Ezra6

1तखन दारा राजा बाबेलके अभिलेखालयमे खोजि करएलेल आज्ञा देलनि। ओतहि खोजतालाश कएल गेल।2मादी प्रान्तके' अहमताके किल्लामे एकटा राजपत्रके मुठा भेटल जाहिमे ओहि विषयमे लिखल छल जे राजा जानए चाहैत छलाह। एहि राजपत्रके मुठामे एहि प्रकारे लिखल गेल छल:3“जखन राजा कुस्रू अपन साम्राज्यपर शासन करैत छलाह, तखन ओ परमेश्वरके भवनके लेल जे यरूशलेममे रहैक, एकटा उर्दी निकालने छलथि। ओ कहने छलथि जे यहूदीसबके ओहि स्थानपर एकटा भवन बनाओल जाए चाही ओसब पहिनेस' चढौना चढ़बैत आएल अछि। ओसब परमेश्वरके भवन नब्बे फिट चौड़ा आ नब्बे फिट उच्च बनबैक।4भारी भारी पत्थलस' तीन तह आ एक तह लकड़ीके होएबाक' चाही। एहि काजमे खर्च हुअएबला रकम राजकोषस' देल जाएत।5ओ सोना आ चानीके समानसबके विषयमे सेहो आदेश देलथिन जे यरूशलेमके परमेश्वरके भवनमे स' राजा नबूकदनेस्सरके समयमे बाबेल लाओल गेल रहैक। राजा कुस्रू यहूदीसबके कहलथि जे ओसब समान घुराक ल' जाउ आ यरूशलेमके मन्दिरमे ओकरा ठीक स्थानमे राखू।”6एहिके पढलाक बाद, दारा राजा यरूशलेममे यहूदीसबके नहि नीक चाहएबलाके अधिकारीसबके इहे उत्तर पठौलनि: “एहि सन्देश अहाँसबहक लेल, फरात पश्चिमके प्रान्तके राज्यपाल ततनै, शतर्बोजनै आ अहाँसबहक संगी अधिकारीसबके एहि काजस' अपने-आपके दुर राखू!7ओकरासबके परमेश्वरके भवनके पुनर्निर्माण काज कर' देल जाए, आ बाधा नहि करियौ। यहूदीयाके अधिपति आ अधिकारीसबके एहि परमेश्वरके नव भवनके पुनर्निर्माण ओहि स्थानपर कर' दिऔ जत' ओ पहिने रहैक।8ओहिके अतिरिक्त, परमेश्वरके भवन पुनर्निर्माणमे यहूदीसबहक धर्मगुरुसबके सहायता करबाक आज्ञा हम सेहो दैत छी। निर्माण काज करएलेल फरात नदीके पश्चिम प्रान्त यहूदियास' उठाएल गेल कर, आ राजकोषस' सेहो खर्च क' सकैत छी।9यरूशलेमके धर्मगुरु, पुजारी बतौतनि जे हुनकासबके कोनो कथुके जरुरी अछि। एहिमे परमेश्वरके होमबलिके लेल गाइके बच्छा, भेंड़के बच्चा आ चढौनासब भ' सकए। एहिमे गहुंम, नून, दाखमद्य आ जैतुनके तेल सेहो भ' सकए। हुनकासबके ई सामानसबके नित दिन जोगाड़ क' दिऔ।10जाहिस' ओसब परमेश्वरके प्रसन्न करएबला चढौना आ भेट चढ़ाबि सकए, आ ओसब अहाँ आ हमर बेटासबके आशीषलेल परमेश्वरस' विनती क' देथि।11एहि राजआज्ञाके नहि मानएबलासबलेल आदेश अछि जे हमर सिपाही ओकर घरमेस' एकटा खम्बा उखारिक' ओहिपर ओकरा लटका दैक। आ ओकर घरके पूरे पूरी छाउरक' ढेर बना दैक।12परमेश्वर स्वयं यरूशलेम शहरके अपन नामके आदर करबाक स्थान चुनने छथि। कोनो राजा आ जाति जे यरूशलेमके मन्दिरके तोड़ए आ बिगारएके कोशिस करत आ हमर राजाज्ञा बदलबाक' कोशिस करत तेकरा सजायके भागी बनाओल जाएत। हम राजा दारा, ई राजाज्ञा निकालने छी। एहिके पूर्णरुपस' पालन कएल जाए।”13फरात नदीके पश्चिम प्रान्तके राज्यपाल ततनै, आ शतर्बोजनै आ ओकर संगी साथीसब राजा दाराके एहन सन्देशके पढ़लनि आ तुरन्त आज्ञा मुताबिक कएलक।14एहिस' यहूदीसबके धर्मगुरुसब मन्दिर पुनर्निर्माणके काज करिते रहि गेल। प्रवक्ता हाग्गै आ इद्दोके बेटा जकर्याह जं सन्देश सुनएलक त' ओसब बहुत बेसी उत्साहित भ' गेल। इजराएलके परमेश्वरके आज्ञा आ फारसके राजासब कुस्रू, दारा, अर्तक्षत्रके उर्दीके मुताबिक ओसब मन्दिर पुनर्निर्माणके काज पूर्ण कएलक।15राजा दाराके छठम वर्षके अदार महिनाके तेसर दिन ओसब मन्दिर निर्माण काज पूरा कएलक।16तखन इजराएलके लोकसब, पुजारी, लेवी, आ बेबीलोनस' आएलसब लोकसब मन्दिरके समर्पणके उत्सव मनौलक।17परमेश्वरके एहि मन्दिरके समर्पणके उत्सवमे 100 बच्छा, 200 भेंड़ा आ 400 भेंड़के बच्चा बलि स्वरुप चढ़एलक। इजराएलीसब अपन वंशके अनुसार 12 टा खंसी चढ़एलक ताकि ओकरासबहक पाप परमेश्वर क्षमाक' देथिन।18तखन यहूदीसबहक अगुवा पुजारी, लेवीके ओकरासबके कुल अनुसार बेरा-बेरी स' परमेश्वरक मन्दिरमे सेवा करएलेल जे यरूशलेममे अछि ओकरा बांटि देल गेल। व्यवस्थामे मूसाद्वारा बहुत पहिने लिखल गेल अनुसार ओसब कएलक।  19ओसब घुरलाके पहिन महिनाके चौदहम दिन, बेबीलोनस' घुरिक' आएल यहूदीसब फसह पर्व मनौलक।20चढौना चढ़ाबएमे सक्षम होबएलेल, पुजारी आ लेवीसब पहिनेस' विधिपूर्वक स्वयंके शुद्ध कएने छल। तखन ओहि पुजारीसबके लेल, आ अपनोसबलेल आ बेबीलोनस' घुरि आएलसबके लेल सेहो फसहके मेमनाके बली चढ़एलक।  21बेबीलोनस' घुरिक' आएल इजराएलीसब अन्य जातिसबके अशुद्धता स' स्वयंके अलग क' लेलक जे ओसब यहोवा इजराएलके परमेश्वरके आराधना क' सकए आ ओसब फसहके भोजन खएलक।22ओसब हंसी खुसी अखमीरी रोटीके पर्व सात दिनधरि मनौलक। किएक त' यहोवा अश्शूरके राजाके मोन बदलिक' ओकरासबपर कृपा देखओने छलथि। परिणाम स्वरुप अश्शूरके राजा इजराएलके परमेश्वर यहोवाके मन्दिर पुनर्निर्माण करएमे सब तरहे सहायता कएलथि।

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67