Acts17
1पौलुस आ सिलास अम्फिपुलस आ अपुलोनिया नगरसबस' होइत थिसलुनिका नगरमे अएलाह, जत यहूदीसबहक सभाघर छल।2पौलुस, अपन प्रथाक अनुसार ओकरासबलग गेलाह आ तीन विश्रामक दिन धरि हुनकासबस धर्मशास्त्रस' बहस कएलनि।3ओ धर्मशास्त्र खोलिक' मसीहके अवश्य कष्ट भोगबाक आ मृत्युस' जीवित होएनाइ आवश्यक छलथि, “जे यीशुके हम प्रचार क' रहल छी ओएह मसीह छथि।” से ओ प्रमाणित करैत छ्लनि।4किछु यहूदीसब हुनकासबके बात मानि गेल आ पौलुस आ सिलासक संग लागि गेल, तहिना बहुत पैघ संख्यामे परमेश्वरके आराधना करएबला यूनानीसब आ किछु प्रमुख महिलासब सेहो छलीह।5मुदा विश्वास नहि करएबला यहूदीसब ईर्ष्या क' क' बजारमे स' किछु गुण्डा सबके ल' क' भीड़ जमा क' क' नगरमे हुल-दङ्गा मचा देलक। तखन ओसब पौलुस आ सिलासके लोकक बीच बाहर अनबाक लेल यासोनक घरपर हमला कएलक।6मुदा जखन ओकरासबके नहि भेटल त' ओसब यासोन आ किछु आन भाइसबके शहरक अधिकारीसबके लगमे हल्ला करैत घिसिअबैत लएलक, “ई लोकसब जे संसारके उनटा-पुनटा करएबला आदमीसब एत सेहो आबि गेल अछि।7एहि लोकसबके यासोन अपन घरमे मान-सम्मान द' के रखने छथि, ओसब रोमी सम्राट कैसरक आज्ञाक विरुद्ध काज करैत छथि, आ कहैत छथि जे यीशु नामक एकटा आओर राजा छथि।”8ई बात सुनिक' लोकसब आ नगरक हाकिमसब बहुत घबड़ा गेलाह।9मुदा हाकिमसब यासोन आ बांकी विश्वासीसबस' जमानतके लेल पाइ ल' क' ओकरासबके जाए देलक।10ओहि राति विश्वासी भाइसब पौलुस आ सिलास दुनूके बिरीया नगर पठौलनि। ओतए पहुंचला पर ओसब यहूदीसबहक सभाघरमे गेलाह।11एतेक लोकसब थिसलुनिकाके लोकसबस' बेसी भल छल, किएकत' ओसब वचनके पूरा मनस' ग्रहण करैत छल आ प्रतिदिन धर्मशास्त्र सबहक जांच करैत छल जे ई बातसब सही अछि की नहि।12एहिलेल हुनकासबमेस' बहुते गोटे प्रभु यीशुमे विश्वास कएलनि, जाहिमे किछु प्रभावशाली गैर-यहूदी स्त्रीसब आ किछु पुरुषसब सेहो विश्वास कएलनि।13मुदा जखन थिसलुनिकाके यहूदीसबके बुझल भेल जे पौलुस सेहो बिरीयामे परमेश्वरक वचन प्रचार क' रहल छथि, तखन ओसब ओत' जा क' लोकसबके हुनका विरुद्धमे भड़का देलक आ हुनका परेशान कएलक।14मुदा तखने विश्वासी भाइसब पौलुसके समुद्र दिस पठा देलथिन, मुदा सिलास आ तिमुथियुस दुनूगोटे बिरीया नगरमे रहि गेलाह।15पौलुसके ल' जा रहल लोकसब, ओकरा एथेन्स नगर धरि पहुंचा देलक। पौलुसस' सिलास आ तिमुथियुसक लेल निर्देशन भेटलाक बाद जे ओसब जल्दीस' हुनकालग आबि जाए, तखन ओसब घर घुरि गेलाह।16जखन पौलुस एथेन्समे हुनकासबहक बाट जोहैत छलाह तखन ओ मूर्तिसबस' भरल नगरके देख हुनका मन बहुत व्याकुल भ' गेलनि।17एहि तरहें ओ सभाघरमे यहूदी आ परमेश्वरक आराधना करएबला आन लोकसबके संग आ बजारमे सबदिन ओहि लोकसबके संग चर्चा करैत छलाह।18मुदा किछु ईपिकूरी आ स्तोइकी दार्शनिक सब सेहो हुनकास' वाद-विवाद कएलनि। ओहिमेस' किछुगोटे कहलनि, “ई बकबका की कहए चाहैत अछि?” मुदा दोसरो लोक कहलनि, “ओ विदेशी देवताके प्रचार करएबला लगैत अछि,” किएकत' ओ यीशु आ पुनरुत्थानके विषयमे सुसमाचार प्रचार क' रहल छलथि।19ओसब पौलुसके ल' क' अरियोपिगुस परिषदमे ल' गेलाह, “की हमसब जानि सकैत छी जे ई नवका शिक्षा की अछि जे अहाँ प्रचार क' रहल छलहुं?20किएकत' अहाँ हमरासबहक कानमे अचरजके बातसब सुनाबि रहल छी। एहिलेल, हमसब ई जानए चाहैत छी जे एहिसबके अर्थ की होइत अछि।”21एथेन्सवासी आ ओत' रहनिहार परदेशीसब कोनो नवका बात कहए आ सुनएके अतिरिक्त ओसब अपन समय कोनो काजमे नहि बितबैत छलाह।22तखन पौलुस अरियोपिगुसके बीचमे ठाढ़ भ' क' कहलथिन, “अहाँ एथेन्सके लोकसब, हम देखैत छी जे अहाँसब सब तरहेंस' बहुत धार्मिक छी।23जखन हम ओहि ठामस' जा' रहल छ्ली आ अहाँक आराधना करबाक वस्तुसबके देखैत छलहुं त' हमरा एकटा वेदी भेटल ताहिपर लिखल छल, ‘एकटा अनजान देवताके लेल।’ अहाँसब जे अज्ञानतामे पुजैत छी, ओएह हम अहाँसबके प्रचार क' रहल छी।24जे परमेश्वर संसार आ ओहिमे जे किछु अछि तेकरा बनौने छथि, ओ स्वर्ग आ पृथ्वीक प्रभु छथि, ओ हाथस' बनल मन्दिरमे नहि रहैत छथि।25आ नहि मनुष्यक हाथस' सेवा कएल जाए जेना ओकरा कोनो वस्तुक आवश्यकता छथि, किएकत' ओ स्वयं सबके जीवन आ सांस आ सब किछु दैत अछि।26किएकत' परमेश्वर एक मनुष्यस' पृथ्वीक समस्त भू-भाग पर रहबाक लेल जातिसब बनौलनि आ ओकरासबहक समय आ रहबाक क्षेत्रके' सीमा निर्धारीत सेहो कएने छलाह ,27जाहिस' ओसब परमेश्वरक ताकए आ शायद ओसब हथोड़ि हथोड़िक' हुनका महसूस करैत छथि आ हुनका ताकि लैत छथि। तथापि ओ हमरासबस' दूर नहि छथि।28किएकत' हमसब हुनकामे जीवित छी आ चलैत छी आ हुनकामे हमरासबहक अस्तित्व अछि, जेना अहाँक अपन कवि सबमेस' एकगोटे कहने छथि,29एहिलेल, हमसब परमेश्वरक सन्तान छी ई नहि सोंचबाक चाही जे परमेश्वरके ईश्वरीय गुण सोना, आ चानी, आ पत्थलके समान छै, ईसब मनुष्यके कला आओर कल्पना द्वारा निर्मित छवि मात्रे अछि।30एहिलेल, लोकसब यीशु मसीहमे परमेश्वरके इच्छा बुझएस' पहिनेके समय अनदेखी कएलनि, मुदा आब ओसब ठामक सब लोकके पश्चाताप करबाक आज्ञा दैत छथि।31एकर कारण अछि जे ओ एकटा एहन दिन निर्धारीत कएने छथि जखन ओ अपन चुनल आदमीक द्वारा संसारक धार्मिकताक' न्याय करताह। परमेश्वर एहि आदमीके मरलमेस' जिआक' सबके प्रमाण द' देने छथि।” 32जखन ओसब मृतक सबहक पुनरुत्थानक बात सुनिक' किछु लोक पौलुसके उपहास कएलक। मुदा दोसर लोक कहलनि, “हमसब एहि विषयमे अहाँक बात फेरु सुनब।”33तेकरबाद पौलुस हुनकासबके परिषदके छोड़ि देलनि।34मुदा किछु लोक हुनकासंग आबिक' प्रभुमे विश्वास कएलनि, जाहिमे अरियोपिगुस आ दियुनुसियुस दमरिस नामक एकटा स्त्री आ हुनकासबहक संग आन लोकसब सेहो छल।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.