1 Corinthians3

1यौ विश्वासी भाइसब, जहिया हम अहाँसबके लग आएल रही, त' हम अहाँसबके ओहि तरहें नहि सिखा सकली जेना परमेश्वरके आत्मा भेल लोकसबके हम सिखबैत। मुदा, हमरा अहाँसबके ओहि तरहें सिखाबए' पड़ल जाहि तरहें सांसारिक लोकसबके सिखाओल जाइत अछि। हमरा एना एहिलेल कर' पड़ल किएकत' अहाँसब अपरिपक्व जकां मसीहपर विश्वास कएने छी।2हम अहाँसबके सरल बातसब सिखऔली। हम अहाँसबके ठोस बातसब नहि सिखाएब सकली। हम एना एहिलेल कएलहुं किएकत' अहाँसब ठोस शिक्षालेल तैयार नहि रही, अहाँसब एखनो ठोस शिक्षाके लेल तैयार नहि छी।3अहाँसब ठोस शिक्षाके लेल तैयार नहि छी से हम जनैत छी किएकत' अहाँसब एखनो सांसारिके मनुष्य जकां छी। अहाँसबमेस' किछु लोक एक दोसरास' ईर्ष्या करैत अछि, आ अहाँसबमेस' किछु लोक एक दोसरासंग झगड़ा सेहो करैत अछि। जखन अहाँसब एना करैत छी, त' एहिस' प्रमाणित होइत अछि जे अहाँसब एखनो सांसारिके छी आ अहाँसबके व्यवहार एखनो सांसारिके मनुष्य जकां अछि।4आओर अहाँसबमेस' किछु लोक कहैत अछि जे अहाँसब पौलुसके छी, त' केओ कहैत छी अहाँसब अपुल्लोसके छी। जं अहाँसब एना दाबी करैत छी, त' एहिस' प्रमाणित होइत अछि जे अहाँसब सांसारिक मनुष्य जकां मात्र सोंचैत छी आ ओहने व्यवहारो करैत छी।5अहाँसबके बुझब आवश्यक अछि जे अपुल्लोस आ हम, पौलुस, हमसब ओसब मात्रे छी जे मसीहके सेवक छी। हमसब ओएह काज करैत छी जे काज करएलेल प्रभु हमरासबके जिम्मा देलथिन। जहिया हमसब अहाँसबके मसीहके विषयमे सुसमाचार सुनओली, त' अहाँसब हुनकापर विश्वास कएली, हमरासबपर नहि।6परमेश्वर सबस' पहिने हमरा अहाँसबके सुसमाचार सुनाबएके भार देलथिन। हम त' बिआ बोएबला मनुष्य जकां छी। परमेश्वर अपुल्लोसके अहाँसबलग हमरोस' अधिक सुसमाचार प्रचार कर' के भार देलथिन। ओ बिआमे पानि पटाबएबला जकां अछि जे ओ बिआ बढ़ि सकए। मुदा परमेश्वर स्वयं अहाँसबके सुसमाचारपर विश्वास करएमे आ ओहि सुसमाचारके बुझएलेल सक्षम बनओने छथि।7अहाँसब देख सकैत छी जे ओ व्यक्ति महत्वपूर्ण नहि अछि जे पहिने सुसमाचार सुनबैत अछि। ओहो महत्वपूर्ण नहि अछि जे लोकसबके सुसमाचारके विषयमे आओर बेसी सुनबैत अछि। ई लोकसब त' जे बिआ रोपनिहार जकां आ ओहि रोपल बिआमे पानि पटौनिहार जकां मात्र अछि, किएकत' ओहोसब महत्वपूर्ण नहि अछि, बल्कि परमेश्वरे सबस' महत्वपूर्ण छथि, किएकत' ओहे लोकसबके सुसमाचारपर विश्वास करएमे आ बुझएमे सक्षम बनबैत अछि। एहिना, ओहे महत्वपूर्ण छथि किएकत' ओएह गाछके बढ़बैत छथि।8वास्तवमे, जे लोकसबके सबस' पहिने सुसमाचार सुनबैत अछि आ जे लोकसबके सुसमाचारके विषयमे आओर बेसी बात प्रचार करैत अछि, दुनूके लक्ष्य एक समान होइत अछि। ओ ओहि मनुष्यके समान अछि जे बिआ रोपनिहार आ पानि पटौनिहार, ओकर लक्ष्य एक समान होइत अछि। परमेश्वर ओहि दुनू मनुष्यके प्रतिफल देथिन जे एहि दुनूमेस' कोनो काज करैत अछि। ओ ओकरासबके काजके अनुसार प्रतिफल देथिन।9हमसब जे सुसमाचार सुनबैत छी परमेश्वरके सेवामे सहकर्मी छी, मुदा अहाँसब परमेश्वरे के छी। अहाँसब खेत छी जेकर मालिक परमेश्वर छथि, जाहिमे हमसब बिआ रोपने छी आ पानि पटएने छी। वास्तवमे अहाँसब ओ घर छी जेकर मालिक परमेश्वर छथि।10परमेश्वर सबस' पहिने हमरा अहाँसबके बुद्धिमानके साथ सुसमाचार घोषणा करएलेल अनुग्रह देलथिन। हम ओहि राज मिस्त्री जकां छी जे घर बनाबएस' पहिने नओ दैत अछि। अपुल्लोस जकां दोसर लोकसब, अहाँसबके सुसमाचारके विषयमे आओर बेसी गहन प्रचार करैत अछि। ओ दोसर राज मिस्त्री जकां अछि जे ओहि नओपर घर बनबैत अछि। अन्तमे, ओ सबलोक जे सुसमाचारके विषयमे गहन रुपस' प्रचार करैत अछि, ओकरासबके ध्यान राखएके चाही जे ओसब ठीक जकां एहिके प्रचार करए। ओसब ओहि राज मिस्त्रीसब जकां होअए जे ओहि नओपर सही तरीकास' घर बनबैत अछि।11कोनो मनुष्य ओहि ठाम नओ नहि द' सकए जत' पहिनहि केओ नओ द' देने अछि। एहिना, कोनो दोसर मनुष्य अहाँसबके पहिने सुसमाचार नहि सुनाबि सकए, किएकत' हम पहिने ओ क' चुकल छी। हम अहाँसबके प्रचार कएली जे यीशु मसीह पूरा कएने छथि। ई सन्देश यीशु मसीहके विषयमे कोनो घरके नओ जकां अछि। 12अलग-अलग राज मिस्त्रीसब नओपर घर बनाबएमे अलग-अलग निर्माणके समान प्रयोग क' सकए। जेना बेसी टिकाउ समानसब सोना, चानी, आ बहुमूल्य पत्थल, आ कम टिकाउ समानसब जेना लकड़ी, घास-फूस प्रयोगमे लाओत। ओहिना जे लोकसब सुसमाचारके विषयमे गहन प्रचार करैत शिक्षा दैत अछि जे परमेश्वरके बेसी प्रसन्न करएबला होइत अछि। दोसर लोक परमेश्वरके कम खुश होबएबला बातसब सिखबैत अछि।13न्यायके दिनमे मसीह न्याय करएलेल अओताह, त' ओ देखाओता जे मनुष्यसब कोना काज कएने अछि। घरमे आगि लगलापर राजमिस्त्रीद्वारा घर निर्माणमे प्रयोग भेल समानसब केहन अछि से स्पष्ट भ' जाएत। ओहिना, जहिया मसीह अओताह ओहि समय न्यायके आगि देखार करत जे सुसमाचारके विषयमे गहन प्रकारस' सिखऔने अछि तेकर गुणवत्ता केहन अछि।14कोनो राजमिस्त्रीके बनाओल गेल घर आगिस' बंचि जाएत, तेकरा यश आ धन मिलैत अछि। ओहिना, जहिया सबकेओके न्याय करथिन परमेश्वर ओकरासबके आदर आ इनाम देथि जे परमेश्वर स्वीकार होबएबला सुसमाचार गम्भीरतास' सिखबैत अछि।15जाहि राजमिस्त्रीद्वारा बनाओल गेल घर आगिमे जरि जाएत, त ओ मान आ धन पाबएस' वंचित होएत। मुदा, ओ राज मिस्त्री आगिस' नहि मरत बल्कि आगिक' लपटास' उद्धार पाबि लेत। ओहिना, जहिया परमेश्वर सबकेओके न्याय करतथि, त' ओकरासबके मान आ इनाम नहि देथिन जे सब परमेश्वरके स्वीकार होएब जकां सुसमाचार प्रचार नहि करैत अछि। मुदा, एहि शिक्षकसबद्वारा सिखाओल गेल बात गलत रहितो परमेश्वर स्वीकार करतथि।16अहाँसबके मोन राखएके चाही जे अहाँसब यरूशलेममे रहल परमेश्वरके मन्दिर जकां छी किएकत परमेश्वर अहाँसबके बीचमे ओहिना उपस्थित छथि जेना ओ ओहि मन्दिरमे उपस्थित छलथि। अहाँसबके मोन राखएके चाही जे अहाँसब ओहि घर जकां छी जाहिमे परमेश्वरके आत्मा रहैत छथि। किएकत' ओ अहाँसबसंगे सदैव उपस्थित छथि।17जे केओ परमेश्वरक मन्दिरके विरुद्धमे रहत, त' परमेश्वर ओकरो विरुद्धमे रहथिन। किएकत' परमेश्वरके मन्दिर हुनकरे अछि। किएकत' अहाँसब परमेश्वरके पवित्र मन्दिर जकां छी, एहिलेल परमेश्वर अहाँसबके विरुद्ध रहबलासबके विरुद्ध ओ रहताह।18जे बात अहाँसबके विषयमे जे सत्य नहि अछि से विश्वास नहि करु। अहाँसबमेस' केओ एहि संसारके दृष्टिमे स्वयंके बुद्धिमान बनए चाहैत छी त' अहाँके सांसारिक नजरिमे मूर्ख बनि जाउ। एहि तरहें, अहाँसब वास्तवमे बुद्धिमान बनि जाएब।19हम ई बात एहिलेल कहि रहल छी किएकत' जाहि बातके संसारके मनुष्य बुद्धिमान बुझति अछि, ओहि बातके परमेश्वर मूर्खइ मानैत छथि। अहाँसब बुझति छी जे ई सत्य अछि किएकत' अय्यूबके पुस्तकके लेखक लिखने अछि, “ओ परमेश्वरे छथि जे ओकर चतुर योजनासबके बाधित करैत छथि जे बुद्धिमानसब योजना बनबैत अछि।” 20आओर, भजनकार लिखने अछि, प्रभु बुद्धिमानसबके बनाओल हरेक योजनास' अबगत छथि, आ ओ जनैत छथि ई योजनासब सफल नहि होतैक। 21एहिलेल, अहाँ सबकेओ एहि बातपर घमण्ड नहि करबाक चाही जे अहाँसब दोसर लोकसबके देखासिखी कोना करैत छी। हम एहिलेल कहि रहल छी किएकत' सब किछु अहाँसबलग अछि, एहिलेल दोसर मनुष्यके देखासिखी करएमे गर्व कएनाइ मूर्खइ अछि।22अहाँसबलग पौलुस, अपुल्लोस, आ पत्रुस जेहन अगुवासब अछि। परमेश्वरद्वारा बनाओल गेल संसारके सबकिछु अहाँसबलग अछि, अहाँसब जिअएमे नहि डेराउ, आ जहिया मरब त अहाँसब सान्त्वना पाएब। अहाँसबलग सबकिछु अछि जे एखन अस्तित्वमे अछि आ जे भविष्यमे अस्तित्वमे आओत। वास्तवमे, सबकिछु अहाँसबलग अछि।23आओर अहाँसब मसीहके छी, आ मसीह परमेश्वरके छथि।

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67