1 John1
1जीवनके वचनके विषयमे जे सृष्टि होअएस' पहिनेस' छल, जे हमसब सुनने छी, जेकरा हमसब आंखिस' देखने छी, जाहिपर हमसब ध्यानपूर्वक देखने छी आ जे हमसब हाथस' छुने छी2सांच्चे, ओ जीवन प्रगट भेल, आ हमसब ओकरा देखने छी, आ हमसब एकर गवाही दैत छी, आ हमसब अहाँसबके अनन्त जीवनके घोषणा करैत छी जे पिताके संग छलथि आ हमरासबलग प्रगट भेलथि।3जे हमसब देखने छी आ सुनने छी से अहाँसबके घोषणा करैत छी, जाहिस' अहाँसबके संगति हमरासबसंगे होअए। आ सांच्चे, अपनासबके संगति पिता आ हुनकर पुत्र, यीशु मसीहके संग अछि।4आ हमसब ईसब एहिलेल लिख रहल छी जे अपनासबके आनन्द पूरा होअए।5आ ई ओएह सन्देश अछि जे हमसब हुनकास' सुनने छी आ जे हमसब अहाँसबके ई घोषणा क' रहल छी जे परमेश्वर इजोत छथि आ हुनकामे अन्हार कनिको नहि अछि।6जं हमसब कहैत छी जे हुनकासंगे संगति अछि आ अन्हारमे चलैत छी त' हमसब झूठ बाजि रहल छी आ सत्यके पालन नहि क' रहल छी।7मुदा जं हमसब इजोतमे ओहिना चलैत छी जेना ओ इजोतमे छथि त' हमरासबके एक दोसरसंगे संगति अछि आ हुनकर पुत्र यीशु मसीहके लेहू अपनासबके सब प्रकारके पापस' शुद्ध करैत अछि। 8जं अपनासब कहैत छी जे हमरासबमे कोनो पाप नहि अछि त' अपनासब स्वयंके भटका रहल छी, आ हमरासबमे कोनो सत्यता नहि अछि।9यदि अपनासब अपन पाप परमेश्वर लग स्वीकार करैत छी, तखन ओ विश्वासी आ धर्मी छथि, जे ओ अपनासबके पाप क्षमा करथि आ अपनासबके सब अधर्मस' शुद्ध करथि। 10जं अपनासब कहैत छी जे हमसब पाप नहि कएने छी त' अपनासब परमेश्वरके झूठ बाजएबला बना रहल छी, आ हुनकर वचन अपनासबमे नहि अछि।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.