Luke14

1एक विश्राम-दिन, यीशु भोजन करबाक लेल फरिसीसबके एकटा अगुवाके घर गेलाह। ओ फरिसीके अगुवा आओर फरिसीसबके सेहो नौता देने रहैक। ओ नौता देनिहार आ ओकर संगी सबगोटे यीशुपर आरोप लगएबाक कोनो आधारके खोजएलेल बड़ ध्यानस' देखैत रहल।2ओतए यीशुक सामने एकटा एहन आदमी छल जेकरा एकटा एहन बेमारी रहए जाहिस' ओकर हाथ-पयर बहुत फुलि गेल छल।3यीशु यहूदी व्यवस्थाके शिक्षक आ फरिसीसबस' पुछलनि, “की व्यवस्था अनुसार लोकसबके विश्रामक दिन ठीक करबाक अनुमति दैत अछि वा नहि?”4ओसब कोनो जबाब नहि देलकनि। तएं यीशु ओहि आदमीपर हाथ राखिक' ओकरा ठीक क' देलथिन। तखन ओ ओहि आदमीके कहलनि की अहाँ जा' सकैत छी।5ओतए उपस्थित आन लोकसबके पुछलनि, “अहाँसबमेस' केकरो बेटा वा बैल विश्राम-दिन इनारमे खसि पड़ए, त' की अहाँसब ओकरा तुरन्त नहि निकालब?”6फेरु ओसब ओहि बातके उत्तर देबएमे असमर्थ भेल।7यीशु ध्यानस' देलथिन जे जेकरासबके भोजमे नौता देल गेल छल, ओसब बैसबाक स्थानके चुनैत छलनि जत पैघ लोकसब बैसल अछि। एहिलेल ओ ओकरासबके ई दृष्टान्त कहलखिन।8“जखन केओ अहाँसबमेस' केकरो विवाह क भोजमे बजबैत अछि, त' जत महत्वपूर्ण लोक बैसल होथि, ओतए नहि बैसब। भोजमे अहाँस' बेसी महत्वपूर्ण केकरो बजौने होएताह।9जखन अहाँ दुनूगोटेके बजौनिहार व्यक्ति देखताह जे अहाँसबमेस' प्रत्येक व्यक्ति कत बैसल छी, त' ओ अहाँसबके कहताह जे एहि व्यक्तिके अपन आसनपर बैसि दिऔ!' तखन अहाँके दोसर ठाम बैसए पड़त आ अहाँके लज्जित सेहो होबए पड़त।10केओ जखन कोनो भोजमे निमन्त्रित करैत अछि त' कम महत्वपूर्ण जगहपर जा' क' बैसि जाउ। निमन्त्रित करएबला व्यक्ति आओत, तब अहाँके कहत जे आउ मित्र, आ सबस' आदरके आसनपर बैसू! तखन जे सब अहाँके संग भोजन क' रहल अछि से देखत जे ओ अहाँके कतेक सम्मान क' रहल छथि। 11किएकत' परमेश्वर स्वयंके उंच करएबलासबके नम्र करताह, आ स्वयंके नम्र करएबलाके पैघ बनौताह।”12यीशु ओहि फरिसीके सेहो कहलनि जे हुनका भोजमे नौता देने छलनि, “जखन अहाँ लोकके भोजनके लेल नौता देब, तखन मात्र अपन मित्र, परिजन वा धनीक पड़ोसीके मात्र नहि बजाउ, किएकत' बादमे ओसब अहाँके भोजमे आमन्त्रित क' क' बदलामे अहूंके भोजन खिआ देत।13तएं जखन भोज करब तखन गरीब, अपांग, नांगर वा आन्हरके बजाएब।14जं अहाँ एना करब त' परमेश्वर अहाँके आशीष देताह, किएकत' ओ लोकसब अहाँके बदला नहि चूका सकत। अहाँ निश्चिन्त भ' सकैत छी जे परमेश्वर जहिया धर्मीसबके जीवित करताह, तहिया अहाँके एहिके बदला देल जाएत।”15हुनकासंग भोजन करएबलामेस' एकगोटे हुनका ई कहैत सुनलनि, “परमेश्वर सांच्चे ओकरेसबके आशीष द' देलनि अछि जे ओतए मनाबएमे सक्षम होएत जहिया राजाक रुपमे परमेश्वर सबकिछुपर शासन करताह!”16यीशु हुनका एकटा दृष्टान्त कहिक उत्तर देलनि, “एकबेर एक आदमी एकटा पैघ भोजके तैयारी करैत रहए। ओ बहुते लोकके आबएलेल बजौलनि।17जखन भोजक तैयारी भ' गेल, त' जेकरासबके ओ नौता देने रहैक ओकरासबके बिझो कराबएलेल अपन दाससबके पठौलनि, सबगोटे आएल जाउ, दाससब बिझो करबैत गेल!”18मुदा जखन दास बिझो करबैत रहए त, सबगोटे कहए लागल जे ओसब किएक नहि आबि सकैत अछि, पहिन व्यक्ति जेकरालग दास पहुंचल से कहलक: हम एखने एकटा खेत मोल लेलहुं आ हमरा ओहि खेतके देखबाक लेल जाएब आवश्यक अछि। कृपया हम नहि आबि सकब तएं हुनका क्षमाक' देबएलेल विनती करि रहल छी!19दोसर आदमी कहलक: हम एखनहि पांच जोड़ी बैल किनने छी, आ ओकरा खेतमे जांचए आ फेरए जाए पड़त। हे अपन मालिकस' आग्रह करबनि जे हमरा माफ क' देथि।20एकटा आओर व्यक्ति दासके कहलनि: हम एखने विवाह नहि कएलहुं, एहिलेल हम नहि आबि सकैत छी।21तएं ओ दास अपन मालिक लग घुरिक' गेल आ सबके कहब हुनका सुना देलक। घरक मालिक बहुत तमसा गेलाह आ अपन नोकरके कहलनि, “जल्दीस' शहरके गली आ सड़कसबपर जाउ, गरीब, अपांग, आन्हर आ नांगरके ताकिक' एत हमरा घरमे आनू!”22तेकरबाद ओ दास चलि गेल आ ओहिना कएलक, आ ओ घुरिक' आएल आ कहलक यौ मालिक, अहाँ जे कहलहुं से हम क' लेलहुं, मुदा घरमे एखनो आओर लोकक लेल जगह अछि।23तएं मालिक दासके कहलनि, “तखन फेरु नगरके बाहर चलि जाउ। राजमार्ग पर लोकके खोजू। आरि-धुरपर सेहो खोजू। ओहि ठाम रहनिहार लोकसबस' जोरदार आग्रह करब जे ओसब हमर घर अबथि। हम चाहैत छी जे ओहि लोकसबस' हमर घर भरि जाए!24एहिके बाहेक हम अहाँके कहैत छी, जेकरा हम पहिने नौतने रही, से सब भोजके आनन्द नहि ल' सकैत अछि, किएकत' ओसब आबएस' मना क' देलक।”25यीशुक संग लोकक बड़का भीड़ यात्रा क' रहल छल। ओ लोकसब दिस घुमिक' कहलनि,26“जं केओ हमरालग अबैत अछि आ जे हमरास' बेसी अपन माय-बाबू, पत्नी, बच्चा आ भाइ बहिनस' प्रेम करैत अछि त' ओ हमर चेला नहि भ' सकैत अछि। ओकरा अपन जीवनस' बेसी हमरास' प्रेम कर' पड़तैक। 27जे अपन क्रूस नहि उठबैत अछि आ हमर आज्ञा नहि मानैत अछि से हमर चेला नहि भ' सकैत अछि।28अन्तमे, जं अहाँसबमेस' केओ नमहर भवन बनएबाक इच्छा रखैत छी, त' पहिने बैसिक' ई तय करत जे कतेक खर्च होएत।29नहि त' जं अहाँ नओ खनिक' बांकी काज समाप्त करबामे असमर्थ होएब, त' जे देखत से अहाँपर हंसत।30ओसब कहत, ‘ई आदमी बनएनाइ शुरु त' कएलक, मुदा पूरा करबामे असमर्थ रहल!’31वा मानि लिअ जे कोनो राजाक सेनामे दस हजार सिपाही अछि। आ मानि लिअ जे एकटा आओर राजा हुनकापर आक्रमण करएलेल आबि रहल अछि जेकरालग बीस हजार सिपाही अछि। तएं अपन सेनाके लड़बए लेल निकलस' पहिने ओ राजा निश्चितरुपस' अपन सलाहकार सबसंगे बैसि ई तय करत जे ओ दोसर राजाक सेनाके पराजीत' सकैत अछि वा नहि।32मानि लिअ जे ओ ई निश्चय कएने अछि जे ओकर सेना दोसर सेनाके नहि पराजीत क' सकत। तखन ओ ओहि दोसर राजालग दूत पठाओत जखन जे ओकर सेना एखनो दूरे अछि। ओ अपन दूतसबके ई पुछबाकलेल विनती करत, ‘अहाँसंग मेल-मिलाप करबाक लेल हम की करी?’33तएं, जाधरि अहाँसबमेस' केओ पहिने ई निर्णय नहि लेब जे अहाँसबलग जे किछु अछि, तेकरा छोड़एलेल तैयार छी, ताधरि अहाँसब हमर चेला नहि बनि सकैत छी।”34यीशु इहो कहलनि, “अहाँसब नून जकां छी, जे बहुत उपयोगी अछि। मुदा जं नूनक स्वाद खतम भ' जाएत त' फेरु कोनाक ओकरा नूनगर बनाओल जाएत।35यदि नूनमे नूनक स्वाद नहि रहत, त' एकर कोनो काज नहि अछि, ने जमीनक लेल आ ने खाधिक लेल। लोक ओकरा फेक दैत। अहाँसबके नीक जकां सोंचब चाही जे बात एखनहि हमरा कहैत सुनने छी!”

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67