Matthew16

1किछु समय बाद, यीशुके जांच करबाक लेल किछु फरिसी आ सदुकी हुनकालग आएल। ओसब हुनका कहलकनि, “हमरासबके स्वर्गस' चमत्कार देखा दिअ जे वास्तवमे अहींके हमरासबलग पठौने छथि! हमरासबके परमेश्वर दिसस' कोनो चेन्ह देखाउ!”2ओ ओकरासबके कहलथि, “हमरासबके देशमे, सांझमे आकाश यदि लाल होइत अछि, त हमसब कहैत छी जे काल्हिके मौसम ठीक रहत।3मुदा आकाश लाल जं भोरमे होइत अछि त कहैत छिऐ जे आइके मौसम हवा बिहारिबला होएत। आकाशके चेन्ह देखक' अहाँसब जांचि सकैत छी जे मौसम केहन होएत, मुदा जं अहाँसब एहि बातसबके देखैत छी जे एहि समय अहाँसबके चारुभर भ' रहल अछि, त अहाँसब नहि बुझि सकैत छी जे ईसब कोनो बतबैत अछि जे परमेश्वर करएबला छथि।4तोंसब एहि पीढ़ीके व्यभिचारी आ दुष्टलोकसब छे जे परमेश्वरस इमानदारीस' प्रेम नहि करैत छे। अहाँसब एकटा चेन्हक खोजमे छी, मुदा हम अहाँसबके एकटा चेन्ह देब जे अछि योना प्रवक्ताके चेन्ह।” आ तब यीशु आ हुनक चेलासब ओकरासब लगस' चलि गेलाह।5जं ओसब गलीलके झीलके दोसर काटए पहुंचलथि, त चेलासबके लगलै जे ओसब अपनासंगे रोटी लेब बिसरि गेल अछि।6ओहि समय, यीशु ओकरासबके कहलथि, “सावधान रहू जे अहाँसब ओहि खमीरके नहि स्वीकार करब जे फरिसी आ सदुकी अहाँसबके देब चाहैत अछि।”7ओसब अपनामे ई कहैत चर्चा करैत छल जे यीशुके एना कहबाक की अर्थ भ' सकैत अछि, “ओ एना एहिलेल कहने होथि जे अपनासब रोटी लेब बिसरि गेल छी।”8मुदा यीशु जनैत छलथि जे ओसब की चर्चा करैत छनि आ ओकरासबके कहलथि, “यौ अल्प विश्वासीसब, हम निराश छी जे अहाँसब सोंचैत छी जे एना एहिलेल अछि जे हम फरिसी आ सदुकीसबके खमीरके विषयमे बात कएलहुं किएकत अहाँसब रोटी लाबए बिसरि गेल छी। अहाँसब हमरापर कनिके विश्वास करैत छी।9हम निराश छी जे अहाँसब एहिके महत्व नहि बुझति छी, आ ने अहाँसबके मन रहए जे जं हम पांच रोटीस' 5,000 लोकसबके करएने छलहुं। एतधरि जे अहूंसब कतेक टोकरी उबरल भोजन बटोरने रही!10ने अहाँसब एहिके महत्व बुझति छी ने मन रखैत छी जं हम सात रोटीस 4,000 लोकके भोजन करएने छलहुं। तखनो अहाँसब बहुते टोकरीमे उबरल भोजन बटोरने रही!11अहाँसबके ई बुझबाक चाही जे हम वास्तवमे ओहि रोटीके विषयमे नहि बातक' रहल छलहुं। फरिसी आ सदुकीसबके खमीरके स्वीकार नहि करु।”12तब चेलासबके बुझएमे अएलनि जे यीशु रोटीके खमीरके विषयमे नहि बात करैत छलाह। बल्कि, ओ त फरिसी आ सदुकीसबके गलत शिक्षाके विषयमे बात करैत छलाह।13जं यीशु आ हुनकर चेलासब कैसरिया फिलिप्पी नगरके लगके प्रान्तमे पहुंचलाह, त ओ ओकरासबके पुछलथि, “लोकसब की कहैत अछि जे हम, मनुष्यक पुत्रके छी?”14ओसब उत्तर देलक, “किछु लोक कहैत अछि जे अहाँ बपतिस्मा देबएबला यूहन्ना छी, फेरुस जीवित भ गेल अछि। दोसर कहैत अछि जे अहाँ एलियाह प्रवक्ता छी, जे परमेश्वरके प्रतिज्ञा अनुसार स्वर्गस आएल छी। किछु लोक इहो कहैत अछि जे अहाँ यर्मियाह प्रवक्ता वा बहुत पहिनुका प्रवक्तासबमेस कोनो छी, जे फेरुस जीवि उठल छी।”15यीशु ओकरासबके पुछलथि, “मुदा अहाँसब की कहैत छी जे हम के छी?”16सिमोन पत्रुस हुनका उत्तर देलक, “अहाँ मसीह छी! एकमात्र सत्य जीवित परमेश्वरके पुत्र छी।”17तब यीशु ओकरा कहलथि, “हे सिमोन योनाके पुत्र, पत्रुस, ई बात कोनो मनुष्य अहाँपर प्रगट नहि कएने अछि बल्कि परमेश्वर हमर पिता जे स्वर्गमे छथि, अहाँपर ई बात प्रगट क' क' अहाँके आशीष देने छथि। किएकत लेहू आ मासु अहाँके ई बात प्रगट नहि क' सकैत अछि।18हम अहाँके कहैत छी: अहाँ पत्रुस छी, जेकर अर्थ ‘चट्टान’ होइत अछि। आ हम एहि ‘चट्टान’ पर अपन मण्डली बनाएब, आ मृत्युके शक्ति सेहो एहिके विरुद्ध ठाढ़ होएबाक साहस नहि करत।”19फेरु ओकरा कहलथि, “हम अहाँके स्वर्गके राज्यके कुंजी द' देब, आ अहाँ पृथ्वीपर जे किछु बान्हब से स्वर्गमे बान्हल जाएत आ पृथ्वीपर जे किछु खोलब त' स्वर्गमे सेहो खोलल जाएत।”20तखन यीशु अपन चेलासबके चेतावनी देलथिन जे ओसब केकरो नहि कहए जे ओ मसीह छथि।21ओहि समयस, यीशु मसीह चेलासबके शिक्षा देब लगलथि जे हुनकालेल यरूशलेम नगर जाएब कतेक महत्वपूर्ण अछि। ओतएके शासकसब, बूढ़-पुरान, मुख्य पुजारी आ यहूदी व्यवस्थाके शिक्षकसब हुनका बड्ड कष्ट देतनि आ मरबा देतनि। तब ओकर तेसर दिन, ओ फेरुस जीवित भ' जएताह।22मुदा पत्रुस यीशुके एक दिस ल' जाक' एहि बातसबके लेल हुनका डांटए लागल। ओ कहलकनि, “यौ प्रभु, परमेश्वर एना कहियो नहि होए दिए!”23तखन यीशु घुमिक पत्रुस दिस देख ओकरा कहलथि, “हमरा नजरिस दूर भ जाउ! किएकत अहाँद्वारा शैतान बाजि रहल अछि आ हमरास' पाप करबाबएके प्रयास क' रहल छी। अहाँ ओ नहि सोंचि रहल छी जे परमेश्वर सोंचैत छथि मुदा ओ सोंचैत छी जे लोक सोंचैत अछि!”24तब यीशु अपन चेलासबस' कहलथि, “अहाँसबमेस केओ यदि हमर चेला बनए चाहैत अछि, अहाँसबके अपन इच्छाके उपेक्षा करए पड़त। अहाँसबके अपराधी जकां पीड़ा सहबाकलेल सेहो तैयार रहए पड़त, जेकरा ओसब ओहि स्थान धरि क्रूस उठाक' लए जएबाक लेल विवश करत जत ओकरा क्रूसपर चढ़ाएल जाएत। जे केओ हमर चेला बनए चाहैत होइक, ओकरा एहिना करए पड़त।25अहाँसबके एना एहिलेल करए पड़त, किएकत जे लोक हमर होबएस' अस्वीकार क' क' अपन जीवन बचाबएके प्रयत्न करैत अछि, ओसब दिस हमर साथ नहि रहत। मुदा जे लोक हमर चेला होएबाक कारणस मरि जाएत, ओ सदिखन हमर साथ रहत।26किएकत' एहिस' केकरो अनन्तकालधरि लाभ नहि होएत जे एहि समय ओकर जीवन बचाएल जाइक, आ फेरु परमेश्वरद्वारा ओ मरलाके बाद दण्ड देल जाइक। किएकत एहि संसारमे एहन कोनो वस्तु नहि अछि, जे ओहि दामके बरोबरि होइक, जे परमेश्वर कोनो व्यक्तिके जीवनपर लगबैत छथि।27हम, मनुष्यक पुत्र, अपन पिताके महिमामे, हुनकर स्वर्गदूतके संग फेरुस आएब। तेकरबाद, जे काज लोकसब कएने अछि जे हुनका प्रसन्न कएने अछि आ हुनका अप्रसन्न कएने अछि, ओहिके आधार पर ओकरासबके न्याय करतथि।28हम अहाँके सांच्चे कहैत छी! अहाँसबमे जे एत छी, अहाँसबके मरएस' पहिने हमरा, मनुष्यक पुत्रके हुनकर लोकपर शासन करबाक लेल अबैत देखबै।”

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67