1 Corinthians14
1अहाँसबके सदिखन दोसरस' प्रेम करबाक प्रयास करबाक चाही। संगहि, अहाँसबके उत्सुकता स' ई खोजबाक चाही जे पवित्र आत्मा अहाँसबके विशेषरुपस' सशक्त करथि, जे अहाँसब परमेश्वरद्वारा कहल भविष्यवाणी बातसबके प्रचार करएमे सक्षम भ' सकी।2अहाँसबके एहन इच्छा एहिलेल करबाक चाही किएकत' जे लोकसब अज्ञात भाषामे बजैत अछि, ओ दोसर लोकसबस' नहि, मुदा परमेश्वरसंगे बजैत अछि। एना एहिलेल अछि किएकत' केओ नहि जानि सकैत अछि जे ओ की कहि रहल अछि। बल्कि, जं पवित्र आत्मा ओकरासबके शक्ति प्रदान करैत छथि त ओसब रहस्यके बातसब बजैत अछि।3दोसर दिस, जे लोकसब परमेश्वरद्वारा कहल गेल भविष्यवाणीके बात प्रचार करैत अछि, ओसब दोसर लोकसबस' बात करैत अछि। ओसब दोसर विश्वासीसबके मजगूत होअएमे मदति करैत अछि, आ दोसर विश्वासीसबके उचित व्यवहार कर' लेल आग्रह करैत अछि, आ दोसर विश्वासीसबके सान्त्वना दैत अछि।4अज्ञात भाषामे बजनिहारसब अपने स्वयंके मजगूत होअएलेल मदति करैत अछि। दोसर दिस, जे लोकसब परमेश्वरद्वारा कहल गेल भविष्यवाणीके बात प्रचार करैत अछि, ओसब विश्वासीसबके समूहके दृढ़ होअएमे मदति करैत अछि।5हम चाहैत छी जे अहाँसब अज्ञात भाषामे बाजू। मुदा, हम आओर बेसी जोड़देब जे अहाँसब परमेश्वरद्वारा कहल गेल भविष्यवाणीके बात प्रचार करु। अज्ञात भाषामे बाजएके परमेश्वरद्वारा कहल गेल भविष्यवाणीके बात प्रचार करब बेसी महत्वपूर्ण आ मदतिगार अछि। निश्चय, यदि केओ अज्ञात भाषाके व्याख्या करैत अछि, त' ईहो विश्वासीसबके समूहके विश्वासमे मजगूत करएमे मदतिक' सकैत अछि।6यौ विश्वासी भाइसब, एत' हम जे कहए' चाहैत छी ओ इएह अछि: उदाहरणके लेल, कल्पना करु जे हम अहाँसबके ओतए आएल छी, आ हम अज्ञात भाषामे बजलहुं। त' हम अहाँसबके कोनो मदति नहि क' सकब। अहाँसबके वास्तवमे मदति करबाक लेल हमरा ओहि बातसबके अहाँसबके समक्ष प्रगट कर' पड़त, अहाँसबके ओहि बातसबके जानएमे मदति कर' पड़त, परमेश्वर जे कहैत छथि ओहिके अहाँसबके प्रचार करए पड़त, आ अहाँसबके ई सिखाबए पड़त।7एतधरि जे एहन चीजसब जे जीवितो नहि अछि मुदा जेकर उपयोग हमसब आवाज निकालएलेल करैत छी इहो हमर कहल बातके वर्णन करैत अछि जे हम कहि रहल छी। जं केओ बौसली वा वीणा बजबैत अछि, तखन ओहि वाद्ययंत्रस' भिन्न-भिन्न विशिष्ट ध्वनि निकलबाके चाही। सबटा आवाज एके समान रहैत त' केओ नहि बुझि सकत जे ओ की धुन बजा रहल अछि।8संगहि, मानि लिअ केकरो चेताबएलेल बिगुलक आवाज स्पष्ट नहि भेल त' केओ नहि जानि सकत जे दुश्मनस' युद्ध लड़एलेल तैयार रहबाक जरुरी अछि।9जखन-कखनो अहाँसब दोसर लोकस' बात करैत काल कोनो शब्दसबके प्रयोग करैत छी, तखन अहाँसब एकटा एहन वाद्ययंत्र जकां' छी जे स्पष्ट आवाज नहि निकालैत अछि। अहाँसबके बात केओ नहि बुझत आ अहाँ ओहि मनुष्य जकां' होएब जे केकरोस' बात नहि करैत अछि।10इएह बात सत्य बुझाति अछि जे संसारमे बहुते भाषासबके अस्तित्व अछि। ओहिमेस' प्रत्येक स्पष्ट संचार करैत अछि।11तएं उदाहरणके लेल, जं हम नहि बुझति छी जे कोनो भाषामे कोना बातचित करैत अछि, तखन हम ओहि भाषा बजनिहारसबके लेल परदेशी छी, आ ओसब हमरालेल परदेशी अछि।12एहिलेल, अहाँसबके जे करबाक चाही से ई अछि: किएकत' अहाँसब इच्छा करैत छी जे पवित्र आत्मा अहाँसबके विशेषरुपस' सशक्त करथि, त' अहाँसबके विश्वासीसबके समूहके विश्वासमे परिपक्व बनाबए लेल बेसीस' बेसी प्रयास करबाक चाही जाहिस' अहाँसब ओहिके उपयोग करु जेकरालेल पवित्र आत्मा अहाँसबके सशक्त करैत छथि।13एहिलेल, अज्ञात भाषामे बजनिहार मनुष्यसबके परमेश्वरस' प्रार्थना करबाक चाही जे ओसब बजैत अछि ओहिके बुझाबएमे सेहो सक्षम करथि।14उदाहरणके लेल, जखन हम कोनो अज्ञात भाषामे परमेश्वरस' प्रार्थना करैत छी, तखन हमर एकटा भाग मात्रे प्रार्थना क' रहल अछि किएकत' हम की कहि रहल छी ताहिपर मनमे नहि सोंचि रहल छी।15एहिलेल, हम आ अहाँसब की करी से अछि। हमरासबके परमेश्वरस' अपन किछु अंगस' मात्र प्रार्थना नहि बल्कि आत्मा आ बुद्धिस' सेहो करबाक चाही मुदा हमसब जे कहि रहल छी ताहिपर सेहो सोंचब चाही। हमरासबके अपन किछु अंगस' मात्रे गएबाक नहि चाही बल्कि आत्मा आ बुद्धिस' सेहो गएबाक चाही, मुदा इहो सोंचब चाही जे हमसब की गाबि रहल छी।16सोंचू जे लोकसब अज्ञात भाषाके नहि बुझति अछि, आ अहाँ अपन आत्मास' मात्र परमेश्वरके स्तुति करैत छी, आ जेकरा वरदान नहि अछि से अहाँके बातपर आमीन कोना कहतैक। जखन अहाँ परमेश्वरके स्तुति करब तखन ओसब स्तुति करएमे भाग नहि ल' सकत किएकत' अहाँ जे अज्ञात भाषा बाजि रहल छी से ओसब नहि बुझति अछि।17एहि स्थितिमे, अहीं उचित ढंगस' परमेश्वरके स्तुति करैत छी। मुदा, अहाँ दोसरके परिपक्व होएब मदति नहि करैत छी।18हम परमेश्वरके धन्यवाद दैत छी जे हम अहाँसबस' बेसी अज्ञात भाषामे बजैत छी।19मुदा, जखन हम संगी विश्वासीसबके समूहसंगे परमेश्वरके आराधना करबाक लेल जमा होइत छी, त' हम मात्र किछुए एहन शब्दसब बाजए' चाहैत छी जे हम बुझति छी। एहि तरहें, हम दोसर विश्वासीसबके सेहो सिखा सकैत छी आ अपने मात्र नहि। कोनो अनजान भाषामे लाखो शब्द बाजब स' हमरालेल एना करब नीक अछि।20यौ विश्वासी भाइसब, हम नहि चाहैत छी जे अहाँसब एहि बातसबमे छोट बच्चा जकां मूर्ख बनू। बल्कि, अहाँसब एहि बातसबके विषयमे ओतेक जानएके चाही जतेक एकटा नमहर वयस्क जनैत अछि। जे काज गलत अछि मात्र ओकरा नहि करबामे अहाँसबके छोट बच्चा जकां' होएबाक चाही।21प्रभु जे कहने छथि से यशायाह प्रवक्ता पवित्र शास्त्रमे लिखने अछि, “हम अपन लोक इजराएलस' विदेशी भाषा बजनिहार लोकसबद्वारा बात करब। मुदा, एहि तरहें जे ओसब हमर बात नहि सुनत।” 22एहिलेल, अज्ञात भाषामे बात करब ई देखबैत अछि जे मसीहमे विश्वास नहि करएबलाके चेन्ह स्वरुप अछि जे परमेश्वर न्याय करैत छथि, नहि की मसीहमे विश्वास करएबलाके। दोसर दिस, परमेश्वरद्वारा कहल गेल बात प्रचार करब ई देखबैत अछि जे मसीहपर विश्वास करएबला प्रति परमेश्वर दयापूर्वक काज करैत छथि, मसीहपर विश्वास नहि करएबला प्रति नहि।23एहिलेल, कल्पना करु जे मण्डलीके विश्वासीसबके सारा समूह परमेश्वरके आराधना करबाक लेल जमा भेल, आ अहाँसब अज्ञात भाषामे बाजि रहल छी। आगु सोंचू जे एहन लोक जे अज्ञात भाषा नहि बुझति अछि आ जे मसीहमे विश्वास नहि करैत अछि, अहाँसबलग आएल अछि। त' ओसब दोसरके कहत जे अहाँसब सनकल छी।24दोसर दिस, सोंचू जे अहाँसब परमेश्वरद्वारा कहल भविष्यवाणीके बात प्रचार कएलिऐ। आगु सोंचू जे केओ जे मसीहमे विश्वास नहि करैत अछि आ जे अज्ञात भाषा नहि बुझति अछि, अहाँसबके समूहमे आएल अछि। अहाँसब जे किछु कहब, ओ ओकरासबके ओहि बातसबके प्रगट करत आ ओहि बातसबके जांच करत जे गलत काज ओसब कएने अछि।25एहि तरहें, सब लोकसबके ओ सबटा बात बुझएमे आओत जे ई नव आएलसब दोसरस' हृदयमे नुकबैत अछि। एकर फलस्वरुप ओसब ठेहुनियां द' क' परमेश्वरके आराधना करत। ओसब दोसरके कहत जे सचमुच परमेश्वर अहाँसबके संग छथि।26यौ विश्वासी भाइसब, हमर कहबाक अर्थ इएह अछि। जखन-कखनो अहाँसब परमेश्वरके आराधना करएलेल जमा होइत छी, त' प्रत्येक विश्वासीके किछु ने किछु करबाक अछि। केओ गीत गबैत अछि, केओ सिखबैत अछि, केओ बातसबके अर्थ स्पष्ट करैत अछि, केओ अज्ञात भाषामे बजैत अछि, केओ अज्ञात भाषाके अनुवाद करैत अछि। विश्वासीसबके ईसब काज करबाक चाही जे दोसर विश्वासीसब प्रभुमे मजगूत होबएमे मदति मिलि सकए।27जखन विश्वासीसब अज्ञात भाषामे बाजि रहल अछि, तखन बेसीस' बेसी दू आ तीन केओ बाजए। एकके बाद दोसर बाजए, आ केओ व्याख्या करए जे ओ की कहि रहल अछि।28दोसर दिस, जखन विश्वासीसबके समूह परमेश्वरके आराधना करबाक लेल जमा होइत अछि आ अज्ञात भाषाके अनुवाद करएलेल केओ नहि रहैत अछि, त' जे केओ अज्ञात भाषामे बाजि रहल अछि, ओकरा चुप रहबाक चाही। जोरस' बात करबाक बदला परमेश्वरस' गुप्तरुपस' अज्ञात भाषामे बात करबाक चाही।29ओहिना, ओकरासबमेस' लगभग दू वा तीन आदमी मात्रे बाजए जे परमेश्वरके प्रवक्तासब अछि। बांकी सबकेओ ई जांच करए जे ओसब जे कहैत अछि से सत्य अछि वा झूठ।30आब जखन-कखनो विश्वासीसब एकठाम जमा भेल समय, परमेश्वरके कहल बात प्रचार करएबलाके सुनिहार लोकमे परमेश्वर किछु प्रगट करैत छथि, तखन जे आदमी बाजि रहल होअए ओकरा बजनाइ बंद क' देबाक चाही।31अहाँसबके ई काज एहिलेल करबाक चाही जाहिस' सबके एकके बाद एक परमेश्वरके कहल भविष्यवाणीके बात प्रचार करबाक मौका मिलए। एहि तरहें, सब केओ किछु नहि किछु सिखैत अछि, आ सब केओ प्रोत्साहित भ' जाइत।32जे परमेश्वरके प्रवक्तासब अछि, ओसब कोना आ कहिया प्रचार करबाक चाही, ताहिपर अपन आत्माके नियन्त्रण करौक।33ई बात सत्य अछि किएकत' जे शान्तिपूर्ण आ व्यवस्थित अछि आ अव्यवस्थित नहि अछि से परमेश्वरके गुण प्रगट करैत अछि। हम चाहैत छी जे अहाँसब ओहिना व्यवहार करु जेना बांकी विश्वासीसबके समूहके आदमीसबके केओ परमेश्वर अपनालेल अलग कएने छथि, जखन ओसब परमेश्वरके आराधना करबाक लेल जमा होइत अछि।34जखन विश्वासीसबके समूह एकठाम जमा होइत अछि आ पतिसब बजैत होइक त' ओकरासबके पत्नीसबके चुप रहबाक चाही। ओसब बात नहि करए मुदा अपन अपन पतिसबके आदर करबाक चाही आ बात मानबाक चाही। ओकरासबके एना करबाक चाही किएकत' परमेश्वरके व्यवस्थामे हमसब एहने देखैत अछि।35आब जखन पत्नीसब बेसी सिखए चाहैत अछि त' पतिसब की बाजि रहल अछि ओहिके विषयमे अपन घरमे अपन पतिसबस' प्रश्न पुछबाक चाही। ओकरासबके ई एहिलेल करबाक चाही किएकत' जखन विश्वासीसबके समूह जमा होइत अछि आ जखन ओकरासबके पतिसब बजैत अछि त' बात करएबाली पत्नीसब अपने आ अपन परिवारके लज्जित करैत अछि।36जं अहाँसबके हमर कहल बात नीक नहि लगैत अछि, तखन ई मोन राखू जे परमेश्वर कहने छथि तेकर स्रोत अहाँसब नहि छी, आ अहींसब मात्र छी जे परमेश्वरके कहल बात सुनलक आ विश्वास कएलक।37जे सब स्वयंके परमेश्वरके प्रवक्ता मानैत अछि आ पवित्र आत्माद्वारा विशेषरुपस' सशक्त मानैत अछि, ओसब ई बुझएके चाही जे हम अहाँसबके जे किछु एहि पत्रमे लिख रहल छी से स्वयं प्रभु आदेश देब चाहैत छथि।38मुदा, अहाँसबके एहन केकरो अधिकारीक नहि मानए जे ई नहि मानैत होए जे प्रभु हमराद्वारा कहल गेल बात आवश्यक अछि।39अन्तमे, विश्वासी भाइसब, परमेश्वर जे कहने छथि से भविष्यवाणी प्रचार करबाक लेल उत्सुक भ' क' प्रयास करु। संगहि, लोकसबके अज्ञात भाषा बाजएस' नहि रोकियौ।40अन्तमे, जखन अहाँसब परमेश्वरके आराधना करबाक लेल जमा होइत छी, तखन अहाँसबके सदिखन प्रभुमे आदरपूर्ण आ व्यवस्थित ढंगस' व्यवहार करबाक चाही।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.