1 Peter3

1ओहिना जेना दाससब अपन मालिकके अधीन रहैत अछि तहिना स्त्रीसब जे विश्वसनीय छी, अपन अपन पतिके अधीनमे रहू। एहिना करु जे अहाँसब एहन पतिसबके बिना किछु कहने विश्वासी बनएलेल मनाबि सकैत छी, जे मसीहके सन्देशपर विश्वास नहि करैत अछि।2ओसब मसीहपर एहिलेल विश्वास करत किएकत' ओसब अहाँसबके पवित्र चालि चलैत आ ओकरासबसंगे आदरपूर्वक व्यवहार करैत देखैत अछि।3केशके अनेक रुपमे गुहिक' वा सोनाके गहनासब वा नीक-नीक कपड़ा पहिरक' अपन शरीरके बाहरी भागके सुन्दर नहि बनाउ।4बल्कि अपन अदृश्य मोनके एहन सुन्दर बनाउ जे कहियो फीका नहि पड़ए। माने विनम्र आ शान्तिपूर्ण मनोवृत्ति अपनाउ। ई एहन अविनाशी बात अछि जेकरा परमेश्वर बहुत महत्व दैत छथि।5ई एहिलेल करु जे कारण बहुत पहिने पवित्र जीवन जिअएबाली स्त्रीसब स्वयंके एहि तरहें सुन्दर बनबैत छलीह। परमेश्वरपर आशा रखैत पतिके अधीन भ' गेलीह।6जेना सारा अपन पति अब्राहमके आज्ञापालन कएलीह आ ओकरा अपन मालिक कहलीह। जं अहाँसब नीक काज करैत छी आ अहाँसबके कोनो भयावह घटनास' नहि डेराइत छी त' परमेश्वर अहाँसबके अपन बेटीसब मानितथि।7तहिना यौ अहाँसब पुरुषसब जे विश्वासी छी, अपन अपन पत्नीके संग सही बुझबाक साथ जीवन व्यतीत करु। ओकरासबसंगे ओहिना व्यवहार करु जेना अहाँसब केकरोसंगे व्यवहार करब जे अहाँसबके तुलनामे कमजोर अछि। ओकरासबके एहन लोकके रुपमे आदर करु जे अहाँसबसंगे परमेश्वरके कृपापूर्ण वरदान अनन्त जीवन सेहो प्राप्त करतीह। एहिना करु जाहिस' अहाँसबके प्रार्थना करएमे किछु नहि रोकए।8हमर पत्रके ई भाग समाप्त करबाक लेल हम अहाँसबस' कहैत छी जे अहाँसब एके मोनके होउ। एक-दोसर प्रति करुणा राखू। एक-दोसरके भाइ-बहिन जकां प्रेम करु। एक-दोसरके करुणाके साथ व्यवहार करु। विनम्र रहू।9जखन लोक अहाँसबसंगे अधलाह काज करैत अछि वा अहाँसबके अपमान करैत अछि त' ओकरासंगे ओहिना नहि करु। बल्कि ओकरासबके आशीष दिऔ, किएकत' परमेश्वर अहाँसबके एहन करबाक लेल चुनने छथि जाहिस' परमेश्वर अहाँसबके आशीष द' सकथि।10जेना शास्त्र कहैत अछि, “अपनासब ई बात सत्य अछि से जनैत छी कारण, जेना दाऊद लिखने अछि जे वास्तवमे नीक जीवनके आनन्द लेबए चाहैत अछि, ओकरा दुष्ट बात नहि बजबाक चाही आ ने छल करबाक चाही।11बल्कि ओकरासबके अधलाह काजस' परहेज करबाक चाही, आ नीक काज करबाक चाही। ओकरासबके मगन भ' क' कोशिस करबाक चाही जे दोसर लोकस' शान्तिपूर्ण सम्बन्ध होअए।12ओकरासबके ईसब करबाक चाही, किएकत' प्रभु धर्मी लोकसबपर नजरि रखैत छथि। ओ धर्मी लोकके प्रार्थना सुनैत छथि आ उत्तर दैत छथि, मुदा अधलाह काज करएबलासबके विरोध करैत अछि।” 13जं अहाँसब नीक काज करबाक लेल आतुर छी त' सम्भावना कम अछि जे केओ अहाँसबके हानि पहुंचाओत।14ओना जं अहाँसब धार्मिकताके कारणे कष्ट भोगैत छी त' परमेश्वर अहाँसबके आशीर्वाद देथिन। “ओहि बातस' डेराएब वा परेशान नहि होउ जाहिस' दोसर लोक डेराइत अछि।”15बल्कि अपन हृदयमे आदर करु जे प्रभु मसीह पवित्र छथि। सर्वदा उत्तर देब' लेल तैयार रहू जे केओ अहाँसबके ई बताबएलेल पुछए जे अहाँसब एतेक दृढ़तास' किएक आशा क' रहल छी जेकरा परमेश्वर अहाँसबके लेल पूरा करताह।16मुदा विवेक शुद्ध राखू आ ओकरासबके विनम्रता आ आदरपूर्वक आ बिना कोनो दुष्कर्म कएने उत्तर दिऔक, जाहिस' परमेश्वर ओहि लोकसबके लज्जित करतथि जे ओहि भलाइके काजसबके हीन बुझति अछि जेकरा अहाँसब मसीहके संग जुड़ल लोकके रुपमे करैत छी। परमेश्वर ओकरासबके लज्जित करथिन जे ओसब अहाँसबके विरुद्ध कपटस' बाजि रहल अछि।17ईसब एहिलेल करु किएकत', यदि परमेश्वर चाहैत छथि जे अहाँसब कष्ट उठाउ, तखन अहाँसब ओ काज कएलहुं जे नीक छल, किएकत' अहाँसबके लेल दुख भोगब ओहिके तुलनामे नीक अछि जे अहाँसब ओहि अधलाह काज कएलाके कारण दुख भोगब।18ई बात सत्य अछि कारण मसीह सेहो कष्ट भोगलथि। आन लोकसबके पापके लेल ओ एके बेर कष्ट भोगलथि। ओ धर्मी भ' क' अधर्मीके हितके लेल मरलथि। ओ अहाँसबके परमेश्वरके संग रहएमे सक्षम करएलेल ओ मरलथि। ओना लोकसब हुनका मारि देलक, मुदा परमेश्वरक आत्मा हुनका फेरुस' जीवित क' देलथिन।19ओहे आत्मा हुनका ओहि दुष्ट आत्मासबलग जाक' परमेश्वरके विजयके घोषणा करएमे सेहो सक्षम बना देलथिन। जेकरा परमेश्वर जहलमे रखने छलथि।20ओ दुष्टात्मासब बहुत पहिने, नूहके जीवनकालमे परमेश्वरके आज्ञा नहि मानने छलनि। जाहि समय जं नूह एकटा नमहर जहाज बना रहल छलाह, तखन परमेश्वर धैर्यपूर्वक प्रतीक्षा करैत छलाह जे आदमीसब दुष्टइसब करब कखन छोड़ि देत। ओहि जहाजमे मात्र किछुए लोक बंचि गेल छल। खास क' क' परमेश्वर जलप्रलयके पानिस' मात्र आठ प्राणीसबके बचौलथि।21पानि एकटा एहन चेन्ह अछि जे बपतिस्माक प्रतिनिधित्व करैत अछि जे एहि समयमे अहाँसबके उद्धार अनैत अछि। ई बपतिस्मा अहाँसबके शरीरस' मैल नहि धोइत अछि। बल्कि, ई देखबैत अछि जे अपनासबके विवेकमे नीकस' आश्वस्त करएलेल कहैत होइक जे ओ अपनासबके पाप क्षमाक' देने छथि। ई बपतिस्मा परमेश्वर यीशु मसीहके फेरुस जीवित कएनाइ द्वारा अहाँसबके उद्धार करैत छथि।22परमेश्वरद्वारा प्रत्येक दुष्ट आ शक्तिशाली आत्मासबके, स्वर्गदूतसबके अपन अधीन कएलाके बाद, मसीह स्वर्गमे प्रवेश कएलाह, ओतहि मसीह परमेश्वरके साथ सबस' उपर आदरके स्थानपर बैसल छथि। 

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67