Judges2

1यहोवाके दूत गिलगाल प्रान्तस' बोकीम प्रान्तमे जाक कहलनि, “हम अहाँसबके मिस्रस' नेतृत्व क' क' एहि देशमे अनने छी जे अहाँके पूर्वजसबस' प्रतिज्ञा कएने छली। हम कहलीह, ‘हम अपन करार अहाँसबसंगे अनन्त धरि नहि तोड़ब।2अहाँसब एहि देशमे रहनिहार लोकसबसंगे अपन करार नहि बानहूं। अहाँसब ओकरासबके वेदीके तोड़ि दिए।’ मुदा अहाँसब हमर बात नहि सुनली। कहू, अहाँसब किएक एना कएली? 3तएं हम अहाँसबके कहैत छी, ‘हम ओकरासबके अहाँके सोझास' नहि भगाएब। मुदा ओसब अहाँके लेल बाधक भ' जाएत आ ओकर देवतासब अहाँके लेल फांस जेना भ' जाएत।’”4जखन यहोवाके दूत इजराएलके सन्तानसबके संगे एहि बात कहलक, तब ओसब जोरस' कानि लागल।5तएं ओ लोकसब ओहि ठामके नाम बोकीम रखलनि आ यहोवाके लेल ओहि ठाम बलिदान देलनि।6तखन यहोशू लोकसबके विदा कएलनि, आ इजराएलीके सन्तानसब अपन हिस्साके भूमि कब्जा कर चलि गेलनि।7लोकसब यहोशूके बूढ़ होएब धरि यहोवाके सेवा कएलनि आ हुनका जीवनकालमे यहोवाके सबटा महान कामसब देखने रहए जे यहोवा इजराएलीसबके लेल कएने रहथि।8तब यहोवाके दास, नूनके बेटा यहोशू एक सय दस वर्षमे मारि गेलनि।9तखन ओसब हुनका गाश पहाड़के उतरके भागमे रहल पहाड़के देश इफ्राइमके तिम्नथेरेसमे हुनका हिस्साके भूमिके सीमाके भीतर गाड़ि देलनि।10जखन सबटा वंश अपन पूर्वज संगे मिलि गेल, तब हुनकासबके बाद दोसर वंश ठाढ़ भेल जे ओसब यहोवाके नहि चिन्हैत छल आ एतधरि की इजराएलीके लेल यहोवा कएने कामसबस सेहो परिचित नहि छल।11इजराएलके सन्तानसब यहोवाके नजरिमे जे दुष्ट काम रहए ओहे कएलक आ ओसब बाल देवतासबके पूजा करए लागल।12एनाक क' ओकरासबके पूर्वजसबके परमेश्वर जे ओकरासबके मिश्र देशस' निकालिक' लएने रहि, ओहि यहोवाके, ओसब छोड़ि देलक।13ओसब यहोवाके छोड़िक' बाल आ अश्तोरेत देवतासबके पूजा करए लागल।14तखन यहोवाके क्रोध इजराएलीके विरुद्ध उठि गेल, तएं ओ ओकरासबके लुटपिट करएबलाके हाथमे सोंपि देलक, ताकि ओसब ओकरा लुटि सकए। ओ ओकरासबके चारुदिसस' दुश्मनसबके अधीनमे द' देलनि, जाहिस' ओसब आब अपन दुश्मनके सामने ठाढ़ नहि भ' सकल।15जखन ओसब लड़ाइके लेल बाहर निकलैत छल तखन ठीक ओहिना यहोवा कहलक आ प्रतिज्ञा अनुसार विपत्ति हुनकासबपर आबि छल। एहि तरहे ओसब बहुत विपतिमे रहए पड़ल।16तब यहोवा न्यायकर्तासबके ठाढ़ कएलनि, आ ओसब हुनकासबके लूटिपिटि करएबलास' बचबैत छल।  17तइयो ओसब अपन न्यायकर्ताके बात नहि मानलक। किएक ओसब व्यभिचारी जेना दोसर देवताके पाछु आ ओकरासबके निहुरिक' प्रणाम करैत छल। ओसब जल्दीस' अपन पिताके कएल कामसब छोड़ि देलक जाहिप' ओकरासबके पिता चलि रहल छल। ओसब यहोवाके आज्ञा पर मन नहि लगएलक।18जखन यहोवा ओकरासबके लेल न्यायकर्ता ठाढ़ करैत छल तब न्यायकर्तासबके आ यहोवाके संगे रहैत छल आ यहोवा सेहो हुनकासबके शत्रुके हाथस' बचबैत छल। किएक त' हुनकासबके पीड़ा दिअएबला आ अत्याचार करएबलाके कारणे लोकसब यहोवामे पश्चाताप करैत छल।19जखन न्यायकर्ताके मृत्यु भ' जाएत छल, त' ओसब अपन पितास' बेसी दुष्ट व्यवहार करैत छल, आ दोसर देवतासबके पाछु चलि आ ओकरासबके सेवा करैत छल आ ओकरासबके आगु निहुरिक' प्रणाम करैत छल।20फलस्वरुप, यहोवाके क्रोध इजराएली जातिके विरुद्ध भड़कि गेल, आ ओ कहलथि, “एहिमे ई लोकसब हमर करारके विरुद्ध अपराध कएलक जे हम ओकरासबके पूर्वजसबके आज्ञा कएने रही, मुदा ओसब हमरा बातपर ध्यान नहि देने अछि।21तएं हम ओहि जातिसबके अहाँसबके उपस्थितिस' नहि भगाएब जेकरासबके यहोशूके मरैतकाल छोड़ने रहि।22ओकरासबद्वारा इजराएलीसबके जांच करबाक लेल, की ओसब यहोवाके बात मानैत अछि की नहि, आ ओसब ओहि बाटपर चलि रहल अछि जेना ओकर पूर्वजसबके चलैत रहए।”23तएं यहोवा ओहि जातिसबके रहबाक अनुमति देलनि, आ धरफडाक ओकरासबके नहि भगएलनि आ ओकरासबके यहोशूके हाथमे नहि देलनि।

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67