1 Corinthians7

1हमरास' जे अहाँसब पुछने रही, अहाँसब पत्रमे लिखने रही जे लोकके शारीरिक सम्बन्ध बनाएब उचित अछि। 2दोसर दिस, लोकसब शारीरिक सम्बन्ध अधिकांश बनाबए चाहैत अछि, अनैतिक ढंगस' सेहो सम्बन्ध बनाबए चाहैत अछि। एहि कारणे, पति अपन पत्नीसंगे विवाहिते रहौक आ पत्नी सेहो अपने पति संग विवाहित रहैक।3पतिसब अपन पत्नीसबके विवाहके हक दैत रहैक। ओहिना पत्नीसब सेहो अपन अपन पतिसबके विवाहके हक दैत रहैक।4पत्नीके शरीर ओकर अधिकारमे नहि, मुदा ओकर पतिके अछि। ओहिना पतिके शरीर ओकर नहि, पत्नीके होइत अछि।5अहाँसबके तखने वैवाहिक हक स' अलग रहबाक चाही जखन अहाँ दुनूगोटे किछु समयके लेल एहिपर सहमत भ' जाएब। अहाँसबके ई तखने करबाक चाही जखन अहाँसब परमेश्वरसंगे प्रार्थना करएलेल ध्यान देब' चाहैत छी, आ लगले अहाँसबके जौर भ' जएबाक चाही। यदि शीघ्र एना नहि करब त' अहाँसबके गलत काज करएलेल परीक्षामे उकसाब' लेल अहाँसबके शारीरिक सम्बन्ध बनाबएके इच्छाके शैतान उपयोग करत।6हम अहाँसबके ई आदेश नहि दैत छी प्रार्थनामे ध्यान देब' लेल वैवाहिक हकके रोकि दिऔ। बल्कि हम त' अहाँसबके अनुमति दैत छी जे एना करु।7यदि जं बात हमरेपर रहितैक, त सब लोक हमरे जकां होएतै आ अविवाहिते रहितैक। तथापि, परमेश्वर प्रत्येक पुरुष स्त्रीके अपन जीवन जिअएके वरदान दैत छथि। किछु लोक एक तरहें त' किछु लोक दोसर प्रकारस' जीवन जीवित अछि।8हम ओकरास' बतिआ रहल छी जे विवाहित नहि अछि आ जेकर पति मरि गेल होइक। एहन लोकसब अविवाहिते रहि जाएत' बड्ड नीक जेना हम छी।9मुदा, किछु लोक शारीरिक सम्बन्ध करएबला इच्छाके नियन्त्रणमे राखएमे संघर्ष करत। एहन लोकसब विवाह क' लेथि, किएकत' कामवासनाके इच्छामे सदैव रहलास' ओकरासबके लेल ई नीक उपाय भ' सकैत अछि।10एत हम ओ बात बाजि रहल छी जे प्रभु स्वयं विवाहित लोकसबस' कहलथि। हमहूं चाहैत छी जे पत्नीसब अपन अपन पतिसबके संग रहए।11आब जखन ओसब अपन पतिसबके संग मिलापमे नहि रहैत अछि, त' ओसब फेरु दोसर विवाह नहि करए आ अपन अपन पतिसब लग चलि अएबाक चाही। आ, पतिसबके सेहो अपन अपन पत्नीसबके संग रहबाक चाही।12आब अहाँसब जेकर पत्नी वा पति विश्वासी नहि अछि, प्रभु एहि विषयमे नहि बजने छथि, एहिलेल हम जे कहि रहल छी से हमर आज्ञा अछि। किछु संगी विश्वासीसबके पत्नीसब अविश्वासी अछि, आ ओकर पत्नीसब अपन विश्वासी पतिके संग रहए चाहैत अछि। एहि अवस्थामे ओहि पतिसबके अपन पत्नीसबके संग रहबाक चाही।13एहन किछु विश्वासी स्त्रीसबके पतिसब अविश्वासी अछि, आ ओ पतिसब अपन विश्वासी पत्नीसबके संग रहए चाहैत अछि। एहि अवस्थामे ओहि पत्नीसबके अपन अपन पतिसबके संग रहबाक चाही।14अहाँसबके अपन अविश्वासी पति आ पत्नीसंग एहिलेल रहबाक चाही किएकत' परमेश्वर अविश्वासी पतिके विश्वासी स्त्रीलेल पवित्र जीवनसाथी मानैत छथि। तहिना परमेश्वर अविश्वासी पत्नीके विश्वासी पतिलेल पवित्र जीवनसाथी मानैत छथि। एहि कारणे परमेश्वर एहि अवस्थामे बच्चासबके संग ओहिना व्यवहार करैत छथि जाहि बच्चासबके माय-बाबू दुनू विश्वासी अछि। यदि हम जे कहलिएनि से सत्य नहि रहितै, त' एहि अवस्थामे परमेश्वर ओहि बच्चासब संग ओहिना व्यवहार करतथि जेना ओ अविश्वासी माय-बाबूके अशुद्ध बच्चासब संग व्यवहार करैत छथि।15दोसर दिस, किछु अविश्वासी पति आ पत्नी अपन विश्वासी जीवनसाथीके छोड़ि देब चाहैत होअए। एहि अवस्थामे, विश्वासी जीवनसाथीके बन्हनमे नहि अछि आ ओकरासबके छोड़एके अनुमति द' देबएके चाही। विश्वासी भाइ वा विश्वासी बहिनके अपन अविश्वासी पति वा पत्नीके साथ रहब जरुरी नहि अछि। परमेश्वर चाहैत छथि जे हरेक परिस्थितिमे हमसब शान्ति प्रिय मनुष्य बनी।16अहाँसब अविश्वासी पति वा पत्नीके एहिलेल जाए दिऔ जे कोनो पत्नीके ई नहि बुझल अछि जे ओ अपन पतिके उद्धारमे मदतिक' सकैत अछि वा नहि। कोनो पतिके ई नहि बुझल अछि जे ओ अपन पत्नीके उद्धार पावएमे मदतिक' सकैत अछि वा नहि।17सामान्य रुपस', सबलोक ओहि प्रकारस' व्यवहार करए जरुरी अछि जाहिके लेल प्रभु ओकरा जिम्मेवारी देने छथि आ जाहि प्रकारस' परमेश्वर ओकरास' व्यवहारके इच्छा रखैत छथि। हम चाहैत छी जे जाहि मण्डलीसबमे हम भेट कर' आबएबला छी ओहिमे एहि शिक्षाके पालन होअए।18किछु एहनो लोकसब अछि जे यीशुपर विश्वास करएस' पहिने दोसर लोक ओकरा खतना कएने रहए। एहन लोकसब फेरुस' बेखतनाबला नहि बनैक। आओर एहन लोकसब अछि जेकरा यीशुपर विश्वास करएस' पहिने दोसरद्वारा खतना नहि कएल गेल रहए। एहन लोकसबके सेहो खतना करएके कोशिस नहि करबाक चाही।19परमेश्वरके लेल खतना आ बेखतना सब बरोबरि अछि। दोसर दिस, जे परमेश्वर आदेश दैत छथि से करब अपनासबके हितमे अछि।20सब लोकके परमेश्वर ओकरासबके परिवर्तन कर' स' ओसब पहिनेके' रहल सामान्य काजसबके निष्ठापूर्वक क' क' परमेश्वरके सेवा करबाक चाही।21किछु लोकसब जं यीशुपर विश्वास कएलक त' दास रहए। एकरासबके दास होबएबला बातपर चिन्ता नहि करबाक चाही। दोसर दिस, ओकरासबके स्वतन्त्र होएबाक अवसरके उपयोग करबाक चाही।22अपन सामाजिक अवस्थाके चिन्ता नहि करु, किएकत' प्रभु आब ओहि मनुष्यसबके स्वतन्त्र मनुष्य मानैत छथि जे हुनकापर विश्वास करैत काल दास छलनि। मसीहपर विश्वास करैत काल स्वतन्त्र मनुष्यसब आब ओसब हुनकर दास अछि।23जं यीशु अहाँसबके लेल मरलाह, त ई एना अछि जे परमेश्वर अहाँसबके किनलेल मोल चुका देलथिन एहिलेल अहाँसब कोनो मनुष्यके सेवक नहि मुदा एक मात्रे परमेश्वरके सेवा करबाक चाही।24यौ विश्वासी भाइसब, सबकेओके निष्ठापूर्वक परमेश्वरके सेवा करबाक चाही, जे सामान्य काज ओसब पहिनेस' क' रहल छल जहिया परमेश्वर ओकरासबके जीवन बदलने रहथि।25आब हम ओहि लोकसबके बात करब जे सब विवाह नहि कएने अछि। एहि विषयपर, हमरालग एहन कोनो बात नहि अछि जे प्रभु अहाँसबके कहबाकलेल कहने छथि। मुदा, हम अहाँसबके ओएह कहब जे हमरा बेसी नीक बुझाति अछि। किएकत' परमेश्वर हमरा एकटा विश्वासयोग्य शिक्षक बनाक' हमरापर दया कएने छथि।26हमर सुझाव अछि लोकसब एखन केहन अछि ताहिमे बदलाव नहि करबाक चाही। किएकत' लगले भयावह बातसब आबएबला अछि।27किछु लोकके छेका पड़ि गेल अछि। ओसब अलग नहि होइक। आओर लोकसबके छेका नहि पड़ल अछि। ओसब छेका करबाक प्रयास नहि करबाक चाही।28मुदा, कुमार पुरुष वा कुमारि स्त्री विवाह करए त' ओ पाप नहि अछि। हम अहाँसबके विवाह नहि करु एहिलेल कहैत छी जे विवाह करएबलाके ई जीवन व्यतीत करैत काल बहुते शारीरिक कठिनाइसबके सामना करए पड़त।29यौ विश्वासी भाइसब, हम एकटा महत्वपूर्ण बात कहए' जा रहल छी। अन्तके समय बेसी दूर नहि अछि। एहिलेल, तखनधरि, प्रत्येक मनुष्यके अविवाहिते जकां जीवन जिअएके चाही।30प्रत्येक मनुष्य जे कनैत अछि ओकरा नहि कानएबला जकां जीवन जिबाक चाही। प्रत्येक मनुष्य जे खुश अछि ओकरा जे खुश नहि अछि तेकरा जकां जीवन जिबाक चाही। प्रत्येक मनुष्य जेकरास किछु अछि ओकरा अभावमे रहल व्यक्ति जकां जिबाक चाही।31प्रत्येक मनुष्य जे संसारके वस्तुसबके उपयोग करैत अछि, ओकरा ओहिना जीवन जिअएके चाही जे ओहि वस्तुसबके उपयोग नहि करैत अछि। किएकत' परमेश्वर जल्दिए काज करएबला सांसारिक तरीकासबके बदलि देताह।32हम चाहैत छी जे अहाँसब किछु बातसबके चिन्ता करु। अविवाहित लोकसब एहि बातके सोंचमे रहए जे ओसब प्रभुके सेवाके लेल की क' सकैत अछि।33दोसर दिस, विवाहित लोकसबके संसारक बातके चिन्ता लागल रहैत अछि, खास क' क' जे ओ अपन पत्नीसबके कोना सेवा क' सकैत अछि। एहि कारणस', ओसब प्रभुके सेवा आ पत्नीसबके सेवा दूटा बातके चिन्ता करैत अछि। अविवाहित स्त्रीसब आ जे स्त्रीसब कहियो विवाह नहि कएलीह34एहि बातके विचार करैत अछि जे कुमारिसब प्रभुके सेवा कोनाक' सकैत अछि। ओकरासबके लक्ष्य देह आ आत्मामे पवित्र बनएके अछि। दोसर दिस, विवाहित स्त्रीसबके संसारक बातके चिन्ता होइत अछि, खास क' क' जे ओ अपन पतिसबके कोना खुश क' सकैत अछि।35अहाँसबके लेल मदति होअए एहिलेल हम अहाँसबके ई बातसब कहने छी। हम अहाँसबके एक तरहें व्यवहार करएलेल बाध्य नहि करए चाहैत छी। बल्कि, हम चाहैत छी जे अहाँसब सम्मानपूर्वक व्यवहार करु आ प्रभुके सेवा नीकस' आ ध्यानस' करु।36किछु विषयमे, केओ छेका पड़ल मनुष्य ई सोंचत जे हम ओहि मंगेतरसंगे शारीरिक सम्बन्धके लेल अनुचित तरीका अपना सकैत अछि। आ ओकरा मंगेतर सेहो ओहिके लेल तैयारे अछि। एहन परिस्थितिमे, एना करबाक चाही: ओहि आदमीके अपन मंगेतरसंगे विवाह क' लेब' चाही। ओ एना करत त ई पाप नहि अछि, ओ दुनूगोटे विवाह क' लेथि। 37मुदा दोसर मामिलामे, एकटा कुमारि संगे विवाह निश्चित कएने पुरुष निर्णय क' लेने अछि जे ओकरा कोनो व्यक्ति वा कोनो वस्तु विवाह कर' लेल बाध्य नहि क' सकैत अछि। यदि ओ अपन वासना इच्छाके नियन्त्रण क' सकैत अछि आ अपना मनमे विचारि लेने अछि जे हम विवाह नहि करब। ओ अपन मंगेतरसंगे विवाह नहि करएके चुनि सकैत अछि।38अन्तमे, जं कोनो पुरुष छेका देने कुमारि लड़कीस' विवाह करैत अछि, त ओ नीके काज करैत अछि आ जे पुरुष छेका देने लड़कीस' विवाह नहि करैत अछि त' ओ बड्ड नीक काज करैत अछि।39पतिसबके जीवन जीविते रहए धरि पत्नीसबके अपन अपन पतिसब प्रति निष्ठावान रहबाक चाही। ओकरासबके मरलाक बाद, ओ प्रभुके कोनो विश्वासी पुरुषसंगे विवाह कर' चाहैत' विवाह सकैत अछि।40मुदा तथापि, हमरा बुझाइए जे कोनो स्त्री जेकर पति मरि गेल होइक त' जं ओ दोसर विवाह नहि करए त' बेसी धन्य रहत। ई हमर विचार अछि, हमरा ई बुझाइए जे परमेश्वरके आत्मा हमराद्वारा बजैत छथि।

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67