1 John2

1हमर बौआसब, हम ई सन्देश अहाँसबके लिख रहल छी जाहिस' अहाँसब पाप नहि करब। आ जं केओ पाप करैत अछि त' पितालग अपनासबके लेल एकटा पैरवीकार छथि, जे धर्मी यीशु मसीह छथि।2आ ओ अपनासबके पापके प्रायश्चित सेहो अछि, आ मात्र अपनेसबके नहि, बल्कि समस्त संसारक लोकसबके पापके लेल सेहो।3आ एहिस' अपनासब ज्ञात होइत अछि जे अपनासब हुनका चिन्हित छिऐ, यदि अपनासब परमेश्वरके आज्ञाके पालन करैत छिऐ।4जे व्यक्ति कहैत अछि, “हम हुनका चिन्हैत छी,” आ हुनकर आज्ञाके पालन नहि करैत अछि, त' ओ झूठ बजैत अछि, आ ओकरामे कोनो सत्य नहि अछि।5मुदा जे केओ हुनकर वचन मानैत अछि, ओहि व्यक्तिमे परमेश्वरक सत्य प्रेम सिद्ध भ' गेल अछि। एहिस' अपनासब जनैत छी जे अपनासब हुनकामे छी।6जे केओ कहैत अछि जे हम परमेश्वरमे छी, जेना यीशु चलैत छलथि, ओकरा ओहिना जीवन व्यतीत करबाक चाही।7प्रिय, हम अहाँसबके कोनो नव आज्ञा नहि लिख रहल छी, बल्कि ओएह पुरना आज्ञा जे अहाँसबके शुरुएस' भेटल छल। ई पुरना आज्ञा ओएह शब्द अछि जे अहाँसबहक शुरुए' भेटल रहए जहिया अहाँसब विश्वासी भेल रही।8फेरु, हम अहाँसबके एकटा नव आज्ञा लिख रहल छी, जे हुनकामे आ अहाँमे सेहो सत्य अछि, कारण अन्हार हटि रहल अछि आ सांच्चेके इजोत चमकिए रहल अछि।9जे व्यक्ति कहैत अछि जे हम इजोतमे छी आ मसीहमे भाइ बहिनसबस' घृणा करैत अछि ओ एखनो अन्हारमे अछि।10जे व्यक्ति अपन भाइस' प्रेम करैत अछि ओ इजोतमे रहैत अछि आ ओकरामे कोनो प्रकारके ठेंस लागएबला बात नहि छै।11मुदा जे अपन भाइस' घृणा करैत अछि से अन्हारमे अछि आ अन्हारेमे चलैत अछि, ओकरा नहि बुझल छै जे ओ कत' जा' रहल अछि, किएकत' अन्हार ओकर आंखि आन्हर क' देने छै।12छोट बच्चासब, हम अहाँसबके एहिलेल लिख रहल छी जे मसीहके नामके कारण अहाँसबके पाप क्षमा भ' गेल अछि। 13पितासब, हम अहाँसबके एहिलेल लिख रहल छी जे अहाँसब ओहि बातके जनैत छी जे शुरुए' छथि। युवकसब, हम अहाँसबके एहिलेल लिख रहल छी जे अहाँसब दुष्टपर विजय पएने छी।14यौ लड़कासब, हम अहाँसबके एहिलेल लिखने छी जे अहाँसबके बुझएमे आबए जे पिताके छथि। पितासब, हम अहाँसबके एहिलेल लिखने छी जे अहाँसब हुनका जनैत छी जे शुरुए' छथि। यौ युवकसब, हम अहाँसबके एहिलेल लिखने छी जे अहाँसब बौकार छी, आ परमेश्वरक वचन अहाँसबमे अछि आ अहाँसब दुष्टपर विजय पएने छी।15संसारस' प्रेम नहि करु, आ ने संसारमे भेटएबला वस्तुस'। जं केओ संसारस' प्रेम करैत अछि, त' ओकरामे पिताके प्रेम नहि छै।16किएकत' संसारमे जे किछु अछि, से शरीरके अभिलाषा, आंखिके अभिलाषा आ जीवनक घमण्ड — ई पिता दिसस' नहि, बल्कि संसारे दिसस' अछि। 17आ संसार समाप्त भ' रहल अछि, आ ओकर इच्छा सेहो, मुदा जे परमेश्वरक इच्छाके पालन करैत अछि, से सदाके लेल रहैत अछि।18यौ लड़कासब, ई अन्तिम बेर अछि, आ जेना अहाँसब सुनने छी जे मसीह विरोधी आबि रहल अछि, एहि समय बहुते मसीह विरोधी आबि गेल अछि आ एहिस' अपनासबके बुझल अछि जे ई अन्तिम समय अछि।19ओसब जे मसीहके विरोध करैत अछि अपनेसबमेस' बाहर निकलिक' चलि त गेलै, मुदा ओसब अपनासबमेस' नहि छल। कारण जं ओसब अपनासबमेस' रहितै त' अपनेसबके संग रहितै, मुदा एहिनाक' क' मात्र ओकरासबके ई खुलस्त कएल जाएत जे ओसब अपनासबमेस' नहि अछि।20आ अहाँसबके ओहि पवित्र आत्मास' अभिषिक्त छी, आ अहाँसब सब बात जनैत छी।21हम अहाँसबके एहिलेल नहि लिखने छी जे अहाँसब सत्यके नहि जनैत छी, बल्कि एहिलेल जे अहाँसब ई जनैत छी आ सब झूठ सत्यके दिसस' नहि अछि।22तखन झुट्ठा के अछि, यदि ओ व्यक्ति नहि जे यीशु मसीह छथि से अस्वीकार करैत अछि? ओएह व्यक्ति मसीह विरोधी अछि, आ ओएह व्यक्ति पिता आ पुत्रके अस्वीकार करैत अछि।23जे केओ पुत्रके अस्वीकार करैत अछि, ओकरा लग पिता नहि छथि। जे पुत्रके स्वीकार करैत अछि, ओकरा लग पिता सेहो छथि।24रहल बात अहाँसबके त' जे शुरुए' सुनने छी से अहाँमे रहए। जं अहाँसब जहियास विश्वासी भेली तहिएस' सुनने छी से अहाँसबमे रहत त' अहाँसब सेहो पुत्र आ पितामे रहब।25आ ई ओएह प्रतिज्ञा अछि जे मसीह अपनासबस' कएने छलथि — अनन्त जीवन।26हम ई बातसब अहाँसबके ओहि लोकसबके विषयमे लिखने छी जे अहाँसबके भरमा रहल अछि।27आ जं बात अहाँसबके अछि, त' परमेश्वरस' जे अभिषेक अहाँसबके भेटल अछि से अहाँसबमे रहत, आ अहाँसबके केओ सिखाबए से आवश्यकता नहि अछि। मुदा जेना हुनकर अभिषेक अहाँसबके सब बातके विषयमे सिखबैत अछि आ ओ सत्य अछि आ ओ झूठ नहि अछि, आ जहिना ई अहाँसबके सिखऔने अछि, मसीहमे रहू। 28आ आब, छोट बच्चासब, मसीहमे रहू, जाहिस' जखन ओ प्रगट होएताह तखन अपनासबके हिम्मत भेटए आ जखन मसीह आबि जएताह तखन हुनका सोझा लज्जित नहि होएब।29जं अहाँसब जनैत छी जे मसीह धर्मी छथि त' अहाँसब ईहो जनैत छी जे धार्मिकता पालन करएबला प्रत्येक हुनकेस' जन्मल अछि।

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67