1 Corinthians11
1हमर जेना करैत छी तहिना करु, हम ठीक ओहिना करैत छी जेना मसीह कएलथि।2हम अहाँसबके बड़ाइ करैत छी किएकत' अहाँसब सदिखन ओ सोंचैत रहैत छी जे हम सिखबैत आ करैत छी। किएकत अहाँसब सावधानीस' ओएह विश्वास करैत छी आ काज करैत छी जे हम अहाँसबके विश्वास करएलेल आ करएलेल सिखऔली।3हम अहाँसबके ई कहि रहल छी जे प्रत्येक पति मसीहस' अबैत अछि। प्रत्येक पत्नी अपन पतिस अबैत अछि। अन्तमे, मसीह परमेश्वरस' अबैत छथि।4पुरुषसब प्रार्थना आ परमेश्वर कहल भविष्यवाणीके बात प्रचार करैत काल अपन सिरके झंपैत अछि। जे एना करैत अछि से हुनका अपमान करैत अछि जत' स' ओसब आएल अछि: अर्थात् मसीहके।5आब, जे स्त्रीसब प्रार्थना वा परमेश्वरके कहल भविष्यवाणीके बात प्रचार करैत काल अपन सिर उघारिक' रखैत अछि। जे एना करैत अछि से ओकरा अपमान करैत अछि जत' स' ओसब आएल अछि: अर्थात् अपन अपन पतिसबके। अहाँसब कहि सकैत छी जे ई बात सत्य अछि, किएकत' जे स्त्री माथ उघारिक' रखैत अछि त' ओकर माथ ओहि स्त्री जकां अछि जे अपन माथके केश छिला लेने होइक।6वास्तवमे, जे कोनो स्त्री माथ उघारिक' रखैत होइक केओ ओकर माथके केशके छोट छोटक' काटि देबाक चाही। किएकत' जाहि स्त्रीके माथके केश छोट अछि त' लोकसब ओकर अपमान बुझति अछि, स्त्रीसबके अपन माथके झांपिक' रखबाक चाही।7एक दिस, पुरुषसबके अपन माथ नहि झंपबाक चाही, किएकत ओसब परमेश्वरके समरुप करैत अछि आ परमेश्वरके सम्मान करैत अछि। दोसर दिस, पत्नीसबके अपन अपन पतिसबके सम्मान करबाक चाही।8अहाँसब कहि सकैत छी जे ई सत्य अछि किएकत' परमेश्वर पुरुष आदमके स्त्री हव्वास' नहि बनौलथि। बल्कि, ओ स्त्री हव्वाके आदम पुरुषस' बनौलथि। 9दोसर तरहें ई ठीक अछि जे अहाँसब कहि सकैत छी किएकत' परमेश्वर स्त्री हव्वाके लेल पुरुष आदमके नहि बनौलथि। बल्कि, ओ पुरुष आदमके लेल स्त्री हव्वाके बनौलथि। 10किएकत, पत्नीसबके अपन अपन पतिसबके आदर करैत अछि, स्त्रीसब अपन माथपर की पहिरत से नियन्त्रण करबाक चाही। ओकरासबके शक्तिशाली आत्मिक प्राणीसबके खातिर सेहो एना करबाक चाही। 11एहिसबके बादो, जं प्रभुमे लोकसबके एक करैत छथि, स्त्रीसब पुरुषसबके बिना अस्तित्वमे नहि रहि सकैत अछि, आ ने पुरुषसब स्त्रीसबके बिना अस्तित्वमे रहि सकैत अछि।12वास्तवमे, जखन स्त्री हव्वा पुरुष आदममेस' निकललीह, तएं पुरुषसबके अस्तित्व एहिलेल मात्र अछि जे त स्त्रीसब ओकरासबके जन्म दैत अछि। मुदा, जे किछु एत' अस्तित्वमे अछि से सब किछु परमेश्वरस' अबैत अछि।13अहींसबके अपने विचार करबाक चाही जे स्त्रीसब बिना माथ झंपने परमेश्वरस' प्रार्थना करैत अछि, से ठीक व्यवहार अछि वा नहि।14अहाँसब स्वभाविक बातसब देखोक' बुझि सकैत छी जे पुरुषसबके लेल नमहर केश राखब लाजक बात अछि।15मुदा, स्वभाविक बातसब देखक' बुझि सकैत छी जे स्त्रीसबके लेल नमहर केश राखब ओकर ओढ़नी जकां आ गौरव अछि। एना किएकत' परमेश्वर स्त्रीसबके नमहर केश देने छथि, जे ओकरासबके माथ झंपबाक काज करैत अछि।16आब जे केओ हमर कहल बातपर विवाद करए चाहैत अछि, जखन स्त्रीसब प्रार्थना वा भविष्यवाणी करैत अछि, त' ने हम सबमे आ ने परमेश्वरके मण्डलीसब स्त्रीसबके माथ उघार रखबाक अनुमति नहि दैत छी।17आब, हम अहाँसबके एकटा दोसर विषयमे आज्ञा देब' जा रहल छी, आ एहि विषयमे हम अहाँसबके प्रशंसा नहि करब। किएकत' जखन अहाँसब विश्वासीसब एकठाम जमा होइत छी त' दोसर संगी-विश्वासीके मदतिके बदला हानि करैत छिऐ।18पहिन बात जे हम कहब: किछु लोकसब हमरा कहने अछि जे जखन अहाँसब विश्वासीसबके समूह परमेश्वरके आराधना करएलेल एकठाम जमा होइत छी त' अहाँसब प्रतिद्वन्दी समूहसबमे विभाजन भ' जाइत छी। हमरा ई बात कनिका सांचो बुझाइए।19हम विश्वास करैत छी किएकत' अहाँसबमे फुटो होएनाइ आवश्यके अछि। एहि तरहें' ई स्पष्ट भ' सकए जे अहाँसबके समूहमे परमेश्वर केकरासबके स्वीकारयोग्य बुझति अछि।20एहि विभाजनसबके कारणे, अहाँसब वास्तवमे प्रभु-भोज नहि खा रहल छी जखन अहाँसब विश्वासीसब एकठाम जमा भ' क' खाइत छी।21अहाँसब भोजन करैत कालमे, किछु लोक दोसरके भोजन मिल' स' पहिने अपने भोजन कर' लगैत छी। जाहिस' किछु लोकके पर्याप्त भोजन नहि भेटैत अछि, त केओ पीबक' मातल रहैत छी।22अहाँसब एना व्यवहार करैत छी ई जनितो जे अहाँसब अपन घरमे भोजन खा सकैत छी आ दाखमद्य पीबि सकैत छी। एना करैत छी तथापि, अहाँसब परमेश्वरके मण्डलीके एना तुच्छ मानैत छी। खास क' क' अहाँसब ओहि लोकके नीचा देखबैत छी जेकरालग अहाँस' कम अछि। हम की कहब से अहाँसबके पहिनेस' बुझबाक चाही। एहन काजसबके लेल हम अहाँसबके बड़ाइ नहि करब। हम निश्चय एना नहि करब!23हम अहाँसबके पहिनहि कहने छी जे हम प्रभुस' सिखली जे जाहि राति यहूदा प्रभु यीशुके ओहि अधिकारीसबके हाथमे सोंपि देलक जे हुनका मारि देलक, ओहि राति यीशु एकटा रोटी लेलथि।24ओ ओहि रोटीके लेल परमेश्वरके धन्यवाद देलथिन, आ ओकरा तोड़िक' ओ अपन चेलासबके देलथिन जे ई ओसब खा' लेथि। तब ओ कहलथि, “ई रोटी हमर शरीर अछि, जे हम अहाँसबके लेल चढ़ाब' जा' रहल छी। हम जे कएने छी से अहाँसब दोहराक' करैत रहू, जे अहाँसबके मोन रहत जे हम स्वयंके अहाँसबलेल कोना अर्पित क' रहल छी।”25जेना ओ रोटी लेने रहथि ओहिना ओसब रोटी खएलाके बाद, ओ दाखरसके कटोरा लेलथि। ओ कहलथि, “ई दाखके कटोरा नव करार अछि जे हम अपन लेहू' शुरुआत क' रहल छी। जे हम कएने छी अहाँसब दोहराएब जहिया-जहिया अहाँसब एहि दाखरसके कटोरास' पीबि जे अहाँसबके मोन रहए जे हम स्वयंके अहाँसबके लेल कोना अर्पित क' देली।” 26एकर अर्थ अछि जे जाधरि प्रभु घुरिक' नहि आओत, ताधरि अहाँसब एहि रोटीके खा क' आ एहि कटोरामेस' पीबिक' प्रभु भोजमे सहभागी होएब, एनाक' प्रभु मरल रहथि से घोषणा करैत छी।27एहिलेल, केओ, जखन प्रभु भोजमे सहभागी होइत काल एहि तरहें सहभागी होएत मसीहके देहके अनादर करैत अछि। परमेश्वर ओकरासबके दोषी ठहरौताह जेना ओसब प्रभुके शरीर आ लेहूके विरुद्ध काज कएने अछि।28एहिस' बचएलेल, विश्वासीसब कोना व्यवहार करैत अछि से स्वयंके जांच करैक। तब, ओसब रोटी खा सकैत अछि आ कटोरास' दाखरस पीबि सकैत अछि।29अहाँसबके ध्यान रखबाक चाही जे अहाँसब कोना व्यवहार क' रहल छी, किएकत' किछु लोकसब प्रभु-भोज खाइत-पिबैत त' अछि मुदा, ओसब ई जांच नहि करैत अछि जे परमेश्वर विश्वासीसबके प्रभुके शरीरमे एतेक निकट क' देने छथि जेना ओसब प्रभुएके शरीर होइक। प्रभु-भोज जेना लोकसब खाइत-पिबैत अछि ओहिके कारण परमेश्वर ओकरासबके न्याय करताह।30किएकत', अहाँसबके समूहमे लोकसब एहन अनुचित तरीका व्यवहार कएने अछि, तएं ओहिमेस' बहुते लोक बेमार अछि आ किछु लोक मरिओ गेल अछि।31तएं, हम विश्वासीसबके अपने स्वयंके जांच करबाक चाही जे प्रभु भोजमे सहभागी होअएस' पहिने केहन व्यवहार करैत छी। तब, परमेश्वर हमरासबके न्याय नहि करताह।32मुदा, जहिया प्रभु हमरासबके न्याय करताह, त' ओ हमरासबके सुधार कर' लेल करताह। एहि तरहें, जहिया परमेश्वर मसीहमे विश्वास नहि करएबलासबके दोषी ठहरौताह त' ओहिमे संसार संगे हमरासबके सामेल नहि करताह।33अन्तमे, हमर संगी-विश्वासीसब, जहिया-जहिया अहाँसब प्रभु-भोज खाएलेल जमा होइत छी, त' अहाँसबके ताधरि खाएब शुरु नहि करबाक चाही जाधरि सब केओ भोजन आ पीबएलेल नहि मिलि जाइक।34जे केओ बेसी भूखल अछि जे ओ सबके भोजन कर' स' पहिने आ सब केओ भोजन आ पीबएलेल पाबएस' पहिने ओ खाएके शुरु क दैत अछि ओहन लोक अपन घरेमे भोजन करए। एहि तरहें, जखन अहाँसब विश्वासीसब एकठाम जमा होएब, त' परमेश्वर अहाँसबके दण्डित नहि करताह। जतेक हमरा कहबाक चाही ओतेक हम नहि कहने छी। तएं ओहि बातसबके विषयमे जहिया हम अहाँसबलग आएब।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.