Acts2

1जखन पिन्तेकुस्त दिन आएल तखन सब विश्वासीसब एकहि ठाम जमा भेल छलथि।2तखने एकाएक स्वर्गस' एकटा बेजोड़ हवाके झोंकक आवाज जकां आएल, आ ओ सौंसे घरमे गुंजि गेल जत ओसब बैसल छलथि।3हुनकासबके आगि जकां जिउ लहकैत देख' मे आएल आ ओहि सबमेस' सबगोटेपर आबि गेल छल जत' ओसब बैसल रहए।4ओसब पवित्र आत्मास' भरि गेल छलथि आ जाहि तरहें आत्मा हुनकासबके बाजएके क्षमता देलथिन, ओ ओसब आन-आन भाषा बाजए' लगलथि।5ओतहि यरूशलेममे रहनिहार यहूदीसब छल, जे आकाशके नीचा सब जातिसबमेस' परमेश्वरके सांच मनस' भक्त रहए।6जखन ई आवाज आएल त' एकटा नमहर भीड़ एकठाम जमा भ' गेल आ अकचका गेल, किएकत' सबगोटे अपन अपन भाषामे बजैत, सुनलनि।7ओसब आश्चर्यचकित भ' गेल आ अचम्भित भ' ओसब एक-दोसरसंग कहलक, “की ई सब गलीलवासी नहि अछि?8तखन ई कोना सुनि रहल छी जे हमसब हुनकासबके सुनि रहल छी, सब अपन अपन भाषामे जाहिमे हमसब जन्मल रही?9हम जे पार्थी आ मेदी आ एलामके लोक, आ मेसोपोटामिया, यहूदिया आ कप्पदूकिया, पुन्तुस आ आसिया ,10आ फ्रूगिया, पंफूलियाके क्षेत्रसबस', मिस्र देशस', लिबियाइ देश जे कुरेन नगर लगमे अछि, एहि सब देशके रहनिहार आ रोमी सेहो छी।11माने यहूदी आ यहूदी मत मानएबला क्रेत निवासी आ अरबी सेहो अछि, मुदा अपन अपन भाषामे हुनकास' परमेश्वर कएने महान काजक विषयमे कहैत सुनैत छी।”12आ ओसब आश्चर्यचकित भेलथि आ अचम्भित भ' एक-दोसरस' पुछए लागल, “एकर मतलब की?”13मुदा दोसर किछु लोकसब उपहास करैत कहलकनि, “ओसब नव दाखमद्यस' मातल अछि।”14तखन पत्रुस ओहि एगारहगोटे प्रेरितसबके संग ठाढ़ भ' क' हुनकासबके कहलनि, “यौ यहूदिया आ हे यरूशलेममे रहनिहारसब, ई बात जानि लिअ, आ कान लगाक' हमर बात सुनू।15कारण, ई सब ओहिना निसामे मातल नहि छथि जेना अहाँसब सोंचैत छी, किएकत' एखन दिनक तेसरे पहर अछि।16मुदा ई ओ बात अछि जे योएल प्रवक्ताद्वारा कहल गेल छल। 17‘परमेश्वर कहैत छथि: अन्तिम दिनमे एहिना होएत जे हम अपन आत्मा सब लोकके अभिषेक करब आ तोहर बेटा आ बेटी भविष्यवाणी करत, आ तोहर युवकसब दर्शन देखत, आ तोहर बूढ़-पुरानसब सपना देखत।18ओहि दिनमे अपन दास आ दासीसब पर सेहो हम अपन आत्मा पठाएब, आ ओसब भविष्यवाणी करत।19आ हम उपर आकाशमे अपन चमत्कार आ नीचा धरतीपर चेन्हसब, माने लेहू आ आगि आ धुआंक गुमरौट देखाएब।20प्रभुके महान आ गौरवमय दिनके आबएस' पहिने सूर्य अन्हार आ चन्द्रमा लेहूमे बदलि जाएत।21आ जे केओ प्रभुके नाम पुकारत, ओकर उद्धार होएतै।’ 22हे इजराएली, ई बात सुनू: नासरतक यीशु एकटा एहन आदमी छलथि जे परमेश्वरद्वारा अहाँसबहक बीच महान काज, चमत्कार आ चेन्ह सबसंगे प्रमाणित कएल गेल छलथि जे परमेश्वर हुनकाद्वारा अहाँसबहक बीच कएलनि।23ओएह यीशुके, जे परमेश्वरद्वारा ठहराओल पूर्व निर्धारीत योजना आ पूर्व ज्ञानक अनुसार पकड़बाएल गेल, जे अधर्मी लोकक हाथमे सोंपल गेलथि, अहाँ ओकरा क्रूसपर कांटी ठोकिक' मारि देलनि।24ओ ओएह छथि जिनका परमेश्वर हुनका मृत्युके पीड़ास' मुक्त क' क' जीवित क' देलनि, किएकत' हुनका मृत्युके अधीनमे रहनाइ सम्भव नहि छलनि।25कारण अपनासबके पूर्वज दाऊद हुनका विषयमे कहैत छथि, ‘हम प्रभुके सदिखन अपन सोझा देखैत छलहुं, किएकत' ओ हमर दहिना कातमे छथि जाहिस' हम डगमगाएब नहि।26एहि कारणे हमर मन प्रसन्न आ जिउ आनन्दित भ' गेल। हमर शरीर सेहो निश्चित आशामे डेरामे जीवित रहत।27कारण, अहाँ, यौ परमेश्वर हमर प्राणके पतालमे नहि छोड़ब, आ नहि अहाँ अपन पवित्र सेवकके शरीर सड़ए देब।28अहाँ हमरा जीवनक मार्ग प्रगट कएलहुं; अहाँ हमरा अपन लगमे आनन्दस' बिभोर क' देलिऐ।’ 29यौ, इजराएली भाइसब, हमरा अहाँसबस' हमरासबहक पूर्वज दाऊदके विषयमे स्वतन्त्रापूर्वक बात करबाक अनुमति अछि जे ओ मरि गेलाह आ गाड़ल गेलाह, आ हुनकर कबर आइधरि हमरासबके बीचमे अछि।30एहिलेल, ओ एकटा प्रवक्ता छलाह आ जनैत छलाह जे परमेश्वर हुनका सपत खएने छलाह जे ओ अपन शरीरक एकटा फलके अपन सिंहासनपर बैसा देथिन। 31भविष्यमे की होएत से देख ओ मसीहक पुनरुत्थानक विषयमे कहलनि जे, ‘ओ नहि पतालमे छोड़ल गेलाह, आ नहि हुनकर शरीर सड़ल।’ 32एहि यीशुके परमेश्वर हुनका फेरुस' जीवित कएलनि, जेकर हमसब गवाह छी।33एहिलेल, परमेश्वरक दहिनाकात उंच कएल गेल आ पितास' पवित्र आत्माके प्रतिज्ञा पाबि ओ ई बातक अभिषेक कएलनि जे अहाँ दुनूगोटे देखैत छी आ सुनैत छी।34ओना दाऊद स्वर्गमे नहि पहुंचलाह, मुदा ओ स्वयं कहैत छथि, ‘प्रभु हमर प्रभुके कहलथि, “हमर दहिना भाग बैसू।  35जा' धरि हम अहाँक शत्रुके अहाँके पयरक पांवदान नहि बना दी।”’36एहि कारणे, इजराएलीसब ई निश्चितरुपस' जानि लिअ जे परमेश्वर हुनका प्रभु आ मसीह दुनू बना देने छथि, जाहि यीशुके अहाँ क्रूसपर चढ़ा देने रहिऐ।”37आब ई बात सुनि ओकरासबके हृदय टूटि गेलनि आ पत्रुस आ बांकी प्रेरितसबके कहलनि, “यौ संगी इजराएली भाइसब, हमसब की करु?”38तखन पत्रुस ओकरासबके उत्तर देलनि, “हम कहैत छी, अहाँसबमेस' सबहेगोटे अपन अपन पापक क्षमाक' लेल पश्चाताप करु आ यीशु मसीहक नामस' बपतिस्मा लिअ, तखन अहाँसबके पवित्र आत्माके वरदान भेटत।39किएकत' ई प्रतिज्ञा अहाँसब आ अहाँक बच्चासब आ दूर-दुराहुतक सब लोकक लेल अछि, जतेक लोकके हमरासबहक परमेश्वर प्रभु बजओताह।” 40ओ आओर बहुत रास शब्दमे गवाही दैत ओकरासबके घोषणा करैत आग्रह कएलथि जे, “एहि दुष्ट पीढ़ीस' स्वयंके बचाउ।”41एहिलेल, ओसब हुनकर वचन ग्रहण कएलनि आ बपतिस्मा लेलनि आ ओहि दिन लगभग तीन हजार प्राण ओहि विश्वासीसबमे जोड़ा गेल।42तखन ओसब प्रेरितसबके शिक्षा आ संगतिमे, रोटी तोड़एमे आ प्रार्थनामे आगु बढ़ैत रहलाह।43आ तब सबकेओ अचम्भित भेल आ सबके मनमे भय उत्पन्न भ' गेल, आ प्रेरितसबके माध्यमस' बहुत आश्चर्यजनक आओर चेन्हसब प्रगट भेल।44जे सब विश्वास करैत छल, ओसब एकसंगे छल आ सबकिछु सझिया छल।45ओसब अपन अपन सम्पत्ति आ मालसमान बेचक' सबमे फांटि देलक, जेना जेकरो आवश्यकता होइत रहए।46एहिलेल सबदिन परमेश्वरके भवनमे एकहि उदेश्यस' जमा होइत छल, घर-घरमे रोटी तोड़ैत छलाह, आ खुशी आ विनम्र मनस' भोजन बांटि लैत छल।47परमेश्वरक स्तुति करैत छलाह आ यरूशलेमके सबलोक एकरासबके कृपादृष्टि कएने छल आ ओकरासबके सभामे सबदिन प्रभु उद्धार पाबि रहल लोकसबके संख्यामे बढ़ा दैत छलथि।

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67