इब्रानी12
1जखन गवाहसबके एतेक विशाल समूह अपनासबके घेरने अछि, त हमरासबके सेहो परमेश्वरपर भरोसामे अडिग रहबाक आवश्यकता अछि। एकरा करएलेल हमरासबके पाप करए छोड़एके जरुरति छै आओर एहन कोनो वस्तु से बचएके जरुरति छै जे हमरासबके बाधा पैदा करी सकैत छै।2हमरासबके यीशुपर ध्यान देबाक आवश्यकता अछि, जे हमरासबके पहिन बेर परमेश्वरपर भरोसा करबामे सक्षम बना दैत छथि आ फेरु मरबा धरि ई काज करबामे सक्षम छथि। जखन ओ क्रूसपर मरि गेलाह तखन ओ दृढ़तापूर्वक ठाढ़ रहलाह, आ हुनका एहि बातक कोनो चिन्ता नहि छलनि जे ओ लाजस' मरि गेलाह। ओ ओहि तरहें काज कएलनि कारण हुनका बुझल छलनि जे परमेश्वर हुनका बादमे आनन्दित करताह। आब, ओ परमेश्वर पिताक' संग छथि, जत ओ सिंहासनपर बैसि शासन करैत छथि। 3अहाँसबके यीशुक विषयमे सोंचब चाही, जे पापी लोकसब हुनकास' झगड़ा करैत काल सेहो दृढ़तापूर्वक ठाढ़ रहलाह, जखन की ओसब मात्र स्वयंके चोट पहुंचबैत छलाह। एहि तरहें अहाँ भितर मनस' मजगूत भ' सकैत छी आ दृढ़तापूर्वक काज क' सकैत छी।4एखन धरि अहाँसब अधलाहके विरोध करैत आ पापस' बचबाक लेल मेहनति करैत सेहो नहि मरि सकलहुं।5संगहि, अहाँसब ई मोन नहि राखि सकलहुं जे सुलेमान अपन बेटासबके की करबाक लेल प्रेरित कएने छलाह, जे अहाँसबपर सेहो लागू होइत अछि। सुलेमान ई बात लिखने छथि: “हमर बच्चासब, जखन प्रभु अहाँसबके प्रोत्साहित करताह त' ध्यान राखू आ सिखू। असलमे जखन ओ अहाँके सुधारत तखन दृढ़तापूर्वक ठाढ़ रहू।6अहाँसबके ई काज करबाक चाही किएकत' प्रभु परमेश्वर जे केओ प्रेम करैत छथि, तेकरा प्रशिक्षित करैत छथि। असलमे ओसब बच्चाके कठोरतास सुधारैत छथि जे ओ अपन कहैत छथि।” 7अहाँसबके धैर्य रखबाक आवश्यकता अछि जाहिस' परमेश्वर अहाँसबके प्रशिक्षित क' सकथि। परमेश्वर एहि तरहें अहाँक प्रति काज करैत छथि किएकत' अहाँ हुनकर सन्तान छी। अहाँ ई बात सही कहि सकैत छी कारण जे माय-बाबू सदिखन अपन बच्चाके प्रशिक्षित करैत छथि।8मुदा जं अहाँसब ओहिके ताड़ना रहित छी, जेकरा सब मनुष्य भागि होएत अछि, तखन अहाँसब व्यभिचारके सन्तान छी, हुनकर बेटासब नहि।9संगहि, हमरासबहक शारीरिक पिता हमरासबके बचपनमे अनुशासित करैत छलाह आ हमसब हुनकासबके आदर करैत रहिऐ। जं अपनासबके आत्मिक पिता अर्थात् परमेश्वर अपनासबके अनुशासित करैत छथि त' अपनासबके एहिके आओर बेसी स्वीकार करबाक चाही। एहि तरहें, हमसब सदाके लेल जीवित रहब।10संगहि, हमरासबहक मनुष्यक माय-बाबू हमरासबके किछु समयक लेल एहन तरीकास' प्रशिक्षित कएलनि जे हुनकासबके उचित बुझाति छलनि। तथापि, हमर पिता परमेश्वर हमरासबके एहन तरीकास अनुशासित करैत छथि जे हमरासबके लेल पवित्र अछि। ओहि तरहें हमसब एहन लोक बनि जाइत छी जेकरा ओ अलग क' देने छथि, ठीक ओहिना जेना ओ स्वयंके अलग कएने छथि।11जखन-कखनो परमेश्वर हमरासबके प्रशिक्षित करैत छथि तखन हमसब खुशीके बदला दुखित होइत छी। मुदा, एकबेर जखन हमसब बुझि लैत छी जे परमेश्वर हमरासबके कोना प्रशिक्षित क' रहल छथि, तखन हमसब धार्मिकतास' शान्तिके सही काज करबामे सक्षम भ' जाइत छी।12एहि सबहक कारणे अहाँसबके परमेश्वरपर भरोसा करबाक लेल स्वयंके तैयार करबाक आवश्यकता अछि, ठीक ओहिना जेना धावक अपन थाकल लासके दौड़ैत रहबाक लेल तैयार करैत छथि। 13जेना धावक सोझ बाटपर दौड़ए मे ध्यान दैत अछि, तहिना अहाँके परमेश्वरपर भरोसा आ आज्ञापालन पर ध्यान देबाक आवश्यकता अछि। ओहि तरहें जे केओ आत्मिकरुपस' कमजोर अछि ओ परमेश्वरपर विश्वास करब नहि छोड़त, बल्कि हुनकापर बेसीस' बेसी भरोसा करत। 14अहाँसबहक संग शान्तिपूर्वक रहबाक सब उपाय करु। संगहि, अहाँके प्रयास करबाक चाही जे परमेश्वरलेल स्वयंके अलग करु। जं' अहाँ ई काज करब तखने अहाँ अन्तिममे प्रभुसंगे रहि सकब। 15ई सुनिश्चित करु जे परमेश्वरके अनुग्रह अछि से अहाँक संगी-साथीसबके पूर्णरुपस' भेटए। सावधान केओ जे आक्रामक व्यवहार शुरु क' संगी-विश्वासीके परेशान करैत अछि। एहि कड़ुवाहटिके जड़ि आन विश्वासीके सेहो अशुद्ध करबाक प्रेरणा पाबि सकैत अछि। 16आ केओ एसाव जकां व्यभिचारी वा अधर्मी नहि होएब, जे एक छाक भोजनक लेल अपन जेठ बेटाके अधिकार बेच देलक। 17अहाँसबके एसाव जकां बनएस' बचबाक चाही, किएकत' अहाँसबके बादमे पता चलत जे हुनकासंग की भेलनि। ओ चाहैत छल जे ओकर पिता ओकरा आशीर्वाद देथिन, मुदा ओकर पिता मना क' देलथिन, किएकत ओकर पश्चाताप करबाक कोनो अवसर नहि भेटल। जेना जे अपने देखए छिऐ, एसाव जे कएलकनि ओकरा नहि बदलि सकल, बदलामे कोशिस कएलक मुदा ओहि समय ओ कानलो छल। 18जखन इजराएलीसब सिनै पहाड़पर पहुंचलाह तखन हमसब ओहि स्थानक लग नहि गेलहुं जत ओसब गेल छलाह। ओसब एकटा पहाड़ लग चलि गेल छल जेकरा ओसब हाथस महसूस क' सकैत छल। देखलक, मोटका मेघ, कारी मेघ आ तूफान। 19ओसब सुनलनि जे केओ बिगुल बजा रहल अछि आ परमेश्वरके सन्देश कहैत अछि। जखन ओसब परमेश्वरक बात सुनि ओ इजराएलीसब हुनकास' निहोरा कएलनि जे आब हुनकासबस' कोनो बात नहि बाजू। 20ओसब ई एहिलेल कएलक जे परमेश्वर हुनकासबके आज्ञा देलथिन, “अहाँसब एहि पहाड़के छुबएबला सब लोक आ जानबरके मारि दिऔ। अहाँसबके पत्थल फेकक' मारब पड़त।” 21संगहि, जखन मूसा देखलनि जे सब किछु कतेक भयानक छल, तखन ओ कहलनि, “हम डरस कांपि रहल छी!” 22उनटा अहाँसब स्वर्गीय स्थान अर्थात् सियोन पहाड़ लग चलि गेल छी। एहि पहाड़पर स्वर्गीय नगर यरूशलेम अछि जे एकमात्र जीवित परमेश्वरक अछि। एहि शहरमे बहुते स्वर्गदूत छथि जे एकसंग उत्सव मनबैत छथि।23एहि नगरमे ओसब सेहो छथि जिनकर नाम परमेश्वर स्वर्गमे लिखने छथि। ओ लोक परमेश्वरक मण्डली अछि, अर्थात् हुनकर विशेष सन्तान छथि। आ ओतए न्यायी परमेश्वर सेहो छथि, जे निर्णय लैत छथि जे सब लोक दोषी अछि वा निर्दोष। ओतए एहन लोक सेहो छथि जे परमेश्वरक आज्ञा मानने छथि। ओसब मरि गेलसबके आत्मासब, मुदा आब परमेश्वर ओकरासबके ओहिना बना देलक जे ओ चाहैत छथि। 24एहि नगरमे यीशु सेहो छथि, जिनका द्वारा परमेश्वर नव करारके मध्यस्थ कएलनि अछि। ओतए यीशुक लेहू सेहो अछि, जे हमरासबके शुद्ध करैत अछि। ओकर लेहू हाबिलके लेहूस बेसी प्रभावी छै।25ई सुनिश्चित करु जे अहाँसब परमेश्वरक आज्ञा मानू जे अहाँसबस बात करैत छथि। विचार करु जे कोना किछु इजराएली सिनै पहाड़पर परमेश्वर हुनकासबके प्रगट कएल गेल पृथ्वीपर मूसाके आज्ञा नहि मानलनि। निश्चितरुपस' परमेश्वर हुनकासबके सजाय देलनि। आब विचार करु जे परमेश्वर हमरासबमेस' ओहि व्यक्तिके कतेक दण्डित करताह जे स्वर्गस' जे किछु हमरासबके प्रगट करैत छथि ओकर पालन नहि करत।26जखन परमेश्वर सिनै पहाड़स' बजलाह त' पृथ्वी सेहो कांपि गेल। ओना एहिबेर ओ प्रतिज्ञा करैत छथि, “एकबेर फेरु हम धरती आ आकाशके हिला देब।” 27“एकबेर फेरु” शब्दके मतलब अछि जे परमेश्वर अपन सब किछुके बदलि देथिन। ओ ओहिना करत ठीक ओहिना जेना ओ ओहि सब वस्तुके सृष्टि कएने छलाह। एहि तरहें जे सब वस्तु ओ नहि हिलबैत छथि से सदा-सर्वदा लेल रहत। 28तएं हमसब एहन राज्यमे रहब जेकरा परमेश्वर नहि हिलाओत। एहि कारणे, हमरासबके परमेश्वरके धन्यवाद देबाक चाही। एहन' कएलास' हमरा परमेश्वरके' आदरपूर्वक आराधना एहन' तरीकास' करए छिऐ जेकरास' हमरा हुनका प्रसन्न होअए जाए।29हमरासबके ई आदरपूर्वक करबाक चाही, किएकत' हमसब जे परमेश्वरक आराधना करैत छी, ओ ओतबे शक्तिशाली आ उग्र आगि जकां छथि।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.