1 Corinthians5
1हमरा जानकारी भेल जे सांच्चे अहाँसब अपना समूहके लोकसबमे व्यभिचार करएके अनुमति द' रहल छिऐ। जे सत्य परमेश्वरके आराधना नहि करएबला आन जाति सेहो एहिके अनुमति नहि दैत अछि। सबस' खराब बात जे हमरा सुनए' मे आएल जे अहाँसबमेस' केओ अपन सतवा मायसंगे रहि रहल अछि। 2एहिके बादो, ओहि पापपर विलाप करए बदला अहाँसब एखनो अपना विषयमे नमहर नमहर बात करैत छी। अहाँसब एहन व्यभिचारबला पापके लेल ओकरा निकालि देब' के मनसायस' विलाप कएने रहिती।3अहाँसबके ओकरा निकालि देबएके चाही किएकत' हम पहिनहि ओकरा दोषी करारक' देने छी जे केओ एहन दुष्टकाज कएने अछि। मुदा हम शरीरमे अहाँसबलग नहि रहितो हम आत्मामे अहाँसबके विषयमे सोंचि रहल छी आ चिन्ता करैत छी। एहिलेल, जं हम ओहि आदमीके दोषी ठहरा देने छिऐ त' ओहिना मान्य अछि जेना हम अहाँसबके संग रहिती।4जं अहाँसब एकठाम उपस्थित होइत छी, आ हम आत्मामे अहाँसबके विषयमे सोंचि रहल छी, अपनासब प्रभु यीशु मसीहके प्रतिनिधित्व करैत छी। जं अहाँसब एहि तरहें उपस्थित होइत छी, त' ओहि आदमीके सजाय देबहीटा पड़त जेना करएलेल अपनासबके प्रभु यीशुके नामके अधिकार अहाँसबके देने छथि।5अहाँसब ओहि लोकके निकालि दिऔ जे ओकरापर शैतान शासन करए। जे ओकर पाप स्वभावके नाश क' दैक, आ जहिया प्रभु अओताह त' ओकरा आत्मा बचालैथि।6अपने स्वयंके विषयमे नमहर नमहर बात कएनाइ नीक नहि अछि। अहाँसब निश्चय जनैत छी जे दुष्टकाज करएबला आदमी खमीर सानल आंटा जकां होइत अछि। कनिको खमीर मिझाराओल आंटा सानल सौंसे आंटाके फुला दैत अछि, आ एकोटा आदमी दुष्टकाज कएलक त' सारा मण्डलीके दोषी बना दैत अछि।7जहिना यहूदीसब अपन घरस' खमीरके फसह पर्वमे निकालि दैत छलनि, तहिना अहूंसबके अपन मण्डलीमे जे केओ दुष्टकाज करैत अछि तेकरा निकालि देबाक चाही। तब, अहाँसब पापस' मुक्त भ' जाएब, जेना टटका, बिना खमीरके आंटा खमीरस' मुक्त होइत अछि। वास्तवमे, अहाँसब एहन समयमे जीबि रहल छी जे फसहके पर्व जकां अछि। ई एहिलेल जे मसीह अहाँसबके लेल मारल गेलाह, ओहिना जेना फसहके पर्वमे यहूदीसब जाहि भेंड़ाके बलि दैत छलनि से ई देखबैत छल जे परमेश्वर ओकरासबके कोना उद्धार कएलखिन।8किएकत' मसीह अपनासबके लेल मरि गेल छथि, आउ, हमसब एना व्यवहार करी जेना हमसब फसहके पर्वमे भाग ल' रहल छी आ पुरना खमीरके हटा दी। अपनासबके खमीरस' छुटकारा मिलए चाही, जे कुकर्म आ दुष्टताके देखबैत अछि। बल्कि हमरासबके अखमीरी रोटी खाए चाही, जे इमानदारी आ सत्य काज करबके देखबैत अछि।9एहिस' पहिनुका पत्रमे जे हम अहाँसबके पहिने पठओने रही, हम अहाँसबस' कहने रही जे व्यभिचार करएबला लोकसबसंगे संगति नहि राखू।10हमर कहबाक अर्थ ई नहि रहए जे अहाँसब संसारके अविश्वासीसबसंगे एकदम्मे संगति छोड़ि दिऔ जे व्यभिचारी अछि, वा एहन लोकसब जे आवश्यकतास' बेसी लेब चाहैत अछि वा जे दोसरके ठकैत अछि, वा जे लोकसब मूर्तिपूजक अछि। एहन लोकसबस' बचएलेल पूरा दुनियांस' निकलि जएबाक चाही। हम अहाँसबके ई करएलेल आज्ञा नहि देने रही।11आब, एहि पत्रमे, हम अहाँसबके कहि रहल छी जे अहाँसब ओकरा विश्वासी कहैत छी मुदा ओ पापी व्यवहार करैत अछि तेकरा संगे खाए पिबएमे सहभागी नहि होउ। पापी व्यवहारमे व्यभिचार, आवश्यकतास' बेसी चाह करब, मूर्तिपूजक, दोसर गारि पड़हब, निसामे मातल रहब आ दोसरके ठकनाइ अछि। जे एहिमेस' कोनो काज करैत अछि ओकरासंगे भोजन धरि नहि करु।12हम चाहैत छी जे अहाँसब विश्वासीसबसंगे मात्र एहन व्यवहार करु, किएकत' अहाँसब आ हमरा ई निर्धारण करबाक जरुरी नहि अछि जे केओ जे अपनासबके मण्डलीस' बाहरके लोक अछि, ओ दोषी अछि वा निर्दोष। मुदा अहाँसबके ई तय कर' पर ध्यान देब' के जरुरी अछि जे लोक अहाँसबके मण्डलीके सदस्य अछि ओ दोषी अछि वा निर्दोष।13ओहि लोकके चिन्ता नहि करु जे अहाँसबके मण्डलीके बाहरके अछि किएकत' ओ परमेश्वरे छथि जे तय करैत छथि जे ओ दोषी अछि वा निर्दोष। अहाँसबके ओहि लोकपर ध्यान देब' पड़त जे अहाँसबके मण्डलीके सदस्य अछि जेना पवित्र शास्त्र कहैत अछि, “अहाँसबके बीचमेस' कोनो दुष्टकाज करएबला लोकके संगतिस' बाहर करु!”
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.