Acts25
1आब, फेस्तुस ओहि प्रदेशके प्रादेशिक शासक भेलाके तीन दिन बाद, कैसरियास' यरूशलेम चलि गेलाह।2मुख्य पुजारी आ यहूदीसबहक प्रमुख लोकसब पौलुसपर आरोप लगौलनि आ ओसब फेस्तुस स' आग्रह कएलनि3आ पौलुसपर एकटा विनती कएलनि जे फेस्तुस पौलुसके यरूशलेम बजाबएके कृपा करथि किएकत' बाटमे हुनका मारबाक लेल घात लगएने छल।4फेस्तुस कहथिन जे पौलुसके कैसरियामे कैदीके रुपमे राखल गेल अछि आ ओ अपने जल्दिए ओतए जएबाक लेल तैयार अछि।5ओ कहलथिन, “अहाँसबमेस' जे सबस' प्रमुख व्यक्ति छी, हमरासबहक संग ओत' आउ। जं ओहि आदमीमे कोनो गड़बड़ी अछि त' ओकरापर आरोप लगबथि।”6फेस्तुस यहूदी अगुवासबके संग आठ-दस दिनस' बेसी यरूशलेममे नहि रहलाह, तखन ओ कैसरिया चलि गेलाह। दोसर दिन ओ न्यायक आसनपर बैसिक' पौलुसके हुनकालग अनबाक आज्ञा देलथिन।7पौलुस जखन अएलाह त' यरूशलेमस' आएल यहूदी अगुवासब हुनका चारुकात ठाढ़ भ' गेलाह आ बहुत रास आ गम्भीर आरोप लगाओलक जेकरा ओसब साबित करएमे सक्षम नहि भेल।8पौलुस अपन बचावमे बजलाह, “हम कोनो अधलाह काज नहि कएलहुं, नहि यहूदीसबहक व्यवस्थाके विरुद्ध, नहि मन्दिरक विरुद्ध आ नहि रोमी सम्राट कैसरक विरुद्ध।”9मुदा फेस्तुस यहूदीसबपर उपकार करए' चाहैत पौलुसके उत्तर देलथिन, “की अहाँ यरूशलेम जा' क' हमराद्वारा एहि बातसबके न्याय करबाक लेल तैयार छी?”10मुदा पौलुस जबाब देलथिन, “हम रोमी सम्राट कैसरक न्यायक आसनक समक्ष ठाढ़ छी, जत' हमरा उपर न्याय होएबाक चाही। हम यहूदीसबहक संग कोनो अधलाह काज नहि कएलहुं, जेना अहाँसब सेहो नीक जकां जनैत छी।11मुदा, जं सचमुच हम हानि कएलहुं आ मृत्युके योग्य कोनो काज कएलहुं त' हम मरएस' मना नहि करैत छी। मुदा जं कोनो एहन बात नहि अछि जेकर ओसब हमरा उपर आरोप लगा सकैत अछि त' हमरा केओ हुनकासबहक हाथमे नहि सोंपि सकैत अछि। हम रोमी सम्राट कैसरस' अपील करैत छी।”12तखन फेस्तुस महासभास' बात कएलाक बाद ओ उत्तर देलथिन, “अहाँसब रोमी सम्राट कैसरस' अपील कएने रही। तएं' अहाँ रोमी सम्राट कैसर लग जाउ!”13किछु दिन बित गेलाकबाद, राजा अग्रिप्पा आ बरनिकी फेस्तुसके आदर करबाक लेल कैसरियामे अएलाह।14ओसब बहुत दिन धरि ओत' रहलापर फेस्तुस पौलुसक' विषयमे राजाक समक्ष प्रस्तुत कएलनि। ओ कहलनि, “एकटा एहन आदमी अछि जेकरा फेलिक्स एत' कैदी बना छोड़ि देने छल।15जखन हम यरूशलेममे छलहुं तखन यहूदीसबहक मुख्य पुजारी आ बूढ़-पुरानसब एहि लोकपर आरोप लगाक' ओकरा मृत्युदण्ड देबाक चाही से निवेदन कएने छलथि।16हम हुनकासबके उत्तर देलिऐ जे रोमी लोकनिके ई प्रथा नहि अछि जे कोनो व्यक्तिके एहिस' पहिने सोंपल जाए जे जेकरापर आरोप अछि ओकरा अपन आरोपक सामना करबाक अवसर भेटए, आ आरोपक सम्बन्धमे बचाव क' सकए।17तएं जखन पौलुसपर दोष लगौनिहारसब एत एकत्रित भेलाह तखन हम प्रतीक्षा नहि कएलहुं, मुदा दोसर दिन हम न्यायक आसनपर बैसि गेलहुं आ हम ओहि आदमीके भितर अनबाक आदेश देलहुं।18जखन आरोपी ठाढ़ भ' गेल त' ओकरा सम्बन्धमे कोनो एहन अपराधके आरोप नहि लगौलनि जाहिके हमरा उमेद छल।19मुदा, ओकरासबके संग अपन धर्मके विषयमे आ यीशुके विषयमे किछु विवाद छल जे मारल गेल छल, जेकरा पौलुस जीवित होबएके दाबी करैत छै।20तएं हम अनिश्चित छी जे एहि मामिलाक जांच कोना कएल जाए। हम पुछलिएनि जे की ओ यरूशलेम जएबाक लेल तैयार छथि आ ओतए एहि आरोप सबहक विषयमे न्याय करबाक लेल तैयार छथि।21मुदा जखन पौलुस रोमी सम्राटके निर्णयके प्रतीक्षामे छलथि ओ स्वयंके हिरासतमे रखबाक अपील कएलनि तखन हम हुनका ताधरि हिरासतमे रखबाक आदेश देलिऐ जाधरि हम हुनका कैसर लग नहि पठा दी।”22तखन अग्रिप्पा फेस्तुसके उत्तर देलथिन, “हमहूं एहि लोकके सुनबाक इच्छा करैत छलहुं।” फेस्तुस कहलकनि, “काल्हि अहाँ हुनकर बात सुनब।”23इहे' कारण, दोसर दिन अग्रिप्पा आ बरनिकी बहुत धूमधाम स' आबि गेलाह, आ सैनिक अधिकारी आ शहरके प्रमुख लोक दुनूके संग सभागृहमे प्रवेश कएलनि। फेस्तुस आज्ञा देलापर पौलुसके भितर आनल गेलाह24तखन फेस्तुस कहलथिन, “राजा अग्रिप्पा आ अहाँसब जे हमरासबहक संग छी, अहाँसब एहि आदमीके देखैत छी, जिनका विषयमे यरूशलेममे यहूदी समुदायके समस्त भीड़ हमरास' याचना कएने छल आ एतहु चिचिआइत अछि जे आब ई आदमी जीवित होएबाक योग्य नहि छथि।25मुदा हमरा पता चलल जे ओ मृत्युके योग्य कोनो काज नहि कएने छथि। मुदा ओ स्वयं रोमी सम्राट स' अपील कएलाक कारणे हम हुनका पठएबाक निर्णय लेलहुं।26मुदा हुनका विषयमे हमरालग प्रभुके लिखबाक कोनो निश्चित बात नहि अछि। एहि कारणे हम हुनका अहाँक आगु आ विशेषरुपस' राजा अग्रिप्पा अहाँक आगु अनने छी जाहिस' ई जांच पड़ताल भेलाक बाद हमरा किछु लिखबाक अवसर भेटए।27किएकत' हमरा ई बिना तर्कके बुझाइत अछि जे हम कोनो कैदीके पठा देब आ ओकरापर आरोप नहि साबित क' सकब।”
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.