Luke7

1यीशु सुनएबलासबके ई सबटा बात कहब समाप्त कएलाक बाद, ओ कफरनहूम नगर दिस विदा भ' गेलाह।2ओहि शहरमे रोमी सेनामे एकटा कप्तान रहए जेकर एकटा दास छलनि जे हुनकर प्रिय छलनि। ओ दास एतेक बेमार रहए जे बुझाइ एखनहि मरएबला अछि।3जं कप्तान यीशुके विषयमे सुनलनि, त' ओ किछु यहूदी बूढ़-पुरान लोकसबके यीशु लग पठौलनि जे ओ हुनकास' अपन दासके ठीक करबाक लेल विनती करथि।4जखन ओसब यीशु लग पहुंचलनि, त' ओसब यीशुस' सेनापतिके दासके मदति करबाक लेल गम्भीरतापूर्वक निहोरा कएलनि। ओसब कहलकनि, “ओ एहिके योग्य छथि तएं अहाँ हुनकालेल ई काज क' देल जाओ,5कारण, ओ हमर लोकसबस' प्रेम करैत छथि आ हम यहूदीसबके लेल हमरासबके सभाघर धरि बनौलनि।”6तखन यीशु हुनकासबके संग ओहि कप्तान घरे गेलथि। जखन ओ ओतए पहुंचलनि त' कप्तान किछु मित्रके यीशु लग ई सन्देश देबएलेल पठौलनि: “प्रभु, एत' आबएलेल कष्ट नहि कएल जाओ, कारण हम अपना घरमे अहाँके स्वागत करबाक योग्य नहि छी।7एहि कारणे हमरा ई नहि लागल जे हम व्यक्तिगत रुपमे अहाँ लग अएबाक योग्य सेहो छी। हमरा बुझल अछि जे हमर प्रिय दासके अहाँ एकटा वचन बाजिक' आज्ञा देलास' सेहो ठीक क' सकैत छी।8हमरा बुझल अछि जे अहाँ ई काज क' सकैत छी कारण हम स्वयं एकटा एहन आदमी छी जेकरा अपन उपरका अधिकारीसबके आदेश मानए पड़ैत अछि। हमरालग सिपाही सेहो अछि जेकरा हमर आदेश पालन करए पड़ैत छनि। जं हम एकगोटेके कहैत छी जाउ!, त' ओ चलि जाइत अछि। जं हम दोसरके कहैत छी जे आउ!' त' ओ अबैत अछि। जखन हम अपन नोकरके कहैत छी, ‘ई करु!’ त' ओ करैत अछि।”9यीशु ओहि अधिकारीके बात सुनिक' चकित भ' गेलाह। तखन हुनकासंगे भेल भीड़ दिस घुमिक' कहलकनि, “हमरा कहए दिअ, हमरा एहन कोनो इजराएली नहि भेटल अछि जे एहि आन जाति जतेक हमरा विश्वास करैत होइक!”10कप्तान लगस' आएल संगीसब जं ओसब हुनक घर घुरल त' देखलक जे दास फेरु पूर्णरुपस' स्वस्थ भ' गेल अछि।11एकर किछुए काल बाद यीशु नाइन नगरमे गेलाह। हुनकर चेला आ बहुत बड़का भीड़ हुनकासंगे गेल।12यीशु जखन नगरक दुआरिपर पहुंचलनि, त' देखलनि जे नगरस' एकटा बड़का भीड़ अबैत रहए। एकटा आदमी एखने मरि गेल रहैक, आ ओसब ओकरा दफनाबएलेल ल' जा रहल छलनि। ओकर माय सेहो भीड़मे छलीह। ओ विधवा छलीह, आ ओकरा एकेटा बेटा रहए।13जखन प्रभु ओकरा देखलनि, त' ओकरापर दया आबि गेलनि तब ओ कहलथि, “नहि कानू!”14तखन ओ ओकरासबके लग आबिक' ओहि मरल मुर्दाके अर्थीके छुबि देलकनि। ओकरा कान्ह द' रहल आदमीसब रुकिक' ठाढ़ भ' गेलनि। ओ बजलथि, “यौ युवक, हम कहैत छी, उठू!”15तखन ओ मरि गेल व्यक्ति उठिक' बैसि गेल आ बाजए लागल आ यीशु ओकरा ओकर माय लग ल' गेलथि।16ओतए जे सब उपस्थित छलाह से सब भयभीत भ' गेलनि। ओसब परमेश्वरके स्तुति करैत एक-दोसरस' कहलनि, “हमरासबके बीच एकटा महान प्रवक्ता आबि गेल छथि!” आ “परमेश्वर अपन लोकक देखभाल करएलेल आएल छथि!”17तखन यीशु जे कएने छलथि ओहि बातक समाचार सौंसे यहूदिया प्रान्त आ लगपासक सब क्षेत्रमे पसरि गेल।18बपतिस्मा देनिहार यूहन्नाके चेलासब हुनका ई सबबात कहलनि। तएं यूहन्ना अपन दुनू चेलाके बजाक' हुनकासबके कहलनि जे प्रभु लग जाक' हुनकास' पुछू, “की अहाँ ओएह छी जे आबए के वचन परमेश्वर देने रहथि, वा हमसब केकरो आओर अपेक्षा करु?”20जखन दुनू चेलासब यीशु लग आबि गेलनि, त' ओसब हुनका कहलनि, “यूहन्ना बपतिस्मा देनिहार हमरासबके अहाँस' पुछबाकलेल पठौने छथि, ‘की अहाँ ओएह छी जे आबएबला रहथि जेकर प्रतिज्ञा परमेश्वर कएने रहथि? आ की हमसब आओर केकरो प्रतीक्षा करु?’”21ओहि समयमे यीशु बहुते लोकसबके रोग आ गम्भीर बेमारीसबके ठीक क' रहल छलथि, आ ओकरासबके दुष्टात्मास' छुटकारा क' रहल छलथि। कतेको आन्हर लोकसबके फेरुस' देखबाक क्षमता सेहो देलथिन।22ओ दुनूगोटेके उत्तर देलनि, “अहाँसब जे देखलहुं आ सुनलहुं से यूहन्ना लग जाक' कहूं। जे आन्हरसब आब देख रहल अछि। नांगरसब आब चलैत अछि। पहिने जे लोकके कोढ़ि नामक रोग रहैक, आब ठीक भ' रहल अछि। जे बहिरसब आब सुनए लागल अछि। मरलसब जीवित भ' गेल अछि। हम गरीबसबके सुसमाचारके घोषणा क' रहल छी।” 23आओर हुनका ईहो कहू जे “परमेश्वर सबके आशीर्वाद देथि जे हमर काज देखैत अछि आ हमर शिक्षा सुनैत अछि आ हमरापर विश्वास करिते रहत।”24जखन यूहन्नाद्वारा पठाओल लोकसब चलि गेल, त' यीशु लोकसबस' यूहन्नाके विषयमे बात करए लगलथि। ओ बजलथि, “अहाँ जंगलमे की देखए गेल छलहुं? हवामे झुलैत नरकटके पातर डाढ़ि?25मुदा अहाँसब बाहर की देखएलेल निकालि छलहुं? सुन्दर कपड़ा पहिरने आदमी? सुनू, जे उत्तम वस्त्र पहिरैत छथि आ जिनकालग सब किछु नीक-नीक छनि, ओ राजाके महलमे रहैत छथि।26तखन अहाँ ओतए की देखएलेल गेलहुं? एकटा प्रवक्ताके? हं, यूहन्ना ओएह छथि! मुदा हम अहाँसबके कहैत छी जे यूहन्ना कोनो साधारण प्रवक्तास' बेसी महत्वपूर्ण छथि।27ई ओ ओएह छथि जिनका विषयमे शास्त्रमे लिखल अछि, ‘देखू, हम अपन सन्देश देबएबला दूत अहाँसबस' आगु पठा रहल छी। ओ अहाँके आगमनलेल लोकसबके तैयार करताह।’ 28हम अहाँसबके कहैत छी जे जतेक लोकसब एखन जीवित अछि ताहिमे यूहन्नास' पैघ केओ नहि अछि। तथापि, जतेक लोकके जीवनमे परमेश्वर राज करैत छथि, ओहिमेस' सबस' तुच्छ लोक सेहो यूहन्नास' पैघ छथि।”29जखन ओ सबलोक जे यूहन्नाद्वारा बपतिस्मा लेने छलनि, यीशुके कहल बात सुनलनि — कर उठाबएबलासब सेहो — तखन ओसब सहमत भेलनि जे यूहन्नाके पठाक' परमेश्वर नीक काज कएने छथि।30मुदा फरिसीसब आ व्यवस्थाके शिक्षकसब, जे यूहन्नाद्वारा बपतिस्मा नहि लेने रहए, अपनालेल ओसब परमेश्वरके इच्छाके अस्वीकार कएलनि।31तखन यीशु आगु आओर कहलथि, “हम अहाँसबके कहब जे अहाँसब केकरा जकां छी।32अहाँ खुल्ला मैदानमे खेलएबला धियापुता जकां छी। ओसब ई कहिक' एक-दोसरके बजबैत अछि, ‘हम अहाँलेल बौसलीपर विवाहके धुन बजएलहुं, तथापि अहाँ नहि नांच कएलहुं! फेरु हम अहाँलेल विलाप धुन बजएलहुं, तथापि अहाँ नहि कनलहुं!’33एहि तरहें जहिया यूहन्ना बपतिस्मा अहाँसबलग आएल त' साधारण भोजन नहि कएलनि आ दाखरस नहि पीबिलनि, त अहाँसब हुनका बहिष्कार करैत कहलिऐ, ‘हुनका दुष्टात्मा लागल अछि!’34मुदा जखन मनुष्यक पुत्र अहाँसबलग अएलनि आ ओ साधारण भोजन कएलनि आ दाखरस पीबिलनि, त' अहाँसब हुनका अस्वीकारक' क' कहलिऐ, ‘देखू! ई आदमी कतेक खाइत अछि आ बेसी दाखरस पीबैत अछि, आ कर उठाबएबला आ आन पापीसबके संगी-साथी भ' जाइत अछि!’35मुदा जे सब बुद्धिमान छथि, से सब ई बुझति छथि जे हम आ यूहन्ना जे करैत छी से बुद्धिमानी सेहो अछि।”36एकदिन सिमोन नामके फरिसी यीशुके अपना घरे भोजन करबाक लेल विनती कएलनि। तखन यीशु ओहि आदमी घरे जाक' भोजन करबाक लेल बैसि गेलाह।37ओहि नगरमे एकटा पापिन स्त्री सेहो छलीह, जे बदनाम छलथि। जखन ओ सुनलीह जे यीशु फरिसीके घरमे भोजन क' रहल छथि, तखन ओ इत्रस' भरल पत्थलके बर्तन ल' क' ओतए' गेलीह।38जखन यीशु भोजन करएलेल बैसलाह त' ओ स्त्री हुनकर पाछु पयरलग ठाढ़ भ' गेलीह। ओ कानि रहल छलीह, आ ओकर नोर यीशुके पयरपर खसैत रहए। केशस' हुनकर पयर पोछैत रहलीह। पयरके चुम्मा लैत रहलीह आ इत्रस' अभिषेक करैत रहलीह।39यीशुके बजौनिहार फरिसी जखन ओ स्त्री की क' रहल अछि देख सोंचलनि, “जं ई आदमी सांचोमे प्रवक्ता रहितथि त' हुनका बुझल रहितै जे ओ केहन स्त्री अछि, कारण ओ पापिन अछि।”40जबाबमे यीशु ओकरा कहलथि, “सिमोन, हम अहाँके किछु कहए चाहैत छी।” ओ उत्तर देलनि, “यौ गुरुजी, ओ कोन बात अछि?”41यीशु ओकरा ई दृष्टान्त सुनौलथि, “दूगोटे एकटा महाजनस' ब्याजपर पाइ कर्ज लेलक। एकगोटे पर पांच सय दीनार कर्ज रहए। दोसर गोटेपर पांच सय दीनार कर्ज रहए। 42दुनूमेस' केओ अपन कर्ज नहि चुका सकल, तएं ओ आदमी बहुत कृपापूर्वक दुनूगोटेके कर्ज माफ क' देलक, तएं दुनू आदमीमेस' ओहि महाजनके बेसी प्रेम के करत?”43सिमोन उत्तर देलनि, “हमरा विश्वास अछि जे, जे हुनकास' बेसी कर्ज माफ भेल रहैक से हुनकास' बेसी प्रेम करत।” यीशु ओकरा कहलनि, “अहाँ ठीके कहलहुं।”44तखन ओ ओहि स्त्री दिस घुमिक' सिमोनके कहलनि, “सोंचू जे ई स्त्री की कएने अछि! जखन हम अहाँके घरमे प्रवेश कएलहुं, त' अहाँ ओ नहि कएलहुं जे सामान्यत घरबैयासब अपन पाहुनके स्वागतमे करैत अछि। अहाँ हमरा पयर धोबएलेल पानि नहि देलहुं। मुदा ई स्त्री अपन नोरस' हमर पयर धो' देलक आ अपन केशस' पोछलीह!45अहाँ हमरा चुम्मा ल' क' स्वागत नहि कएलहुं। मुदा जखनस' हम अहाँ घरमे अएलहुं तखनस' ओ हमर पयरके चुम्मा लेब नहि छोड़लीह!46अहाँ हमर माथपर जैतूनके तेल लगाक' मेजमानी नहि कएलहुं, मुदा ओ हमर पयरपर सुगन्धित इत्रस' अभिषेक कएलीह।47एहिलेल हम अहाँसबके कहैत छी जे परमेश्वर ओकर बेसी पाप क्षमाक' देलथिन, आ ताहिके लेल ओ हमरास' बहुते प्रेम करैत अछि। मुदा जे आदमी ई सोंचैत अछि जे परमेश्वर ओकरा किछु पापके माफ क' देलक, त' ओ हमरास' कनिके प्रेम करत।”48तखन यीशु ओहि स्त्रीके कहलथि, “हम अहाँके पाप क्षमाक' देने छी।”49तखन हुनकासंग भोजन करएबलासब एक-दोसरस' पुछलनि, “ई के अछि जे कहैत अछि जे हम पापके सेहो क्षमाक' सकैत छी?”50मुदा यीशु ओहि स्त्रीके कहलथि, “अहाँ हमरापर विश्वास करबाक कारणे परमेश्वर अहाँके उद्धार कएलथि। तएं शान्तिस' जाउ!”

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67