1 Corinthians12

1आब, हम एहि विषयपर बात कर' लेल जा रहल छी जे परमेश्वरके आत्मा विश्वासीसबके विशेष प्रकारस' सामर्थी बनबैत छथि। यौ विश्वासी भाइसब, हम अहाँसबके एहि बातसबके विषयमे बताब' चाहैत छी।2अहाँसब जनिते होएब जे जहिया अहाँसब आन जाति रही त' की करैत रही। अहाँसब आन देवतासबके पुजैत रही। ई आन देवतासब बाजए' नहि सकैत अछि, मुदा अहाँसब ओएह कएली जे गलत बात लोकसब अहाँसबके कर' लेल कहलक जे एहि आन देवतासबके पूजा करी। 3त' एहिलेल हम अहाँसबके ई कहि रहल छी जे केओ यीशुके सरापित कहैत अछि, ओ परमेश्वरके आत्माके सामर्थ्यस' नहि बजैत अछि। दोसर दिस', कोनो व्यक्ति ई कहैत अछि जे यीशु प्रभु छथि ओ अवश्य पवित्र आत्माके सामर्थ्यस' बाजि रहल अछि।4पवित्र आत्मा लोकसबके वरदानसब द' क' अनेक तरहें सामर्थ्यवान बनबैत छथि, मुदा पवित्र आत्मा एकेटा छथि।5लोकसब प्रभुके अनेक प्रकारस' सेवा करैत अछि, मुदा प्रभु एकेटा छथि।6लोकसब परमेश्वरलेल अनेक प्रकारस' काज करैत अछि, मुदा परमेश्वर एकेटा छथि। ओहे छथि जे सबलोकके एहिसब प्रकारके काज करबाक लेल सामर्थ्य प्रदान करैत छथि।7हरेक विश्वासी परमेश्वरस' विशिष्ट तरीका प्राप्त करैत अछि जाहिमे परमेश्वरके आत्मा ओकरासबद्वारा विश्वासीसबके मदति करएलेल काज करैत छथि।8जेना, परमेश्वरके आत्मा किछु विश्वासीके बुद्धिमानीस' बजबाक सामर्थ्य दैत छथि। दोसर विश्वासी ज्ञानी बात कर' सकैत अछि, आ ओएह आत्मा ओकरासबके एना कर' लेल सामर्थ्य दैत छथि।9ओएह पवित्र आत्मा किछु विश्वासीसबके विशेष तरहें परमेश्वरपर भरोसा करबाक सामर्थ्य दैत छथि। ओएह आत्मा दोसर विश्वासीसबके रोगीसबके स्वस्थ करबाक वरदान प्रदान करैत छथि।10कोनो विश्वासीसबके सामर्थ्यके काज करैत अछि। दोसर कोनो विश्वासी परमेश्वरस' आएल सन्देश बाजि सकैत अछि। कोनो विश्वासीसब ई निर्णय क सकैत अछि जे ई परमेश्वरके आत्मास' अछि वा नहि। किछु विश्वासी अनजान भाषासब बाजि सकैत अछि। कोनो विश्वासीसब ओहि अनजान भाषासबके अर्थ अनुवाद क' सकैत अछि।11ओएह पवित्र आत्मा विश्वासीसबके ई सबटा काज कर' लेल सामर्थ्य दैत छथि। ओ पवित्र आत्मा एकेटा छथि, आ ओएह ई तय करैत छथि जे प्रत्येक विश्वासीद्वारा विशेषढंगस' कोना काज करब।12हमसब एकताके लेल मनुष्यके शरीरके लैत छी, मुदा शरीरमे अनेक अंग होइत अछि। तएं, सब अंगसब, कएटा अछि ताहिस' कोनो बात नहि, सब मिलक' एकटा शरीरके निर्माण करैत अछि। ओहिना हमसब मसीहके विषयमे सोंचि सकैत छी।13आब, परमेश्वर अपनासबके निकटस' एक क' देने छथि जेना हमसब एके शरीर छी। जं लोक हमरासबके बपतिस्मा देलक तब एना भेल, प्रतिफल भेल जे हमरासबके एकेटा आत्मा अछि। हमसब ई एकटा शरीर बनबैत छी तथापि हमसब किछुगोटे यहूदीसब छी आ किछुगोटे गैर-यहूदी, आ तथापि हमसब किछुगोटे दास छी आ किछुगोटे स्वतन्त्र छी। आ, हम सबगोटे एके पवित्र आत्मास' पीबने छी जेना एके कटोरास' पिबैत छी।14जेना अहाँसब जनैत छी, एकटा अंगस' मात्र शरीरके निर्माण नहि होइत अछि। बल्कि, बहुते अंगसब मिलक' शरीर निर्माण होइत अछि।15कल्पना करु जे अहाँके पयर अहाँसंग कहए जे हम हाथ नहि छी तएं हम शरीरके अंग नहि छी। त ई कारण ओकरा ओहि शरीरके अंग होबएस' नहि रोकि सकैत अछि।16फेरु कल्पना करु जे अहाँके कान अहाँस' कहए जे ओ आंखि नहि अछि ताहिके लेल ओ शरीरक अंग नहि अछि। त एहि कारणस' ओ ओहि शरीरके अंग होएब नहि रोकि सकैत अछि?17कल्पना करु जे अहाँके पूरा शरीरमे आंखिएस' बनल होइक। त अहाँ किछु नहि सुनि सकैत छी! कल्पना करु जे पुरे शरीर कानेस' बनल रहैत। त' अहाँ किछु नहि सुंघि सकब!18मुदा, शरीरके विषयमे एकटा सांच बात अछि: परमेश्वर निर्णय कएलथि जे कोन अंग कोना काज करत, आ ओ शरीरमे कोनो विशेष कारणस' ओहि अंगके शरीरमे जोड़ि देने छथि।19कल्पना करु जे अहाँके शरीरके सब अंग एकहि प्रकारे होएतै। त' अहाँके वास्तवमे शरीरे नहि होएत!20मुदा, शरीरके विषयमे एगो सांच बात अछि: बहुत आ अलग-अलग शरीरके अंगसब अस्तित्वमे अछि।21कल्पना करु जे अहाँके शरीरके अंगसब बात करितैक। आंखि कहियो हाथके नहि कहितैक, “हमरा अहाँक जरुरति नहि अछि।” तहिना माथ कहियो पयरके नहि कहितैक, “हमरा अहाँक जरुरति नहि अछि।”22बल्कि, सांच ई अछि जे शरीरके अंगसब जे अपनासब लग अछि जे समर्पित अछि वास्तवमे आवश्यक अछि।23संगहि, हमसब शरीरके ओहि अंगसबके बेसी महत्व दैत छी जेकरा हमसब कम मूल्यके मानैत छी। हमसब अपन शरीरके अशोभनीय अंगके संग बेसी शालीनतास' व्यवहार करैत छी।24मुदा अपन शरीरक शोभनीय अंगसंगे कोनो विशेष व्यवहार नहि करैत छी। अन्तमे, ओ परमेश्वरे छथि जे सब अंगके एक शरीरमे एकसाथ रखैत छथि, आ ओ कम मूल्यवान अंगके अधिक मूल्यवान बनबैत छथि।25जाहिस' शरीर अलग-अलग अंगमे नहि बंटि जाए। बल्कि, शरीरके अंग एकसाथ काज करैत अछि आ शरीरके एक अंगके शरीरके दोसर अंगपर कोनो विशेषाधिकार नहि दैत अछि।26एहिलेल, शरीरके एक अंगमे पीड़ा होइत अछि त' शरीरके आन अंगके सेहो पीड़ा होइत अछि। जखन केओ शरीरके कोनो अंगके बड़ाइ करैत अछि त' शरीरके सब अंग आनन्दित होइत अछि।27हम ईसब एहिलेल कहैत छी किएकत', अहाँसब मसीहके शरीर जकां छी। अहाँसबमेस' प्रत्येक मसीहके शरीरके एकटा अंग जकां छी।28ओहिना, परमेश्वर ओहि लोकसबके विशेषरुपस' सशक्त कएने छथि जे हुनका आराधना करैत अछि। पहिने ओ किछु लोक जेकरा ओ अपन प्रेरितके रुपमे पठौने छथि। दोसर ओ किछु लोक जे प्रवक्ता अछि जे परमेश्वरद्वारा कहल गेल बात प्रचार करैत अछि। तेसर ओ किछु लोक जे सब विश्वासीसबके शिक्षा दैत अछि। अहूस' बेसी, किछु लोक सामर्थ्यके काजसब करैत अछि। आन किछु लोक लोकसबके चंगा करएबला वरदान दैत अछि, किछु लोक विश्वासीसबके सहायताक' सकैत अछि, आ ओ किछु लोक विश्वासीसबके समूहके मार्गदर्शन क' सकैत अछि, वा अज्ञात भाषासब बाजि सकैत अछि।29मात्र किछुए एहन विश्वासी अछि जेकरा मसीह अपन प्रेरितके रुपमे पठौने छथि। किछुए विश्वासीसबके मात्र प्रवक्ताके रुपमे प्रचार कर' लेल पठाओल गेल अछि। किछुए लोक दोसर विश्वासीसबके शिक्षा दैत अछि। किछुए लोक सामर्थ्यके काजसब करैत अछि।30किछु लोकके मात्र चंगा करबाक वरदान मिलैत अछि। किछुए मात्र अज्ञात भाषा बजैत अछि। ओहि अज्ञात भाषाके किछुए लोक अनुवाद करैत अछि।31आब, हम चाहैत छी जे अहाँसब उत्सुकतापूर्वक सबस' उत्तम वरदानसब खोज करु। आगु, हम अहाँसबके कहब जे सबस' नीक काज अहाँसबके' सकैत छी।

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67