1 John4

1यौ प्रियसब, पवित्र आत्मा होएबाक दाबी करएबलासबपर विश्वास नहि करु, मुदा ई पता लगाबए लेल ओकर जांच करु जे ओकरा लग जे आत्मा अछि ओ परमेश्वरस' आएल अछि की नहि। किएकत' कतेको झुट्ठा प्रवक्ता सारा संसारमे बाहर निकलिक' गेल अछि।2अहाँसब परमेश्वरक आत्माके एहि तरहें जनैत छिऐ: जे कोनो आत्मा ई स्वीकार करैत अछि जे यीशु मसीह शरीरमे आएल छथि, ओ परमेश्वरे दिसस' अछि।3आ जे आत्मा ई स्वीकार नहि करैत अछि जे यीशु परमेश्वरस' छथि। ओ मसीह विरोधी दिसस' अछि, जेकरा विषयमे अहाँसब सुनने छी जे ओ आबि रहल अछि आ एखन ओ संसारमे अछि।4यौ बौआसब, अहाँसब परमेश्वरके दिसस' छी आ अहाँसब झुट्ठा प्रवक्तासबपर विजय पाबि लेने छी किएकत' परमेश्वर जे अहाँसबमे छथि ओ ओकरास' महान छथि जे शैतान संसारमे अछि।5झुट्ठा प्रवक्तासब संसारके अछि। एहि कारण ओसब संसार दिसस' बजैत अछि, आ संसार ओकरासबके बात सुनैत अछि।6अपनासब परमेश्वर दिसस' छी। परमेश्वर चिन्हएबला लोक अपनासबके बात सुनैत अछि। आ जे परमेश्वरस' नहि अछि से अपनासबके बात नहि सुनैत अछि। एहिस' अपनासब सत्यके आत्मा आ झूठक आत्माके जनैत छी।7यौ प्रियसब, अपनासब एक-दोसरस' प्रेम करी, किएकत' प्रेम परमेश्वरस' अछि, आ प्रेम करएबलासब परमेश्वरस' जनमल अछि आ परमेश्वरके जनैत अछि।8जे व्यक्ति प्रेम नहि करैत अछि, ओ परमेश्वरके नहि जनैत अछि, किएकत' परमेश्वर प्रेम छथि।9एहि परमेश्वरके प्रेम अपनासबमे प्रगट होइत अछि जे परमेश्वर अपन एकलौता पुत्रके संसारमे पठौलथि जाहिस' अपनासब हुनकाद्वारा अनन्त जीवनमे जीबि सकी।10प्रेम एहिमे अछि, ई नहि जे अपनासब परमेश्वरस' प्रेम कएली, मुदा ओ अपनासबस' प्रेम कएलथि आ अपन पुत्रके अपनासबके पापके प्रायश्चितके रुपमे पठौलथि।11यौ प्रियसब, जं परमेश्वर अपनासबस' एहि तरहें प्रेम कएलथि त' अपनासबके सेहो एक-दोसरस' प्रेम करबाक चाही।12परमेश्वरके धरि केओ नहि देखने अछि। जं अपनासब एक-दोसरस' प्रेम करैत छी त' परमेश्वर अपनासबमे रहैत छथि आ हुनकर प्रेम अपनासबमे सिद्ध भ' गेल अछि।13एहिस' अपनासब जनैत छी जे अपनासब हुनकामे रहैत छी आ ओ अपनासबमे रहैत छथि, किएकत' ओ अपनासबके अपन आत्मा देने छथि।14आ वास्तबमे, अपनासब देखने छी आ गवाही दैत छी जे पिता अपन पुत्रके संसारके उद्धारकर्ताके रुपमे पठौलथि।15जे केओ एहि बातके स्वीकार करैत अछि जे यीशु परमेश्वरक पुत्र छथि, परमेश्वर ओकरामे रहैत छथि आ ओ परमेश्वरमे।16आ अपनासब ओहि प्रेममे जानि लेने छी आ विश्वास कएने छी ओहि प्रेमपर जे परमेश्वर अपनासबमे रखने छथि। परमेश्वर प्रेम छथि, आ जे प्रेममे रहैत अछि से परमेश्वरमे रहैत अछि, आ परमेश्वर ओकरामे रहैत छथि।17प्रेम अपनासबमे एहिमे सिद्ध होइत अछि, जे अपनासबके न्यायके दिनमे साहस होअए: जे एहि संसारमे मसीह जेना छथि, अपनोसब छी। 18प्रेममे डर नहि होइत अछि, मुदा सिद्ध प्रेम डरके बाहर निकालि दैत अछि, किएकत' डरमे दण्ड होइत अछि। तएं जे डेराइत अछि ओकरामे प्रेम सिद्ध नहि भेल अछि।19अपनासब एहिलेल प्रेम करैत छी जे परमेश्वर पहिने अपनासबस' प्रेम कएलथि।20जं कोनो आदमी कहैत अछि, “हम परमेश्वरस' प्रेम करैत छी” आ ओ अपन भाइस' घृणा करैत अछि, त' ओ झूठ बजैत अछि। कारण जे अपन भाइस' प्रेम नहि करैत अछि, जेकरा ओ देखने अछि, ओ परमेश्वरस' प्रेम नहि क' सकैत अछि, जेकरा ओ नहि देखने अछि।21आ वास्तबमे, अपनासबके हुनकास' ई आज्ञा भेटल अछि, जे कोनो व्यक्ति परमेश्वरस' प्रेम करैत अछि ओकरा अपन भाइस' सेहो प्रेम करबाक चाही। 

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67