1 Corinthians4
1हम चाहैत छी जे लोक हमरासबके सुसमाचार प्रचार करएबला मसीहके सेवक आ जे आब परमेश्वर हमरासबलग जे प्रगट कएने छथि से घोषणा करएबला जिम्मा लेने जेहन बुझैक।2जं कोनो अगुवा दोसर व्यक्तिके जिम्मा दैत अछि, त' ओ अगुवा चाहैत अछि त जे ओकर काजके ओसब विश्वास योग्यतामे करए। एहिनाक' परमेश्वर चाहैत छथि जे हमसब जे हुनकर सुसमाचार घोषणा करैत छी हमसब अपन काज विश्वासयोग्य भ' क' करी।3हमरा एहि बातके कोनो चिन्ता नहि अछि जे अहाँसब आ केओ आन संसारके अधिकारीसब की निर्णय करैत छी जे हम विश्वासयोग्य भ' क' काज कएने छी की नहि। वास्तवमे, हम अहू बातके फिकिर नहि करैत छी जे हम स्वयंके जांच नहि करैत छी जे हम विश्वासयोग्य भ' क' काज कएने छी की नहि।4वास्तवमे, हम कोनो गलती कएने छी से नहि जनैत छी। तथापि, हम जे अपना विषयमे बुझति छी ओ एहि बातके साबित नहि क' रहल छी जे हम निर्दोष भ' क' काज कएने छी। बल्कि, ओ त प्रभुए छथि जे जांच करतथि जे हम विश्वासयोग्य भ' क' काज कएने छी की नहि।5एहिलेल, जाधरि प्रभु सबलोकके आ सब बातसबके न्याय करएलेल घुरिक' नहि अओताह, ताधरि अहाँसब कोनो बातके विषयमे अन्तिम निर्णय नहि लेबएके चाही। ओ एखनोधरि नुकाएल बातसबके बाहर ल' अओताह, आ ओ हरेक मनुष्यके भितरके बात आ ओकर योजनासब प्रगट करताह। तहिया परमेश्वर जे विश्वासयोग्य भ' क' काज कएने प्रत्येक व्यक्तिके बड़ाइ करथिन।6यौ विश्वासी भाइसब, हम अहींसबके भलाइके लेल हम अपन आ अपुल्लोसके विषयमे एहि तरहें बात कएने छी। हम चाहैत छी जे हमरासबके माध्यमस' अहाँसब सिखू जे अहाँसब ओहि तरहें काज करु जे धर्मशास्त्रमे लिखल अनुसार मेल खाए। तब, केओ एगो अगुवाके विषयमे बड़ाइ आ दोसर अगुवाके दुष्ट नहि करत।7केओ अहाँसबके कोनो दोसर विश्वासीमे भेद नहि कएने अछि। सांच बाजी त', परमेश्वर अहाँ सबकेओ सबटा असल चीज देने छथि जे अहाँसबलग अछि। किएकत' ई सबकिछु परमेश्वरके दान अछि, एहिलेल अहाँसब घमण्डी भ' क' नहि कहबाक चाही जे अहाँसब स्वयं ओहिके प्राप्त कएने छी।8अहाँसब एना मानिक' चलि रहल छी जेना अहाँसबके आत्मिकरुपस' जे चाही से अहाँसबलग हबे करए। अहाँसब एना मानिक' चलि रहल छी जेना अहाँसब ल' एखन आवश्यकतास' बहुत बेसी आत्मिक आशीष अछि। अहाँसब एना मानिक' चलि रहल छी जेना अहाँसब मसीहके संगे शासन करब शुरु क' देने छी, मुदा हमसब सुसमाचारके प्रचार करितो एखन मसीहके संग शासन नहि क' रहल छी। सांच्चेके, हम इच्छा करैत छी जे अहाँसब वास्तवमे हुनकासंगे शासन करैत रहिती, एहिलेल जे हमहूंसब जे सुसमाचार प्रचार करैत छी अहींसब संगे शासन करैत।9हमसब एखन मसीहसंगे शासन करैत छी सोंचए नीक बल्कि, हमरासबके जे प्रेरितसब छी एना बुझाइए जे जेकरा परमेश्वर अपमानके लेल आ मरएलेल छोड़ि देने होथि। हमसब सार्वजनिकरुपस' अपमान सहैत छी आ मरैत छी, आ जे किछु परमेश्वर सृष्टि कएने छथि, संसार, आत्मिक प्राणीसब स' ल' क' मनुष्य धरि देख सकैक।10हमसब मूर्ख जकां एहिलेल देखैत छी किएकत' हमसब मसीहके सेवा करैत छी, मुदा अहाँसबके लगैए अहाँसब बुद्धिमान छी किएकत' परमेश्वर अहाँसबके मसीहसंगे एक करैत छथि। हमसब एहन देखैत छी जेकरालग कोन शक्ति आ प्रभाव नहि अछि, मुदा अहाँसबके लगैए अहाँसबलग ईसब अछि। अहाँसब सोंचैत छी जे लोकसब अहाँसबके प्रशंसा करैत अछि, मुदा हमरासबके लज्जित करए।11एखनो जं हम ई पत्र अहाँसबके लिख रहल छी, हम सबके जेकरा मसीह पठओने छथि पर्याप्त भोजन आ पानि नहि रहए। हमसब फाटल-पुरान कपड़ा पहिरैत छी, दोसर लोकसब हमरासबके बेर-बेर प्रहार करए। हमसब सदैव प्रचार यात्रामे रहैत छी आ घर नहि घुरिक' अबैत छी। 12हमसब जीवन जिअएलेल अपना हाथस' कठिन परिश्रम करैत छी। जं लोकसब हमरासबके अपमान करैत अछि त' हमसब ओकरासबके आशीर्वाद दैत छी। जं लोकसब हमरासबके दुख दैत अछि एहिलेल किएकत' हमसब मसीहके प्रचार करैत छी, त' हमसब ओकरासबके धैर्यता स' सहन करैत जीवन बितबैत छी।13जं लोकसब हमरासबके निन्दा करैत अछि, त' हमसब ओकरासबके आग्रहपूर्वक उत्तर दैत छी। मनुष्यके दृष्टिकोणस', हमसब संसारके कूड़ा करकटके बरोबरि बिना काजके छी जे लोकसब फेक दैत अछि। हमरासबके विषयमे इएह सत्य अछि एखनो जं हम अहाँसबके ई पत्र लिख रहल छी।14हम अपन एहि पत्रमे ओ नहि समावेस क' रहल छी जे कहब हम समाप्त कएलिऐ किएकत' हम अहाँसबके लज्जित करए नहि चाहैत छी। मुदा, हम एहि बातसबके एहिलेल रखैत छी हम अहाँसबके चेताब' चाहैत छी, किएकत' अहाँसब हमर प्रिय धियापुता जकां छी जेकरा हम प्रेम करैत छी।15जहिया हम अहाँसबके पहिने सुसमाचार सुनओली, आ परमेश्वर अहाँसबके यीशु मसीहमे एक क' देलथिन, त हम अहाँसबके आत्मिक पिता बनि गेली। एहि कारण, अहाँसबके लाखो शिक्षक भेल होइत जे अहाँसबके मसीहसंगे एक बनल रहएमे सहायता कएने होएत, मुदा हमहीं अहाँसबके एकटा आत्मिक पिता रहब।16किएकत' हम अहाँसबके आत्मिक पिता छी एहि कारणे, हम अहाँसबस' विनती करैत छी जे हम कोना जीवन जिऐछी से अहाँसब अनुसरण करु।17किएकत' हमर इच्छा अछि जे अहाँसब हमर अनुसरण करु एहिलेल, हम तिमुथियुसके अहाँसबलग पठएलिऐ। ओ प्रभुमे हमर प्रिय बेटा जकां अछि। हम ओकर प्रेम करैत छी। ओ विश्वासयोग्य भ' क' ओकरे जकां यीशु मसीहके सेवा करैत अछि जेकरा परमेश्वर प्रभुके साथ एक कएने छथि। ओ अहाँसबके सिखाओत जे हम कोना ओकरेसब जकां जीवन जीवित छी जे परमेश्वरके सेवा करैत अछि। हमसब मण्डलीके सब ठाममे हम जाइछी ओकरा कहैत छी जे एहिना जीवन जीबू।18अहाँसबमेस' किछु लोक घमण्डी भ' चुकल अछि। ओसब एना जीवित जेना हम अहाँसबलग फेरु नहि आबएबला छी।19मुदा, हम बहुत जल्दिए अहाँ लग आएब, जाधरि प्रभु हमरा एहिना करी से इच्छा होइक। हमरा पहिनेस' जनतब अछि जे लोकसब अपना विषयमे नमहर नमहर बात करैत दाबी करैत अछि। जहिया हम अहाँसबलग आएब त' हम जानि लेब जे वास्तवमे ओसब सामर्थी अछि की नहि।20हम ई एहिलेल करब किएकत' परमेश्वरके राज्य परमेश्वरके शक्ति लोकसबद्वारा काज करैत अछि, लोकसबद्वारा नमहर नमहर बात बाजिक' नहि।21जं अहाँसब चुनब जे हमरा बातके कोनाक' जबाब देब, त अहाँसब इहो चुनि रहल छी जे जहिया हम अहाँसबलग आएब त' हम कोना प्रस्तुत होएब। जहिया हम अहाँसबलग आएब, तहिया या त' हम कठोर भ' क' अनुशासन करब एहिलेल जे अहाँसब हमर कहल नहि कएली, वा हम कोमल भ' क' प्रेम आ नम्रताके आत्मास' किएकत' अहाँसब हमर कहब कएने छी।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.