Deuteronomy6
1मूसा इजराएलीसबसंग आओर बजैत गेलाह जे आब अहाँसब यरदन नदीपार क' क' अधिकार कर' जा' रहल देशमे पालन करए लेल यहोवा अहाँसबके' परमेश्वरद्वारा आदेश देने आज्ञासब, विधिविधानसब इएह अछि।2जाहिस' अहाँसब यहोवा अपन परमेश्वरक आदरक' अहाँसब, अहाँसबके सन्तानसब आ अहाँसबके नाती-पोतासब जीवनभरि हुनकर विधि आ आज्ञाक पालन क' सकब जे हम अहाँसबके द' रहल छी। जाहिस' अहाँसबके जीवनके दिन नमहर होअए।3तएं, हे इजराएलीके सब, हुनकर सब बात सुनू आ ओहिसबके पालन करु, जाहिस' अहाँसबके भला होए, आ यहोवा अहाँसबके पूर्वजसबके' परमेश्वर अहाँसबके' प्रतिज्ञाक' अनुसार दूध आ मह बहएबला देश कनानमे अहाँसबके' खुब वृद्धि होए।4हे इजराएल, सुनू, यहोवा हमरासबहक' परमेश्वर एकेटा यहोवा छथि।5अहाँसब यहोवा अपन परमेश्वरके पूरा हृदयस', पूरा प्राणस' आ पूरा शक्तिस' प्रेम करब।6आइ हम अहाँसबके जे आज्ञा द' रहल छी से अहाँसब अपन हृदयमे राखब।7आ ई अहाँसब अपन सन्तानसबके होसियारीपूर्वक सिखाएब। घरमे रहलापर, बाटमे चलैत काल, सुतैत काल आ उठला पर ओहि निर्देशनसबके चर्चा करब। 8अहाँसब ओहिके अपन हाथपर निशानक' लेल बान्हिक' राखब, आ ओहिके ललाट पर बान्हि लेब।9अहाँसब अपन घरक' चौकस आ अपन मुख्य द्वार पर लिखब।10जखन यहोवा अहाँसबके परमेश्वर अहाँसबके पूर्वज अब्राहम, इसहाक आ याकूबके अहाँसबके देब कहिक' प्रतिज्ञा कएने कनान देशमे अनथिन, जाहिमे अहाँसब नहि बनओने पैघ-पैघ आ बहुत नीक-नीक सहरसब अछि।11आ जत' अहाँसब नहि बनओने सब प्रकारक नीक वस्तुस' भरल घरसब होएत, अहाँसब नहि खनने इनारसब, आ अहाँसब नहि रोप्ने अंगूरक' बगीचा आ जैतूनक' गाछसब होएत — जखन अहाँसब खा' क' तृप्त भ' जाएब,12तखन होसियार रहब आ अहाँसबके दासताक देश मिस्रस' निकालि लाओल गेल यहोवाके नहि बिसरब।13अहाँसब यहोवा अहाँसबके परमेश्वरक' आदर करब। हुनका आराधना करब आ हुनका नामक' शपथ खाएब।14अहाँसबके लगपासक जाति सबहक दोसर देवतासबके पाछु नहि जाएब, 15कारण, अहाँसबके बीचमे रहि रहल यहोवा अहाँसबके परमेश्वर जलन करएबला परमेश्वर छथि। जं अहाँसब इएह सब करब त' अहाँसबके परमेश्वरक क्रोध अहाँसबके उपर भड़कि जएताह आ ओ अहाँसबके पृथ्वीस' नाश क' देथिन।16मरुभूमिमे मस्सा नामक स्थानमे जकां अहाँसब यहोवा अहाँसबके परमेश्वरके परीक्षा नहि करब। 17यहोवा अहाँसबके परमेश्वरक' गम्भीर आज्ञासब, ओ अहाँसबके' देने नियमसब आ विधिसब सावधानीस' पालन करब।18अहाँसब यहोवाक' दृष्टीमे जे ठीक आ असल अछि ओहे करब, जाहिस अहाँसबके कल्याण होबए, आ अहाँसबके पूर्वजसबके संग यहोवा शपत सहित प्रतिज्ञा कएने ओहि असल देश उत्तराधिकारक' सकब।19यहोवाके आज्ञा अनुसार अहाँसब अपन दुश्मनसबके अपन सामनेस' भगा देब।20भविष्यमे जखन अहाँसबके' बेटा अहाँसबस' पुछत जे यहोवा हमरसबहक परमेश्वर अहाँसबके देने नियम, विधिविधान आ आज्ञा सबहक अर्थ की अछि?21तखन अहाँसब अपन बेटासबके कहब, हमसब मिस्रमे राजाके दास छलीह। यहोवा हमरासबके अपन पराक्रमी हाथस' मिस्रस' बाहर निकालि देलथिन।22ओ हमरासबहक' आंखिके सामने मिस्रीसबके राजा आ ओकरासब घराना पर बहुत भयानक आ अजगुत चिन्ह आ आश्चर्यकाजसब क' क' देखौलनि। 23हमरासबहक पूर्वजसबस' शपथ खा' क' देब कहिक' प्रतिज्ञा कएने देशमे आनएलेल ओ हमरासबके ओतए' स' निकालि अनलनि।24यहोवा हमरासबहक ईसब विधिविधान सावधानी पुर्वक पालन करए आ यहोवा हमरासबहक परमेश्वरक' डर मानएलेल आदेश देने छथि। ताकि जेना यहोवा आइधरि कएने छथि, अपनासब जीवित रहि सकी रखै।25यदि हमसब यहोवा हमरासबहक परमेश्वरक' हमरासबके देने एहि आज्ञासब यहोवा समक्ष पालन करब, त' ई हमरासबहक' लेल धार्मिकता होएत।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.