1 Corinthians15

1यौ विश्वासी भाइसब, एहिके बाद, हम अहाँसबके ओहि सुसमाचारके स्मरण करबैत छी जे हम अहाँसबके बतओने रही। अहाँसब ई सुसमाचार हमरास' सुनलिऐ, आ अहाँसब एहिपर पूर्णरुपस' विश्वास करैत छी।2जखन अहाँसब हमराद्वारा सुनाओल गेल सन्देशपर अटल भ' क' विश्वास करैत रहब त' परमेश्वर सेहो ओहि सन्देश द्वारा अहाँसबके उद्धार करथिन। नहि त', अहाँसब ओहि सुसमाचारपर बिना कोनो कारणके विश्वासक' लेने छी।3पहिन बात जे हम अहाँसबके बतओली, आ जे किछु हम प्रभुस' सिखली से इएह अछि जे पवित्र शास्त्रके लेखक लिखने अछि जे मसीह हमरासबके पापस' छुटकारा देबएलेल क्रूसपर मरि गेलाह।4आदमीसब हुनका गाड़ि देलकनि, मुदा ओहिके बाद तेसर दिन परमेश्वर हुनका फेरुस' जीवित क' देलथिन, जेना धर्मशास्त्रमे लिखल अछि। 5ओ पत्रुसके देखाइ देलथिन आ फेरु यीशुके बांकी बारहो चेलासबके देखाइ देलथिन।6तेकरबाद ओ एकसाथमे पांच सयस' बेसी विश्वासी भाइसबके समक्ष प्रगट भेलथि। ओना त' एहिमेस' किछु आदमीसब मरिओ गेल अछि, मुदा ओहिमेस' बहुते एखनो जीविते अछि।7ओहिके बाद यीशु याकूब आ फेरु ओहि सब प्रेरितसबलग सेहो प्रगट भेलथि, जिनका ओ हुनकर प्रतिनिधित्व बनाक' प्रचार करबाक लेल पठौने छलथि।8अन्तमे, ओ ओकरासबलग प्रगट भेलाके बाद, हमरालग सेहो प्रगट भेलथि। एहिलेल, किएकत' हम ओ व्यक्ति बनि गेली जेकरा यीशु बांकी सबके बाद प्रतिनिधित्व करबाक लेल पठौने रहथि, हम एकटा एहन बच्चा जकां' छी जे असमयमे जन्मल छी।9वास्तवमे, हम ओहि सब आदमीसबस' कम महत्वपूर्ण आ कम आदरणीय छी, जिनका मसीह अपन प्रेरित होबएलेल पठौलनि। सांच कहि त', मुदा हम परमेश्वरके मण्डलीसबके नाश करबाक प्रयास कएने रही, एहिलेल हम एहिके योग्य नहि छी जं दोसर आदमीसब हमरा मसीहके प्रेरित कहैत अछि।10मुदा, परमेश्वरके कृपा हमरापर भेल आ ओ हमरा दोसर प्रेरित जकां बनौलखिन। संगहि, हमरा जे किछु जिम्मेवारी देलथिन, ओहिके बड़ नीक परिणाम आएल अछि आ व्यर्थ नहि भेल। वास्तवमे, हम हुनका सेवामे दोसर प्रेरितसबस' बेसी मेहनति कएली जिनका मसीह अपन प्रतिनिधित्व करबाक लेल पठौलनि। ओना त' वास्तवमे हम नहि रहिऐ जे एतेक मेहनति कएने रही। मुदा, ई परमेश्वरे छलथि जे एना कएलथि ओ हमरापर कृपाक' हमरा माध्यमस' काज करैत छलाह।11अन्तमे, हम आ दोसर प्रेरित, दुनू आदमी ओहि सुसमाचारके प्रचार करैत छी जे हम कहि रहल छी, आ अहाँसब ओहि सुसमाचारपर विश्वास करैत छी।12किएकत' हम सब विश्वासीके प्रचार करैत छी जे परमेश्वर मसीहके फेरुस' जीवित कएलनि, त' अहाँसबमेस' कोनो आदमी ई दाबी नहि करए अछि जे मरि गेल आदमीसब फेरुस' जीवित नहि होएत।13सोंचू, जे कहूं सत्य रहितै जे मरि गेल आदमीसब फेरु जीवित नहि होएत। ओहि विषयमे, परमेश्वर मसीहके फेरुस' जीवित नहि उठएलनि।14सोंचू, कहूं ई बात सांच रहितै जे परमेश्वर मसीहके जीवि नहि उठएलनि। ओहि विषयमे, हमसब बिना कोनो कारणे सुसमाचार प्रचार कएली आ अहाँसब ओहिपर विश्वास कएली।15तहन एतबे नहि, हमसब परमेश्वरके विषयमे झूठ बोलएबला मनुष्य रहि जाएब, किएकत' हमसब परमेश्वरके आगु गवाही कएलिऐ जे ओ मसीहके फेरुस' जीवित क' देलथिन, जखन की वास्तवमे ओ फेरुस' नहि जीबि उठलाह। ई सबबात सत्य होएतै जं परमेश्वर मरि गेल लोकसबके फेरुस' जीवित नहि करितथि।16अहाँसब ई कहि सकैत छी जे ई बात सत्य अछि जं अहाँसब सोंचैत छी जे परमेश्वर मरि गेल लोकसबके फेरुस' जीवित नहि करताह। एना अछि त', परमेश्वर मसीहके सेहो जीवित नहि कएने छथि।17मानि लिअ जे ई सत्य अछि जे परमेश्वर मसीहके फेरुस' जीवित नहि कएने छथि। तब, अहाँसब बिना कोनो कारणे सुसमाचारपर विश्वास कएने छी, आ अहाँसबके पाप नियन्त्रण करब जारी अछि।18फेरु ओहि विषयमे, जे मसीहमे भेल विश्वासीसब मरि गेल अछि, से सब फेरु कहियो जीवित नहि होएत।19सोंचू, जे एहि जीवनमे हमसब विश्वासपूर्वक मसीहस' आशाक' सकैत छी जे ओ हमरासबके मदति करथि। ओहि विषयमे सब लोकमे केकरो अभागल कहएस' बेसी अपनेसबके अभागल कहबाक चाही।20मुदा सत्य ई अछि: परमेश्वर मसीहके फेरुस' जीवित कएलखिन, आ मरि गेल सबलोक जेकरा परमेश्वर फेरुस' जीवित करताह ताहिमेस' ओ पहिन मनुष्य छथि।21अहाँसब कहि सकैत छी जे ई बात सत्य अछि, किएकत' एक मनुष्य आदम जे कएलक, ओहि द्वारा सब मनुष्य मरि जाइत अछि। तहिना दोसर मनुष्यमे जे मरि गेल अछि, ओसब ओहि एक मनुष्य यीशुद्वारा फेरुस' जीवित भ' जाएत।22हमर कहबाक तात्पर्य ई अछि जे जहिना सब मनुष्यसब मरि जाइत अछि किएकत' परमेश्वर ओकरासबके आदम संग एकजुट कएलथि, तहिना ओसब विश्वासी फेरु जीवित भ' जाएत किएकत' परमेश्वर ओकरासबके मसीहके संग एकजुट करैत छथि।23आब, ओसब मनुष्य जे सब जीबि उठताह, ओसब अपन पारमे ई काज करत, पहिने मसीह आ फेरु मसीहके जनसब, जहिया ओ फेरुस' घुरिक' अओताह।24ताहिके बाद, परमेश्वर जे किछु बनओने छथि, जाहिके प्रतीक्षा क' रहल अछि से होबए करत। ओहि समयमे, मसीह सबके आ सब किछुस' उद्धार करताह जे शासक छथि आ अधिकार करैत अछि आ नियन्त्रित करैत अछि। तखन, ओ परमेश्वरके, जे हमरासबके पिता छथि राज्यके प्रस्तुत करताह जे परमेश्वर सब पर राज करथि। 25कोना काज करत से तरीका ई अछि: परमेश्वर ई निर्णय कएने छथि जे मसीह ताधरि शासन करताह जाधरि ओ हुनका विरोधीसबके जीत नहि लेताह। 26अन्तिम बात जे मसीहके विरोधी अछि, ओहिस' ओ छुटकारा पाबि लेताह, ओ ई अछि जे लोक मरैत अछि। 27आब, पवित्र शास्त्रमे दाऊद लिखने अछि, “ओ हुनका ओहि सब बातपर विजय करबा देलथिन जे हुनकर विरोध करैत अछि।” ओना त “ओहि सब बात” मे परमेश्वर सहभागी नहि छथि, ओ ओएह छथि “जे ओहिसबपर हुनका विजय देलथिन।” 28एहिलेल जखन ओसब किछुपर विजय प्राप्त करएधरि पुत्र परमेश्वर हुनकर अधीन रहताह जे हुनका सबकिछुपर विजय प्राप्त करओलथि। एहि तरहें परमेश्वर सब किछुपर विजय प्राप्त करताह आ शासन करताह।29आब, जे मरि गेलसबके मदति कर' लेल जे दोसर बपतिस्मा दैत छै ओकरासबपर विचार करु। आ, फेरुस' सोंचू जे परमेश्वर मरि गेल लोकसबके जीवित नहि करतथि। ओहि विषयमे, लोकसबके मरि गेलसबके मदति कर' लेल दोसरके बपतिस्मा देबएके कोनो कारण नहि अछि।30एतबे नहि, ओहि विषयमे हमरासब जे सुसमाचार प्रचार करैत अछि जे कोनो कारण नहि अछि जे हमसब स्वयंके सदैव खतरामे रखैत छी जेना हमसब करैत छी।31वास्तवमे, हम प्रतिदिन मृत्युके सामना करैत छी। यौ विश्वासी भाइसब, हम अहाँसबपर गर्व करैत छी, एहिलेल करैत छी जे हम निश्चिन्त छी जे ई सत्य अछि, जे परमेश्वर हमरासबके मसीहमे एक कएने छथि जे हमरासबके प्रभु यीशु छथि।32 सोंचू जे हम ओहि समयमे मात्र मनुष्यके बातपर सोंचि रहल रही, जखन हम ओहि लोकसबके विरुद्ध संघर्ष करैत रही ओसब इफिसुस शहरमे गेल समय ओसब हमर विरोध कएने छल। ओहि विषयमे ओकरासबके विरुद्ध संघर्ष कएलास' हमरा कोनो फायदा नहि होएत। एक बेर फेरुस' सोंचू जे परमेश्वर मरि गेलसबके फेरुस' जीवित नहि करैत छथि। ओना अछि त', हमरासबके ओ काज करबाक चाही जे बहुत लोकसब कहैत अछि: खाउ, पीबू, किएकत' हमसब बहुत जल्दी मरि जाएब।33जे गलत अछि एहिपर अहाँसबके विश्वास नहि करबाक चाही। ई लोकप्रिय कहावत अछि: “दुष्ट मित्र ओहि मनुष्यके भटकादैत अछि जे सामान्य रुपस' सही काज करैत अछि।”34हम चाहैत छी जे अहाँसब सजग भ' क' धर्मी तरीकास' काज करब शुरु करु। जे गलत अछि से नहि करिते रहबाक चाही। हम ईसब बातके आज्ञा दैत छी किएकत' अहाँसबके बीच रहनिहार किछु मनुष्य परमेश्वरके नहि चिन्हैत अछि। हम ई बात एहिलेल कहैत छी जे अहाँसबके लाज लागए।35आबि केओ पुछि सकैत अछि जे मरि गेल अछि ओ फेरु कोनाक' शरीरमे जीवित भ' जाएत आ कोन रुप लेत।36जं अहाँसबके ओहि प्रश्नसबके उत्तर नहि बुझल अछि, तखन अहाँसब नीक जकां नहि बुझि रहल छी! मात्र एहिके विषयमे सोंचू: अहाँ जे बीज जमीनमे रोपैत छी, ओहिके अंकुरित होबएस' पहिने मरए पड़ैत अछि।37जे बिआक विषयमे बजैत छी जे बिआ अहाँसब माटिमे रोपैत छी, अहाँसब बुझति छी जे ओ देहके रुपमे नहि अछि। मुदा ई मात्र बिआ अछि। ई बात सही अछि चाहे गहुमके बात करी आ कोनो दोसर अनाजके।38वास्तवमे, ओ परमेश्वरे छथि जे बिआक अपना अनुसार देह दैत छथि, आ प्रत्येक प्रकारके बिआक एकटा अलग गुण होइत अछि जाहिमे ओ देह बढ़ैत अछि। 39अलग-अलग जीवसबके अलग-अलग शरीरके रुप होइत अछि। जेना मनुष्य, जानबर, चिड़ै आ माछसबके शरीरके अंग अलग-अलग प्रकारके होइत अछि।40किछु चीजसबके अस्तित्व स्वर्गमे अछि, आ किछु चीजसबके अस्तित्व पृथ्वीपर अछि। स्वर्गमे देहके एक प्रकारके महिमामे रुप अछि, जं की पृथ्वीपरके देहके दोसर प्रकारके महिमित रुप अछि।41एतबे नहि, सूर्य, चन्द्रमा आ तरेगनसबके महिमा अलग-अलग प्रकारके होइत अछि। वास्तवमे प्रत्येक तरेगन अपन अपन विशिष्ट तरीकास' महिमित अछि।42एहिनाक' ईसब लागू होइत अछि जे लोकसब मरि गेल अछि तेकरापर जे कोनाक' ओसब फेरुस' जीवित भ' जाएत। लोक सड़ि जाएबला देह जमीनमे गाड़ि दैत अछि, मुदा परमेश्वर ओकरा फेरुस' जीवित क' दैत छथि जाहिस' ओ फेरुस' कहियो नहि मरि सकए।43लोक देहके जमीनमे गाड़ि दैत अछि, ओकरा कोनो आदर नहि भेटैत अछि, मुदा परमेश्वर ओकरा फेरुस' जीवित क' दैत छथि जे सब केओ ओकर आदर करए। लोकसब निर्बल देहके जमीनमे गाड़ि दैत अछि, मुदा परमेश्वर ओकरा फेरुस' जीवित करैत छथि जे ओ सामर्थी भ' जाइक।44लोकसब एहि संसारके देहके जमीनमे गाड़ि दैत अछि, मुदा परमेश्वर ओकरा ओहि आत्मिक संसारके होएबाक लेल जीवित क' दैत छथि जेकरा परमेश्वर नव करताह। जेना किछु देह एहि संसारके होइत अछि, तहिना किछु देह ओहि संसारके अछि जेकरा परमेश्वर नव करताह।45अहाँसब ई कहि सकैत छी जे ई सत्य अछि किएकत' मूसा लिखने छथि, “परमेश्वर पहिन मनुष्य आदमके एकटा जीवित प्राणीके रुपमे बनौलनि जे एहि संसारके छलनि।” दोसर दिस, यीशु, जे दोसर आदमके समान छथि, आब ओ ओहि संसारके छथि जेकरा परमेश्वर नव करताह आ ओ दोसरसबके जीवन देताह।46आब पहिन आदमके देह जे एहि संसारके अछि, पहिने अस्तित्वमे आएल, आ ओहिके बाद अन्तिम आदमके देह अस्तित्वमे आएल जे ओहि आत्मिक संसारके अछि जाहिके परमेश्वर नव करताह।47आदम, जे एक प्रकारके मनुष्यके प्रतिनिधित्व करैत अछि , ओ सांसारिक छल। वास्तवमे, परमेश्वर ओकरा माटिस' बनौलथि। दोसर दिस, यीशु जे दोसर प्रकारके मनुष्यके प्रतिनिधित्व करैत छथि , ओ स्वर्गके छथि। 48पृथ्वीपर रहनिहारसब मनुष्य आदम जकां अछि। स्वर्गमे रहनिहारसब केओ यीशु जकां अछि।49वर्तमानमे अपनासबके शरीर आदमके शरीर जकां सांसारिक अछि। तहिना अपनासबके एहि तरहें जिबाक चाही जे अपनासबके शरीर अन्तमे यीशुके देह जकां भ' जाए, जे ओहि संसारके अछि जेकरा परमेश्वरके स्वर्गीय रुप नव करताह। 50यौ विश्वासी भाइसब, ई बात सुनू, मनुष्यके देह जेना एखन अछि, परमेश्वरके अनन्त राज्यके भागिदार नहि भ' सकैत अछि, किएकत' ईसब नाश भ' जाइत अछि आ मरि जाइत अछि।51ध्यान दिऔ! हम अहाँसबके एकटा बात कहए' जा रहल छी जे परमेश्वर आब प्रगट क' देने छथि। हम सबगोटे नहि मरब, मुदा परमेश्वर हमरासबके बदलि देताह।52क्षणभरिमे ओ हमरासबके अविनाशीमे बदलि देताह, जतेक जल्दिए कोनो मनुष्य पल झप्कबैत अछि। ई तखन होएत जखन एकटा स्वर्गदूत बिगुल बजाक' संसारके अन्त भ' रहल अछि से संकेत दैत। जखन एकटा स्वर्गदूत ओहि बिगुल बजौताह त' परमेश्वर मरि गेल मनुष्यसबके जीवित क' देताह जे ओसब फेरु कहियो नहि मरि सकए, आ ओ ओहि सब मनुष्यके बदलि देताह जे एखनो जीविते अछि।53एहिलेल, जे देह नाश भ' जाइत अछि आ मरि जाइत अछि ओकरा एहन देहमे बदलबाक आवश्यकता अछि जे सदिखन रहत आ कहियो नहि मरत।54जखन अपनासबके देह जे नाश भ' जाइत अछि आ मरत अछि, से ओहि देहमे बदलि जाएत जे अनन्तकालधरि रहैत अछि आ कहियो नहि मरत, तखन अन्तमे ओ बातसब होएत जे पवित्र शास्त्रमे लिखल अछि: “परमेश्वर एहिके एहिलेल बनओलनि जे आब मनुष्यसब नहि मरए।” 55एहिके आगु, “जखन लोक मरैत अछि, त' लोक ओकरा नाश नहि करैत अछि वा दुख पहुंचबैत अछि।” 56लोकसब एहिलेल मरैत अछि किएकत' पापके कारणे ओकर मृत्यु होइत अछि, आ ई एहिलेल होइत अछि जे पापके शक्ति व्यवस्थाके दण्डके रुपमे मृत्यु ठहरौने अछि।57मुदा, हम परमेश्वरके स्तुति एहिलेल करैत छी, किएकत' ओ हमरासबके जहिना हमसब पाप करैत छी आ जेना हमसब मरैत छी ओहिपर विजय प्राप्त करबामे सक्षम बनौने अछि। ओ ई काज ओहि काजके द्वारा कएलथि जे हमरासबके प्रभु यीशु मसीह कएने छथि।58एहिलेल फेरु, यौ प्रिय विश्वासी भाइसब, जिनकास' हम प्रेम करैत छी जे अहाँसब बुझति छी ई सत्य अछि। स्थिर रहिक' बेसीस' बेसी प्रभुके सेवा करु। अहाँसबके ईसब करबाक चाही किएकत' अहाँसब जनैत छी जे प्रभुक सेवा करबाक लेल अहाँसब जे किछु करैत छी ओकर परिणाम फल बिना नहि होएत, किएकत' परमेश्वर अहाँसबके प्रभुसंगे एक कएने छथि। 

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67