1 Corinthians8
1आब हम ओहि विषयमे बात कर' जा रहल छी जे केओ आन देवताके चढ़ाएल मासु होइक। हमसब जतेक गोटे विश्वास करैत छी से सब केओ जनैत छी जे आन देवतासबके विषयमे सत्य की अछि। मुदा तथापि, लोकसबके सत्य बात जनलास' घमण्डी बना देत अछि। दोसरस' प्रेम करब जे वास्तवमे दोसर विश्वासीके मदति करैत अछि।2जेकरा बुझाति अछि ओ सबकिछु जनैत अछि ओकरासबके जाहि तरहें बुझबाक चाही तेना नहि बुझने अछि।3मुदा तथापि, परमेश्वर ओकरासबके बुझति छथि आ चिन्ता करैत छथि जे सब हुनकास' प्रेम करैत अछि।4आब हम ई कहए' जाइछी जे दोसर देवताके चढ़ाएल मासु खाए चाही की नहि। हमसब जे परमेश्वरमे विश्वास करैत छी से सब बुझति छी जे आन देवतासब वास्तवमे जगतके अस्तित्वमे नहि अछि। वास्तवमे, एकमात्र ईश्वर परमेश्वरे छथि। 5ई बात सत्य अछि जे स्वर्ग आ पृथ्वीपर बहुते एहन चीजसब अछि जाहिके लोकसब “देवसब” कहैत अछि। एहि प्रकारके, बहुते “देवतासब” वा “प्रभुसब” अस्तित्वमे अछि।6मुदा, हमसब जे विश्वास करैत छी से एक परमेश्वर जे पिता छथि जनैत छी। ओ सबकिछु सृष्टि कएलथि, आ हमसब हुनकर आदरके लेल अस्तित्वमे छी। हमसब एक प्रभुके जनैत छी, जे छथि यीशु मसीह। ओ पितासंगे सब किछुके सृष्टि कएलथि, आ ओ जे किछु करैत छथि ओहिस' हमसब अस्तित्वमे अछि। 7मुदा, किछु लोकसब नीकस' नहि बुझि सकैत जे हम की कहने छी। ओसब अतीतमे आन देवतासबके पूजा करैत रहए, की सही आ की गलत एकदम्मे नहि बुझति छलनि। जं ओसब कोनो आन देवतापर चढ़ाएल मासु खाइत अछि त' ओकर विवेक कमजोर भेलास' ओकरासबके विवेक अशुद्ध महसूस होइत अछि।8आब भोजन हमरासबके परमेश्वरस' नहि जोड़ैत अछि। जे केओ निश्चित भोजन नहि खाइत अछि त' ओ परमेश्वरस' आबएबला किछु नहि गमबैत अछि। इहो, जे लोक निश्चित भोजन खाइत अछि ओसब परमेश्वरस' किछु बेसी नहि पबैत अछि।9तथापि, जं अहाँसबके होसियार होए पड़त जे अहाँसब कोना जीवन जीबैत छी यदि अहाँसब बुझब जे ओ भोजन महत्वपूर्ण नहि अछि। अहाँसबके जिअएके अधिकार अछि से ओकरासबके यीशुके अनुसरण कर' मे संघर्ष करबाक कारण नहि बनएके चाही जेकरासबके पूर्णरुपस की ठीक आ की गलत अछि से समझ नहि अछि।10अहाँसबके सावधान रहबाक चाही किएकत' अहाँसबके संगी विश्वासीसब ओहि विश्वासीके जेकरा सत्य की अछि से जनैत होइक से विवेकमे देख सकैत अछि जे ओ आन देवताके मन्दिरमे चढ़ाएल मासु खाएलेल बैसल अछि। ओ विश्वासीसब जे की ठीक वा बेठीक नीकस' नहि जनैत अछि ओहोसब आन देवताके चढ़ाएल मासु खाएलेल आश्वस्त भ' सकैत अछि।11फलस्वरुप, आन देवतासबके विषयमे जे सत्य अहाँसब जनैत छी ओहिके आधारमे अहाँसब ओकरासबके हानि करबनि जे पूर्णरुपस' सही वा गलत की अछि से नहि जनैत अछि। ईसब संगी विश्वासीसब अछि आ मसीह हुनको लेल मारल गेल छथि।12जं अहाँसब एहन व्यवहार करैत छी, त' अहाँसब अपन संगी विश्वासीसबके जे लोकसब सही आ गलत एकदम्मे नहि जनैत अछि ओकरासबके निर्बल विवेकमे जे गलत अछि से करएमे अगुवाइ कराक' अहाँसब ओकरासबके विरुद्ध पाप करैत छी। आ जं अहाँसब एना करैत छी त' अहाँसब मसीहके विरुद्धमे सेहो पाप करैत छी।13एहिलेल, हम जे खाइत छी यदि ओ कोनो संगी-विश्वासीके पाप कराबए, त हम मासु फेरु कहियो नहि खाएब ओहिके केओ आन देवतापर चढ़एने होइक वा नहि। एनाक' हम कोनो संगी विश्वासीसबस' पाप नहि करबाएब।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.