाँसब दोसरस' प्रेम करब त' ओकर बहुते पाप जे ओ अहाँसबके विरुद्ध क' सकैत अछि से क्षमाक' देबै। 9कोनो संगी मसीही जे अहाँसबलग अबैत अछि ओकरालेल भोजन आ सुतएलेल जगह दिऔ, आ ई खुशीस' करु।10परमेश्वर जे वरदान अहाँसबके देने छथि, ओहिस' अपन संगी विश्वासीसबके भण्डारी जकां सेवा करु। परमेश्वर अनुग्रहमे जे विभिन्न वरदान देने छथि, ओकर नीक जकां उपयोग करु।11जे बजैत अछि ओकरा एना बजबाक चाही जेना ओ परमेश्वरद्वारा कहल गेल बात बजैत होथि। जे दोसरके सेवा करैत अछि ओकरा ओकरासबके सेवा ओहि सामर्थ्यस करबाक चाही जे परमेश्वर ओकरासबके दैत छथि। एहिना करु जे ओसब सब किछु क' क' परमेश्वरक महिमा करु जे करएमे यीशु मसीह अहाँसबके सक्षम करैत छथि। हम प्रार्थना करैत छी जे सब केओ देखए जे सदाके लेल ओ कतेक महिमामय आ पराक्रमी छथि। आमीन!12यौ प्रिय संगी विश्वासीसब जेकरास' हम प्रेम करैत छी, अहाँसब ओहि कष्टदायक बातसबस' आश्चर्यित नहि होउ जेकरा अहाँसब अनुभव क' रहल छी। ओ बातसब अहाँसबके जांच क' रहल अछि जेना लोक धातुके आगिमे राखिक' जांच करैत अछि। ई नहि सोंचू अहाँसबके संग किछु असामान्य भ' रहल अछि।13परन्च, अहाँ मसीहके कष्टमे जतेक भाग ल' रहल छी, आनन्दित होउ, जाहिस' हुनक महिमाके प्रकटीकरण पर सेहो अहाँ आनन्दित भ' आनन्दित भ' सकब।14जं दोसर लोक अहाँसबके एहि नामके लेल अपमान करैत अछि जे अहाँसब मसीहमे विश्वास करैत छी, त' परमेश्वर अहाँसबके आशीर्वाद देने छथि, किएकत' अहाँसबके दुख ई देखबैत अछि जे महिमाक आत्मा अहाँसबके भितर वास करैत छथि, अर्थात् ओ आत्मा जे ई प्रगट करैत छथि जे परमेश्वर कतेक महान छथि। 15ई निश्चित करु जे अहाँसबके एहिलेल कष्ट नहि होइक जे अहाँसब केकरो हत्या कएने छी वा किछु चोरा लेने छी वा कोनो आन प्रकारक खराबी कएने छी वा कोनो आन काजसबमे हस्तक्षेप कएने छी।16मुदा जं अहाँसब एहिलेल कष्ट उठा रहल छी किएकत' अहाँसब मसीही छी, त' लज्जित नहि होउ। बल्कि परमेश्वरके स्तुति करु जे अहाँसब मसीही कहबैत छी।17हम ई एहिलेल कहैत छी किएकत' समय आबि गेल अछि जे परमेश्वर लोकसबके न्याय करब शुरु करतथि, आ ओ सबस' पहिने अपने घरानिके लोकसबके न्याय करताह। ओना ओ सबस' पहिने अपनासब विश्वासीसबके न्याय करताह, तएं सोंचू जे अन्तमे ई ओकरासबके लेल केहन भयानक बात होएत जे ओहि सुसमाचारके नहि मानैत अछि जे हुनकास' अबैत अछि! 18सुलेमान सेहो शास्त्रमे लिखने छथि, “जं धर्मीसबके उद्धार पाबएस' पहिने बहुत कठिन परीक्षाके सामना करब आवश्यक अछि, त' अधर्मीसब आ पापीसबके निश्चितरुपस' कतेक बेसी कष्ट भोगए' पड़तैक!” 19एहिलेल, जे लोक एहिस' कष्ट उठाबि रहल अछि किएकत' परमेश्वर चाहैत छथि जे ओ कष्ट भोगए त' ओकरासबके भलाइके काजसब करैत अपन जीवनस' परमेश्वरपर भरोसा करबाक चाही। ओ परमेश्वरे छथि जे ओकरासबके सृष्टि कएलथि, आ ओ जे करबाक प्रतिज्ञा करैत छथि से सदिखन करैत छथि।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.