Romans15

1वास्तबमे, हमसब मसीहमे जे आत्मिकरुपस' परिपक्व विश्वासी छी ओसब जे मसीहमे अपन संगी आत्मिकरुपस' अपरिपक्व अछि हुनका काज सहायता करबाक चाही। हमसब केवल ओ काम नहि करी जे हमरासबके प्रसन्न करैत अछि।2हमसब जे मसीहमे विश्वासी छी ओ काम करबाक चाही जे अपन संगीके प्रसन्न करैत अछि जाहिस' हुनकासबके भला होएत अछि आ हुनका आत्मिकरुपस' परिपक्व बनएमे सहायता होए।3जेना, मसीह यीशु सेहो स्वयंके प्रसन्न नहि कएलक! मुदा, ओ दोसरके प्रसन्न करबाक लेल जीवित छल। ई बात दाऊद पवित्र शास्त्रमे मसीहके विषयमे परमेश्वरस' ई लिखैत अछि, “जखन लोकसब अहाँके अपमान करैत अछि त' ओसब हमरा सेहो अपमानित करैत अछि।” 4वास्तबमे, प्रवक्तासब पहिनेस' हमरासबके सिखबाक लेल पवित्र शास्त्रमे सब किछु लिखने अछि। ओसब पवित्र शास्त्रमे सेहो लिखल गेल अछि जे पवित्र शास्त्र हमरासबके कहैत अछि ओहिस' आशा उत्पन्न होइत अछि जाहिस' हमरासबके सहन आ प्रोत्साहित होएबाक लेल मदति करैत अछि।5हम प्रार्थना करैत छी जे हमर धैर्यवान आ प्रोत्साहन करएबला परमेश्वर अहाँसब मिलापमे एक सोंचमे रहबाक अनुमति देथिन जेना मसीह यीशु कएने रहथिन।6हम प्रार्थना करैत छी की अहाँसब मिलापमे रहू जे जखन अहाँसब परमेश्वरके महिमा करब त' एक मनके भ' जाए। ओ हमरा प्रभु यीशु मसीहके पिता अछि।7तएं मसीहमे अहाँ अपन संगी-विश्वासीके ग्रहण करु जेना मसीह यीशु अहाँके ग्रहण कएने अछि जे अहाँ परमेश्वरके प्रशंसा क' सकी।8हम चाहैत छी जे अहाँ ई स्मरण राखू जे परमेश्वरक विषयमे सत्य बुझएमे मसीहे खतना भेल यहूदीसबके सेवा कएने छलथि। अर्थात्, ओ ओहि सब बातसबके पूरा करए आएल रहथि जेकर परमेश्वर अपने हमर पूर्वजस' प्रतिज्ञा कएने रहथि जे ओ करत। 9मुदा ओ गैर-यहूदीसबके मदति करए' सेहो आएल रहथि, जाहिस' ओ परमेश्वरक कृपाके लेल हुनकर स्तुति करथि। परमेश्वरक कृपास' ओ परिणाम प्राप्त भेल जे पवित्र शास्त्रमे लिखल अछि जे दाऊद परमेश्वरस' कहलथि “तएं हम गैर-यहूदीसबके बीच अहाँके नामके स्तुति करब; हम गाएब आ अहाँक प्रशंसा करब।” 10मूसा सेहो शास्त्रमे लिखने छल, “हम परमेश्वरक लोकसबके संगे, हे गैर-यहूदीसब, अहूंसब आनन्द मनाउ।” 11आ दाऊद पवित्र शास्त्रमे लिखने छल, “हे यौ आन जातिसब, प्रभुके स्तुति करु; सबलोक हुनकर स्तुति करु।” 12प्रवक्ता यशायाह सेहो शास्त्रसब मे कहलकनि, “जे दाऊदक पिता यिशयके वंश अछि, ओ आओत। ओ आन जातिसबपर शासन करएके शुरु करत। राष्ट्र ओकरा कारण आशा राखत।” 13हम प्रार्थना करैत छी जे परमेश्वर अहाँके भरोसाक संग ओकरास' ई अपेक्षाक लेल प्रेरित करु जे प्रतिज्ञा ओ कएने अछि ओकरा ओ करए। हम प्रार्थना करैत छी जे अहाँ हुनकापर विश्वास करु त' ओ अहाँके पूर्णरुपस' आनन्दित आ शान्तिपूर्ण होअएलेल प्रेरित करए। पवित्र आत्मा अहाँके अधिक विश्वासक संगे ओ प्राप्त करएके अपेक्षा करएमे सामर्थी करए जे जेकरा परमेश्वर अहाँस प्रतिज्ञा कएने छथि।14यौ संगी-विश्वासी, हमरा पूर्ण विश्वास अछि जे अहाँसब एक-दोसर प्रति पूर्णरुपस' नीक जकां काज कएने छी। अहाँ एना एहिलेल कएलहुं जे अहाँ पूर्णरुपस' जानि गेल छी जे परमेश्वर की चाहैत अछि जे अहाँ बुझू आ किएकत अहाँ एक-दोसरके शिक्षा देबएमे सक्षम छी।15ओना, हम अहाँके एहि पत्रमे किछु बातक विषयमे खुलिक' लिखने छी जे परमेश्वरद्वारा हमरा देल गेल अनुग्रहके कारण, अहाँसबके स्मरण कराबी।16परमेश्वर एहिलेल कएलनि जे हम गैर-यहूदी लोकसबके बीच मसीह यीशुके सेवक बनिक' सेवा करु परमेश्वरक दिसस' सुसमाचारक प्रचार क' क' बुझू जे हम एगो पुजारीके रुपमे छी। हम एहिलेल करैत छी जे गैर-यहूदी लोक जे यीशुपर भरोसा करैत अछि परमेश्वरके अर्पित कएल गेल कोनो वस्तु जकां होए जे ओकरा खुश करैत अछि, आ जेकरा पवित्र आत्मा ओकरालेल अलग रखने अछि17एकर मतलब ई अछि जे, मसीह यीशुक संगे हमर सम्बन्धके कारण, परमेश्वरक लेल हम अपन काजक लेल खुश छी।18हम खाली ओहि काजक विषयमे साहसपूर्वक बाजब जे मसीह हमरा माध्यमस' पूरा कएने अछि जाहिस' गैर-यहूदी मसीहक विषयमे सन्देशपर ध्यान दिए। ई उपलब्धिसब वचनसब आ काजसबके कारण19चेन्ह आ आन काज देखब के चलते आन प्राप्त भेल जे लोकसबके विश्वास दिअबैत अछि। हम ओ काज कएने छी जेकरालेल परमेश्वरक आत्मा जे हमरा सामर्थी बनएलनि। एहि तरहें' हम यरूशलेमस' ल क इललुरिकुम देश धरिके पूरा यात्रा कएने छी, आ हम ओहि जगहपर मसीहक विषयमे सुसमाचार पूर्णरुपमे घोषणा करएके अपन काज पूरा कएने छी।20जखन हम ओहि सुसमाचार घोषणा करैत छी, त' हम सदिखन उत्सुकतापूर्वक ओहि जगहसब पर एकर घोषणा करएके प्रयत्न करैत छी जत लोकसब पहिनहिस' मसीहक विषयमे नहि सुनने अछि। हम एना एहिलेल कहैत छी जाहिस' हम खाली ओहि काजके जारी नहि रोकू जे पहिनेस' आन लोक शुरुआत क' देने अछि। हम ओहि मनुष्य जकां नहि बनए चाहैत छी जे कोनो दोसरके नओपर घर बनैत अछि।21एकर उनटा, हम गैर-यहूदीसबके शिक्षा दैत छी, जे जे किछु घटित होए ओ ओहिना होए जेना शास्त्रमे लिखल अछि: “जे लोकसब एखन मसीहक विषयमे कोनो समाचार नहि सुनने अछि जे ओ के छथि। जेसब हुनका विषयमे नहि सुनलक ओ हुनका विषयमे बुझत।”  22किएकत हम ओहि जगहपर मसीहक विषयमे सन्देशक प्रचार करएके कोशिस कएलहुं जत लोकसब हुनका विषयमे नहि सुनने छल, एहिलेल हमरा कतेक बेर अहाँ लग आब से रोकल गेल। 23मुदा आब एहि क्षेत्रसबमे कोनो एहन जगह नहि रहल जत लोकसब मसीहक विषयमे नहि सुनने अछि। एकर अतिरिक्त, कतेक वर्षस' हम अहाँ लग आब चाहैत छलीह।24एहिलेल, हम स्पेन देश जाएके आशा करैत छी, आ हमरा आशा अछि जे हमर यात्रामे अहाँ हमर मदति करब। आ अहाँक संग रहके आनन्द लेबएलेल हम किछु समयक लेल अपन यात्राके रोकबाक चाहए छी।25तथापि, एहि समय हम यरूशलेम जा रहल छी जाहिस' परमेश्वरक पवित्र लोकसबके सेवा क सकी।26मकिदुनिया आ अखायाके प्रान्तके विश्वासीसब यरूशलेमके विश्वासीसब जे परमेश्वरक अपन पवित्र लोक अछि आ जे निर्धन अछि, मदतिक लेल रुपैयाके योगदान करबाक निर्णय लेने अछि।27ओसब स्वयं एना करएके निर्णय लेलक, मुदा वास्तवमे ओ यरूशलेमक परमेश्वरक लोकसबके लेल ऋणी अछि। गैर-यहूदी विश्वासीसबके यहूदी विश्वासीसबस' आत्मिक लाभमे सहभागी भेल किएकत' ओसब ओकरास' मसीहक विषयमे सन्देश सुनने छल, तएं, गैर-यहूदीसबके सेहो यरूशलेमक यहूदी विश्वासीसबके भौतिक वस्तुसब द' क' ओकर सेवा सहभागी होएबाक चाही।28मकिदुनिया आ अखाया प्रान्तके विश्वासीसब जे रुपैया देने अछि, जखन हम ओहिके छाप लगाक' पहुंचाबएके काज पूरा क' लेब, त' हम यरूशलेमस' निकलिक', स्पेन देश जाएत रोममे अहाँ लग आएब।29आ हम जनैत छी जे जखन हम अहाँ लग आएब, त' मसीह हमरा बहुतायतस' आशीष देथिन।30यौ भाइसब, किएकत हम अपन प्रभु यीशु मसीहक छी आ किएकत पवित्र आत्मा अपनासबके एक-दोसरस' प्रेम करएके लेल प्रेरित करैत अछि, एहिलेल हम अहाँसबस' आग्रह करैत छी जे अहाँ हमरालेल परमेश्वरस' उत्साहपूर्वक प्रार्थना क' क' हमर मदति करु।31प्रार्थना करु जे परमेश्वर हमरा यहूदिया प्रान्तके यहूदीसबस' छुटकारा भ' जाए जे यीशुमे विश्वास नहि करैत अछि। प्रार्थना करु जे हमर सेवा यरूशलेममे परमेश्वरक पवित्र लोक ओहि धनके स्वीकार करए जे हम ओकरा ओतएके गरीब विश्वासीसबके लेल दैत छी।32एहि बातक' लेल प्रार्थना करु जाहिस' परमेश्वर प्रसन्न होए जे हम अहाँ लग आबि, आ हम अहाँके बीच विश्राम करएमे सक्षम भ' सकी आ अहाँ हमरासंग किछु दिन विश्राम करु।33हम प्रार्थना करए छी परमेश्वर, जे हमरा शान्ति पाबएके लेल प्रेरित करैत अछि, अहाँसबहक संगे रहए आ अहाँके मदति करए। आमीन!

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67