1 Corinthians10

1यौ विश्वासी भाइसब, आब, हम अहाँसबके मोन पाड़ए चाहैत छी जे, हमरासबके यहूदी पूर्वजसब परमेश्वरके आज्ञापालन कएलनि जं ओ मेघमे प्रगट भेलाह। ओसब लाल समुद्र दने गेलनि जं परमेश्वर ओकरासबलेल पानिमे सुखल रस्ता बनौलनि। 2ई ओकरासबके केओ बपतिस्मा देने जकां छल जाहिस' ओसब मूसाके भ' जाइक। ई तखन भेल जं ओसब मेघके पाछु चलल आ लाल समुद्र दने गुजरल।3परमेश्वरद्वारा देल गेल विशेष आत्मिक भोजन ओसब खएलक। 4ओसब परमेश्वरद्वारा देल गेल विशेष आत्मिक पानि पीबि लेलक। ई तखन भेल जं ओसब एकटा विशेष चट्टानस' बहल पानि पीबि लेलक जे परमेश्वरद्वारा देल गेल छल आ जे हुनका पाछु चलैत छल। ओ मसीहद्वारा देल गेल पानि जकां छल। 5मुदा, हमरासबके अधिकांश यहूदी पूर्वज परमेश्वरके प्रसन्न नहि कएलक अहाँसब ई सत्य रहैक से कहए' सकैत छी किएकत' ओसब निर्जन स्थानस' यात्रा करैत मरि गेल। 6ओकरासब संगे जे भेल, परमेश्वर अपनासबके चेतावनी दैत छथि जे दुष्ट अछि ओहिके छोड़ि दिऔ जे दुष्टकाजसब ओसब कएलक।7अहाँसब मूर्तिसबके पूजा नहि करु, जेना हमरासबके किछु यहूदी पूर्वजसब कएलक। किएकत मूसा लिखलथि, “इजराएलीसब खाए लागल पीबए लागल आ तब अनैतिक व्यभिचार जकां मूर्तिपूजकसब कएलक।” 8हमसब अनैतिक शारीरिक सम्बन्ध नहि बनाबी जेना हमर किछु पूर्वजसब कएने छल, आ ओहिके कारण एके दिनमे तइस हजार लोक मरि गेल। 9हमसब प्रभु मसीहके चुनौती नहि देबाक चाही, जेना हमरासबके किछु यहूदी पूर्वजसब कएने छलनि। एना कएलाके कारण सांपसब ओकरासबके मारि देलक। 10अहाँसब कुड़बुड़ाउ नहि, जेना किछु यहूदी पूर्वजसब कएने रहए। ओसब एना करबाक कारण एकटा भयंकर आत्मिक प्राणी ओकरासबके मारि देलक जे परमेश्वर पठौने रहथि।11जे बात हमरासबके पूर्वजसब अनुभव कएने छल से बतबैत अछि जे हमरासबके केहन व्यवहार करबाक चाही। वास्तवमे केओ ओकरासब संगे की भेल से लिख देलक जाहिस' हमसब ओहिस' सिख सकी, किएकत' हमहींसब छी जे एहि युगके अन्तके दिन सबके अनुभव क' रहल छी।12जेना ओ कथासबमे कहल गेल अछि, जे लोकसब ई सोंचैत अछि जे ओसब मसीहमे दृढ़तापूर्वक विश्वास करैत अछि, हुनकासबके ई सुनिश्चित करबाक चाही जे ओसब मसीहक अनुसरण करएमे असफल नहि होअए।13अहाँसबके परीक्षा करएबला बात आओर लोकसब अनुभव क' लेने अछि। परमेश्वर अहाँसबसंगे विश्वासयोग्य व्यवहार करताह। जाहि परीक्षाके अहाँसब नहि सहि सकब से अनुभव कर' नहि देताह। बल्कि, जं किछु अहाँसबके परीक्षामे पाड़त, त' ओ अहाँसबके विश्वासयोग्यतास' सामना कर' लेल जे चाही से ओ देताह। 14यौ प्रिय विश्वासी भाइसब जेकरास' हम प्रेम करैत छी एहिलेल ओकरा कहली जे जानि बुझिक' कहने छी जे दोसर देवतासबके पूजा करब छोड़ू।15हम एना एहिलेल बातक' रहल छी जे हमरा बुझाति अछि जे अहाँसब बुद्धिमान लोकसब छी। अहाँसब स्वयं निर्णय क' सकैत छी जे हम कहि रहल छी से सही अछि वा गलत।16जखन हमसब प्रभु भोजमे दाखरस पीबैत छी जाहिपर हमसब आशीष मांगैत छी, तखन हमसब स्वयंके मसीहके लेहूसंगे एक भ' जाइत छी। जखन हमसब ओहि रोटीके खाइत छी तखन हमसब मसीहके शरीरमे सहभागी भ' जाइत छी।17हमसब एकहि रोटी प्रभु भोजमे सहभागी होइत छी, आ ओहि एके रोटीके टुकड़ीसब हमसब एकसंग खाइत छी। हमसब ई काज एहिलेल करैत छी जे हमसब एकसंग जुड़ैत छी जेना हमसब एके शरीर छी।18इजराएलके लोकसबके उदाहरणके रुपमे लिअ। जे किछु भेटी चढ़बैत छल, ओसब अपन ओहि चढ़ौनामेस' किछु खाइत छल। एकर अर्थ अछि जे ओसब अपने स्वयंके वेदीसंगे सहभागी क' लैत छल, जत' पुजारी बांकी चढ़ौनाके परमेश्वरमे चढ़ा दैत छलनि।19एहिलेल, हम तर्क द' रहल छी, जे चढ़ाएल मासु केओ आन देवताके चढ़एने अछि आ आन देवता अपने ओ शक्तिशाली वा महत्वपूर्ण नहि अछि।20मुदा तथापि, अहाँसब जानए चाही जे जं ओसब जे परमेश्वरके आराधना नहि करैत अछि, ओसब दुष्टात्मासबके बलि चढ़बैत अछि, परमेश्वरके नहि। हम चाहैत छी जे अहाँसब दुष्टात्मासब संगे सहभागी होबएस' बंचि जाउ। 21अहाँसब ओहि दाखरसके जे प्रभुके अछि आ ओहि दाखरसके जे दुष्ट आत्मिक प्राणीसबके अछि दुनूके नहि पीबि सकैत छी। अहाँसब प्रभुके भोजन आ दुष्टात्मासबके भोजन दुनू खाएमे सहभागी नहि भ' सकैत छी। 22जे लोकसब ई दुनू काज करैत अछि, प्रभु ओकरासबके विरुद्ध क्रोधित भ' काज करत से अपेक्षा ओकरासबके करबाक चाही। आ हमसब निश्चय हुनकास' कम शक्तिशाली छी। 23अहाँसबमेस' किछुगोटे कहैत छी, “हमरासबके किछु करबाक अधिकार अछि आ किछु करब, त हमसब दोषी नहि होएब।” मुदा, हम कहैत छी जे सब बात केकरो निमने करएबला नहि होइत अछि। फेरु अहाँसबमेस' केओ कहबनि, “हमसब किछु क' सकैत छी आ दोषी नहि होएब।” मुदा, हम कहैत छी जे किछु बात अहाँसब बढ़एमे सहयोग नहि करत।24अपनेलेल की उत्तम अछि ओहिलेल कड़ा मेहनति नहि करु। मुदा दोसरोलेल जे उत्तम अछि ओहिके लेल कड़ा परिश्रम करु।25अहाँसब बजारस' किनक' लएने कोनो भोजन खा सकैत छी। अहाँसबके विवेकके कारण ई जानएके जरुरी नहि अछि जे ई कतस' आएल अछि जे अहाँसब जांचि सकी जे ई खाएलेल उत्तम अछि की नहि।26अहाँसब एनाक' सकैत छी किएकत' दाऊद लिखलथि, “पृथ्वी आ ओहिस' जुड़ल सबकिछु प्रभुके अछि।” 27कहियो जे विश्वास नहि करैत अछि से अहाँके खाएलेल नौता दैत अछि त अहाँ जांचि सकैत छी। जं एना होइत अछि त' अहाँके आगु राखल गेल भोजन खा सकैत छी। ई कतस आएल से विवेकके कारण अहाँ खोज खबरि करबाक आवश्यक नहि अछि जे अहाँ जानि सकी जे ई अहाँके खाएलेल उचित अछि वा नहि।28मुदा, कोनो आदमी अहाँके कहि दए जे ई भोजन आन देवताके चढ़ाएल अछि। एहि स्थितिमे, ओ भोजन नहि खाएके चाही। अहाँके बतौनिहारके फायदाके लेल भोजनके विषयमे बतौने छल आ ओकरा विवेकके खातिर एहन व्यवहार करब जे अहाँ जनैत छी की सही आ की गलत अछि।29“ठीक आ गलत की अछि” से अहाँके विवेक नहि बल्कि जे अहाँके कहलक से, नहि की अहाँ की जनैत छी। सरल भाषामे कहि त', जे ई नहि होबए दिऔ दोसर लोक ठीक वा गलत की बुझति अछि हमरा ओहि काजस' नहि रोकए जे हम करएमे सक्षम छी।30जाधरि कोनो भोजनमे सहभागी होइत काल परमेश्वरके धन्यवादी रहब ताधरि केओ हमरापर कोनो एहन अपमानके बात नहि बजबाक चाही जेकरालेल हम परमेश्वरके धन्यवाद देने छी।31संक्षेपमे, जखन-कखनो अहाँसब किछु खाइत आ पीबैत छी, आ वास्तवमे जे किछु करैत छी, अहाँसबके एहन व्यवहार कर' चाही जे अहाँ आ दोसरो लोक परमेश्वरके आदर करए।32यहूदी लोक, गैर-यहूदी लोक आ संगी परमेश्वरके मण्डलीसबके मसीहपर भरोसा करएलेल निरुत्साह करएबला व्यवहार नहि करु।33ई कोना करबाक चाही से हम अपन उदाहरण देब चाहैत छी। हम सदिखन एहन व्यवहार करैत छी जे हमर लगपासक सबगोटे स्वीकार करैत अछि। हम अपन फायदाके लेल नहि मुदा दोसरोके फायदाके लेल बेसी परिश्रम करैत छी। हम एना एहिलेल करैत छी जे परमेश्वर ओकरासबके उद्धार करथि।

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67