Deuteronomy13
1मानि लिअ, जं अहाँसबके बीच कोनो प्रवक्ता वा स्वप्नदर्शी खड़ा होएत आ जं ओ अहाँसबके कोनो चेन्ह वा आश्चर्यक काज देखबै छै। 2आ जं ओ चेन्ह वा आश्चर्यजनक कार्य कम भ' जाएत, त' अहाँसब नहि जानब, ओहि आन देवतासबके पाछु चलू, आ ओकरे पूजा करु। कहिक ओ कहि' रहल छै त'3ओहि प्रकारक प्रवक्ता वा स्वप्नदर्शी सबहक बात नहि सुनू। किएकत' यहोवा अहाँसबके परमेश्वर अहाँसबके जानिक' परखैत छथि जे अहाँसब यहोवा अहाँसबके परमेश्वरस' पूरा मोन आ पूरा प्राणस' प्रेम करैत छी वा नहि। 4अहाँ यहोवा अपन परमेश्वरक मार्गमे चलब, हुनकर आदर करब, हुनकर आज्ञाक पालन करब आ हुनकर वचन मानब आ हुनकर आराधना करब आ हुनका धएने रहब।5ओ प्रवक्ता वा स्वप्नदर्शीके मारल जाएत, किएक त' दासत्वके देश मिस्र देशस' स्वतन्त्र करएबला यहोवा अहाँसबके परमेश्वरक आज्ञा कएने मार्गस' बहकाबए खातिर ओ अहाँसबके परमेश्वरक विपक्षमे विद्रोही बनबैत अछि। अहाँसबके बीचमेस' एहि प्रकारक अधलाह काज नाश करु।6मानि लिअ जे अहाँके भाइ भैयारीसब, वा बेटाबेटीसब, वा अहाँके प्रिय पत्नी जे अहाँके छाती स' सटल रहैत अछि, वा अहाँके घनिष्ट मित्र, सेहो अहाँसबके पूर्वजसबके समयस' नहि चिन्हल देवतासबके सेवा करु कहिक' अहाँसबके लोभबैत अछि त',7अहाँके चारुदिस, अहाँके लग वा अहाँस' दूर, पृथ्वीक एक छोरस' दोसर छोर धरि जे आन लोकक कोनो देवता अछि।8अहाँ ओकर बात नहि मानब आ नहि ओकर बात सुनब, आ अहाँ अपन नजरिमे ओकरापर दया नहि करी, आ नहि बचाबी आ ने ओकरा नुकाबी।9मुदा, अहाँ ओकरा अवश्य मारि देब। ई बात सुनएबाला मनुष्य ओकरा मार लेल सबस' पहिने हाथ उठाबए तेकरबाद सब केओ हाथ उठबथि। 10अहाँसब ओकरा नहि मरैत धरि पत्थलस' मारु, किएकत' ओ अहाँसबके मिस्र देशस', दासत्वके घरस' बाहर निकालनिहार यहोवा परमेश्वरस' दूर करबाक प्रयास कएलक।11सारा इजराएल सुनत आ डराएत, आ अहाँसबके बीच एहि प्रकारक दुष्टता नहि करत।12यहोवा अहाँसबके परमेश्वर अहाँसबके रहएलेल देने कोनो शहरमे13अहाँसबके बीचस' किछु दुष्ट मनुष्यसब खड़ा भ' क' ओहि नगरवासीसबके कहियो नहि जानल सुनल देवताके पूजा करु कहिक बहलबैत फुसलबैत सुनब त'।14तखन अहाँसब सबूतक परीक्षण करब, खोज करब, आ ओकर नीक जकां जांच करब। जखन अहाँसब विश्वस्त भ' जाइत छी जे अहाँसबके बीच एहन घृणित काज भेल अछि तखन अहाँसब कारबाहि करब।15अहाँ ओहि नगरक निवासी सबके तलबारस' मारब, ओहि शहरके आ ओतए' के आदमीसबके आ ओकर मालजालके पूर्णरुपस' नाश क' देब। 16अहाँसब ओहि नगरमे के लूटके माल सब शहरके बीचमे जमाक' क' सारा शहरके लूटके माल सहित जरादेब। यहोवा अहाँसबहक परमेश्वरक लेल ई होमबलि दाखि होए। सहर सदाके' लेल खंडहर रहए। एकर निर्माण फेरु कहियो नहि करब।17विनाशक लेल अलग राखल गेलमे स' कोनो चीज नहि लिअ। जाहिस' यहोवाक' दन्कैत क्रोध शान्त भेल आ अहाँसब दया आ करुणा देखबैत अहाँसबके पूर्वजसबके संग कएल गेल प्रतिज्ञाक' मुताबिक अहाँसबके गन्तीमे वृद्धि करथिन।18किएक त' यहोवा अहाँसबके परमेश्वरक आवाज सुनैत छी, आइ हम जे आदेश द' रहल छी ओहि मुताबिक अहाँसब हुनकर सब आज्ञाक पालन करैत छी आ यहोवा अहाँसबके परमेश्वरक नजरिमे उचित काज करैत छी।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.