2 Peter3

1यौ प्रियसब, आब ई हमर दोसर पत्र अछि जे हम अहाँसबके लिखैत छी, जाहिमे हम अहाँसबके शुद्ध मनके स्मरणमे लबैत छी,2जे अहाँसब पवित्र प्रवक्तासबद्वारा पहिने कहल वचन आ अहाँसबके प्रेरितसबद्वारा कहल गेल प्रभु आ उद्धारकर्ताके आज्ञाके स्मरण क' सकी।3पहिने ई जानि लिअ, जे अन्तके समयमे हंसी उड़ाबएबला लोकसब आओत। ओसब ठट्ठा करत आ अपने अभिलाषासबके अनुसार चलत।4आ ओ कहत, “हुनकर आगमनके प्रतिज्ञा कत अछि? किएकत', जहियास' अपनासबके पूर्वजसब मरि गेलथि, तहियास' सबकिछु ओहिना अछि, जेना सृष्टिके आरम्भस' छलनि।”5किएकत' ओसब जानि बुझिक एहि बातसबके बिसरि गेल अछि, जे आकाश प्राचीने कालस' छल, आ परमेश्वरके वचनस' पृथ्वीके रचना पानिमेस' आ पानिद्वारा भेल। 6आ ई एहिलेल भेल जे ओहि समयके संसार पानिमे डुबिक' नाश भ' गेल छल। 7मुदा आब ओहि आज्ञाके अनुसार आकाश आ पृथ्वीके आगिके लेल सुरक्षित राखल गेल अछि। एकरा अधर्मीसबके न्यायके आ विनाशके दिनके लेल राखल गेल अछि।8मुदा यौ प्रियसब, ई एकटा बात अहाँसबस' नुकाएल नहि रहए, जे प्रभुके संग एकदिन एक हजार वर्ष बरोबरि अछि, आ एक हजार वर्ष एकदिन बरोबरि अछि। 9प्रभु अपन प्रतिज्ञाके सम्बन्धमे रसे-रसे काज नहि करैत छथि, जेना किछु लोकसबके विलम्ब बुझैत अछि। बल्कि, ओ अहाँसबपर धैर्य रखैत छथि। ओ नहि चाहैत छथि जे अहाँसबमेस' केओ नाश भ' जाउ, मुदा ई जे सबगोटेके पश्चाताप करबाक अवसर भेटैक। 10तथापि, प्रभुके आगमनके दिन चोर जकां आओत, जाहिमे आकाश बड़ जोरस' आवाज करैत बिला जाएत, आ तत्वसब जरिक' नाश भ' जाएत, आ पृथ्वी आ ओहिपरके सब किछु अछि से सब प्रगट कएल जाएत।11जखन ई सबबात एहि तरहें नाश भ' जाएत, तब अहाँसबके व्यवहारमे आ ईश्वरीय काजसबमे केहन पवित्र बनएके आवश्यकता अछि,12परमेश्वरके न्यायके दिन आबए के प्रतीक्षा आ जल्दी लाबएके प्रयास करु, जाहि कारण आकाशके मूल तत्वसब आगिस' नाश कएल जाएत, आ प्रचण्ड तापस' पिघलि जाएत? 13मुदा हुनकर प्रतिज्ञा अनुसार, अपनासब ओहि नव आकाश आ नव पृथ्वीके प्रतीक्षा करैत छी, जाहिमे धार्मिकता वास करत। 14तएं, प्रियसब, जं अहाँसब एहि बातसबके आशा करैत छी, त' शान्तिके संग, हुनका आगु निष्कलंक आ निर्दोष ठहरएलेल उत्तम प्रयास करु।15संगहि, अपनासबके प्रभुके धैर्यके उद्धार बुझू, जेना अपनासबके प्रिय भाइ पौलुस सेहो अहाँसबके ओहि बुद्धि अनुसार अपन पत्रमे लिखलथि जे बुद्धि परमेश्वर ओकरा देने रहथि,16ओहिना ओकरासब पत्रमे सेहो अछि, जाहि एहि बातसबके विषयमे कहि रहल अछि, ओहिमे किछु बातसब बुझएमे कठिन अछि, जेकरा अज्ञानी आ अस्थिर लोकसब अपने विनाशके लेल गलत अर्थ लगबैत अछि, जेना ओसब आन पवित्र शास्त्रसंगे सेहो करैत अछि।17तएं प्रियसब, अहाँसब पहिनेस' एहि बात सबके विषयमे जनैत छी, त' स्वयं सावधान रहू जे अहाँसब अधर्मी लोकसबके बहकाबास' भटकि नहि जाएब आ अपने विश्वसनीयता ने गमा लेब।18मुदा अपनासबके प्रभु आ उद्धारकर्ता यीशु मसीहके अनुग्रह आ ज्ञानमे उन्नति करु। हुनकर महिमा एखनो आ युगयुगान्तर धरि होइत रहए। आमीन!

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67