1 John3

1देखू पिता अपनासबके केहन प्रेम देलथिन अछि जे हमसब परमेश्वरक सन्तान कहल गेल छी आ हमसब छितो छी। एहि कारण संसार अपनासबके नहि चिन्हैत अछि, कारण इहो हुनका नहि जनैत छलनि।2प्रियसब, आब अपनासब परमेश्वरके सन्तान छी, आ आगु की होएत से एखन धरि प्रगट नहि भेल अछि। अपनासब जनैत छी जे जहिया मसीह फेरु अओताह त' अपनासब हुनके जकां रहब, कारण हुनका अपनासब ओहिना देखब जेना ओ छथि।3आ जे केओ मसीहमे आशा करैत अछि, स्वयंके पवित्र करैत अछि, जेना ओ पवित्र छथि।4पाप करएबला व्यक्ति व्यवस्थाके विरोध सेहो करैत अछि। आ वास्तवमे पाप व्यवस्थाके विपरीत अछि।5आ अहाँसब जनैत छी जे मसीह पापसबके दूर करबाक लेल प्रगट भेलथि, आ हुनकामे कोनो पाप नहि अछि। 6जे केओ मसीहमे रहैत अछि से पाप नहि करैत अछि। जे केओ पाप करैत अछि, से हुनका नहि देखने अछि आ ने हुनका चिन्हने अछि।7यौ छोट बच्चासब, केओ अहाँसबके बहकाबे नहि। जे केओ धार्मिकताके पालन करैत छै से धर्मी छै, जेना मसीह धर्मी छथि।8जे व्यक्ति पाप करैत अछि ओ शैतान दिसस' अछि, कारण शैतान शुरुए' पाप करिते आबि रहल अछि। एहिलेल परमेश्वरक पुत्र प्रगट भेलथि, जे ओ शैतानके काजसबके नाश क' देथि।9जे केओ परमेश्वरस' जन्मल अछि, से पाप नहि करैत अछि, किएकत' परमेश्वरके बिआ ओकरामे रहैत अछि। आ ओ पाप करएमे एहिलेल सक्षम नहि अछि, किएकत' ओ परमेश्वरस' जन्मल अछि।10परमेश्वरके सन्तान आ शैतानके सन्तानके एहि तरहें स्पष्ट कएल गेल अछि: जे केओ धार्मिकताके पालन नहि करैत अछि ओ परमेश्वरस' नहि अछि, आ ओ सेहो जे अपन भाइस' प्रेम नहि करैत अछि।11किएकत' ई सन्देश अहाँसब सुसमाचार प्रचारके शुरुए' सुनने छी जे अपनासब एक-दोसरस' प्रेम करी।12आदमके पुत्र कैन जकां नहि, जे ओहि दुष्टस' छल जे अपने छोट भाइके मारि देलक। आ ओ ओकरा किएक मारि देलक। कारण ओकर काजसब दुष्ट रहए, मुदा भाइके काजसब धर्मी रहए। 13यौ भाइसब, आश्चर्यित नहि होएब, यदि ई संसार अहाँसबस' घृणा करत।14अपनासब जनैत छी जे अपनासब मृत्युस' जीवन दिस बढ़ि गेल छी, कारण अपनासब अपन भाइसबस' प्रेम करैत छी। जे व्यक्ति प्रेम नहि करैत अछि ओ मृत्युमे पड़ल रहैत अछि।15जे केओ अपन भाइस' घृणा करैत अछि, ओ हत्यारा अछि, आ अहाँसब जनैत छी जे कोनो हत्यारामे अनन्त जीवन नहि होइत छै।16प्रेमके एहि तरहें जनैत छी, जे मसीह अपनासबके लेल अपन जीवन द' देलथिन। अपनासबके सेहो अपन भाइसबके लेल अपन प्राण देबाक चाही।17मुदा जेकरालग एहि संसारक सम्पत्ति अछि आ ओ देख रहल अछि जे अपन भाइके आवश्यकता अछि, मुदा ओकरालेल अपन हृदय कठोर क' लैत अछि, ओकरामे परमेश्वरके प्रेम कोना रहतैक? 18यौ छोट बच्चासब, हमसब बोलीएस' आ मुंहेस' प्रेम नहि करी, बल्कि काज आ सत्यस' प्रेम करी।19एहिस' हमसब जानि सकब जे हमसब सत्यके छी आ परमेश्वर समक्ष अपन हृदयके आश्वस्त क' सकब।20यदि अपनासबके मोन अपनासबके दोषी ठहरबैत अछि, परमेश्वर अपनासबके हृदयस' विशाल छथि आ ओ सबकिछु जनैत छथि।21प्रियसब, जं अपनासबके हृदय अपनासबपर पाप करबाक आरोप नहि लगबैत अछि, त' अपनासबके परमेश्वरके आगु साहस होएत।22आ अपनासब जे किछु मांगब, अपनासब परमेश्वरस' पाबि लेब, किएकत' अपनासब हुनकर आज्ञाके पालन करैत छी आ हुनका प्रसन्न करएबला काज करैत छी।23हुनकर आज्ञा ई अछि जे अपनासब हुनकर पुत्र यीशु मसीहके नामपर विश्वास करी आ एक-दोसरस' ओहिना प्रेम करी जेना ओ अपनासबके आज्ञा देने छलथि।24जे केओ परमेश्वरके आज्ञा मानैत अछि से हुनकामे रहैत अछि आ ओ ओकरामे रहैत छथि। आ एहिस' अपनासब जनैत छी जे ओ अपनासबमे रहैत छथि, ओहि पवित्र आत्माके द्वारा जे ओ अपनासबके देने छथि।

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67