2 Timothy2
1अहाँ हमर बालक, एहिलेल, ओहि अनुग्रहमे मजगूत होउ जे मसीह यीशुमे अछि।2आ जे किछु अहाँ हमरास' बहुते गवाहसबके संग जे किछु सुनली, से बातसब विश्वासयोग्य लोकसबके सोंपि दिऔ जे दोसरोके सिखाबएके योग्य होइक।3यीशु मसीहके नीक सैनिक जकां हमरा संगे-संगे कष्ट उठाउ।4सैनिक भ' क' सेवा करएबला कोनो आदमी जीवनके ओहि काजसबमे नहि ओझराति अछि, जे ओ ओकरा भर्ती करएबलाके प्रसन्नक' सकए।5संगहि, जं केओ प्रतिस्पर्धा करैत अछि, आ जं ओ विधिवत प्रतिस्पर्धा नहि कएने अछि, त' ओकरा मुकुट नहि पहिराओल जाइत अछि। 6मेहनती किसानके फसलमेस' पहिने भेटबाक चाही।7हम जे कहैत छी ओकरा विषयमे सोंचू, किएकत' प्रभु अहाँके सब बातसबमे समझ देथि।8यीशु मसीहके स्मरण करु, जे मरलसबमेस' जीवि उठलथि, दाऊदके वंशजस', जे सुसमाचार हम प्रचार करैत छी ताहि अनुसार,9किएकत' हम सुसमाचार प्रचार करैत छी, हम अपराधी जकां झिझिरमे बान्हल छी। मुदा परमेश्वरके वचनके बान्हल नहि जा सकैत अछि।10एहिलेल, हम परमेश्वरद्वारा चुनलसबके लेल सब किछु सहैत छी, किएकत' ओहो अनन्त महिमाके संग उद्धार पाबि सकए जे मसीह यीशुमे अछि।11ई वचन विश्वासयोग्य अछि: “किएकत' यदि हमसब मसीहके संग मरि गेल छी, त' हमसब हुनकासंग रहबो करब।12जं हम सहैत छी तखन हमसब सेहो हुनकासंग शासन करब। जं हम हुनका अस्वीकार करैत छी, त' ओहो हमरासबके अस्वीकार मना क' देथि।13यदि हमसब अविश्वासयोग्य छी, त' मसीह विश्वासयोग्य रहैत छथि, किएकत' ओ स्वयंके अस्वीकार करएमे योग्य नहि छथि।” 14परमेश्वरके लोकसबके ई बात स्मरण कराएब, ओकरासबके परमेश्वरके सोझा चेतावनी दिऔ जे ओ कोनो शब्दके विषयमे झगड़ा नहि करए; ई सुनएबलाके लेल विनाश आ केकरो फायदाके नहि अछि।15स्वयंके परमेश्वरके ग्रहणयोग्य होएबाक लेल सत्यके वचनके सही तरीकास' काममे लाबएबला, बिना लजाएल एकटा काज करएबला प्रस्तुत करबाक प्रयास करु।16मुदा व्यर्थके बकवादस' बंचू, किएकत' ओ सबलोकके परमेश्वरस' आओर दूरक दैत अछि,17आ एहि प्रकारके शिक्षासबके बात सड़ल घाव जंका पसरि जाएत, ओहिमेस' हुमिनयुस आ फिलेतुस अछि,18जे सत्यके विषयमे निशानास' चुकि गेल अछि, ओसब कहैत अछि जे पुनरुत्थान भ' गेल अछि, आ किछु लोकके विश्वासके नाश क' रहल अछि।19तइयो, परमेश्वरके पक्का नओ खड़ा अछि, एहि छापक संग: “प्रभु ओकरासबके जनैत छथि जे हुनकर अछि” आ “जे केओ प्रभुके नाम लैत अछि, ओ अधर्मस' हटल रहैक।” 20आब कोनो नमहर घरमे मात्र सोना आ चानीके बर्तन नहि होएत अछि, बल्कि काठ आ माटिके सेहो, आ दुनू किछु आदरके लेल आ किछु अनादरके लेल होएत अछि।21एहिलेल, यदि केओ एहिस' स्वयंके शुद्ध कएने अछि, त' ओ आदरके बर्तन होएत, पवित्र कएल गेलाके बाद, मालिकके लेल जे परमेश्वर छथि, उपयोगी, सब नीक कामके लेल तैयार कएल गेल अछि।22एहिलेल युवा अवस्थाके वासना स' दूर भागू, आ ओकरासबसंगे जे शुद्ध मनस' प्रभुके पुकारैत अछि, धार्मिकता, विश्वास, प्रेम, शान्तिके लक्ष्य बनाउ।23मुदा मूर्खइ आ अज्ञानताके प्रश्नसबके उपेक्षा करु, ई बुझिक' जे ईसब झगड़ाके जन्म दैत अछि।24मुदा प्रभुके दासके झगड़ा नहि करबाक चाही, बल्कि सबके संग कोमल, सिखाबएमे सक्षम, आ सहनशील, रहबाक चाही।25नम्रतास' ओकरासबके शिक्षा दिअके चाही जे ओकर विरोध करैत अछि। परमेश्वर शायद ओकरासबके सत्यके ज्ञानके लेल पश्चाताप देथि,26आ ओसब फेरुस' शैतानके जालस' बचएके लेल सचेत भ' जाए, ओकरासबके इच्छाके ओकरासबद्वारा बन्दी बनालेल गेलाके बाद।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.