Deuteronomy5
1मूसा समस्त इजराएलीके बजबाक' कहलथिन,
“हे इजराएल, आइ अहाँसबके देल गेल विधि आ विधानसब सुनू, आ ई पालन करएमे सावधानी अपनाउ।2यहोवा परमेश्वर होरेबमे हमरासबहक संग एकटा करार कएलनि।3यहोवा ई करार हमरासबहक पूर्वजसबके संग नहि, मुदा हमरासबस' जे आइधरि जीवित छी, ई करार कएलनि।4यहोवा अहाँसबस' पहाड़पर आगिमे स' सोझामे बजलाह 5हम ओहि समयमे यहोवाक' वचन अहाँसबके सुनाबए लेल, यहोवा आ अहाँसबके' बीच ठाढ़ छलहुं, किएकत' अहाँसब आगिस' डरा गेल छलहुं। आ पहाड़पर नहि चढ़लहुं। यहोवा कहलथिन,6‘हम यहोवा अहाँसबके' परमेश्वर छी, जे अहाँसबके मिस्र देश, अर्थात् दासत्वके घरस' बाहर निकालने छी।’7हमरा बाहेक आन कोनो दोसर देवी देवताके अहाँसब नहि मानब।8अहाँसब अपनालेल खोधिक' कोनो आकृति नहि बनाएब अर्थात् उपर आकाश, नीचा पृथ्वी आ पानि आ पानि भीतरके कोनो वस्तु आकारके मूर्ति नहि बनाएब।9अहाँसबके ओहि मूर्तिसबमेस' कोनोके आगु निहुरके वा पूजा नहि करबाक चाही; किएक त' हम यहोवा भस्म करएबला परमेश्वर छी। हमर अवहेलना करएबलाके पूर्वजके दुष्टताके सजाय ओकरासबहक सन्तानसबके तेसर आ चारीम पिढ़ी धरि देब,10आ हमरास' प्रेम करएबला आ हमर आज्ञापालन करएबलाके हजारो पीढ़ी पर हमर कृपा रहत।11अहाँसब यहोवा अपन परमेश्वरक नाम व्यर्थमे नहि लेब, किएकत' यहोवा ओकरा निर्दोष नहि ठहराओत जे हुनकर नाम व्यर्थ लेत। 12यहोवा अहाँसबके परमेश्वरक आज्ञाक' अनुसार विश्राम-दिनके पवित्र मानब। 13हप्तामे छह दिन धरि अहाँसब मेहनति करब आ अपन सब काज करब। 14मुदा सप्ताहके सातम दिन यहोवा अहाँसबके परमेश्वरक विश्रामक दिन अछि। एहि दिन अहाँसब कोनो काज नहि करब, नहि अहाँ, नहि अहाँके बेटाबेटी, नहि अहाँसबके दास दासी, नहि अहाँसबके बैल, नहि गदहा, आ नहि कोनो मवेशी, आ नहि कोनो शहर भीतर रहल परदेशी। ई एहिलेल अछि जे अहाँके नोकर आ नोकरनी सेहो अहाँ जकां आराम करए। 15अहाँसब मिस्र देशमे एकटा सेवक छलीह त' यहोवा अहाँसबके परमेश्वर अहाँसबके ओहि ठामस' सामर्थी हाथ आ बांहि पसरिक बाहर निकालि देलनि, से मोन राखू। एहिलेल यहोवा अहाँसबके परमेश्वर अहाँसबके विश्राम-दिन मानएलेल आज्ञा देलनि अछि।16अपन बाबु आ मायक आदर करु जेना यहोवा अहाँसबके परमेश्वर अहाँसबके आज्ञा देने छथि, जाहिस' अहाँसब ओहि देशमे बहुत दिन धरि रहब जे यहोवा अहाँसबके परमेश्वर अहाँसबके देत। 17अहाँसब हत्या नहि करब। 18अहाँसब व्यभिचार नहि करब। 19अहाँसब चोरी नहि करब।20अहाँसब अपन पड़ोसीके विरुद्ध झूठ गवाही नहि देब। 21अहाँ अपन पड़ोसीक पत्नीक लोभ नहि करब, नहि पड़ोसीक घर, ओकर खेत, आ नहि ओकर दास दासी, ओकर बैल वा ओकर गदहा आ नहि कोनो चीजक लोभ करब।22ई आज्ञा यहोवा आगि, मेघ आ घनघोर अन्हारक बीचस' सिनै पहाड़पर अहाँसबके समस्त लोकके जोरस' बजैत कहलथिन। ओ एहिमे आओर शब्द नहि जोड़लनि। ओ ईसब आज्ञा दूटा पत्थलक पाटीपर लिखक' हमरा देलनि। 23जखन अहाँसब अन्हारक बीचस' ई आवाज सुनलहुं, जखन पहाड़ जड़ि रहल छल, तखन अहाँसबके कुलक मुखियासब आ धर्मगुरुसब हमरालग आबि गेलहुं। 24अहाँसब कहलहुं, ‘देखू, यहोवा हमरासबहक परमेश्वर हमरासबके अपन महिमा आ गौरव देखौलनि, आ हमसब आगिमे स' हुनकर आवाज सुनलहुं। परमेश्वर आदमीसबस' बात कएलक तथापि आदमीसब जीविते अछि से हमसब देखलहुं। 25मुदा एतेक भयानक आगिमे भस्म भ' क' हमसब किएक मरब? कारण, जं आब यहोवा हमसब अपन परमेश्वरक आवाज आओर सुनब त' मरि जाएब। 26किएकत' जीवित परमेश्वर आगिमे स' बजैत सुनलाक बादो हमरासब जकां जीवित रहल कोन एहन मरणशील आदमी होएत? 27अहाँ जा' क' यहोवा हमरासबहक परमेश्वरक सब बात सुनिक' हमरासबके कहू। हमसब सुनिक' ओहिके' आज्ञापालन करब।’28जखन अहाँसब हमरास' बात कहलहुं तखन यहोवा अहाँसबके बात सुनलनि। ओ हमरा कहलनि, ‘ई लोकसब अहाँके जे बात कहलक हम से बात सुनलहुं। ओसब जे कहलक से नीक छल।29हमर डर मानए आ सदिखन हमरसब आज्ञापालन करएबला अहाँसबके मोन रहत त' ओकरा आ ओकरासबहक सन्तानसबके संग सदाके' लेल नीक होएतिए!30जाउ, ओकरासबके कहियौ, “अपन अपन तम्बूमे घुरिक' चलि जाउ।”31मुदा अहाँ एत' हमरालग ठाढ़ रहू आ हम अहाँके ओकरासबके सिखाबएलेल आज्ञासब, विधि आ विधानसब हम अहाँके बताएब, जाहिस' हम ओकरासबहक अधिकारमे देबएबला देशमे ओसब ई आज्ञासब, विधि आ विधान पालन करए।’ 32तएं यहोवा अहाँसबके परमेश्वर जे आज्ञा देलनि से अहाँसब पालन करब। अहाँसब दहिना आ बामा दिस नहि जाएब। 33अहाँसब ओहि बाटपर चलब जे यहोवा अहाँसबके परमेश्वर अहाँसबके आज्ञा देने छथि, जाहिस' ओहि देशमे जे अहाँसब अधिकार करब अहाँसबसंगे नीक होअए आ अहाँसबके आयु लम्बा होअए।”

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.