1 Corinthians13
1अहाँसब कल्पना करु जे हम बहुत प्रकारके लोकसबके भाषा आ स्वर्गदूतसबके भाषासब बाजि, मुदा हम दोसरस' प्रेम नहि कएली छी। तखन हम जोरस' बाजएबला झालि जकां बेसी आवाज निकालब, आ केकरो मदति नहि करैत होएब।2फेरु, कल्पना करु जे हम परमेश्वर कहैत से घोषणा क' सकी आ सब किछु जानि सकी, आ हम एतेक विश्वास होए जे पहाड़ अपन स्थान परिवर्तन करा दी। मुदा, आओर आगु कल्पना करु जे जं हम दोसरस' प्रेम नहि कएली। ओहिसबके कोनो मतलब नहि अछि।3एक बेर फेरु सोंचू जे हम अपन सबकिछु जेकरा भोजनके आवश्यकता अछि ओकरा दानमे द' देलिऐ, आ हम अपने शरीरके बांकी नहि रखली, जे लोकसब हमरा आदर करए। मुदा आगु कनि सोंचियौ, जे हम दोसरस' प्रेम नहि कएली। किएकत हम दोसरके प्रेम नहि कएलिऐ एहि चीजसब जे हम कएली से हमरा कोनो मदति नहि कएलक।4जे दोसरस' प्रेम करैत अछि ओ धैर्यपूर्वक प्रतीक्षा करैत अछि आ दयालु भ' काज करैत अछि। ओसब नहि चाहत जे ओकरा लग जे नीक चीजसब अछि से दोसर लोकसब गमा दैक। ओसब अपने विषयमे पैघ-पैघ बातसब नहि बाजत आ ने पैघ लोकसब जकां व्यवहार करत।5ओसब लाज होबएबला काज नहि करत। ओसब अपने हितक लेल मात्रे नहि सोंचत। ओ झटस' नहि पीताइत। दोसर लोक ओकरास' कएने गलत काजके हिसाब नहि रखैत अछि।6जखन लोकसब अधलाह काज करैत अछि त' ओसब खुशी नहि होएत। मुदा, ओसब जे सत्य अछि ओहिमे प्रसन्न होइत अछि।7ओसब सदिखन दोसरके सहैत अछि। ओसब सदिखन विश्वास करैत अछि जे परमेश्वर करताह से नीके करताह, आ ओसब सदिखन आशा रहैत अछि जे परमेश्वर प्रतिज्ञा कएने से पूरा करताह। जखन अधलाह बात होइत अछि ओसब सदिखन दृढ़ रहैत।8जे दोसरस' प्रेम करैत अछि, से ईसब करब कहियो नहि छोड़ैत अछि। मुदा तथापि, कोनो दिन लोकसब परमेश्वर जे कहैत छथि से प्रचार नहि करत। कोनो दिन लोक अनजान भाषा बाजब छोड़ि देत। कोनो दिन लोकसब विशेष बात जानब छोड़ि देत।9ईसब होएब बंद भ' जाएत, किएकत' हमसब विशेष बात पूर्णरुपस' नहि जनैत छी, आ हमसब भविष्यवाणी प्रचार करैत छी से अपूर्ण अछि।10त' एहिलेल, जं हमसब जे पूर्ण अछि से अनुभव करब जहिया यीशु घुरिक' अओताह, त' अपूर्ण अछि तेकर कोनो मतलब नहि रहि जाएत।11एत एकटा समरुपता अछि: जहिया हमसब छोट बच्चा रही त' हमसब बच्चा जकां बजैत रही। हमसब बच्चा जकां सोंचैत रही। हमसब बच्चा जकां निर्णय लेने रही। मुदा जं हमसब नमहर भेली त' बचकानी काज करब छोड़ि देलिऐ।12एहि समयमे, हमसब परमेश्वरके स्पष्टस' नहि देखैत छी, जेना ऐनामे कोनो धोनराह प्रतिबिम्ब देखैत छी। मुदा, जहिया यीशु अओताह त' हमसब परमेश्वर जानि लेब जतेक ओ हमरासबके जनैत छथि।13अन्तमे, तीनटा बात जे हमसब सदिखन करैत रहब। हमसब मसीहामे विश्वास करब, आशा भ' क' अपेक्षा करब जे परमेश्वर जे प्रतिज्ञा कएने छथि से करताह, आ परमेश्वर आ दोसरके प्रेम करब। मुदा तथापि, परमेश्वर आ दोसरके प्रेम करब एहि तीनू बातमे सबस' बेसी महत्वपूर्ण अछि।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.