1 Corinthians6

1जं अहाँसबके समूहमेस' केओ अहींसबके समूहके दोसर विश्वासीसंगे झगड़ा करैत अछि, त' अहाँसबके कहियो सार्वजनिक अदालतमे ओहि अविश्वासी लोकसबके आगु झगड़ा सल्टियाएब जे सब विश्वास नहि करैत अछि। बल्कि ओहि झगड़ाके निर्णय अहाँसबके ओहि लोकसबके बीचमे करबाक चाही जेकरासबके परमेश्वर अपनेलेल अलग कएने छथि।2निश्चितरुपस' अहाँसब जनैत छी जे ओहि जगतके लोकसब जेकरा परमेश्वर अपनेलेल अलग कएने छथि ओएहसब ई मुद्दा फैसला करत जे परमेश्वरद्वारा बनाओल गेलसब वस्तु आ लोक दोषी अछि आ निर्दोष। किएकत' अहींसब निर्धारण करब जे ईसब वस्तु आ लोक दोषी अछि वा निर्दोष, त' निश्चय अहाँसब अपना समूहके छोट-मोट झगड़ाके निपटारा क' सकैत छी। 3अहाँसबके ई बुझबाक जरुरी अछि जे हमहीं सब ई तय करब जे स्वर्गदूतसब निर्दोष अछि वा दोषी। हमसब ओना करब एहिलेल, हमसब अपन वर्तमान जीवनस' सम्बन्धित विवादके समाधान कर' मे निश्चितरुपस' सक्षम छी।4एहिलेल, जखन-कखनो अहाँसब अपन वर्तमान जीवनके सम्बन्धमे एक दोसरास' झगड़ा करैत छी, त' मुद्दा फैसला करबाक लेल अहाँसबके एहन लोकके नहि चुनबाक चाही जे अहाँसबके मण्डली समूहके विश्वासी नहि अछि जे ई निर्णय करए जे के दोषी आ के निर्दोष अछि।5हम एखन जे कहली से एहिलेल जे अहाँसबके लाज लागए। निश्चितरुपस अहाँसबके बीचमे एहन लोकसब अछि जे एतेक बुद्धिमान अछि जे संगी-विश्वासी बीचके विवाद फैसला करएलेल सक्षम अछि।6मुदा एहिके उनटा, अहाँसबमेस' किछु विश्वासीसब अछि जे दोसर विश्वासीके अदालतमे मुकदमा देने छिऐ, आ जे लोक विश्वासी नहि अछि से विवादके निपटारा करैत अछि।7किएकत' अहाँसबके आपसमे विवाद अछि, एहिलेल अहाँसब पहिनेस' यीशुके आज्ञापालन करएमे पूर्णरुपस' असफल भ' गेल छी। मुदा एहि तरहें असफल होएबाक बदला, अहाँसबके संगी-विश्वासीके क्षमा करबाक चाही जखन ओ अहाँके हानि पहुंचाबए वा ठकैत होइक।8मुदा दोसरके क्षमा करएके बदला, अहाँसब दोसरोके नोक्सान पहुंचओने छी आ ओकरा ठकने छी। वास्तवमे, अहाँसब ई काजसब संगी विश्वासीसबसंगे कएलिऐ!9हम त' थकमका गेली जखन हम ई बात जे अहाँसबहक ई काजसब करैत छी से सुनली, अहाँसब नीकस' जनैत छी जे लोक दोसरके नोक्सान पहुंचबैत अछि ओ परमेश्वरके राज्यमे सहभागी नहि होएत। दोसर लोकसब किछु आओर कहत ओहिपर विश्वास नहि करु। कोनो अधर्मी आदमी जे व्यभिचारमे मगन अछि वा जे केओ मूर्तिपूजक अछि वा जे केओ दोसरसंगे विवाह कएने स्त्री वा पुरुषसंगे शारीरिक सम्बन्धमे अछि वा जे केओ पुरुष पुरुषेके संग आ स्त्री स्त्रीएके संग वेश्या जकां शारीरिक सम्बन्ध बनाबए' मे भाग लैत अछि10वा जे केओ दोसरके समान चोरबैत अछि आ जे केओ आवश्यकतास' बेसी चाह करैत अछि आ जे पीबिक' माति जाइत अछि वा जे केओ दोसरके गारि पढ़ैत अछि वा जे केओ दोसरके ठकैत अछि, ओहन लोकसब परमेश्वरके राज्यमे सहभागी नहि होएत।11अहाँमेस' किछु लोकसब एहि प्रकारके व्यवहार करैत रही। ओना आब, परमेश्वर अहाँसबके शुद्ध आ पवित्र क' देने छथि, आ अहाँसबके निर्दोष ठहरौने छथि। अहाँ ई बातसबके अनुभव एहिलेल करैत छी किएकत' ई बातसब अहाँसबके देब' लेल प्रभु यीशु मसीहके नामस' आ पवित्र आत्मा सामर्थीढंगस' काज करैत छथि।12अहाँसबमेस' केओ कहि सकैत छी, “हमरा किछु कहबाक अधिकार अछि आ हम दोषी नहि ठहराओल जाएब।” ओना, हम ई कहैत छी जे किछु बातसब केकरोलेल हितकर नहि होइत अछि। फेरु अहाँसबमेस' केओ कहबनि, “हम किछु क' सकैत छी आ हम दोषी नहि ठहराओल जाएब।” अहाँसबके हम ई फेरु कहैत छी जे हम कोनो एहन चीजके सेवा नहि करब जे हमरा अपन दास बना लए।13अहाँसबमेस' किछुगोटे कहैत छी, “भोजन लोकके पेटके लेल होइत अछि, आ लोकके पेट भोजनके लेल होइत अछि।” मुदा, हम कहैत छी जे परमेश्वर भोजन आ पेट दुनूके तुच्छ बना देताह। सत्य त' ई अछि जे भोजन मनुष्यके पेटके लेल होइत अछि, मनुष्यके शरीर कोनो व्यक्तिके लेल नहि अस्तित्वमे अछि जे ओ ओहिके साथ व्यभिचार करए। मुदा एहिलेल, मनुष्यके शरीर प्रभुके सेवा करएलेल अछि, आ प्रभु मनुष्यके शरीरके लेल उद्धारके काज कएने छथि।14वास्तवमे, परमेश्वर फेरुस' प्रभुके मरलमेस' जीवित कएलखिन, आ ओ अपनोसबके फेरुस' जीवित करएलेल सामर्थीढंगस' काज करतथि।15निश्चय अहाँसब जनैत छी जे अहाँसबके शरीर मसीहके अछि, जेना अहाँसब हुनकर शरीरके अंग छिऐ। तएं, अहाँसब अपन शरीर ल' क' फेरु कोनो वेश्याके नहि दिऔ, जे अहाँसबके शरीर ओकर बनि जाए, जेना अहाँसब ओकर शरीरके अंग रहिऐ। एहन काज कहियो नहि करु!16अहाँसब अवश्य जनैत छी जे कोनो पुरुष कोनो वेश्यासंगे सम्बन्ध बनबैत अछि, ओ पुरुष ओकरासंगे एतेक ने घनिष्ट भ' जाइत अछि जेना दुनूके एके शरीर होअए। अहाँसबके ई बुझबाक चाही कारण पवित्र शास्त्रमे लिखल अछि, “पुरुष आ स्त्री दूगोटे, एक व्यक्ति जकां भ' जाएत।”  17ओहिना जे केओ प्रभुके संग जुटि जाइत अछि, ओ आत्मिकरुपस' प्रभुसंगे एक भ' जाइत अछि।18जानि बुझिक' अनैतिक शारीरिक सम्बन्धस' दूर रहू। जं लोकसब पाप करैत अछि त' ओ प्राय अपन शरीरके सोझे हानि पहुंचएने बिना करैत अछि। मुदा, जं केओ केकरोसंग अनैतिक शारीरिक सम्बन्ध रखैत अछि, त' ओ अपने शरीरके हानि पहुंचबैत अछि।19निश्चय अहाँसब जनैत छी जे परमेश्वर अहाँसबके पवित्र आत्मा देने छथि। एहिलेल, अहाँसबके शरीर पवित्र आत्माके मन्दिर जकां अछि, किएकत' ओ स्वयंके अहाँसबके संग एक कएने छथि जेना कोनो ईश्वर स्वयंके अपन मन्दिरमे एक कएने रहैत अछि। एहिदुआरे, अहाँसब स्वयंके नहि छी।20मुदा, अहाँसब एहिलेल परमेश्वरके छी, किएकत' मसीह अहाँसबके लेल मारल गेलथि। जखन ओ अहाँसबके लेल मारल गेलाह, त' ई एना भेल जे मानू परमेश्वरद्वारा अहाँसब मोल द' क' किनल गेल छी। किएकत' अहाँसब परमेश्वरके छी, एहिलेल जं अहाँसब अपन शरीरस' किछु करैत छी त' अहाँसबके परमेश्वरके आदर करबाक चाही।

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67