1 Corinthians9

1हम कोनो निश्चित भोजन खाएलेल बाध्य नहि छी। अपनासबके प्रभु यीशु हमरा हुनकर प्रेरितके रुपमे पठौने छथि, आ हम हुनका अपने आंखिस' देखने छी। परमेश्वर अपनासबके प्रभुसंगे एक कएने छथि, आ एहिलेल हम अहाँसबके लेल बेसी मेहनति कएने छी।2आओर लोकसब ई नहि सोंचैत अछि जे मसीह हमरा हुनकर प्रेरित बनबाक लेल पठौने छथि, मुदा अहाँसब त' जनैत छी। अहाँसब जनैत छी जे अहाँसब साबित कएली जे मसीह हमरा पठओने छथि जं परमेश्वर अहाँसबके प्रभुसंगे एक क' देलथिन।3आब मसीहे हुनकर प्रतिनिधित्व करबाक लेल हमरा पठौलथि की से प्रश्न करएबलासबके विरुद्ध अपन बचाव करब।4हम आ बरनबास अहाँसबस' अधिकार मांगिक' कहि सकैत छी जे अहाँसब हमरासबके भोजन आ पिबएके वस्तुसब पठा दिअ।5निश्चितरुपस' हमरासबके ई अधिकार सेहो अछि जे मसीहमे विश्वासी अपन पत्नीके संग यात्रा क' सकैत छी। जेकरासबके मसीह हुनकर प्रेरित होबएलेल लेल पठओने छथि ओना करैत अछि, जाहिमे पत्रुस आ प्रभुमे भाइ आ बहिनसब सेहो छनि।6ई सत्य नहि अछि जे हम आ बरनबास मात्रे मसीहके प्रेरित छी जेकरा अपन खर्चा लेल काज करबाक अधिकार अछि।7कोनो सैनिक कहियो अपने खर्चामे सेनामे नोकरी करए नहि जाइत अछि। एहिना कोनो किसान अंगूर बगान लगबैत अछि, आ फेरु ओहिमेस' फल नहि खाइत अछि। एहने कोनो चरबाह नहि अछि जे भेंड़ाके देखभाल कएलाके बाद ओहिके दूध नहि पीबैत होइक।8हम जे कहि रहल छी से मात्र मनुष्यक सोंचपर निर्भर नहि करैत अछि। मुदा, अहाँसब पढ़ि सकैत छी जे हम मूसाके व्यवस्थास' तर्क द' रहल छी।9मूसा अपन व्यवस्थामे लिखने छथि: “दौनीमे जोताएबला बैलके दौनीके अनाज खाएस' नहि रोकियौ।” परमेश्वर बैलमे कोनो रुचि नहि छथि। 10मुदा, मूसाके व्यवस्थामे परमेश्वर हमरेसबके विषयमे कहैत छथि। परमेश्वर मूसास' हमरेसबके हितके लेल ई आज्ञा लिखबओने छथि, किएकत' खेत जोतनिहारके फसलमे किछु भाग मिलत से आशा करबाक चाही। जे केओ गहुमके दौनी करैत अछि ओकरा सेहो किछु पाबएके आशा करबाक चाही।11हमसब अहाँसबके सुसमाचार सुनलिऐ, जे जेना हमसब आत्मिक बिआ रोपने होइक। एहि कारण, हमरासबके अहाँसबस' भौतिक वस्तु सहयोग भेटए से साधारण बात होएबाक चाही जेना हमरासबद्वारा रोपल बिआस' उपजल बालि हमसब पाबि रहल छी।12जं आओर लोकसबके अहाँसबस' आर्थिक सहायता प्राप्त करबाक अधिकार अछि त' हम आ बरनबास अहाँसबस' आर्थिक सहायता पाबएके बेसी भागी छी। मुदा तथापि, हमसब अहाँसबस' कोनो मदति नहि मंगलिए। बल्कि, हमसब कोनो वस्तुके बिना चलि गेली जे मसीहके सुसमाचार प्रचार होबए नहि रुकैक।13अहाँसब जनैत छी जे मन्दिरमे सेवा करएबलासब ओहि मन्दिरमे लोकसबद्वारा चढ़ाएल गेल भोजनमेस' खाइत अछि। आओर विशेष क' क', वेदीपर बलिदान चढ़ाबएबला पुजारी वेदीपर चढ़ाएल गेल बलिदानमेस' किछु हिस्सा पबैत अछि। 14एहिना, प्रभु आदेश देने छथि जे सुसमाचार प्रचार करएबला सुसमाचार प्रचारे स' अपन जीवन यापन करथि। 15मुदा, हम अहाँसबस' एहन कोनो मदति नहि मंगलिए आ ने मांगएलेल हम ई पत्र लिख रहल छी। हमर गर्व करएबला बातके केओ व्यर्थ क' दए, ओहिस' नीक त' मरि जाएब सेहे होएत।16आब हम सुसमाचार प्रचार करएमे गर्व नहि क' सकैत छी, किएकत' परमेश्वर चाहैत छथि जे हम ई प्रचार करी, यदि हम प्रचार करब छोड़िदेब त' परमेश्वर हमरा बड्ड दुख देताह।17यदि हम सुसमाचार प्रचार करएके निर्णय स्वयं लैत छी त' परमेश्वर हमरा इनाम देथिन। मुदा, ई हम एना करब नहि चुनने छी, किएकत' परमेश्वर अपने हमरा सोंपि देलथिन जे हमरा की करबाक चाही।18जं हम लोकसबस' किछु लेने बिना सुसमाचार प्रचार करैत छी त' परमेश्वर हमरा इनाम देताह ओना ओ करए छथि। हम लोकसबके सुसमाचारके विषयमे एना कहैत छिऐ जे हम पाबएके योग्य छी ओहि अधिकारके हम गलत प्रयोग नहि करब किएकत हम सुसमाचार प्रचार करैत छी।19किएकत' हम बिना मजदूरीएके सुसमाचार प्रचार करैत छी, त' हमरा कोनो मनुष्यके सेवा करब आवश्यक नहि अछि। तथापि हम सबलोकके सेवा कर' के चुनने छी जे आओर लोकसबके मसीहमे विश्वास करएमे मदतिक' सकी।20जखन हम यहूदीसबके संग रहैत छी, त' यहूदी जकां व्यवहार करैत छी। एनाक' हम यहूदी लोकसबके मसीहमे विश्वास करएमे मदतिक' सकैत छी। जखन हम एहन लोकसबसंगे रहैत छी जे सोंचैत अछि जे ओकरा मूसाके व्यवस्थाके पालन करबाक आवश्यकता अछि, तखन हम एहन व्यक्तिसंगे एहन व्यवहार करैत छी जे सोंचैत अछि जे ओकरा मूसाके व्यवस्था पालन करबाक आवश्यकता अछि। जे की हम जनैत छी जे हमरा मूसाके व्यवस्था पालन करबाक आवश्यकता नहि अछि, हम एहि तरहें व्यवहार एहिलेल करैत छी जे हम ओहि लोकसबके मसीहमे विश्वास कर' मे मदतिक' सकी जे सोंचैत अछि जे ओकरा मूसाके व्यवस्था पालन करबाक आवश्यकता अछि।21जखन हम मूसाके व्यवस्था पालन नहि करएबला लोकसबके संग रहैत छी, त' हम ओहिना व्यवहार करैत छी जेना हम मूसाके व्यवस्था पालन नहि करैत अछि। जाहिस' हम ओहि लोकसबके मसीहमे विश्वास कर' मे मदतिक' सकी जे मूसाके व्यवस्था पालन नहि करैत अछि। मुदा, हम परमेश्वरके व्यवस्था पालन करैत छी, किएकत हम ओएह करैत छी जे मसीह आज्ञा देने छथि।22जखन हम ओहन लोकसबसंगे रहैत छी जे सही आ गलत एकदम्मे नहि जनैत अछि, हम एहन व्यवहार करैत छी जे हम सही आ गलतके एकदम्मे नहि समझति छी। हम एहि तरहें व्यवहार करैत छी जे लोकसब सही वा गलत एकदम्मे नहि जनैत अछि ओकरा मसीहमे विश्वास कर' मे मदतिक' सकी। जेना अहाँसब देख सकैत छी हम केहनो लोकसंगे रहैत छी त हम ओकरेसब जकां व्यवहार करैत छी एहिलेल जे सबकिछु द्वारा परमेश्वर काज क सकथि जे ओकरासबमेस किछु लोक उद्धार पाबि लैक।23अहाँसब देख सकैत छी जे हम एहिसबके जेहन व्यवहार करैत छी किएकत' हम चाहैत छी जे लोकसब सुसमाचारपर विश्वास करए। आ हम एना अहूलेल सहभागी छी परमेश्वर सुसमाचारमे हमरालेल रखने प्रतिज्ञा सेहो प्राप्त क' सकी।24निश्चय अहाँसब जनैत छी जे रंगशालामे दौड़मे बहुते धावकसब भाग लैत अछि, मुदा अन्तमे एकटा धावक मात्र इनाम जीतैत अछि। जं अहाँसब प्रभुके सेवा करैत छी, ई दौड़ जकां अछि। परमेश्वर जे प्रतिज्ञा कएने छथि से पाबएलेल अहाँसबके मेहनति करब जरुरी अछि, जेना धावक कोनो दौड़ जीतएलेल मेहनति करैत अछि।25सब धावक अपन सबकाज पर सावधानीपूर्वक नियन्त्रण रखैत अछि जाहिस' ओसब जीत सकए। ओसब नाश भ' जाएबला पत्ताके मुकुटलेल प्रतिस्पर्धा करैत अछि। मुदा, हमसब अपने स्वयंके नियन्त्रण करैत छी जे परमेश्वर हमरासबके देबएलेल प्रतिज्ञा कएने अविनाशी चीज पाबि सकी जे कहियो नाश नहि होएत।26एहिलेल, हम एकटा धावक जकां छी जे अपन अन्तिम लक्ष्य धरि दौड़ैत अछि। हम ओहि मुक्केबाज जकां छी जे अपन प्रतिद्वन्दीपर सटीक प्रहार करैत अछि।27हम अपन शरीरके पूरे नियन्त्रणमे रखैत छी आ एकरा अपन सेवा करा सकी। हम ई एहिलेल नहि करैत छी जे हम दोसरके सुसमाचार प्रचार करी आ अन्तमे परमेश्वर हमरे ने अयोग्य क' देथि।

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67